Breaking-News

जनकपुरमे विजया दशमीक चहलपहल

Please follow and like us:

जनकपुरधाम २५ । । हिन्दु धर्मावलम्वीसभक महान पावनि दशमी बुधदिनसँ शुरु भेल अछि । दशमीक पहिल दिन आई घरघरमे घटस्थापना कएलगेल । तहिना विजया दशमीमे दुर्गा पूजाके आयोजना होबएबला स्थानसभमे सेहो घटस्थापना कएलगेल अछि । नवरात्रामे दुर्गा स्तोत्र पाठ कऽ शक्ति स्वरुपा दुर्गामाताके स्तुति कएल जाइत अछि । निपपोत कऽ राखलगेल शुद्ध स्थानमे दिप, कलश, गणेशक स्थापना कऽ बाउल मिलाएल माटिमे जौ, तील, मकै सहितक सामग्री राखि कऽ घटस्थापना करबाक परम्परा अछि । एम्हर दशमीक शुरुवातक संगहि जनकपुरमे चहलपहलमे वृद्धि भेल अछि । प्रमुख शक्तिपीठ राजदेवी मन्दिर सहित एतुका विभिन्न स्थानसभमे दुर्गा पूजाके तैयारी कएलगेल अछि ।
जनकपुरक राजदेवी मंदिर, विद्यापति चौक स्थित दुर्गा मंदिर, रामानन्द चौक, दुर्गा चौक, वौधी माई, पिडडीया माइस्थान, रजौल, देवी चौक सहित एक दर्जनसँ अधिक स्थानमे दुर्गा पूजाके तैयारी कएलगेल अछि । तहिना जनकपुर अगल बगल ग्रामीण क्षेत्रमे सेहो प्रतिमा स्थाना कऽ धुमधाम एवम श्रद्धापूर्वक दुर्गा पूजाके तैयारी कएलगेल अछि । दुर्गा पूजाके भव्य रुपेँ सम्पन्न करबालेल आयोजक सभ एक महिना पहिनेसँ अर्थ संकलनक कार्यमे जुटि जाइत छथि ।
प्रतिमा स्थापना कऽ कऽ पूजा कएल जाएबला स्थान विद्यापति चौक स्थित दुर्गा मन्दिर, रामानन्द युवा क्लबक आयोजनामे रामानन्द चौक सहितक स्थान लगा कऽ सरसाजवट कऽ कऽ भव्यता प्रदान कएलगेल अछि । लगातार १९ वर्षसँ दुर्गा पूजा करैत आबि रहल रामानन्द युवा क्लब अन्य वर्षजँका एहु वर्ष पूजाके भव्य तैयारी कएने अछि । दुर्गा पूजा धुमधामसँग मनाबएलेल पण्डाल, प्रतिमा सहितक निर्माण कार्य तिब्र रुपेँ चलि रहल क्लबक अध्यक्ष मनमोहन साह जानकारी देलन्हि । दुर्गा पूजा सम्पन्न करबामे १० लाखसँ अधिक खर्चके अनुमान कएलगेल साह बतओलन्हि । जनकपुरवासीक आर्थिक सहयोगसँ पूजाके भव्यता देल जा रहल हुनकर कहब छलन्हि ।
तहिना राजदेवी मन्दिरमे दुर्गा पूजाके आयोजना करैत आबि रहल महावीर युवा कमिटी एहु वर्ष पण्डाल निर्माणमे कटौती कएने अछि । राजदेवी मन्दिरके सौन्दर्यीकरण कार्य पहिनेसँ कएलगेलाक कारणेँ पण्डाल निर्माणमे लागएबला खर्चके कटौती कएलगेल महावीर युवा कमिटीक अध्यक्ष रोशन शेखर जानकारी देलन्हि । एम्हर विद्यापति चौक स्थित दुर्गा मन्दिरमे सेहो दुर्गा पूजालेल पण्डाल निर्माण कार्यके एक सप्ताह पहिनेसँ तिब्रता देलगेल अछि ।
तहिना जनकपुरक वौधी माईमे पूजाआजा करैत आबि रहल रामयुवा कमिटी सेहो सरसजावट कऽ कऽ । राम चौक स्थित वौधीमाई प्राङण तथा बाहर कमिटीक तर्फसँ पण्डाल निर्माण सहित अन्य सरसजावटक कार्य शुरु भऽ चुकल कमिटीक अध्यक्ष शंभु शाह प्रेमी जानकारी देलन्हि । घटस्थापना दिनसँ पूजाअर्चना करबालेल श्रद्धालुसभक भिडभाड रहलाक कारणेँ ओहिसँ पहिने सम्पूर्ण तैयारी समाप्त करबाक लक्ष्य आयोजकसभ रखने अछि । जनकपुरक दुर्गा पूजामे नगर क्षेत्र सहित अगलबगलक स्थानसँ सेहो श्रद्धालु भक्तजन पूजाअर्चना करबालेल आएल करैत छथि । तहिना जनकपुर अगलबगल क्षेत्रमे सेहो दुर्गा पूजाके तैयारी तीब्र रुपेँ चलि रहल अछि ।

Have your say