Breaking-News

बालिका बलात्कारक आरोपमे बृद्ध नियन्त्रणमे

Please follow and like us:

महोत्तरी २० गते । १३ वर्षीया बालिका बलात्कार कएने आरोपमे प्रहरी एक बृद्धकेँ नियन्त्रणमे लेने अछि । बलात्कारक आरोपमे महोत्तरीके मनरासिसवा नगरपालिका–६ सरपल्लोके ६५ वर्षीय खेभन साहकेँ प्रहरी नियन्त्रणमे लेने अछि । गत शनिदिन घरपर असगर रहल मौका देख कऽ साह बालिकाके घरमे आबि कऽ उपरका मंजिलापर बजओने आ बलात्कार कएने प्रहरी जनओलक अछि । बालिकाके परिवार प्रहरीमे देने जाहेरीके आधारमे साहकेँ नियन्त्रणमे लेलगेल महोत्तरीके प्रहरी उपरिक्षक ईश्वर कार्की जानकारी देलन्हि । साह उपर म्याद बढा कऽ जबर्जस्ती करणी मुद्दा चलाओलगेल प्रहरी उपरिक्षक कार्की बतओलन्हि ।

Have your say