Breaking-News

नेपाल, भारत आ श्रीलंकाबीच त्रिकोणात्मक टी–२० क्रिकेट प्रतियोगिता

Please follow and like us:

जनकपुरधाम १० गते । नेपाल, भारत आ श्रीलंकाक तीन क्लबबीच त्रिकोणात्मक टी–२० क्रिकेट प्रतियोगिता होबए जा रहल अछि । प्रतियोगिता काठमाण्डुका त्रिवि मैदानमे होएत जनाओलगेल अछि ।
तीनु देशक क्लबबीच माघके पहिल सप्ताह प्रतियोगिता होबए जा रहल अछि । माघ १ गतेसँ १० गतेधरि चलएबला प्रतियोगिता महाकाली स्पोर्टस सोसाइटी आ नेपाल ईन्टरनेसनल ईभेन्ट म्यानेजमेन्ट संयुक्त रुपेँ आयोजना कऽ रहल अछि ।
श्रृंखलामे नेपालक तर्फसँ नेपाल राइनोज क्रिकेट क्लब, भारतक सिडब्लुटी क्रिकेट क्लब आ श्रीलंकाक कन्दुकार क्रिकेट क्लब प्रतिस्पर्धा करत । नेपालक राइनोज टीमके प्रतिनिधित्व मञ्जीत श्रेष्ठ करताह ।
तहिना भारतीय टीम सिडब्लुटीके नेतृत्व दिनेश कुमार आ श्रीलंकाक कन्दुकार क्बक नेतृत्व सानुख धनन्जयके रहत । प्रतियोगिताक पुरस्कार राशी एखन सार्वजनिक नहि कएलगेल अछि ।

Have your say