Breaking-News

प्रधानन्यायाधीश सिफारिसमे फेरसँ चलखेल

Please follow and like us:

काठमाण्डू १८ गते ।विशेष आन्तरिक परामर्श आ गृहकार्यके बाद अगहन २२ गते बैसएजँका प्रधानन्यायाधीस सिफारिसके बैठक स्थगित भेल अछि । नेपाली कांग्रेसक सभापति तथा प्रमुख प्रतिपक्षी दलका नेता शेरबहादुर देउवा आन्तरिक परामर्श आ छलफलके लेल थप समय मँगला बाद बैठक स्थगित भेल अछि । कांग्रेस संवैधानिक परिषद्के सिफारिसकेँ बहुमतके आडमे उन्टा कऽ न्यायालयकेँ राजनीतिक प्रभावमे रखबाक प्रयास कएलगेल विषयकेँ महत्वके साथ उठबैत आएल अछि । एहिसँ आगा संवैधानिक परिषद् दीपकराज जोशीके नाम प्रधानन्यायाधीशमे सिफारिस भेला बादो संसदीय सुनुवाइ समितिमे बहुमतसँ ओहिकेँ अस्वीकृत कएलगेल छल ।
बैठक बैसएके सूचना भेटला बाद सभामुख, राष्ट्रिय सभाक अध्यक्ष, प्रधानन्यायाधीश, प्रमुख प्रतिपक्षी दलका नेता आ कानुनमन्त्री प्रधानमन्त्री कार्यालय पहुँचल छलथि । बैठकमे सहभागी होबएके साथ विपक्षी नेता देउवा थप समय मँगला बाद बैठक स्थगित कएलगेल परिषद् सदस्य तथा राष्ट्रियसभा अध्यक्ष गाणेशप्रसाद तिमिल्सिना बतओलन्हि । प्रधानन्यायाधीश ओमप्रकाश मिश्र आगामी पुस १७ गते उमेर हदके कारण अवकाश प्राप्त करए जा रहल छथि । प्रधानन्यायाधीश ओमप्रकाश मिश्र अवकाश होबएसँ एक महिना आगा नयाँ प्रधानन्यायाधीश नियुक्तके प्रकिया आगा बढाओलगेल अछि ।
न्यायपरिषद प्रधानन्यायाधीशके लेल योग्यता पहुँचल न्यायाधीशसभक रोस्टर संवैधानिक परिषदके सचिवालयमे पठओला बाद परिषद्के बैठक बजाओलगेल अछि । न्यायपरिषद् सचिवालय प्रधानन्यायाधीशके लेल सर्वोच्च अदालतक वरिष्ठतम न्यायाधीश दिपकराज जोशी आ चोलेन्द्रशमसेर जबराके नाम सिफारिस कएने अछि । प्रधानन्यायाधीशमे प्रस्तावित दीपकराज जोशीके नियुक्तिके लेल संवैधानिक परिषद्के सिफारिसकेँ उन्टओला बाद कांग्रेस ओहिकेँ निर्णय प्रक्रिया बहिष्कार कएने छल ।
बहुमतके आडमे संवैधानिक निकायकेँ अपन प्रभावमे रखबाक प्रयास कएलगेल कहैत कांग्रेस विरोध करैत आएल अछि । ओहिसँ एहि बेर सेहो सतापक्षक इच्छा अनुसार प्रधानन्यायाधीश नियुक्ति प्रक्रियाकेँ सहज रुपेँ आगा बढए नहि देबाक रणनीतिमे कांग्रेस अछि । एहिबेर सेहो प्रधानन्यायाधीशके स्वभाविक रोलक्रमके पहिल नम्बरमे दीपकराज जोशी छथि । संसदीय सुनुवाइमे अस्वीकृत भेला बादो हुनका उपर कोनो अभियोग लागल पुष्टि नहि भेल अछि । ओ वरिष्ठ न्यायाधीशके हैसियतमे काज कऽ रहल अछि ।
प्रधानन्यायाधीशके लेल प्रस्तावित दोसर न्यायाधीश चालेन्द्र शम्शेर राणा सेहो विवादमुक्त नहि छथि । हुकर किछु फैसला विवादमे अछि तऽ बेन्च बहिष्कार कएने आ न्यायालय भितर गुटबन्दी करबाक सहितक आरोप हुनका उपर अछि । चोलेन्द्र करिब साढे चारि वर्ष प्रधानन्यायाधीश हएबाक तय भेला बाद किछु समय जोशीकेँ अवसर देबएके पक्षमे पहल भऽ रहल अछि । एहिमे कांग्रेस अडान लऽ रहल अछि तऽ प्रधानमन्त्री ओली सेहो एहिमे नकारात्मक नहि छथि ।
नेकपाक दोसर अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड जोशीके छोट इन्ट्रीके लेल ग्रिन सिग्नल दऽ चुकल छथि । सोमदिन बैठक स्थगित होएब सेहो याह संकेत देने अछि । संविधानमे प्रधानन्यायाधीश अवकाश होबएसँ एक महिना आगा संवैधानिक परिषद् नयाँ प्रधानन्यायाधिशके नाम सिफारिस करए परबाक संवैधानिक व्यवस्थाके पालना नहि भऽ सकल अछि । लम्बा समय कामु प्रधानन्यायाधीश सर्वोच्च अदालतक नेतृत्व कएला बादे संवैधानिक परिषद नाम सिफारिस कऽ संसदीय सुनुवाईके प्रक्रिया पूरा करबाक प्रचलनसँ न्यायालयमे अनिश्चितताके स्थिति सेहो पैदा भेल अछि ।

Have your say