मैथिली समाचार

प्रधानमन्त्रीके तस्वीरप्रति काँग्रेसके व्यङ्ग्य ः ‘चौतारीमे राजा भेट गेल’

काठमाण्डू १७ गते ।योगदानमे आधारित सामाजिक सुरक्षा ऐन ०७४ सकारात्मक रहल बादो ओहिके प्रचारशैली अनावश्यक आ भड्काउ रहल कहैत मुख्य बिपक्षी दल नेपाली कांग्रेस पोल पोलमे साटलगेल प्रधानमन्त्री केपी ओलीके तस्वीरकेँ चौतारीमे राजा भेटल संज्ञा देलक अछि । कांग्रेस सभापति शेरबहादुर देउवा नेतृत्वक सरकारक समयमे ०७४ साउन ९ गते संसदसँ पारित भऽ साउन २९ मे राष्ट्रपतिसँ प्रमाणित भेल ऐनकेँ अगहन ११ गते कम्युनिष्ट सरकार अपने नयाँ कार्यक्रम जँका कऽ प्रधानमन्त्री केपी ओलीके तस्वीर शहरमे सजा कऽ पार्टीगत प्रचार कएने कहैत ध्यानाकृष्ट भेल कांग्रेस जनओलक अछि ।
भड्काउ शैलिके झुठ प्रचारसँ नहि भऽ परिपक्व आ जिम्मेवार ढंगक व्यवस्थापकीय कुशलतासँ कार्यान्वयन संभब हएबाक कांग्रेस प्रबक्ता बिश्वप्रकाश शर्मा बतओलन्हि । सम्भव हएबाक व्यवहारिक यथार्थप्रति नेपाली कांग्रेस नेपाल सरकारकेँ सचेत कराबए चाहैत छी । कार्यक्रमके सफलताके लेल कांग्रेसके खबरदारी आ आबश्यक साथ रहबाक ओ बतओलन्हि ।
नयाँ युगके संज्ञा देबए परत तऽ संसदमे पेश भेल दिन या पारित भेल दिन या राष्ट्रपतिसँ प्रमाणिकरण भेल दिन या गत अगहन ११ मे तामझाम कएलगेल दिन, एखनो कार्यान्वयनमे आबए तय कएलगेल ०७६ साउन १ के दिन कांग्रेस कहने अछि ‘एकहिटा सन्दर्भमे कतेक दिनकेँ नयाँ युगके संज्ञा देब ?’ ताहिसँ नयाँ युगके संज्ञासरकारके बढ्ैत गेल अलोकप्रियताकेँ झापएके प्रयास पाछा मात्र रहल कांग्रेसक ठहर अछि ।
नयाँ युग शुरु भेल कहि कांग्रेसक समयमे संसदसँ पारित ऐन लऽ कऽ भड्काउ तामझाम करब मुदा कांग्रेसक अ‍ो सरकार स्पाइनल इन्जुरी भऽ ह्वील चेयरमे बैसल, किड्नी, क्यान्सर आ हृदय रोगक असक्त विरामीकेँ मासिक ५ हजार जिविका चलाबए भत्ता देबएके निर्णय सरकार खारेज कएने कांग्रेसक बिज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।
श्रमिकके हितक लेल लाओलगेल कार्यक्रमके प्रचार करब श्रमिकके तस्वीर कतहु प्रयोगमे नहि लाएब मुदा चुनावी प्रचारजँका प्रमके तस्वीरकेँ ‘चौतारीमे राजा भेटल’ शैलीमे जतहततह साटए लेल नयाँ युग नहि पुरान युगके सम्झना करओने प्रबक्ता शर्मा बतओलन्हि । ओ प्रश्न कएलन्हि ‘ई केहन नया युग अछि जतह प्रधानमन्त्रीके तस्वीर टोलटोलमे, विजुलीके पोलपोलमे सजाएब मुदा एकटा बेटी निर्मला पन्तकेँ न्याय चाहि कहि हुनकर तस्वीर सहितक पोष्टर सटललासँ आ नागरिक गिरफ्तार होबए परत ?’

Read More »

प्रधानमन्त्रीकेँ १ लाख डलरके सुशासन पुरस्कार

काठमाण्डू १७ गते । युनिभर्सल पिस फेडरेसन प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीर्केँ ‘लिडरसिप एन्ड गभर्नेन्स अवार्ड’ प्रदान कएलक अछि । एसिया प्यासिफिक सम्मेलनके समापन समारोहमे प्रधानमन्त्री ओलीकेँ १ लाख डलर राशिके ओ पुरस्कार प्रदान कएलगेल अछि । नेपालके लोकतन्त्र आ सुशासनके नेतृत्व कएलासँ प्रधानमन्त्री ओलीकेँ ओ सम्मान कएलगेल आयोजक जनओलक अछि । संस्थाके प्रमुख हक जा हन मुन प्रधानमन्त्रीकेँ अवार्ड आ सम्मान पत्र प्रदान कएलीह । पुरस्कार ग्रहण करैत प्रधानमन्त्री ओली ओ रकम नेपाली युवा आ बालबालिकाके क्षेत्रमे खर्च कएल जएबाक कहैत सरकारी कोषमे दाखल करबाक घोषणा कएलन्हि ।

Read More »

नेकपा नेतृत्व निर्लज बनि रहल ः घोषणा बाद गोप्य राखलगेल प्रदेश कमिटीके नामावली

काठमाण्डु १७ गते ।गत बुधदिन नेकपा सचिवालयके बैठक बैसल । बैठक लगले प्रवक्ता नारायणकाजी श्रेष्ठ सञ्चारकर्मीकेँ जानकारी करओलन्हि– प्रदेश कमिटीके सदस्यके नाम अनुमोदन भेल । ओ कहलन्हि, ‘प्रदेश कमिटी सदस्यके नाम काल्हि पत्रकार सम्मेलन कऽ सार्वजनिक करब ।’ चारि दिन बित गेला बादो प्रवक्ता श्रेष्ठके काल्हि नहि आएल अछि ।
प्रदेश कमिटी सदस्यके नाम सार्वजनिक करब कहि गुपचुप रखला बाद पार्टी पंक्ति भितर नेतृत्वके क्षमता उपर प्रश्न उठ्ए लागल अछि । गत जेठ ३ गते एकीकरण घोषणा भेल ओहि पार्टीके प्रदेश, जिल्ला तथा जनवर्गीय संगठनके गतिविधि ठप्प अछि । पार्टी केन्द्र दसैंतिहार आ छठिक अवसरमे एकटा चायपान कऽ सात महिना बितओने अछि ।
सचिवालय बैठक गत बुधदिन प्रदेश कमिटीके सदस्यके निष्कर्ष लगओला बादो नामक निष्र्क लगा कऽ नेतासभक भागबन्डा नहि मिललासँ सार्वजनिक नहि कएलगेल बुझबामे आएल अछि । एखन प्रधानमन्त्री एवं पार्टी अध्यक्ष केपी शर्मा ओली दोसर अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड तथा महासचिव विष्णु पौडेलबीच नाम राखएके आ हटाबएके क्रम सम्पन्न नहि भेलासँ ढिलाइ भेल अछि ।
प्रदेश १ मे प्रदेश इन्चार्ज भीम आचार्य, अध्यक्ष देवराज घिमिरे, सहइन्चार्ज सावित्रीकुमारी काफ्ले आ सचिव सुरेशबहादुर राई छथि । तहिना प्रदेश २ मे इन्चार्ज सत्यनारायण मण्डल, अध्यक्ष प्रभु साह, सहइन्चार्ज विश्वनाथ साह आ सचिवमा सुमन प्याकुरेल छथि तऽ प्रदेश ३ मे इन्चार्ज अष्टलक्ष्मी शाक्य, अध्यक्ष हितमान शाक्य, सहइन्चार्ज नारायण दाहाल आ सचिव सचिव आनन्द पोख्रेल तय कएलगेल अछि । गण्डकी प्रदेशमे इन्चार्ज पृथ्वी सुब्बा गुरुङ छथि । ओ एहि प्रदेशक मुख्यमन्त्री सेहो छथि । एहि प्रदेशक अध्यक्ष हितराज पाण्डे, सहइन्चार्ज खगराज अधिकारी आ सचिव गोविन्द नेपाली छथि । तहिना प्रदेश ५ मे इन्चार्ज शंकर पोख्रेल भेल अछि । ओ सेहो एहि प्रदेशक मुख्यमन्त्री सेहो छथि । एहि प्रदेशक अध्यक्ष ओनसरी घर्ती छथि । सहइन्चार्ज दलबहादुर राना छथि तऽ सचिव जगप्रसाद शर्मा छथि ।
कर्णाली प्रदेशमे इन्चार्ज जनार्दन शर्मा, अध्यक्ष गोरखबहादुर बोगटी, सहइन्चार्ज यमलाल कँडेल आ सचिव मायाप्रसाद शर्मा छथि । प्रदेश ७ मे इन्चार्ज भीम रावल छथि तऽ अध्यक्ष कर्ण थापा आ सहइन्चार्ज लक्ष्मणदत्त जोशी छथि । सचिवालय बैठक प्रदेश कमिटीके सदस्यके नाम निष्कर्ष लगओला बादो नेतासभक भागबन्डा नहि मिललासँ सार्वजनिक नहि कएलगेल अछि । प्रधानमन्त्री एवं पार्टी अध्यक्ष केपी शर्मा ओली, दोसर अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड आ महासचिव विष्णु पौडेलबीच नाम रखबक आ हटाबएके क्रम सम्पन्न नहि भऽ सकलासँ ढिलाइ भेल बुझबामे आएल अछि ।
प्रदेश कमिटीमे संख्याके हिसाबसँ सेहो ४५ आ ५५ के सन्तुलन मिलाबएके प्र्रयास भेल अछि । जाहि अनुसार २०७ सदस्य १ नं प्रदेश कमिटीमे १ सय २२ पूर्वएमाले आ ८५ पूर्वमाओवादीके सदस्य छथि । २१५ सदस्यीय प्रदेश २ मे पूर्व एमाले आ माओवादी केन्द्रकेँ करिब हाराहारीमे बाँटलगेल अछि । २ सय १७ सदस्य हएबाक प्रदेश ३ मे १ सय १६ पूर्व एमाले आ बाँकी पूर्वमाओवादीकेँ देबएके निर्णय भेल अछि । गण्डकी प्रदेशमे नेकपाके १८९ सदस्य प्रदेश कमिटी रहत । जाहिमे पूर्व एमालेसँ १०२ आ पूर्वमाओवादीसँ ८७ सदस्य रहत ।
प्रदेश ५ मे २०३ सदस्यीय प्रदेश कमिटी रहत । जाहिमे पूर्वएमालेके १०५ आ पूर्वमाओवादीके ९८ सदस्य रहत । प्रदेश ६ मे १ सय ७५ प्रदेश कमिटीमे पूर्वएमाले आ माओवादी करिब हाराहारीके संख्यमे अछि । सुदूरपश्चिम प्रदेशमे १८३ सदस्य प्रदेश कमिटी रहत । जाहिमे १ सय पूर्व एमाले आ ८३ सदस्य पूर्ब माओवादी रहत । सचिवालय किछु समय आगा मापदण्ड परिमार्जन कऽ पार्टीमे वरिष्ठताके आधारमे प्रदेश कमिटी निष्कर्ष लगाबएके जिम्मा ओली आ दाहालकेँ देने छल । मुदा ओली आ दाहाल अपन अनुकूलता देख कऽ प्रदेश कमिटीके निष्कर्ष लगओने स्रोत जनओलक अछि ।
प्रदेश कमिटीके निष्कर्ष लगाबए स्थायी समितिमे छलफल होबए पडत कहैत नेकपा भितर पैघ असन्तुष्टि बढल अछि । सिस्टमके आधारमे एकताके निर्णय नहि कऽ कम्पनी एकीकरणजँका कएने आरोप नेतृत्व उपर लागल अछि । प्रदेश संगठन कमिटीके उपरका जिम्मेवारीमे पूर्वएमालेसँ १५ गोटे आ माओवादीसँ १३ गोटे नेताकेँ जिम्मेवारी देलगेल अछि । नेकपाके प्रदेश संगठन कमिटीके नेतृत्वमे अध्यक्ष केपी ओली हाबी देखलगेल छथि ।
हुनका निकट १० नेताके जिम्मेवारी भेटल छन्हि । इन्चार्जके जिम्मेवारी भेटल सत्यनारायण मण्डल, पृथ्बीसुब्बा गुरुङ आ शंकर पोखरेल, सहइन्चार्जके जिम्मेवारी भेटल खगराज अधिकारी, अध्यक्षसभ क्रमशः देवराज घिमिरे, गोरखबहादुर बोगटी आ कर्णबहादुर थापा, सचिवसभ क्रमशः आनन्दप्रसाद पोखरेल, गोविन्द नेपाली, सुमन प्याकुरेल अध्यक्ष ओली निकट छथि ।
दोसर अध्यक्ष प्रचण्ड निकट ८ गोटेके जिम्मेवारी भेटल छन्हि । इन्चार्ज जनार्दन शर्मा, सहइन्चार्ज हितबहादुर तामाङ, अध्यक्षसभ नारायण दाहाल, प्रभु शाह, हितराज पाण्डे आ ओनसरी घर्ती तथा सचिवसभ सुरेश राई आ जगप्रसाद शर्मा हुनका निकट छथि । वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल निकट अष्टलक्ष्मी शाक्य, भीमबहादुर रावल आ भीम आचार्य इन्चार्जके जिम्मेवारी भेटल छन्हि ।
पूर्व एमालेतर्फ ओली आ नेपालसँ ३÷३ गोटे इन्चार्ज भेला बादो बाँकी नेतृत्वमे रहल कहैत केऊ नेपाल निकट नहि छथि । केन्द्रीय सचिवालय सदस्य रामबहादुर थापा ‘बादल’ निकट ४ गोटेके जिम्मेवारी भेटल छथि । तहिना, सचिवालय सदस्य वामदेव गौतम निकट दु गोटे यमलाल कँडेल आ दलबहादुर रानाके सहइन्चार्जके जिम्मेवारी भेटल छन्हि । दोसर नेता नारायणकाजी श्रेष्ठ निकट विश्वनाथ शाहके जिम्मेवारी भेटल छन्हि ।
एहिबीच प्रदेश कमिटी गठनके विषयमे असन्तुष्टि जनबैत केन्द्रमे ज्ञापनपत्र बुभओने २१ केन्द्रीय सदस्यसभ देशव्यापी अभियान चलाबएके तैयारी कएने अछि । अगहन पहिल सप्ताह ओसभ ६ सूत्रीय माँग राखि पार्टी महासचिव विष्णु पौडेलमार्फत ज्ञापनपत्र बुझओने छलथि । ओसभ अपन माँगके बेवास्ता कएलगेल कहैत ई तैयारी कएने एक नेता जानकारी देलन्हि ।

Read More »

महन्थ दासके नियन्त्रणमे लेबए लेल आदेश

जनकपुरधाम १७ गते । जनकपुरस्थित रत्नसागर मन्दिरक महन्त वैकुण्ठ दासकेँ नियन्त्रणमे लेबए लेल अदालत आदेश देशल अछि । किर्ते जालजासी कऽ मठमन्दिरके जमिन बेचने आरोप लागल महन्त दासकेँ नियन्त्रणमे लेबए लेल जिल्ला अदालत धनुषा आदेश जारी कएलक अछि । आदलत शुक्रएदिन ‘वारेन्ट’ आदेश जारी कएला बादो धनुषा प्रहरी महन्त दासकेँ नियन्त्रणमे नहि लऽ सकल अछि ।
जनकपुरधाम–८ स्थित हजारी जनक विद्यापीठके नाममे रहल जमिन महन्त दास आ हुनकर सहयोगी अशोक शर्मा मिलि भगतमे किर्ते कएने आरोप अछि । दासक सहयोगी शर्माकेँ प्रहरी एहिसँ आगुए नियन्त्रणमे लऽ चुकल अछि । साढे दु अर्बसँ अधिक मूल्य बराबरके विद्यापीठ भोगचलन करैत आएल गुठीके ओ जमिन संरक्षक दास आ मोही शर्माकेँ बनाओलगेल अछि ।
हजारी जनक विद्यापीठ भोगचलन करैत आएल साढे दु बिघा जमिन महन्त दास नक्कली लालपुर्जा बना कऽ कब्जा कएने कहैत प्राचार्य विजय चौधरी अदालतमे मुद्दा दायर कऐन छलथि । केन्द्रीय गुठी संस्थान विद्यापीठकेँ उपलब्ध करओने ओहि जमिनमे क्याम्पस व्यवस्थापन घेराबेरा कऽ भौतिक संरचना सेहो निर्माण कएलगेल छल ।
२०५० सालसँ विद्यापीठ भोगचलन करैत आएल सिट नम्बर १३५४÷१४ के कित्ता नम्बर ६२ के २ कठ्ठा ११ धुर तथा सिट नम्बर १३५४÷१५ के कित्ता नम्बर १, २, २८ आ ४९ के २ बिघा ८ कठ्ठा १४ धुर जमिन फर्जीलालपुर्जा बना कऽ महन्त दासक सहयोगी शर्मा बेचएके प्रयास कएने छलथि । महन्त दासकेँ नियन्त्रणमे लेबए अदालत आदेश कएला बादो एहिके विषयमे अपनासभकेँ कोनो जानकारी नहि रहल धनुषा प्रहरी जनओने अछि । जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषाक प्रवक्ता डीएसपी दीपेन्द्र शाही महन्त दासकेँ नियन्त्रणमे लेबए लेल अदालत देने आदेश विषयमे अपनाके एखनधरि कोनो जानकारी नहि रहल बतओलन्हि । दासकेँ नियन्त्रणमे लेबएके विषयमे कोनो आदेश आएल होइत तऽ मुद्दा शाखाकेँ जानकारी भऽ सकैत अछि ओ बतओलन्हि ।

Read More »

उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री योगीके भ्रमण अनौपचारिक ?

जनकपुरधाम १७ गते । रामजानकी विवाहोत्सके अवसरमे भारत उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री योगी आदित्यनाथ अगहन २६ गते जनकपुर आबि रहल छथि । हिन्दु धर्मक प्रचारकके रुपमे सेहो परिचित आदित्यनाथ जनकपुुर अएबाक तय भेला बाद हुनकर स्वागत करबालेल प्रदेश सरकार व्यस्त देखलगेल अछि । आदित्यनाथके जनकपुर भ्रमणकेँ दृष्टिगत कऽ बेरबेर उच्च सुरक्षा अधिकारीसभक बैठक सेहो होइत आएल अछि । भारतीय दूतवासक टोली समय समयपर जनकपुर आबि कऽ प्रदेश सरकारक मन्त्री आ जानकी मन्दिरक महन्तसँग सेहो योगीके जनकपुर भ्रमण विषयमे छलफल कएने अछि ।
मुदा, उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री आदित्यनाथ जनकपुर अएबाक विषयमे प्रदेश २ क सरकारकेँ एखनो औपचारिक जानकारी नहि आबि सकल अछि । २६ गते अगहन आबएमे किछुए दिन मात्र बाँकी रहल अवस्थामे प्रदेश सरकार औपचारिक जानकारी नहि अएला बाद हुनकर जनकपुर भ्रमण अनौपचारिक तऽ नहि अछि आंकलन सेहो कएल जा रहल अछि ।
रामजानकी विवाहोत्सवके अवसरमे हरेक पाँच वर्षक बाद भारतक अयोध्यासँ बरियात आबएके परम्परा अछि । विवाहोत्सवमे बरियातके रुपेँ सहभागी होबए आबए लेल जानकी मन्दिर अयोध्यामे औपचारिक निमन्त्रणा दैत आएल अछि । मुदा, एहिसँ आगा अयोध्यासँ बरियात आएल पाँच वर्ष नहि पहूँचलासँ जानकी मन्दिर सेहो निमन्त्रणा नहि पठओने अछि ।
तहिना प्रदेश सरकार आ स्थानीय सरकार सेहो मुख्यमन्त्री आदित्यनाथकेँ जनकपुर आबए लेल आमन्त्रण नहि कएने अछि । संघीय सरकार सेहो हुनकर जनकपुर भ्रमण विषयमे किछु नहि बाजल अछि । मुुदा आदित्यनाथ रामजानकी विवाहोत्सवके अवसरमे जनकपुर आबि रहल छथि । किछु दिन आगा नेपालक लेल भारतीय राजदूत मञ्जीवसिंह पुरी उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री आदित्यनाथ विवापञ्चमीके अवसरमे जनकपुर आबए लागल जानकी मन्दिरकेँ जानकारी करओने छलथि । हुनकर जनकपुर भ्रमणके विषयमे एखन धरि औपचारिक जानकारी अतेक मात्र अछि ।
प्रदेश २ क मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत सेहो आदित्यनाथके जनकपुर भ्रमणसम्बन्धमे औपचारिक जानकारी आएल विषयमे स्पष्ट नहि कएने अछि । भारतीय टोलीसभ एतह पहुँच कऽ बेरबेर छलफल करैत आएल आ सुरक्षा बैठक भऽ रहल मुख्यमन्त्री आदित्यनाथ जनकपुर आबएके संभावना रहल हुनकर कहब छलन्हि । प्रदेश २ क आन्तरिक मामिला तथा कानुनमन्त्री ज्ञानेन्द्र यादव विदेशी पाहुन संघीय सरकारकेँ जानकारी नहि आबए नहि सकबाक तर्क कएलन्हि । मुख्यमन्त्री आदित्यनाथके जनकपुर भ्रमणके लेल अपनासभक दिससँ निमन्त्रणा नहि देखे बतबैत यादव संघीय सरकारक परराष्ट्र मन्त्रालयकेँ अधिक जानकारी होबए पडत उल्लेख कएलन्हि ।
आदित्यनाथके जनकपुर भ्रमण विषयमे औपचारिक जानकारी नहि अएला बादो हुनकर स्वागतके लेल प्रदेश सरकार तम्तयार देखलगेल अछि । जनकपुर अएला बादो विमानस्थलमे प्रदेश सरकारक कोनो एक गोटे प्रतिनिधि आदित्यनाथकेँ स्वागत करबाक प्रदेश २ क कानुनमन्त्री यादव बतबैत छथि । मन्त्री यादव सेहो हुनकर जनकपुर भ्रमण विषयमे औपचारिक जानकारी नहि अएला बादो अपनेसभ तैयारीकेँ तिव्रता देने बतओलन्हि । आदित्यनाथके जनकपुर भ्रमणकेँ दृष्टिगत कऽ चारु तहक करिब तीन हजार सुरक्षाकर्मी परिचालन करबाक तैयारी रहल कानुनमन्त्री यादव जानकारी देलन्हि ।
विवहोत्सवमे सरिक होबए आबि रहल आदित्यनाथके जनकपुर भ्रमण विशुद्ध रुपँे धार्मिकमात्र रहल बताओलगेल अछि । संघीय आ प्रदेश सरकारक निमन्त्रणा बिना आबि रहलासँ ओ दर्शनार्थीके रुपेँ मात्र जनकपुर आबि रहल तर्क सेहो कएल जा रहल अछि ।
मुख्यमन्त्री आदित्यनाथके निजी विमान भिन्सर १० बजे जनकपुर विमानस्थलमे अवतरण करबाक कार्यक्रम अछि । विमानस्थल अएला बादो आदित्यनाथ सोझे जानकी मन्दिर आबि कऽ पूजाअर्चना करताह । जानकी मन्दिरसँ ‘मधेश भवन’ जा कऽ प्रदेश सरकार ओहि सम्मानमे आयोजना कएने भण्डारामे आदित्यनाथ सहभागी हएताह । ‘मधेश भवन’ प्रदेश सरकारक मन्त्री तथा सांसदसभसँग भेंटघाट कऽ करिब एक घण्टा बाद ओ रंगभूमि मैदान जा कऽ रामजानकी विवाहोत्सव अन्तर्गत स्वयंभर कार्यक्रममे सहभागी हएताह । स्वयंभर कार्यक्रम सम्पन्न भेल लगले आदित्यनाथके वहए दिन भारत घुरबाक कार्यक्रम तय भेल अछि ।

Read More »

प्रोग्रेसिभ इन्जिनियरिङ एसोसिएसनके चुनवाी सभा

जनकपुरधाम १६ गते ।नेपालक इन्जिनियरसभक साझा संस्था प्रोग्रेसिभ इन्जिनियरिङ एसोसिएसन नेपालक अगहन २८ गते होबए जा रहल ३२ अम केन्द्रिय कार्यकारिणी समितिके निर्वाचनक लेल शनिदिन जनकपुरमे प्रगतिशील समूह चुनावीसभा कएलक अछि । अगहन २८ गते केन्द्रीय कार्यकारिणी आ प्रदेश कार्यकारिणी समितिके चुनावकेँ लक्षित कऽ नेपाल कम्युनिस्ट पार्टीसङ आवद्ध इन्जिनियरसभक सगठन प्रगतिशील समुहक केन्द्रिय उम्मेदवार आ प्रदेशक उम्मेदवारसभक उपस्थितिमे केन्द्रीय समितिके लेल कोषाध्यक्षक प्रत्यासित उम्मेदवार रामएकवाल यादवके अध्यक्षता आ नेकपाक प्रदेश २ क इन्चार्ज सत्यनारायण मण्डलके प्रमुख आतिथ्यमे आयोजित अन्तरक्रिया तथा उम्मेदवारसभबीचक परिचयात्मक कार्यक्रममे बजैत इन्चार्ज मण्डल इन्जिनियरसभ एक बैज्ञानिकजँका रहलासँ चुनावमे सभ गोटेके सचेत भऽ अपन अपन दायित्व वहन करबालेल आग्रह कएलन्हि अछि ।
ओ पार्टीके शुभेच्छुक सस्था प्रगतिशील समूहक उम्मेदवारसभ क्षमतावान आ दायित्वबोध कएलासँ जित सुनिश्चित रहल कहैत शुभकामना दैत चुनावक अन्तिम नतिजा नहि आबए धरि होशियार भऽ कऽ रहबालेल सुझाव देलन्हि । कार्यक्रममे प्रदेशसभा सदस्य किशोरी साह इन्जिनियरसभक चुनावसँ देशभरिक इन्जिनियरसभमे तरंग पैदा कएने आ प्रगतिशील समुहक जितक लेल शुभकामना देलन्हि । प्रगतिशील बिचारधाराके इन्जिनियरसभ जितक बाद एसोसिएसनके कायापलट होबए परबामे जोड दैत सांसद साह जितक लेल अन्तिम समय धरि जागरुक भऽ लागए परबामे जोड देलन्हि ।
कार्यक्रममे प्रदेश सांसद रामचन्द्र मण्डल गुट उपगुट आ आपसी मतभेद नहि कऽ सामन्तीवादिके एसोसिएसनमे वर्षोसँ कऽ रहल एकलौटी राजके तोड्ए पडत बतओलन्हि । कार्यक्रममे केन्द्रिय कार्यकारिणी समितिके अध्यक्षक उम्मेदवार सेहो रहल इन्जिनियरिङ अध्ययन सस्थानक डिन प्राध्यापक डाक्टर त्रिरत्न बज्राचार्य हरेक वर्ष नेपालमे ८ सँ ९ हजारक सख्यामे इन्जिनियर उत्पादन भऽ रहाल बादो इन्जिनियरसभक साँझा सस्थामे प्रजातान्त्रिक समुहके एकलौटी राजसँ तहस नहस भेल आ एखन धरि ४७ हजार इन्जिनियर सदस्ययता लेला बादो संस्थाके विकास होबए परबला बादो १७ हजार मात्र सदस्यता नविकरण कएने बतओलन्हि । बि.स. २०१९ सालमे स्थापना भेल एसोसिएसनक खासए प्रगति नहि भेल कहैत अपने अध्यक्षमे जितला बाद पेशाकेँ मर्या्दित , नैतिकवान तथा भ्रष्टाचारमुत्त बनएबाक बतओलन्हि ।

Read More »

‘प्रधानमन्त्री कार्यालय संबैधानिक मर्यादा नाघि देलक’

काठमाण्डू १६ गते । प्रधानमन्त्री कार्यालय संबैधानिक मर्यादा नाँघि कऽ संबैधानिक निकायकेँ १५ दिन भितर सम्पन्न नहि भेल काजके विवरण पठाबए देने निर्देशनप्रति संबैधानिक निकायक प्रमुखसभ आपत्ति जनओलन्हि अछि । मुख्यसचिवके निर्देशन अनुसार कहैत प्रधानमन्त्री कार्यालयक सचिव केदारबहादुर अधिकारी लिखने निर्देशनात्मक पत्र मंगलदिन संबैधानिक निकायमे पठओला बाद ओहि निकायक अधिकारीसभ आश्चर्यमे परल अछि । प्रधानमन्त्री कार्यालय संबैधानिक निकायके हैसियत बिसरि कऽ मातहतके कार्यालयकेँ पठओने शैलीमे पत्र पठओने अछि । जहन कि संबैधानिक निकायकेँ या तऽ राष्ट्रपति एहन निर्देशन दऽ सकैत अछि कि तऽ संसद ।
प्रधानमन्त्री कार्यालय निर्देशनात्मक पत्र पठओप्रति आपत्ति जनबैत संबैधानिक आयोगक पदाधिकारीसभक बैठक शुक्रदिन अख्तियार दुरूपयोग अनुसन्धान आयोगमे बैसल छल । बैठकमे अख्तियार, लोकसेवा आयोग, निर्वाचन आयोग आ महालेखा परीक्षकके कार्यालयक प्रमुख तथा सदस्यसभक उपस्थिति छल । बैठकमे चारु आयोगक प्रमुखसभबीच प्रधानमन्त्री कार्यालय संविधानके प्रतिकुल होबएजँका पठाओलगेल निर्देशनात्मक पत्रक विषयमे प्रधानमन्त्री केपी ओलीकेँ भेंट कऽ जानकारी कराबएके विषमे अनौपचारिक छलफल भेल बताओलगेल अछि ।

Read More »

कांग्रेस संघीयता विरोधी अभियानमे ः प्रचण्ड

काठमाण्डू १६ गते ।नेपाल कम्युनिष्ट पार्टीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ प्रमुख प्रतिपक्षी दल कांग्रेस संघीयता विरोधी अभियानमे लागल आरोप लगओलन्हि अछि । वामपन्थी नेता वामदेव क्षेत्रीद्वारा लिखित ‘नेपालके अर्थ राजनीतिः संभावना आ चुनौती’ विषयक पुस्तकके विमोचन करैत प्रचण्ड राजनीतिक परिर्वतनकेँ संस्थागत करैत गेलपार किछु समस्या आएब स्वभाविक रहाल बादो ओहिके बहाना बना कऽ कांग्रेस संघीयता विरोधी रस्ता मे चलि रहल दावा कएलन्हि ।
गणतन्त्र, सङ्घीयता, धर्म्निरपेक्षता, समावेशी समानुपातिक प्रतिनिधित्व संविधानके आधारस्तम्भके रुपमे रहल बतबैत अध्यक्ष ‘प्रचण्ड’ ई चारि आधारस्तम्भमेसँ एक कमजोर भेलापर देश समस्या परएसकबातर्फ सचेत करओलन्हि । ओ कहलन्हि, “सङ्घर्षसँ प्राप्त उपलब्धिकेँ कमजोर बनाबएके प्रयास भऽ रहल अछि, एहिकेँ संस्थागत करबालेल सभगोटेके एकताबद्ध होएब जरुरी अछि ।”
ओ सरकारके काजकेँ जनपक्षीय बनबैत राष्ट्रिय पूँजी निर्माणमे ध्यान देबए पडत बतओलन्हि । समाजवाद उन्मुख राजनीति, अर्थतन्त्र, संस्कृति आ विकासके समग्र आयाम विषयमे चिन्तन, मनन आ अध्ययन करबाक समय आएल बतबैत प्रचण्ड समाजवादतर्फ आगा बढएके प्रयास जारी रहल स्पष्ट कएलन्हि ।

Read More »

धनुषामे एचआइभीसँ १२० गोटेके मृत्यु

जनकपुरधाम १६ गते ।विशेषतः असुरक्षित यौन सम्पर्कक कारण संक्रमण होबएबला एचाईभी एड्ससँ धनुषामे १२० गोटेके मृत्यु भऽ गेल अछि । गत आर्थिक वर्षसँ चालु आर्थिक वर्षक कार्तिक मसान्त धरि धनुषामे एचआई एड्सक कारण अतेक संख्यामे मृत्यु भेल जनाओलगेल अछि ।
एचआईभी एड्ससँ विभिन्न उमेर समूहक महिला तथा पुरुष संक्रमित रहल जिल्ला जनस्वास्थ्य कार्यालय धनुषा जनओलक अछि । २१ अम विश्व एड्स दिवसके अवसरमे जनस्वास्थ्य कार्यालय सार्वजनिक कएने तथ्यांक अनुसार चालु आर्थिक वर्षक कार्तिक मसान्त धरि १३ गोटे नयाँ एचआईभी संक्रमित पता लागल अछि । एचआईभीके फोकल पर्सनके अनुसार विभिन्न स्वास्थ्य संस्था तथा ‘पीएएमटीसीटी’ सेन्टरसभमे कूल ६ हजार ५ सय ८५ गोटेके परीक्षण कएलगेल छल । जाहिमेसँ ११९ गोटेमे एचआइभी पोजिटिभ भेटल अछि ।
तहिना गर्भवती महिलाके स्वास्थ्य परीक्षण कएलापर १३ गोटेमे एचआईभी पता लागल बताओलगेल अछि । एचआईभीसँ प्रभावित भेल ८ सय ४४ गोटे इलाज करा कऽ औषधि सेवन कऽ रहल बताओलगेल अछि । एचआईभी एड्स नियन्त्रण करबालेल विभिन्न किसीमक चेतनामूलक कार्यक्रमसभ सञ्चालन भऽ रहला बादो नियन्त्रण नहि भऽ सकल अछि । असुरक्षित यौन सम्पर्क तथा लागुऔषध दुव्र्यसनी सहितक कुलतमे फँसलसभमे विशेष रुपँे संक्रमण देखलगेल ओ बतओलन्हि । जिल्ला जनस्वास्थ्य कार्यालयके तथ्यांक अनुसार एचआईभी एड्सके संक्रमणसँ बालबालिकासँ व्यस्क उमेर समूहक व्यक्ति रहल अछि । एचआईभी एड्स विषयमे जनचेतना फैलाबएके उद्देश्यसँ ‘एचआईभीके जाँच कराउ, अपन अवस्था जानकारी लु’ नाराके साथ ३१ अम विश्व एड्स दिवस मनाओलगेल अछि । विश्व एड्स दिवसके अवसरमे जनकपुरमे चेतनामूलक ¥याली सेहो निकाललगेल अछि । ¥यालीमे विद्यार्थी, युवा, स्वास्थ्य क्षेत्रमे कार्यरत व्यक्तिसभक उपस्थिति छलन्हि ।

Read More »

‘मिथिला पेन्टिङ’ सँ सजाओल जा रहल जनकपुर रेलवे स्टेशन

जनकपुरधाम १६ गते ।पुरान रेलमार्गकेँ विस्थापित कऽ तय कएलगेल जनकपुर–जयनगर ब्रोडगेज रेलखण्डक निर्माण करिब करिब सम्पन्न भऽ चुकल अछि । भारत सरकारक आर्थिक सहयोगमे निर्माण कएलगेल जनकपुर–जयनगर रेल याह डिसेम्बर महिना भितर सञ्चालन करबाक लक्ष्य राखलगेल अछि । रेल चलाबए अन्तिम चरणक काज चलि रहल समय जनकपुर रेलवे स्टेशनकेँ मिथिला पेन्टिङसँ सजाबएमे व्यस्त छथि, लक्ष्मी देवी राय एखन । रेलसँ यात्री उतरए लगले जनकपुरकेँ पौराणिक मिथिलाके सम्झना आबए कहैत लक्ष्मी दिनराति एक कऽ रेलवे स्टेशनके देबालसभमे मिथिला चित्रकला पारि रहल छथि ।
भारत विहारक मधुबनी घर रहल ४२ वर्षीय लक्ष्मीकेँ जनकपुर रेलवे स्टेशनक देबालमे मिथिला पेन्टिङ कऽ कऽ सजाबएके जिम्मा भारतीय अधिकारीसभ देने अछि । भवनसहित अन्य निर्माण कार्य भारतके करए परबाक सम्झौता भेलासँ जनकपुर रेलवे स्टेशनके देबालसभमे ‘मिथिला पेन्टिङ’ के जिम्मा भारत मधुबनी रहन्हिार लक्ष्मीकेँ देलगेल भऽ सकैत अछि । जनकपुर नजदिक रहल भारतक मधुबनी रेलवे स्टेशनकेँ सेहो मिथिला चित्रकला अहिना सजाओलगेल अछि । भारत निर्माण कएने आ लक्ष्मी सेहो भारतीय रहलाक कारण जनकपुर रेलवे स्टेशनमे मिथिला चित्रकला पारएके जिम्मा नहि पओली अछि ।
‘मिथिला पेन्टिङ’ के क्षेत्रमे पैघ ख्याती कमाबएमे सफल भेली अछि, ओ । ‘मिथिला पेन्टिङ’ प्रतिके लगन, मिहिनेत आ संघर्ष १५ वर्ष आगा पटना रेलवे स्टेशनमे पहिल बेर मिथिला चित्रकलाके अवसर भेटलन्हि, लक्ष्मीकेँ । पटना रेलवे स्टेशनमे पहिलबेर बनओला बाद हुनकर कला चर्चा पओला बाद ‘मिथिला पेन्टिङ’ केँ पेशा बनाबएमे लक्ष्मीकँ हौसला देलक । अ, एखन एहि क्षेत्रक चर्चित नाम बनल छथि, लक्ष्मी ।
कडा संघर्ष आ मिहिनेतके बाद लक्ष्मीके मिथिला चित्रकला चारुदिस चर्चा पओला बाद भारत सरकार हुनका राज्य पुरस्कारसँ सम्मानित सेहो कएलक । भारत सरकारक दिससँ पुरस्कृत भऽ गेला बाद ‘मिथिला पेन्टिङ’ प्रति थप झुकाव बढल, ओ । मधुबनी आ पटनाके रेलवे स्टेशनजँका जनकपुरक रेलवे स्टेशन सेहो मिथिला चित्रकला सजाबएके रहल अछि, लक्ष्मीके । आ, याह रहरके साथ ओ मग्न छथि, रेलवे स्टेशनके दोबालसभमे मिथिला चित्रकला बनाबए । अपने बनओने चित्र देखए साथ मिथिला आबि गेल अनुभूति यात्रीकेँ हुए हुनकर ईच्छा अछि । जनकपुरमे सेहो ‘मिथिला पेन्टिङ’ के जानकारसभ रहला बादो रेलवेके निर्माणतर्फक सम्पूर्ण काज भारतक जिम्मामा रहलासँ लक्ष्मीकेँ जिम्मा देने होबए सकबाक रेलवेके साइट इन्जिनियर विनोद ओझा बतबैत छथि । रररररर

Read More »
1 50 51 52 53 54 74