Breaking-News

च्याम्बर अफ कमर्सद्धारा एक महिनाक कार्यक्रम सार्वजनिक

Please follow and like us:

जनकपुरधाम २० गते । च्याम्रब अफ कमर्स दिपावली आ छठि पर्वक अवसर पर एक महिनाक कार्यक्रम घोषणा कएलक अछि । च्याम्बर सोमदिन पत्रकार सम्मेलन कऽ एक महिनाक विभिन्न कार्यक्रम सार्वजनिक कएने अछि ।
पत्रकार सम्मेलनमे कमर्सक अध्यक्ष विजय साह मंगलदिन जानकी वृद्धाश्रममे साडी, फलफुल तथा मिठाई वितरण कार्यक्रम रहल जानकारी देलन्हि । तहिना २४ गते छठि पर्वक एक सय ब्रतालुसभकेँ साडी, पाँच केजी गहुम आ एक केजी मिठ्ठासहितक पूजन सामग्री वितरणके कार्यक्रम रहल ओ जानकारी देलन्हि ।
तहिना एक महिनाक कार्यक्रम अन्तर्गत एक सय छात्रछात्राके पोशाक वितरणके संगहि विद्यालय स्तरीय हाजिरी जबाब प्रतियोगिताक कार्यक्रम सेहो तय कएलगेल अध्यक्ष साह बतओलन्हि । एक महिनाक कार्यक्रममे लागएबला सम्पूर्ण खर्च च्याम्बरके पदाधिकारी स्वयं व्यवस्थापन कएने हुनकर कहब छलन्हि ।

Have your say