मैथली समाचार

रंगशाला निर्माणके लेल जमीन उपलब्ध

Please follow and like us:

जनकपुरधाम २६ । जनकपुरमे सुविधासम्पन्न रंगशाला निर्माण होबए जा रहल अछि । जमीनक उपलब्धताक समस्याके कारण प्रक्रिया आगु नहि बढि सकल छल । मुदा, रंगशाला निर्माणक लेल जनकपुरधाम–१४ रजौलमे जमीन उपलब्ध भेलाकबाद रंगशाला निर्माण करिबकरिब निश्चित भेल अछि ।
जनकपुरमे प्रस्तावित ‘श्री राम जानकी बहुउद्देशीय अन्तराष्ट्रिय रंगशाला’ निर्माणके लेल जनकपुर–१४ मे लक्ष्मण मन्दिर अधिनस्त १६ विघा १७ कठ्ठा १९ धुर १ कनमा जमीन चयन कएलगेल अछि ।
प्रदेश २ सरकार लक्ष्मण मन्दिर अधिनस्त ओ जमीन रंगशाला निर्माणके लेल चयन करबाक निर्णय करैत राष्ट्रिय खेलकुद परिषदके जानकारी करओलक अछि ।
संघीय सरकारक नीति तथा कार्यक्रम अनुसार राष्ट्रिय खेलकुद परिषद जमीन उपलब्ध करएबालेल प्रदेश सरकारके कहने छल । जाहि अनुसार प्रदेश सरकार ई जमीन उपलब्ध करओने श्री राम जानकी खेलकुद विकास संस्थाक अध्यक्ष दिनेश पुर्वे जानकारी देलन्हि ।

Have your say