Breaking-News

मोदीक जनकपुर भ्रमण रद्द ?

Please follow and like us:

जनकपुरधाम २१ गते । रामजानकी विवाहपञ्चमीक अवसर पर जनकपुर आबि रहल कहलगेलाक बादो भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी जनकपुर भ्रमण रद्द कएलन्हि अछि । स्रोतक अनुसार विवाहपञ्चमीक अवसरमे आब भारतीय गृहमन्त्री राजनाथ सिंह आ उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री योगी आदित्यनाथ आबि रहल छथि । विवाहपञ्चमीक अवसर पर भारतीय प्रधानमन्त्री मोदीकेँ जनकपुर पहुँच कऽ भारतक सहयोगमे नवनिर्मित जनकपुर–जयनगर रेलसेवा उद्घाटन करबाक कार्यक्रम रहल चर्चा चलल छल । मुदा विवाहपञ्चमीक आब किछुएदिन बाँकी रहल समय मोदी जनकपुर भ्रमण रद्द कएने बताओलगेल अछि । मोदी एहिसँ पहिने वैशाख २९ गते अपन चारिम नेपाल भ्रमण जनकपुरसँ शुरु कएने रहथि ।
भारतीय आन्तरिक राजनीति आ एहि नोभेम्बर २० तारिखसँ होबए जा रहल राज्यसभा चुनावक कारण मोदी जनकपुर भ्रमण स्थगित कएने बताओलगेल अछि । नोभेम्वर २० सँ डिसेम्बर ७ तारिख धरि भारतक छत्तिसगढ, मध्यप्रदेश, राजस्थान आ तेलांगना राज्यमे विधानसभा चुनाव होबए जा रहल अछि ।
भाजपा मोदीके चुनावी कार्डके रुपमे प्रयोग करैत अपन सम्पूर्ण बल ओहि राज्यसभक चुनावमे लगा रहलाक कारण मोदीक जनकपुर भ्रमण रद्द कएलगेल अधिकारीसभ बतओलन्हि ।
यद्यपी परराष्ट्र मन्त्रालयक तर्फसँ पठाओलगेल औपचारिक निमन्त्रणके भारत जबाब नहि पठओने अछि । भारतमे होबए जा रहल लोकसभा निर्वाचनमे ‘हिन्दुत्व’ क कार्डके रुपमे प्रयोग करबालेल मोदी रामजानकी विवाहोत्सवमे जनकपुर अओताह चर्चा छल । एहिसँ पहिने मोदी कर्नाटक विधानसभा निर्वानसँ ठिक पहिने जनकपुर भ्रमण कएने रहथि ।

Have your say