Breaking-News

‘विश्वविद्यालय सञ्चालन करबालेल प्रादेशिक सरकार सेहो गंभीर नहि अछि’

Please follow and like us:

जनकपुरधाम २५ ।नेपाली काँग्रेसक उपसभापति विमलेन्द्र निधि जनकपुरमे स्थापना कएलगेल राजर्षि जनक विश्वविद्यालय सञ्चालन करबालेल प्रदेश सरकार सेहो गंभीर नहि देखलगेल आरोप लगओलन्हि अछि ।
बहुत परिश्रम आ प्रयासकेबाद जनकपुरमे विश्वविद्यालय स्थापना भेल अछि उल्लेख करैत उपसभापति निधि केन्द्र सरकारक संगहि प्रादेशिक सरकार सेहो सञ्चालनतर्फ उदासीन देखलगेल बतओलन्हि ।
नेपाल प्रेस युनियन धनुषा बुधदिन जनकपुरमे आयोजना कएने पत्रकार सम्मेलनमे निधि कहलन्हि,‘प्रदेशके मुख्यमन्त्री विश्वविद्यालयक सहकुलपति छथि । कमसँ कम ओहि हैसियतसँ हुनका एहितर्फ ध्यान देब जरुरी अछि । मुदा ओसभ गंभीर नहि छथि ।’
‘जनकपुरस्थित राराब क्याम्पसकेँ राजर्षि विश्वविद्यालयक आधार क्याम्पसके मान्यता सरकार दऽ चुकल अछि,’ ओ कहलन्हि,‘सरकारी स्तरसँ आधार क्याम्पसके मान्यता भेट चुकल छैक । राराबमे कार्यरत किछु कर्मचारी आ प्राध्यापक हस्तान्तरण करबालेल तैयार नहि छथि । मुदा सरकार एहिप्रति मौन अछि ।’
मधेशी जनताक हकहितक नारा दऽ कऽ सरकारमे पहुँचलाकबादो प्रदेश सरकारमे गेलाकबादो शिक्षा, स्वास्थ्यसहितक आधारभूत आवश्यक्तातर्फ ध्यान नहि दऽ सकल हुनकर कहब छलन्हि ।
देशमे संघीय संरचना कार्यान्वयनमे आबि गेलाकबादो प्रदेश सरकार अधिकार सम्पन्न नहि होबए धरि सफल हएबामे समस्या रहल निधि स्पष्ट कएलन्हि । संघीय सरकार प्रदेशके अधिकार देबएमे आनाकानी कऽ रहल आ प्रदेश सरकार अधिकार लेबएलेल अग्रसर नहि देखलगेल ओ उल्लेख कएलन्हि । प्रदेश २ मे मात्र नहि सातु प्रदेशमे करिब करिब एहि प्रकारक समस्या रहल हुनकर कहब छलन्हि ।
प्रदेशके अधिकार नहि दऽ कऽ केन्द्र सरकार संघीयता कमजोर करए चाहि रहल अछि आ ओहिके सहयोगी भूमिका प्रदेश सरकार खेल रहल अपनासभके शंका रहल निधि बतओलन्हि । प्रदेश सरकार अपन कानुन नहि बना सकल अछि आ कानुन निर्माणलेल केन्द्र सरकार पर दबाब सेहो नहि दऽ सकल हुनकर कहब छलन्हि ।
भारतीय प्रधानमन्त्री चन्द्रशेखर जनकपुर आएल समय जनकपुर–जयनगर रेलसेवा विस्तार करबाक चर्च शुरु भेल उल्लेख करैत उपसभापति निधि एखन प्रदेशमे चलि रहल विकास निर्माणक काजसभकेँ अनुगमन आ तिव्रता देबएलेल प्रदेश सरकारसँ आग्रह कएलन्हि । पत्रकार सम्मेलन नेपाल प्रेस युनियन धनुषाक अध्यक्ष शैलेन्द्र झाक अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल छल ।
एहिसँ पहिने नगराईन नगरपालिकाक लगमामे बुधदिन नवनिर्मित दुर्गा मन्दिरके उद्घाटन करैत उपसभापति निधि कम्युनिस्ट नेतृत्वक वर्तमान सरकार हत्या, हिंसा आ महँगाईबाहेक जनताके आओर किछु नहि दऽ सकल बतओने छलथि । पछिला सात महिनाक अवधिमे देशमे महँगाई, हत्या, बलात्कार, महिला हिंसा तीव्र रुपेँ बढलाकबादो सरकार नियन्त्रण करबामे असफल देखलगेल ओ आरोप लगओलन्हि । देशमे बढि रहल हत्या हिंसासहितक घटनाके विषयमे सरकारमे सहभागी दलसभकेँ जबाब देबए परत हुनकर कहब छलन्हि ।
संविधान संशोधनके चुनावी नारा बना कऽ मधेश केन्द्रीत दलसभ एखन सत्तामे पहुँचलाकबाद संशोधनक बात बिसरि चुकल ओ उल्लेख कएलन्हि ।
‘मधेशवादी दलसभ संविधान संशोधनके मुद्दा बनओलक,’ निधि कहलन्हि,‘एखन प्रदेश २ मे मधेशवादी दलक सरकार अछि, केन्द्र सरकारमे सहभागी आ समर्थन कएने अछि, संविधान संशोधन कियाक नहि भऽ सकल अछि ?’ बिना संशोधन चुनावमे नहि जएबाक अडान पर रहल दलसभ एखन संशोधन भुलि चुकल हुनकर कहब छलन्हि ।
नेकपा आ मधेशवादी दल सम्मलित सरकार जनताक असह्य हएबाक हिसाबसँ कर बढओलाक कारण देशमे मूल्यवृद्धि भेल हुनकर कहब छलन्हि । दुर्गा मन्दिरक उद्घाटन कार्यक्रम वार्ड अध्यक्ष धनवीर मण्डलक अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल छल ।

Have your say