Breaking-News

छठिक दिन मदिरा बिक्रिवितरणमे रोक

Please follow and like us:

जनकपुरधाम २१ गते । स्थानीय प्रशासन जनकपुर परिक्रमा क्षेत्रभितर मदिरा बिक्रिवितरणमे रोक लगओलक अछि । शान्ति एवम सौहाद्रपूर्ण वातावरणमे पावनि तिहार मनएबालेल स्थानीय प्रशासन मदिरा बिक्रिवितरणमे रोक लगएबाक निर्णय कएने अछि ।
मंगलदिन धनुषाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रदीपराज कँडेलक अध्यक्षतामे सम्पन्न जिल्ला सुरक्षा समितिक बैठक छठि पावनि दिन मदिरा बेचबिखनमे रोक लगएबाक निर्णय कएने अछि ।
मदिरा सेवनके कारण होबएबला उत्छृंखल गतिविधि रोकबाक उद्देश्यसँ छठिके दिन जनकपुरक परिक्रमा सडक क्षेत्रभितर मदिरा बेचबिखनमे रोक लगाओलगेल प्रमुख जिल्ला अधिकारी कँडेल जानकारी देलन्हि ।
तहिना दिपावली आ छठि पावनिमे फटकाजन्य सामग्रीक प्रयोग पूर्ण रुपेँ प्रतिबन्धित कएलगेल बतबैत कँडेल एहि प्रकारक कार्यमे संलग्न देखलगेला पर कानुन अनुसार कारबाही करबाक निर्णय बैठक कएने बतओलन्हि ।
सुरक्षा समितिक बैठक फटाकासहित प्रज्वलनशील पदार्थक कारोबार नहि करबालेल सम्पूर्ण जिल्लावासीसँ आग्रह कएने अछि । बैठकमे नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी, नेपाली सेना प्रमुखसभक उपस्थिति छल ।

Have your say