Breaking-News

सीके राउतके बन्दी प्रत्यक्षीकरण रिट खारेज

Please follow and like us:

काठमाण्डू १८ गते ।सर्वोच्च अदालत राज्यविरुद्धक सङ्गठित कसुर मुद्दामे पकराएल सिके राउत (चन्द्रकान्त) के बन्दीप्रत्यक्षीकरण निवेदन खारेज कएलक अछि । न्यायाधीशद्वय दीपकराज जोशी आ बमकुमार श्रेष्ठके इजलाससँ सोमदिन राउतसम्बन्धी बन्दीप्रत्यक्षीकरणके निवेदन खारेज कएलक अछि । न्यायाधीशद्वयके आदेशमे कहलगेल अछि, ‘राउतविरुद्ध रौतहट जिल्लामे दर्ता भऽ विचाराधीन रहल राज्यविरुद्धके सङ्गठित कसुर अपराधके मुद्दामे बयानक लेल उपस्थित कराएब ।’ सर्वोच्च अदालत राउतकेँ थप बयानक लेल रौतहट पठाओलगेल अछि । स्वतन्त्र मेधशक विषयमे राज्यविरुद्धक वक्तव्य देने कहैत प्रहरी निन्त्रणमे लऽ राउतविरुद्ध रौतहटमे मुद्दा चलओने छल । ओही क्रममे राउत धरौटी या साधारण तारेखमे थुनामुक्त करबालेल माँग करैत गत कात्तिक १२ गते सर्वोच्च अदालतमे बन्दीप्रत्यक्षीकरणके रिट निवेदन दर्ता कएने छल ।

Have your say