Breaking-News

मिस नेपाल पहिलबेर जनकपुरधाम आबि रहल

Please follow and like us:

जनकपुरधाम २६ । मिस नेपाल निकिता चंडक पहिल बेर जनकपुर आबि रहल छथि । युवासभकेँ लक्षित कऽ होबए जा रहल संगम युवा त्योहार कार्यक्रममे सहभागी होबए ओ जनकपुर आबि रहल छथि । इलेन इभेन्ट मैनेजमेन्टके आयोजनमे कृषि, विज्ञान तथा कला प्रदर्शनीमे आधारित होेबए जा रहल ओहि कार्यक्रमे सरिक होबए चंडक शुक्रदिन जनकपुर आबि रहल छथि । अगामी आश्नि २७ गते होबए जा रहल संगम युवा त्योहार कार्यक्रममे प्रदेश २ क कृषि मन्त्री शैलेन्द्र साह सहित जनकपुरक स्थानीय मोडेलसभ सेहो सहभागी हएबाक बताओलगेल अछि । तराई उर्वर भूमी रहला बादो कृषि क्षेत्रमे उन्नती करए नहि सकल कहैत कृषि क्रान्तिके लेल ओहि कार्यक्रमे नया अवधारणा प्रस्तुत करए जा रहल आयोजक संस्थाक संयोजक रिती कर्ण जानकारी देली अछि ।
अपने देशमे रोजगारीके अवसर सृजना करबालेल जापान, न्युजिल्याण्ड आ भारतक केरला राज्यमे भऽ रहल वैज्ञानिक खेती विषयमे अध्ययन कऽ ओही तरिकासँ तराईमे सेहो खेती करए सकबाक खाका ओहि कार्यक्रममे प्रस्तुत करबाक संयोजक कर्णके कहब छन्हि ।
‘पाठ्यक्रममे अनिवार्य कृषि विषय समावेश कऽ विद्यार्थीकेँ पढाओलगेल तऽ हुनकासभकेँ कृषि विषयमे पर्याप्त ज्ञान भऽ सकैत अछि ।’ रिती कहलीह ‘कक्षा ७ सँ विद्यार्थीसभकेँ २ घण्टा खेतमे काज कराओलगेल तऽ ओसभ १० या १२ कक्षा धरि मात्र पढला बादो देशमे स्वराजगार भऽ सकैत अछि ।’
कार्यक्रममे फ्याशन शो, मिथिला पेन्टिङ, माटि कला, नाचगान, कला तथा विज्ञान प्रदर्शनी सेहो हएबाक आयोजक संस्था इलेन इभेन्ट मैनेजमेन्ट जनओलक अछि । जनकपुरक भैरवचौक स्थित मसाला कटेजमे दिनके २ बजेसँ साँझ ७ बजे धरि ओ कार्यक्रम हएबाक बताओलगेल अछि ।

Have your say