Breaking-News

श्रृंखला खतिवडा मिस वर्ल्ड के फाइनलमे

Please follow and like us:

काठमाण्डू १८ गते ।मिस वर्ल्ड २०१८ मे प्रतिस्पर्धा कऽ रहल श्रृंखला खतिवडा मल्टिमिडिया अवार्ड जित निकालैत अन्तिम ३० मे अपन स्थान सुरक्षित बनाबए सफल भेली अछि । मल्टिमिडिया अवार्डके विजेता एकटा मात्र रहालासँ ई तीन फाइनालिस्टमेसँ केन्या आ मेक्सिकोकेँ पाछा करैत नेपालक श्रृंखला मल्टिमिडिया अवार्ड जितएमे सफल भेली अछि । नेपाल ई अवार्ड जितल पहिल बेर अछ । मल्टिमिडिया अवार्डक लेल नेपालसहित केन्या, चीन, पोर्टो रिको आ बेलायत सान्या टुरिजम भिडियो च्यालेञ्जके उत्कृष्ट ५ मे परल छल । ओहिमेसँ ओभरअल मल्टिमिडिया फाइनालिस्टमे नेपाल, मेक्सिको आ केन्या स्थान बनओलक । एहिके सँगहि श्रृंखला मिस वल्ड २०१८ के फाइनमे प्रवेश कएली अछि ।

Have your say