Breaking-News

बिना दहेज विवाह कएन्हिार इन्जिनियर जोडी सम्मानित

Please follow and like us:

बीरगंज १२ गते । बिना दहेज विवाह कएन्हिार एक मुस्लिम जोडीके बीरगंजमे सम्मान कएलगेल अछि । सामाजिक कुप्रथाके रुपमे रहल दहेजविरुद्ध जागरण मञ्च सरोज अन्सारी आ शहनाज अन्सारीके प्रशंसापत्रसहित सम्मान कएलक अछि ।
सर्लाहीक बरला नगरपालिका–६ मिर्जापुरक रज्जाक अन्सारीके बेटा २९ वर्षीय सरोज आ बीरगंज महानगरपालिका–१३ मुरलीक अताउल्लाह अन्सारीक बेटी २६ वर्षीय शहनाजके शनिदिन विवाह भेल छल । पेशासँ शहनाज आ सरोज दुनु इञ्जिनियर छथि । शहनाज जिल्ला प्राविधिक कार्यालय पर्सामे सिभिल इन्जिनियरके रुपमे कार्यरत छथि । तहिना सरोज विद्युत प्राधिकरण क्षेत्रीय कार्यालय विराटनगरमे इलेक्ट्रिकल इन्जिनियरके रुपमे कार्यरत छथि ।
बालिग भऽ बिना दहेज आदर्श तथा उदाहरणीय विवाह कएलाक कारण हुनकासभकेँ सम्मान कएलगेल मञ्चक अध्यक्ष बृजेशप्रसाद चौधरी जानकारी देलन्हि । अन्सारीद्धय विवाहमे दहेज लेनदेन नहि कएने जानकारी भेटलाक बाद हुनकासभकेँ सम्मान कएलगेल चौधरी बतओलन्हि ।
मञ्च दहेज तथा बालविवाह सन सामाजिक कुरितीविरुद्ध जागरण अभियान सञ्चालन करबाक संगहि उदाहरणीय जोडीसभकेँ सम्मान करैत आएल सामाजिक अभियन्ता प्रकाश थारु बतओलन्हि ।

Have your say