Breaking-News

सातु प्रदेशमे नेकपाके पुर्णता भेटल

Please follow and like us:

काठमाण्डू १८ गते ।सत्तारुढ नेकपा सातु प्रदेशक कमिटीकेँ पूर्णता देलगेल अछि । प्रदेश कमिटीके सम्पूर्ण सदस्यसभक नाम सार्वजनिक कएलक अछि । महासचिव बिष्णु पौडेल सोमदिन जारी कएने विज्ञप्तीमे पूर्णता भेटल सभ प्रदेश कमिटीके सदस्यसभक नाम सार्वजनिक कएलगेल अछि । नेकपाक अध्यक्षद्वय केपी ओली आ पुष्पकमल दाहाल प्रदेश कमिटिमे रहएबला सदस्यसभक सूचीकेँ अन्तिम रुप देला बाद महासचिव पौडेल नाम सार्वजनिक कएने अछि । पूर्व एमाले आ पूर्व माओवादी केन्द्रबीच भागबण्डाके आधारमे प्रदेश कमिटीकेँ पूर्णता देलगेल अछि ।
प्रदेश कमिटिमे प्रदेश–१ क २०७ गोटेमे एमाले–१२२ आ माओवादी केन्द्र–८५, प्रदेश–२ क २१५ मे एमाले–१०६, माओवादी केन्द्र–१०६ आ पार्टी एकता बाद नेकपा प्रवेश कएने ३, प्रदेश–३ क २१७ मे एमाले–११६ आ माओवादी केन्द्र–१०१, गण्डकी प्रदेशक १८७ मे एमाले–१०२ आ माओवादी केन्द्र–८५ अछि । तहिना प्रदेश–५ क २०३ मे एमाले–१०६ आ माओवादी केन्द्र–९७, कर्णाली प्रदेशक १७५ मे एमाले–८७ आ माओवादी केन्द्र–८८, सुदुरपश्चिम प्रदेशक १८३ मे एमाले–१०० आ माओवादी केन्द्र–८३ रहल अछि ।

Have your say