Breaking-News

दियावातीके मध्यनजर करैत सुरक्षा व्यवस्था कडा

Please follow and like us:

जनकपुरधाम २१ गते । हिन्दुसभक महान पावनि दियावातीके मध्यनजर करैत जनकपुर सहित सम्पूर्ण जिल्लाक सुरक्षा व्यवस्था कडा बनाओलगेल अछि । दियावातीक मौका पर होबएबला संभावित दुर्घटनाके रोकबालेल नगर क्षेत्र सहित जिल्ला भरिमे सुरक्षा व्यवस्था कडा बनाओलगेल सुरक्षा प्रमुखसभ बतओलन्हि अछि । जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषाक प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक दीपेन्द्र शाही नगर सहित जिल्लामे शान्ति सुरक्षा कायम करबालेल सुरक्षा व्यवस्था कडा बनाओलगेल जानकारी देलन्हि अछि । दियावातीमे शान्ति सुरक्षा सुदृढ करबालेल मोबाइल टोली सहित सादा पोषाक, मोटरसाइकल, चेकजाँचके तिब्रता देलगेल शाही बतओलन्हि । दियावातीके समयमे होबएबला अधिक भीडभाडके देखैत सादा पोशाकमे पैघ संख्यामे सुरक्षाकर्मी परिचालन कएलगेल हुनकर कहब छलन्हि । तहिना जनकपुर प्रवेश करएबला विभिन्न नाका पर साँझ भिन्सर सवारी चेकजाँचके तिब्रता देलगेल अछि ओ जानकारी देलन्हि । जिल्लाक शान्ति सुरक्षा सुदृढ करबाक उद्देश्यसँ थप पिकेट टोली सेहो परिचालन कएलगेल ओ बतओलन्हि । जिल्लावासीके निर्भिक्क आ शान्तिपूर्ण रुपेँ दियावाती मनाबि सकए एहि बात पर सुरक्षा निकाय सचेत अछि प्रहरी नायव उपरीक्षक शाहीके कहब छन्हि ।
तहिना दियावातीक मौकापर फटक्का, फुलझरी सहिक समाग्री पर कडाईके साथ निगरानी कएल जा रहल ओ जानकारी देलन्हि । सीमा क्षेत्रमे शुरु कएलगेल कडाईके कारण एहिबेर नगर क्षेत्रमे न्युन मात्रामे फटक्काके आवाज सुनल जा रहल हुनकर कहब छन्हि । कडाईके बाद विभिन्न नाकासभसँ नेपाल तर्फ लाबि रहल फटक्का, फुलझरी सहितक समाग्री सेहो नियन्त्रणमे लेलगेल ओ जानकारी देलन्हि । तहिना धनुषाक सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक राजु पाण्डे धनुषा प्रवेष करएबला विभिन्न नाकासभमे चेकजाँचके कडाई कएलगेल जानकारी देलन्हि अछि । तहिना नगर क्षेत्रमे सेहो शान्ति सुरक्षाक स्थिति मजबुत करबालेल उल्लेख्य संख्यामे सशस्त्र पुलिस परिचालन कएलगेल पाण्डे बतओलन्हि ।

Have your say