Breaking-News

सस्ता बजारमे अखाद्य वस्तु बेचएबला नियन्त्रणमे

Please follow and like us:

जनकपुरधाम २६ । दशैंमे उपभोक्तासभक लेल जनकपुरमे सञ्चालन कएलगेल सस्ता बजारमे अखाद्य वस्तु भेटल अछि । सञ्चालन भेलाक दोसरे दिन अनगुमनक क्रममे सस्ता बजारमे अखाद्य वस्तु भेटल छैक ।
जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक पहलमे हरेक वर्ष दशैंमे लागएबला सस्ता बजारके राजपा नेपालक अध्यक्ष मण्डलक सदस्य राजेन्द्र महतो बुधदिन उद्घाटन कएने रहथि । सस्ता बजारमे अखाद्य पदार्थ बिक्रि वितरण कएन्हिार एक व्यापारीकेँ अनुगमन टोली नियन्त्रणमे लेलक अछि । जनकपुरक गोपाल धर्मशालामे लगाओलगेल सस्ता बजारमे अनुगमनक क्रममे आइसक्रिम विक्रेता विकास दासकेँ अनुगमन टोली नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
अनुगमनक क्रममे आइसक्रिममे देखलगेल कारी पदार्थ कि अछि कहैत अनुगमन टोली प्रश्न कएलाकबाद विक्रेता दास बकरीके दिसा रहल कहैत अटेरी प्रतिक्रिया देलाकबाद नियन्त्रणमे लेलगेल अनुगमन टोलीमे सहभागी घरेलु तथा साना उद्योग कार्यालयक प्रतिनिधि जितेन्द्रप्रसाद सिंह बतओलन्हि अछि ।
जनकपुर उपमहानगरपालिका–८ स्थित मनोज चौधरी सञ्चालन कएने अमर आइसक्रिम उद्योगसँ उत्पादिन आइसक्रिममे म्याद सेहो उल्लेख नहि कएलगेल अनुगमन टोली जानकारी देलक अछि ।
जिल्ला प्रशासन कार्यालयक अधिकृत दिनेश साहक नेतृत्वमे कएलगेल अनुगमन टोलीमे नापतौल धनुषा विरेन्द्र उपाध्याय, जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा प्रहरी हवल्दार शंकर कटुवालसहितक व्यक्तिके सहभागिता छल ।
हिन्दुसभक पावनि दशमी, दिपावली आ छठिके मध्यनजर करैत जिल्ला प्रशासन कार्यालय पछिला किछु दिनसँ अनुगमनके तीव्रता देने अछि । पावनि तिहारक समयमे कालाबजारी, महँगी बढल जनशिकायत आधार पर अनुगनमनके तीव्रता देलगेल जिल्ला प्रशासन कार्यालय धनुषा जनओलक अछि ।

Have your say