Breaking-News

काँग्रेस महासमितिक बैठक अगहन २८ गते, गच्छेदार उपसभापतिमे मनोनित

Please follow and like us:

काठमाण्डु २१ गते । नेपाली काँग्रेसक महासमिति बैठक निर्धारित मितिसँ तीन सप्ताह आगु बढल अछि । अगन ५ गतेसँ ९ गते धरि तय कएलगेल महासमिति बैठक आब अगहन २८ गतेसँ पुष ३ गते होएत । मगंलदिन सम्पन्न काँग्रेस केन्द्रीय समितिक बैठक महासमितिक बैठक आगु बढएबाक निर्णय कएलक अछि । समयअभावक कारण अगहन ५ गतेसँ बजाओलगेल महासमिति बैठक आगु बढाबए परल नेता रमेश लेखक जानकारी देलन्हि ।
तहिना मंगलदिनके बैठक नेता विजयकुमार गच्छेदारके पार्टीक उपसभापतिमे मनोनित कएलक अछि । केन्द्रीय समितिक बैठकमे नेविसंघक अधिवेशने विषयमे कोनो चर्चा नहि भेल लेखक जानकारी देलन्हि । एहिबीच केन्द्रीय समितिक बैठक लेखा परीक्षण समिति सेहो गठन कएलक अछि । समितिक संयोजकमे श्याम घिमिरे नियुक्त भेल अछि ।
एक वर्ष पहिने आसिन २९ गते तत्कालीन नेपाल लोकतान्त्रिक फोरमकेँ काँग्रेसमे समायोजन कएने गच्छेदारकेँ काँग्रेस केन्द्रीय समितिक बैसार उपसभापतिमे मनोनित कएने अछि ।
गच्छेदार ११ वर्ष पहिने फागुन २०६४ सालमे नेपाली काँग्रेस परित्याग कऽ मधेशी जनअधिकार फोरममे प्रवेश कएने रहथि । २०२७ सालसँ नेपाली काँग्रेसक राजनीतिमे सक्रिय गच्छेदार सुनसरी क्षेत्र नम्बर ४ सँ प्रतिनिधिसभा सदस्यमे निर्वाचित भेल छथि ।
गच्छेदारके उपसभापति बनाबएलेल राजनीतिक निर्णय कएने कहैत सभापति शेरबहादुर देउवाक प्रस्तावकेँ सर्वसम्मतसँ पारित कएलगेल छल । मुदा सभापति देउवाक एहि प्रस्तावक प्रक्रियाप्रति वरिष्ठ नेता रामचन्द्र पौडेल, पूर्वमहामन्त्री प्रकाशमान सिंह आ पूर्वसहमहामन्त्री अर्जुननरसिंह केसी असहमति जनओलन्हि अछि ।
विधि विधान अनुसार समिति बना कऽ ओहि समितिक सिफारिस अनुसार गच्छेदारके उपसभापति बनएबाक ओसभ सुझाव देने रहथि । पौडेल धरफरीमे गच्छेदारके उपसभापति बनाबएसँ निक कोनो समितिके सिफारिस करबा पर जोड देने रहथि ।
गच्छेदार नेतृत्वक पार्टीसँ नेपाली काँग्रेसम प्रवेश कएने तत्कालीन नेपाल लोकतान्त्रिक फोरमक भातृ संस्थाक पदाधिकारी आ सदस्यसभकेँ काँग्रेसक भातृसंस्थामे समायोजन करबालेल उपसभापति विमलेन्द्र निधिक संयोजकत्वमे ५ सदस्यीय समिति गठन कएलगेल अछि । नेविसंघमे नेपाल लोकतान्त्रिकसँ आएल भातृ संस्थाक १५ गोटेकेँ केन्द्रीय समितिमे एहिसँ पहिने समेटलगेल छल ।

Have your say