Breaking-News

२ हजार लिटर अवैध मदिरा नष्ट

Please follow and like us:

जनकपुरधाम १८ । धनुषा प्रहरी विभिन्न स्थानसँ बरामद कएने करिब २ हजार लिटर अवैध घरेलु मदिरा नष्ट कएलक अछि । मंगलदिन जनकपुरधाममे आयोजित लागु औषध निषेध, मदिरा नियन्त्रण तथा लैङ्गिक हिंसा विरुद्धक सचेताना अभियान कार्यक्रममे प्रमुख जिल्ला अधिकारी, जनकपुर उपमहानगरके मेयर सहित अन्य संघसंस्थाके प्रतिनिधिके रोहबरमे प्रहरी ओ मदिरा नष्ट कएलक अछि । जिल्ला भरिक सभ मदिरा भट्टीसभकेँ नष्ट कऽ चुकला बादो अन्य स्थानसँ लाओलगेल मदिर नष्ट कएने धनुषाक प्रहरी नायव उपरिक्षक दिपेन्द्र शाही जानकारी देलन्हि । दसैँ तिहारक समयमे जनकपुरमे घरेलु मदिरा आयात बढला बाद प्रहरी जगह जगहपर छापा सेहो मारि रहल प्रहरी नायव उपरिक्षक शाही बतओलन्हि ।

Have your say