Breaking-News

‘रेल देखबालेल जनकपुर स्टेशन पर भिड’

Please follow and like us:

जनकपुरधाम २५ । जनकपुर रेलवे स्टेशनमे पहिलबेर ५३ बोगीसहितक रेल पहुँचल अछि । भारतक झारखण्डसँ ब्लास्ट (रेलवे लिकमे प्रयोग होबएबला गिट्टी) लऽ कऽ ५३ बोगीसहितक मालबाहक रेल बुधदिन बेरियामे जनकपुर पहुँचल अछि । एहिसँ पहिने जनयनगर स्टेशनसँ दुहबी स्टेशन धरि एतबे संख्या रहल बोगीसहितक रेल पहुँचल छल ।जयनगर–जनकपुर रेलमार्ग लिकमे ब्लास्ट रखबालेल भारतक झारखण्डसँ चलल मालबाहक रेल जनकपुर धरि पहुँचल रेल तथा मेट्रो विकास आयोजना साइट कार्यालय जनकपुरक प्रमुख साइट इन्जिनियर विनोद ओझा जानकारी देलन्हि ।
ओझाक अनुसार जयनगरसँ प्रतिघण्टा ७ सँ १० किलोमिटर प्रति घण्टाक गतिमे आएल मालबाहक रेलमे सवार मजदुर लिकमे ब्लास्ट खसबैत जनकपुर धरि पहुँचल छल । जयनगरसँ कुर्था धरि रेल सञ्चालन करबालेल ३ टा हल्ट आ ५ टा स्टेशनक निर्माण कार्य अन्तिम चरणमे अछि । तहिना स्टेशन भवन, आवास निर्माणसहित कार्य लगभग पुरा भऽ चुकल अछि ।
भारतक रेल निर्माण कम्पनी इरकोन इन्टरनेसनल जयनगरसँ कुर्था धरि ब्रोडगेज रेलमार्ग निर्माण कएने अछि । भारतसँ आएल मालबाहक रेल जनकपुर स्टेशन पहुँचालकबाद रेल देखबाले पैघ संख्यामे स्थानीयसभक भिड जुटल छल । किछु स्थानीय मन्द गतिमे आबि रहल रेल पर चढि कऽ पहिलबेर ब्रोडगुज रेलक अनुभूति लेने छलथि । भारत सरकारक सहयोगमे निर्माण भऽ रहल जयनगर–जनकपुर–कुर्था रेलमार्गमे एहिसँ पहिने दुहबी धरि रेलके सफल परीक्षण कएलगेल छल ।
आगामी अगहन महिनामे विवाह पञ्चमीक अवसर पर रेलमार्ग उद्घाटन करबाक तैयारी चलि रहल अछि । भारतक सहयोगमे पहिलबेर नेपालमे निर्माण कएलगेल ब्रोडगेज रेलम उद्घाटन करबालेल भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके जनकपुर अएबाक संभावना रहल बताओलगेल अछि । यद्यपी एहि विषयमे औपचारिक जानकारी अएबाक बाँकी रहल रेलवेके अधिकारीसभ बतओलन्हि अछि ।

Have your say