Breaking-News

बिहारक मुख्यमन्त्री नितिशकेँ लक्षित कऽ चप्पल प्रहार

Please follow and like us:

पटना २६ । बिहारक मुख्यमन्त्री नितिश कुमारकेँ लक्षित कऽ एक युवक चप्पल प्रहार कएलक अछि । अपने पार्टीके विद्यार्थी संगठनके कार्यक्रममे सहभागी होबए पटनास्थित सभाघर पहूँचल नितिशकेँ लक्षित कऽ चप्पल प्रहार कएलगेल अछि । चप्पल प्रहार कएन्हिार युवककेँ प्रहरी नियन्त्रणमे लेने अछि । नितिशके पार्टी जदयू आवद्ध विद्यार्थीसभक जमघट बजाओलगेल छल । ओहि जमघटमे बिहारके सभ जिल्लासँ पैघ संख्यामे विद्यार्थीसभ जम्मा भेल छल ।
कार्यक्रम चलि रहल समय एक युवक मञ्चमे बैसल मुख्यमन्त्री नितिशकेँ लक्षित कऽ चप्पल फेकने बताओलगेल अछि । यद्यपी युवक फेकने चप्पल नितिश धरि नहि पहुँच कऽ मञ्च निचा खसल भारतीय सञ्चार माध्यमसभ जनओलक अछि ।
नितिश उपर चप्पल फेकलगेल ई पहिल घटना नहि अछि । एहिसँ आगा सन् २०१६ मे बिहारके बख्तियारपुरमे कार्यक्रममे सहभागी होबए पहुँचल समय एक युवक नितिशकेँ लक्षित कऽ मञ्चमे जुत्ता प्रहार कएने छल । भारतक गुजरातमे बिहारसहित उत्तर भारतीयसभ उपर पछिला दिनमे आक्रमण होइत आएल अछि । गुजरातक स्थानीयसभ उत्तर भारतीयसभकेँ गुजरात छोड्बालेल उर्दी जारी कएने अछि । काज करबालेल गुजरात पहुँचल बिहारक नागरिक उपर निरन्तर आक्रमण भऽ रहला बादो मुख्यमन्त्री नितिश किछु नहि बाजए सकल कहैत बिहारमे हुनका विरुद्ध आक्रोश बढ्ैत गेल अछि । गुजरातमे भारतीय जनता पार्टीके सरकार अछि आ बिहारमे नितिशकेँ सेहो ओकर समर्थनमे सरकार अछि ।

Have your say