Breaking-News

राजपा महामन्त्री सिंह उपर दु करोड भ्रष्टाचारक मुद्दा

Please follow and like us:

काठमाण्डू २१ गते । वन मन्त्रालय अन्तर्गत रोजगारीमे रहल एक सहायक अधिकृत अवकाश प्राप्त करए धरिक अवधिमे कतेक रकम आर्जन कऽ सकैत अछि ? एहिके अनुमान लगाएब कठिन नहि अछि । निजामती सेवाके राजपत्र तृतिय श्रेणीके अधिकृतके तलब हालके स्केलमे भत्तासहित ३२ हजार पहुँचैत अछि । अवकाश पाबएके अवधिधरि आर्जन कएने सम्पत्ति हिसाब कएलापर बचतके रुपेँ किछु लाख रुपैँया भऽ सकैत अछि । मुदा, वन अधिकृतके रुपेँ कार्यरत रहल एक कर्मचारी करिब २ करोड रकम अवैधानिक रुपेँ आर्जन कएने देखलगेल अछि ।
एहि बीचमे ओ ३ करोड रुपैयाँ अवैधानिक रुपेँ कमएने रकम खर्च कएने आ ओहिके स्रोत सेहो नहि खुजि सकल अनुसन्धानमे देखलगेल अछि । २ करोड अकुत सम्पत्ति आर्जन कएन्हिार अवकाश प्राप्त सहायक वन अधिकृत छथि, विनोद कुमार सिंह । वन मन्त्रालयक आकर्षक स्थानसभमे नोकरीमे रहल सिंह अकुत सम्पत्ति आर्जन कएने रहस्य हुनकर अवकाशक बाद खुजल अछि । अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगमे सिंह विरुद्ध भ्रष्टाचार कऽ अकुत सम्पत्ति आर्जन कएने उजुरी परला बाद खोजी कएलापर ई रहस्य खुजल अछि । अख्तियार सिंह पदमे रहल समय विभिन्न गैरकानुनी कार्यसँ रकम आर्जन कऽ नुकओने देखलगेला बाद सोमदिन विशेष अदालतमे मुद्दा समेत दायर कएने अछि ।
अख्तियार सिंहसँग एक करोड ९१ लाख ६१ हजार ६ सय २५ रुपैयाँ बराबरके सम्पत्तिके स्रोत नहि खुजल दावा अछि । सिंह २०४३ सालमे निजामती सेवामे भर्ना भेल रहन्हि । अख्तियार हाल हुनकासँग रहल सम्पत्ति देखला बाद ओहि रकमके स्रोत पुष्टि नहि भऽ सकल अछि । एहि अवधिमे तीन करोड ५१ लख ८२ हजार ६ सय ४४ रुपैयाँ खर्च कएने अख्तियारक अनुसन्धानमे खुजल अछि । खर्च भऽ चुकल रकम सेहो अवैधानिक स्रोत नहि होबए सकबाक मुदा, ओहिके पुष्टि नहि कऽ सकला बाद अख्तियार आरोपपत्रमे दाबा नहि कएने अछि ।
अख्तियार अनुसन्धानमे दोसर तथ्य सेहो भेटल अछि । निजामती सेवामे प्रवेश भेला बाद एखन धरि डेढ करोड आम्दानी कएने सिंहके परिवार खर्च साढे ३ करोडसँ अधिक कएने देखलगेल अछि । सिंह २०४३ फागुन १३ गतेसँ जाँच अवधिमे १ करोड ६० लाख २१ हजार ८ आय आर्जन कएने अख्तियारके आरोपपत्रमे उल्लेख अछि । सिंह परिवारक सदस्यसभक चल अचल सम्पत्ति सिर्जना एवं शेयर लगानी, बिमा,बैंक मौज्दात सहितक शीर्षकसभमे सेहो कऽ आम्दानीको तेब्बर अर्थात् ३ करोड ५१ लाख ८२ हजार ६ सय ४४ खर्च कएने विवरण अख्तियार अनुसन्धान कएला बाद भेटल अछि । करिव २ करोड रुपैया सिंह गैरकानुनी आर्जन कएने देखलगेल अछि । सम्पत्तिके स्रोत नहि खुजल देखलगेला बाद सम्पत्ति विवरण अस्वभाविक देखलगेल कहैत हुनकर परिवारक नाममे रहल सम्पत्ति सेहो जफत होबए पडत अख्तियारक दाबा अछि ।
सिंह अकुत सम्पत्ति आर्जन कएने अख्तियारमे उजुरी दायर होबएबला समय धरि ओ वन अधिकृतके रुपेँ कार्यरत छलथि । जहन अख्तियार बयानक लेल बजओलक ओ पदसँ राजीनामा देलन्हि । २०७४ सालमे ओ अवकाश पाबएके किछु वर्ष मात्र बाँकी रहल समय पदसँ राजिनामा देलन्हि । अख्तियार पदमे रहल समय भ्रष्टाचारके मुद्दा करबाक भनक सुनला बाद ओ पद त्याग कएने छलथि । सिंह गत वर्ष राजीनामा देने रहथि ।
राष्ट्रसेवक भेला बाद कोन श्र्रोतसँ सम्पत्ति आर्जन कएने अछि स्रोत पुष्टि करए नहि सकला बाद गैरकानुनी रुपेँ सम्पत्ति आर्जन कऽ साबिक भ्रष्टाचार निवारण ऐन विपरितके कार्य कएने कहैत अख्तियार १० वर्ष कैद सजाय होबए पडत दावा कऽ रहल अछि । अख्तियार सिंहसँग अकुत सम्पत्ति आर्जन कएने बराबरके जरिवाना आ बिगो सेहो असुल होबए पडत दावा कएने अछि । आयोग हुनकर पत्नी गीतादेवी सिंह, बेटासभ अनुप कुमार सिंह आ अचल कुमार सिंहविरुद्ध सेहो मुद्दा दायर कएने अछि । अकुत सम्पत्ति पत्नी आ बेटाके नाममे रहल कहैत मुद्दा दायर कएने अछि ।

Have your say