Breaking-News

दिपावलीके देखैत बजारमे किनमेल करबालेल भिड

Please follow and like us:

जनकपुरधाम २१ गते । बुधदिन होबएबला दिपावलीके लेल जनकपुरमे चहलपहलमे वृद्धि भेल अछि । दिपावलीमे लक्ष्मी पूजा करबालेल उद्योगी व्यवसायी अपन अपन दोकानक सरसफाइमे जुटल छथि तऽ सर्वसाधारण किनमेल करबामे व्यस्त छथि ।
दिपावलीमे दोकान तथा घरआँगन सजाबएबला सामग्री खरिद करबालेल बजारमे सर्वसाधारणके भिड देखलगेल अछि । लक्ष्मी पूजाक अवसर पर जानकी मन्दिर प्राङ्गणमे लागएबला बजारमे सर्वसाधारणक उल्लेख्य भिड देखलगेल छल ।
पूजालेल प्रसाद, सजावटमे प्रयोग होबएबला विभिन्न प्रकारक रंगीन कागज, भगवानक फोटोसहितक सामग्री खरिद करबालेल सर्वसाधारण व्यस्त देखलगेल छथि ।
तहिना स्थानीय व्यापारीसभ अपन अपन दोकानक सरसफाइमे जुटल छथि । दिपावलीमे प्रत्येक व्यापारी अपन अपन दोकानक आगु केराक गाछ अनिवार्य रुपेँ राखि कऽ सजावट करैत अओलाक कारण केरा गाछक बिक्रिमेसेहो वृद्धि होइत अछि ।
एहि वर्षक दिपावलीमे महगाइक पैघ असर देखलगेल स्थानीय उपभोक्तासभ बतबैत छथि । मूल्यवृद्धिके कारण कठिनाई भेलाक बादो वर्षमे एकबेर आबएबला दिपावली उल्लासपूर्वक मनएबाक तैयारी कएने स्थानीय संजय गुप्ता बतओलन्हि । स्थानीय प्रशासन बजार अनुगमन नहि कएलाक कारण बजार मूल्य अनियन्त्रित हरल हुनकर कहब छलन्हि ।
एहि क्षेत्रक चर्चित जनकपुरक दिपावली देखबाले विदेशी पर्यटकसभ सेहो पहुँचल करैत अछि । अन्य वर्षजँका एहुबेर दिपावलीके लक्षित कऽ विदेशी पर्यटकसभ जनकपुर पहुँचल होटल व्यवसायीसभ बतओलन्हि अछि ।

Have your say