Breaking-News

अवैध भारतीय नोटसहित एक गिरफ्तार

Please follow and like us:

वीरगंज २० गते ।पर्सा प्रहरी भारतीय रुपैयाँसहित एक गोटेके गिरफ्तार कएलक अछि । रक्सौल सीमानाकासँ नेपालतर्फ आबि रहल अवस्थामे प्रहरी वीरगंज महानगरपालिका–१३ राधेमाई निवासी ४५ वर्षीय विजय साह कलवारकेँ गिरफ्तार कएने अछि । रक्सौल नाकासँ अवैध रुपेँ विदेशी मुद्रा लाबि रहल गोप्य सूचनाक आधार पर सवारी साधनसहित पैदलय यात्रीकेँ प्रहरी चेकजाँच कएने छल । भारतसँ पैदल आबि रहल कलवारक शरीर चेकजाँच करबाक क्रममे भारतीय मुद्रा २ हजार दरक नोट एक सय थान जम्मा दु लाख आ पाँच सय दरक नोट ६० थान भारु ३० हजारसहित कुल २ लाख ३० हजार बरामद भेल पर्सा प्रहरी जनओलक अछि ।
नियन्त्रणमे लेलगेल भारतीय नोटसहित कलवारकेँ आवश्यक कारबाहीके लेल राजश्व अनुसन्धान विभाग ललितपुर पठाओलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय पर्सा जनओलक अछि ।
तहिना पर्सा प्रहरी अवैध गरगहनासहित एक भारतीयकेँ वीरगंजसँ नियन्त्रणमे लेलक अछि । प्रहरी विहार पूर्वी चम्पारण मौजे टोल निवासी विरबहादुर प्रसाद साहकेँ नियन्त्रणमे लेने अछि ।
वीरगंज महानगरपालिका–१६ शंकराचार्य गेट नजदिक चेकजाँचक क्रममे साह शरीरमे नकओने अवस्थामे चाँदीके गरगहना बरामद भेल अछि । साहक सँगसँ १ लाख ३८ हजार मूल्य बराबरके ३ किलो २५० ग्राम चाँदीक तैयार कएलगेल गहना बरामद भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय पर्सा जनओलक अछि ।
प्रहरीके अनुसार साहक सँगसँ पायल ३६ जोड, सिक्री १९ टा, बाटी ९ टा, चम्मच १२ टा, हनुमानी २३ टा, चाबी रिङ ६ टा, ब्रासलेट ३ टा बरामद भेल अछि ।
तहिना भारतक विभिन्न स्थानसँ नेपाल आनलगेल फटक्का नियन्त्रणमे लऽ पर्सा प्रहरी नष्ट कएलक अछि । दिपावली आ छठि पावनिके लक्षित कऽ आनलगेल ३ लाख ५० हजार मूल्य बराबरके विभिन्न किसिमक फटक्का नियन्त्रणमे लऽ कऽ नष्ट कएलगेल प्रहरी जनओलक अछि ।

Have your say