मैथिली समाचार

घर घरमे बिजली पहुँचएबाक ऊर्जामन्त्रीके प्रतिबद्धता

जनकपुरधाम २३ गते ।ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिंचाइ मन्त्री वर्षमान पुन देश एकात्मक शासन प्रणालीसँ संघीय शासन प्रणालीके सुरुवातमे संक्रमणकालीन अवस्थाकेँ चिरए लेल सरकार प्रतिबद्ध रहल बतओलन्हि अछि । मन्त्री पुन संघीय, प्रदेश आ स्थानीय सरकारके समन्वयनमे किछु असन्तुष्टि देखलगेला बादो ओहिकेँ वस्तुगत रुपेँ देखए पडत बतओलन्हि । नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी प्रदेश २ संसदीय दलके कार्यालय आयोजना कएने अन्तरक्रिया कार्यक्रममे मन्त्री पुन देशमे राजनीतिक समावेशी लोकतन्त्रके राज्यव्यवस्था आ राजनीतिक व्यवस्थामे तीनु तह एक दोसरसँग सुमधुर सम्बन्ध बना कऽ आगा बढल तऽ विकास द्रूत गतिमे हएबाक विश्वास व्यक्त कएलन्हि ।
ओ प्रदेश २ मे आब दु वर्षमे हरेक नेपालीके घर–घरमे विद्युतीकरणमार्फत इजोत बनएबाक प्रतिबद्धता जनओलन्हि । प्रदेश २ मे पैघ सिंचाइ आयोजनासभक जानकारी करबैत मन्त्री पुन पैघ आयोजना संघीय, मध्यम प्रदेश सरकार आ छोट स्थानीय सरकार करएजँका कार्य विभाजन कएने सेहो बतओलन्हि । ओ सरकारके जिम्मेवारी बढला बाद, दायित्व सेहो बढलासँ एखन सम्पूर्ण जिम्मेवारी सरकारके मात्र दऽ कऽ नहि हएबाक बतओलन्हि ।
ओ कहलन्हि , ‘एखन प्रदेश सरकार आ स्थानीय सरकार अधिकार नहि देलक कहि नहि होएत । हमसभ प्रत्यायोजन करबालेल तैयार छी । मुदा सीमिति स्रोत आ साधनके अभावमे कोनो योजनाकेँ प्रदेश आ स्थानीय सरकार पूरा नहि कऽ सकल । ओहिके प्रत्यक्ष मारमे जनता परलासँ एकहिबेर हस्तान्तरणमे समस्या भेल अछि ।’
ओ मन्त्रालयके दिससँ ‘नेपालके पानी, जनताके लगानी’ आ ‘समृद्ध तराई मधेस’ कार्यक्रकेँ प्रदेश सरकारसँग समन्वयन कऽ स्वायततासँगहि अनेकता एकता छिटब हिमाल, पहाड आ तराइकेँ एकदोसरसँग जोडबामे सहयोग भेटत बतओलन्हि ।
ओ कहलन्हि, ‘हिमाल आ पहाडके पानि तराइमे तराइके उत्पादित खाद्यान्न (धान, गहुँम, अन) पहाडमे पहुँचा कऽ सम्बन्ध जोड्एके एकटा सूत्राधार होएत ।’ मन्त्री पुन तराई मधेसक जिल्लासभके १२ महिनाक सिंचाइके लेल सुनकोशी–कमला डाइभर्सनसँ १ लाख ७८ हजार हेक्टर, सुनकोशी–मरहन्ना डाइभर्सनसँ एकलाख २२ हजार हेक्टर सिंचाइ होबएके साथ काज आगा बढओने जानकारी देलन्हि ।
ओ तराई मधेसक मरुभूमीकरण रोकबके अर्थ चुरे संरक्षणके पहिल सिढी रहलासँ एहिमे संघीय सरकार गम्भीर रहल बतओलन्हि । प्रदेश २ क चिनी उद्योगसँ २१ मेगावाट विद्युत किनएके सम्झौता भऽ चुकल आ अन्यसभ उत्पादन कएने विद्युत किनए सेहो नेपाल सरकार तैयार रहल बतओलन्हि ।
नेकपाक प्रदेश सांसद रामचन्द्र मण्डलके स्वागत मन्तव्य तथा प्रदेश २ संसदीय दलक सत्यनारायण मण्डलके अध्यक्षतामे भेल कार्यक्रममे नेकपाक सांसद प्रभु साह, प्रदेश सांसद भरत साह ८ ओ जिल्लाक स्थानीय तहक प्रतिनिधिके सहभागिता रहल छल ।

Read More »

‘विवाह पञ्चमी महोत्सव सफल करबालेल कार्यकर्तासभकेँ निर्देशन’

जनकपुरधाम २३ गते ।नेपाली काँग्रेसक उपसभापति विमलेन्द्र निधि सप्ताव्यापी कार्यक्रमके साथ मनाओल जा रहल रामजानकी विवाहोत्सव भव्यताके साथ सफल करबालेल धनुषा काँग्रेसकेँ निर्देशन देलन्हि अछि ।
त्रेता युगमे भगवान राम आ सीताक विवाह सम्पन्न भेल स्मरणमे हरेक वर्ष मनाओल जाएबला विवाहोत्सवके सफल करबालेल उपसभापति निधि जिल्ला तहक नेता कार्यकर्ताकेँ निर्देशन देने निधिक स्वकीय सचिव विश्वास विक्रम जानकारी देलन्हि ।
नेता निधि प्रदेश २ क नेपाली काँग्रेसक संसदीय दलक नेता रामसरोज यादव आ जिल्ला सभापति महेश शंकर गिरीकेँ विवाहोत्सवके अवसरमे मनाओल जाएबला हरेक कार्यक्रम सफल करबालेल कार्यकर्ता परिचालन करबालेल निर्देशन देने छथि ।
निधि विवाहोत्सवमे सहभागी होबएलेल भारतक अयोध्यासँ जनकपुर आबएबला बरियात तथा सम्पूर्ण अतिथिकेँ जिल्लाक सीमावर्ती नाका जटही पहुँच कऽ स्वागत करबालेल सेहो कार्यकर्तासभसँ आग्रह कएलन्हि अछि । विवाहोत्सवमे सहभागी होबएलेल भारतक अयोध्यासँ साधु, सन्तसभ हाती, घोडा आ उँटसँ जटही नाका होइत जनकपुर अएबाक कार्यक्रम रहल बताओलगेल अछि ।
स्वकीय सचिव विश्वासके अनुसार अगहन २६ गते विवाहोत्सवके प्रमुख कार्यक्रमके दिन उपसभापति निधि जानकी मन्दिरमे पूजाअर्चना कार्यक्रममे सहभागी होएताह ।
जनकपुर–जयनगर रेल खण्ड राष्ट्रिय आयोजना रहलाक कारण दुनु देशक प्रधानमन्त्री या केन्द्रीय मन्त्री तहसँ हएबाक चाही निधि पुनः दोहरओने छथि । एहिसँ पहिने विवाहोत्सव समारोहमे सहभागी होबएलेल आबि रहल भारत उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री योगी आदित्यनाथ रेल उद्घाटन करताह चर्चा चललाक बाद निधि आपत्ति जनओने रहथि ।
जनकपुर–जयनगर रेल खण्ड राष्ट्रिय आयोजना रहलाक कारण दुनु देशक प्रधानमन्त्री या केन्द्रीय मन्त्रीद्धारा उद्घाटन हएबाक चाही एहिसँ पहिने बताचुकल स्मरण करबैत उपसभापति निधि विवाहोत्सव समारोहमे बरियात आ अतिथिके रुपमे सहभागी होबएलेल आबि रहल मुख्यमन्त्री तथा उच्च तहक सहभागिताक विषयमे अपन कोनो आपत्ति नहि रहल स्पष्ट कएलन्हि अछि ।

Read More »

फूलबारी लिला सम्पन्न, आई धनुषयज्ञ

जनकपुरधाम २३ गते ।त्रेता युगमे भगवान राम आ सीताबीच विवाह भेल स्मरण करैत विवाहपञ्चमीक सप्ताहव्यापी कार्यक्रम अन्तर्गत शनिदिन फूलबारी लिला सम्पन्न भेल अछि । विवाहपञ्चमीके प्रमुख आकर्षण केन्द्र जानकी मन्दिरक आयोजनामे फूलबारी लिला मनाओलगेल अछि । विवाहपूर्व भगवान राम आ जगत जननी सीताके फूलबारीमे भेँट भेल रहन्हि एहि मान्यताके सँग विवाहमहोत्सव अन्तर्गत फूलबारी लिला मनाओल जाइत अछि । जनकपुरक विवाहमण्डमे आयोजना कएलगेल फूलबारी लिला कार्यक्रमम देखबालेल जानकी मन्दरिक महन्थ रामतपेश्वर दास, छोटे महन्थ रामरोशन दास सहित पैघ संख्यामे सर्वसाधारणक उपस्थिति छल । विवाह महोत्वस कार्यक्रमक पहिल दिन जनकपुरधाम नगर दर्शन सम्पन्न भेल छल तऽ रविदिन धनुषयज्ञक कार्यक्रमके आयोजना कएल जाएत ।
सीताक विवाहसँ पूर्व प्राचिन मिथिलाक राजा जनक शिव धनुष तोडएबला व्यक्तिसँ विवाह करबाक शर्त रखने रहथि । ओहि मान्यता अनुसार विवाहमहोत्सवमे धनुषयज्ञ कार्यक्रम राखल जाइत अछि । तहिना चारिमदिन तिलकोत्सव, पाँचमदिन मटकोर आ छठम दिन विवाहोत्सवक प्रमुख वैवाहिक कार्यक्रम आयोजन होइत आएल अछि । एम्हर विवाह महोत्सवक सम्पूर्ण तैयारी पुरा भऽ चुकल जानकी मन्दिरक छोटे महन्थ रामरोशन दास जानकारी देलन्हि । रामजानकी विवाहमहोत्सवमे सहभागी होबए अयोध्या सहित भारतक विभिन्न स्थानसँ साधु सन्त बरियातक रुपमे आएल करैत छथि । विवाह महोत्सवमे सहभागी होबए आएल श्रद्धालुसभके वास एवम भोजनक व्यवस्था राम मन्दिर तथा जानकी मन्दिरक तर्फसँ कएल जाइत अछि । तहिना भारत तथा नेपालक विभिन्न स्थानसँ विवाहपञ्चमीमे आएल श्रद्धालु तथा साधुसन्तसभके वास एवम भोजनक व्यवस्था निजी स्तरसँ सेहो कएल जाइत अछि । जनकपुरक विभिन्न युवा क्लब, संघसंस्था निजी स्तरसँ विवाह पञ्चमी मेलाके व्यवस्थापनके संगहि सहभागी श्रद्धालुसभके लेल सेहो निःशुल्क वास तथा भोजनके व्यवस्था कएल करैत अछि ।
विवाह महोत्सव सम्पन्न करबालेल मूल समिति आ अन्य विभिन्न उपसमितिसभ गठन कएलगेल अछि । विवाह महोत्सवके अवसर पर जानकी मन्दिरमे धार्मिक कथा वाचन, रामलीला आ झाँकी प्रदर्शन सहितक कार्यक्रम श्रद्धालुसभकलेल आकर्षणके केन्द्र बनल अछि ।

Read More »

वामदेव ओली क्याम्प छोडलन्हि, सचिवालयमे नया समिकरण

काठमाण्डू २१ गते ।लम्बा समयसँ प्रधानमन्त्री एवं पार्टी अध्यक्ष केपी शर्मा ओलीकेँ साथ देने नेकपा नेता वामदेव गौतम संस्थापन पक्ष छोडलन्हि अछि । ओली अपनाकेँ देने वचन पुरा नहि कएने कहैत गौतम ओली समूह छोड्ने घोषणा कएलन्हि अछि । गौतम पार्टीके आठम महाधिवेशनमे ओली आ झलनाथ खनाल अध्यक्षमे चुनाव लड्लापर खनालकेँ जिताबएमे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह कएने रहथि । पार्टीके नवम महाधिवेशनमे सेहो अध्यक्षमे माधव नेपालसँगक प्रतिस्पर्धामे ओलीकेँ जिताबए महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह कएने छलथि ।
अपन माँग विषयमे जानकारी कराबए २१ केन्द्रीय सदस्य गत सप्ताह गौतमकेँ भेंट कएने छलथि । गौतम घुमौवा भाषामे अपने ओलीसँ पीडित रहल उपराग कएने एक नेता बतओलन्हि । गौतम केन्द्रीय सदस्यसभसँगक भेंटमे अपने आब ओलीसँग नहि रहल संकेत कएने छलथि । २१ केन्द्रीय सदस्यसभ पार्टी विधि आ पद्धतिसँ चलए पडत कहैत महासचिव विष्णु पौडेलमार्फत अध्यक्षद्वयकेँ ६ बुँदे माँग रखने छलथि । गौतम २१ केन्द्रीय सदस्यके माँगमे अपन साथ रहबाक कहैत आश्वास्त कएने छलथि ।
गौतमकेँ निर्वाचन लडा कऽ प्रतिनिधिसभामे लएबाक कहैत देशभरिक करिब एक दर्जन चुनाव क्षेत्रमे प्रयास भेल छल । मुदा, पछिला चरणमे ओली आ प्रचण्ड दुनु एहि बातमे असहमति जनओला बाद गौतम रुष्ट भेल छल । ई प्रयास असफल भेला बाद शक्तिशाली विकास निर्माण प्राधिकरण गठन क।बाक आ ओहिके प्रमुख अपनाकेँ बनाबए गौतम ओली समक्ष प्रस्ताव कएने छलथि । मुदा, गौतमके प्रस्ताव अध्यक्षद्वय प्रचण्ड आ ओली दुनु अस्वीकार कएने छलथि । ओहिके बाद गौतम आओर रुष्ट बनल छलथि ।

गौतम संस्थापन पक्ष छोडला बाद सचिवालयके बैठकमे ओलीसहित संस्थापन पक्षक ५ आ संस्थापनसँ बाहर पक्षक ४ होएत । संस्थापन पक्षक एक सदस्य अनुपस्थित रहल समय मतदानसँ निर्णय नहि होबए सकबाक अवस्था सृजना होएत । एक नेताके अनुसार एहिसँ अगिला बैठकमे गौतम संस्थापन पक्षसँग भिडएबला पहिल नम्बरमे छलथि । मुदा ओ संस्थापन पक्ष छोडला बाद ओली प्रचण्डकेँ निर्णय करबामे ओतेक सहज नहि होएत ।
अपनाकेँ शक्तिशाली विकास प्राधिकरण गठन कऽ कऽ ओहिके प्रमुखमे नियुक्त करबालेल अध्यक्षद्वय अस्वीकार कएला बाद ओ एहिके विकल्प खोजबाक घोषणा कएलन्हि अछि । ओ निजी क्षेत्रसँ भेला बादो ओहन प्रधिकरण गठन कऽ कऽ अपने अभियानकेँ आगा बढएबाक निकट नेतासभ बतओलन्हि अछि ।

Read More »

प्रधानमन्त्री ’हाकिम’ बनला बाद ६ अर्ब राजस्व छली

काठमाण्डू २१ गते ।केपी शर्मा ओली प्रधानमन्त्री भेला बाद विगत ९ महिना अवधिमे विभिन्न कम्पनी तथा उद्योगसँ करिब छ अर्ब रुपैयाँ राजस्व छली भेल तथ्य बाहर आएल अछि । विभिन्न कम्पनी, उद्योग, फर्मल सहित बिगो जरिबाना, ब्याज नहि तिरलासँ अतेक पैघ परिमाणमे राजस्व छली भेल राजस्व अनुसन्धान विभाग जनओलक अछि । गत फागुनमे प्रधानमन्त्री होबए लगले ओली अर्थ मन्त्रालयअन्तर्गतक सम्पत्ति शुद्धीकरण अनुसन्धान विभाग आ राजस्व अनुसन्धान विभाग तथा गृह मन्त्रालयअन्तर्गतक राष्ट्रिय अनुसन्धान विभाग प्रधानमन्त्री कार्यालय मातहत लओने छल ।
विभागक निर्देशक शेखर पौडेल विभाग प्रधानमन्त्री कार्यालय मातहतमे आएल एम्हर करिब ६ अर्ब रुपैयाँ राजस्व चुहावट भेल जानकारी देलन्हि । हुनका अनुसार विभाग अनुसन्धान आ छानबिन कऽ चुहावट भेल राजस्व संकलन करबालेल माँग दाबीसहित विभिन्न जिल्ला अदालतमे मुद्दा दायर कएलक अछि ।विभाग प्रधानमन्त्री मातहत आबएसँ आगा राजस्व छली कएन्हिारकेँ भन्सार ऐन आ राजस्व ऐनअन्तर्गत कार्यान्वयन होइत छल । एखन विभाग राजस्व चुहावट (अनुसन्धान तथा नियन्त्रण ऐन ०५२), विदेशी विनिमय नियमित करएबला ऐन, ०१९ अन्तर्गत तय कएलगेल कार्य सम्पन्न करबाक जिम्मेवारी पओने अछि । ई ऐन कार्यान्वयन कएलापर राजस्व संकलन प्रभावकारी होइत गेल हुनकर कहब छलन्हि । ओ कहलन्हि, ’विगतसँ एखन कानुनी व्यवस्था कडा रहलासँ कोनो उद्योगी व्यापारी राजस्व नहि छलि सकैत अछि ।’

राजस्व छली भेला बाद बिगोसहित तिरए पडत । ओ कहलन्हि, ’केऊ १० हजार राजस्व छली करैत अछि तऽ ओ बिगो आ जरिबानासहित ३० हजार रुपैयाँ तिरए पडत ।’ विभागअन्तर्गत चारिटा क्षेत्रीय एकाइ कार्यालय (पूर्वाञ्चलके इटहरी, मध्यमाञ्चलके पथलैया, पश्चिमाञ्चलके बुटवल आ मध्य तथा सुदूरपश्चिमाञ्चलके कोहलपुर) रहल अछि । २०५० सालमे स्थापित विभाग देशभरि राजस्व चुहावट आ आर्थिक अपराध नियन्त्रण करैत अछि । गैरकर राजस्व अुनसन्धान, तहकिकात आ कारबाही विदेशी विनिमय अपचलन रोकथाम आ नियन्त्रण तथा समग्र राजस्व चुहावट एवम् नियन्त्रण करबाक जिम्मा विभागके भेटल अछि ।
एखन राजस्व चुहावट आ आर्थिक अपराध नियन्त्रण सहितक महत्त्वपूर्ण जिम्मेवारी अर्थ मन्त्रालयसँ प्रधानमन्त्री कार्यालय मातहत आएल अछि । प्रधानमन्त्री कार्यालय मातहतमे आबएसँ पहिनेके तुलनामे विभाग प्रभावकारी बनैत गेल कर्मचारीसभक दावा अछि । सरकार चालू आव ०७५÷७६ मे ९ खर्ब ४५ अर्ब ५५ करोड रुपैयाँ राजस्व उठाबएके लक्ष्य रखने अछि । महालेखा नियन्त्रक कार्यालयके अनुसार १६ अगहन धरि ४४.८६ प्रतिशत अर्थात् ४ खर्ब २४ अर्ब २१ करोड रुपैयाँ संकलन भेल अछि । निजी क्षेत्र सरकार राजस्वमुखी भऽ रहल दावा कऽ रहल समय सरकारी अधिकारी पछिल्लो समय राजस्व चुहावट कडाइ कऽ रहल बतबैत छथि ।

Read More »

सिके राउत जेल चलान

चन्द्रपुर २१ गते । स्वतन्त्र मधेसके माँग करैत आबि रहल डा. सिके राउत जेल चलान भेल छथि । जिल्ला अदालत रौतहटके आदेशमे पुर्पक्षक लेल डा. राउतकेँ जेल चलान कएलगेल अछि । वृहस्पतिदिन जिल्ला न्यायाधीश अम्बिकाप्रसाद निरौलाके इजलाससँ डा. राउतकेँ पुर्पक्षक लेल जेल चलान करबालेल आदेश देने छल । अदालतक आदेशक बाद राउतकेँ थुनामे राखि थप अनुसन्धान कएल जएबाक जिल्ला अदालत रौतहटके श्रेस्तेदार गुणराज पराजुली जानकारी देलन्हि ।प्रहरी राउत जिल्ला अदालत रौतहटसँ घुरि रहल समय गत आसिन २१ गते नियन्त्रणमे लेलगेल छल । प्रहरी राउतविरुद्ध राज्यविरुद्धक सांगठनिक अपराध कसुर अन्र्तगत नियन्त्रणमे लऽ मुद्दा चलाओलगेल छल । प्रहरी म्याद बढाबए लेल वृहस्पतिदिन अदालतमे उपस्थित करओने छल ।

Read More »

फागुन भितर रेल चलत ः मन्त्री महासेठ

जनकपुरधाम २१ गते । भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्री रघुबीर महासेठ अगामी माघ फागुन भितर नेपालमे रेल चलत बतओलन्हि अछि । जयनगर–जनकपुरक कुर्था धरि ३५ किलामिटरके काज करिब करिब सम्पन्न भऽ चुकल कहैत माघ फागुन भितर रेल चलत दावा कएलन्हि । वृहस्पतिदिन राष्ट्रियसभाके राष्ट्रिय सरोकार तथा समन्वय समितिमे राष्ट्रिय गौरवके आयोजनासभक विषयमे भेल छलफलमे मन्त्री महासेठ कहलन्हि, ‘माघ–फागुन धरि रेल सञ्चालन भऽ जाएत, हमसभ जल्दि सञ्चालनमे लाबएजँका काज कऽ रहल छी ।’
जयनगर–जनकपुर रेल सेवा याह अगहन भितर सञ्चालन करबाक कहलगेल छल । मुदा, रेल भाडामे लेबाक या सरकार अपने किन कऽ चलएबाक विषयमे अनिश्तिता देखलगेल छल । भारतक सरकारी निकायसँग रेल भाडामे लऽ कऽ रेल चलाबएके प्रक्रिया अपनाओलगेल प्रति रेलके गुणस्तर आ लागत सेहो अधिक पडत कहि देखला बाद सरकार रेल खरिद कऽ कऽ चलाबएके निर्णय भेल छल ।
भाडामे लऽ कऽ डिसेम्बर भितर रेल सञ्चालन करबालेल एहिसँ आगा ५० करोड बजेट विनियोजन कएलगेल जाहिमे यातायात मन्त्रालय आ रेल्वे विभाग रेल किनए लेल आओर पैसा रकम माँग कएने छल । माँग अनुसार ५० करोड थप बजेट निकासा करबालेल अर्थ मन्त्रालय तैयार भेल यातायात मन्त्रालय स्रोत जनओलक अछि । भाडामे लेलापर आ अपने किनलापर बराबरीजँका देखलगेला बाद मन्त्रालय आ विभाग रेल खरिद करबाक निर्णयमे पहूँचल छल । एखनुक लेल ७२ गोटे धरि अट्ए सकबाक १० डब्बाके रेल किनएके सरकारक योजना अछि । मुदा, नयाँ रेल किन कऽ लाबएमे समय लागलासँ तत्कालकेँ भाडामे लऽ कऽ फागुन भितर जनकपुर–जयनगर रेल सञ्चालन करबाक मन्त्री महासेठके कहब छन्हि ।

Read More »

माय कएलक बेटीके हत्या

जनकपुरधाम २१ गते ।जनकपुरमे एकटा माय अपन बेटीके हत्या कएने आरोप लागल अछि । जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–२४ सोनापाडा रहन्हिार ४० वर्षीया राजकुमारी मण्डल अपन १६ वर्षीया बेटी सोनी मण्डलके हत्या कएने आरोप लागल अछि ।बेटीक हत्याके आरोपमे प्रहरी माय राजकुमारीसहित अन्य चारि गोटेके नियन्त्रणमे लऽ कऽ अनुसन्धान शुरु कएलक अछि । राजकुमारी आ बेटी सोनीबीच बेरबेर विवाद आ झैं–झगडा होइत आबि रहल छल ।
दुनु गोटेबीचक झगडाके कारण बेटी सोनी खाना सेहो अलग बना कऽ रहैत आएल प्रहरी जनओलक अछि । बुधदिन सेहो बनाओलगेल तरुवाके विषयमे माय आ बेटीबीच झगडा भेल छल ।
झगडाके क्रममे बेटी सोनी केबारमे लगाबएबला बिलैया प्रहार कऽ मायक गर्दन सेहो दाबि देने छल । प्रतिकारमे माय राजकुमारी सेहो बेटी सोनीके गर्दन दाबि देने छल । माय गर्दन दबलाक किछुदेर बाद सोनी बेहोस भेल छल ।
एहिसँ पहिने सेहो झगडाक क्रममे बेहोस हएबाक नाटक करैत आबि रहलाक कारण एहिबेर सेहो नाटक कएने राजकुमारीके बुझाएल छल । मुदा बादमे देखलासँ सोनीके मृत्यु भऽ चुकल राजकुमारीके बुझबामे आएल ।
भुँइयामे रहल सोनीकेँ अन्य दुटा महिलाके सहयोगमे चौकी पर रखने माय राजकुमारी प्रहरीसमक्ष वयान देने धनुषाक डीएसपी दिपेन्द्र शाही जानकारी देलन्हि ।
फर्निचर व्यवसाय करैत आबि रहल रामवरण मण्डलक बेटी सोनी अपने घरमे मृत देखलगेल सूचनाके आधार पर प्रहरी तत्काल अनुसन्धान प्रक्रिया आगु बढओलाक बाद हत्या भेल रहस्य बाहर आएल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनओलक अछि ।

Read More »

जालसाजी आरोपमे गिरफ्तार महन्थ ‘बैकुण्ठ’ सार्वजनिक

जनकपुरधाम २१ गते । जनकपुरस्थित जनक हजारी विद्यापीठक जमीन जालसाजी कएने आरोपमे गिरफ्तार रत्नसागर मन्दिरक महन्थ बैकुण्ठ दास वैष्णवके प्रहरी सार्वजनिक कएलक अछि । बुधदिन साँझ काठमाण्डुक बागबजारस्थित तिरुपती होटलसँ पकराएल महन्थ दासके जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा वृहस्पतिदिन पत्रकार सम्मेलन कऽ सार्वजनिक कएलक अछि ।
जमिन जालसाजी कएने आरोपमे दासविरुद्ध जिल्ला अदालत धनुषामे मुद्दा दायर भेल छल । अदालत गिरफ्तार करबालेल आदेश जारी कएलाक बाद फरार भेल महन्थ दासकेँ प्रहरी काठमाण्डुसँ नियन्त्रणमे लेबामे सफल भेल छल ।
जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–८ स्थित विद्यापीठक भोग करैत आबि रहल गुठी संस्थानक नाममे दर्ता रहल सिट नम्बर १३५४–१४ किता नं.६२ के क्षेत्रफल ०–२–११ आ सिट नं. १३५४–१५ किता नं. २८ के क्षेत्रफल २–८–१४ जमीनक नक्कली लालपूर्जा बनओने दालसके जालजासी मुद्दामे गिरफ्तार कएलगेल धनुषाक एसपी गोविन्द थपलिया जानकारी देलन्हि ।
जनकपुरधाम–८ स्थित करोडौं मूल्य बराबरके विद्यापीठक नाम पर रहल जमीन महन्थ दास आ हुनकर सहयोगी अशोक शर्मा जालसाजी कएने आरोप अछि । दासक सहयोगी शर्माकेँ प्रहरी एहिसँ पहिने गिरफ्तार कऽ चुकल अछि ।
अढाई अर्बसँ अधिक मूल्य बराबरके विद्यापीठ अधिनस्त ओहि जमीनक संरक्षक दास अपने आ मोही शर्माके बनओने छथि । हजारी जनक विद्यापीठ भोग करैत आबि रहल अढाई विघा जमीन महन्थ दास नक्कली लालपूर्जा बना कऽ हडपने कहैत प्राचार्य विजय चौधरी अदालतमे मुद्दा दायर कएने रहथि ।

Read More »

विवाह पञ्चमीके तयारी तिव्र, पुष्पवृष्टीके तैयारी

जनकपुरधाम २१ गते ।अगहन २६ गते मनाओल जा रहल रामजानकी विवाहोत्सवक तैयारी अन्तिम चरणमे पहुँचल अछि । सप्ताहव्यापी कार्यक्रमके साथ मनाओल जा रहल रामजानकी विवाहोत्सव शुक्रदिनसँ शुरु होबए जा रहल अछि । विवाहोत्वस कार्यक्रमके पहिलदिन शुक्रदिन जनकपुर नगर दर्शन कार्यक्रम रहल जानकी मन्दिरक छोटे महन्त रामरोशन दास जानकारी देलन्हि ।
त्रेता युगमे वैवाहिक कार्यक्रमपूर्व भगवान राम आ सीताकेँ जनकपुर नगर परिक्रमा करा कऽ सर्वसाधारणक दर्शन कराओलगेल मान्यता अनुसार नगर दर्शन कार्यक्रम होइत आएल अछि ।
विवाहोत्वसके तैयारीक विषयमे जानकारी देबएलेल वृहस्पतिदिन जानकी मन्दिरमे पत्रकार सम्मेलनके आयोजना कऽ छोटे महन्त दास तैयारी अन्तिम चरणमे पहुँचल जानकारी करओलन्हि । विगतके वर्षक तुलनामे एहि वर्ष भव्य तरिकासँ विवाहोत्सवके तैयारी कएलगेल जानकारी दैत दास १० लाखसँ अधिक तिर्थालु सहभागी हएबाक अनुमान रहल बतओलन्हि ।
राम जानकी विवाहोत्सवमे भारत उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री योगी आदित्यनाथ बरियात बनि कऽ जनकपुर आबि रहलाक कारण सेहो भव्यता देल जा रहल हुनकर कहब छलन्हि । मुख्यमन्त्री योगी जानकी मन्दिरमे पूजाअर्चना पश्चात रंगभूमि मैदानमे आयोजना होबएबला स्वयंभर कार्यक्रममे सहभागी होएताह ओ बतओलन्हि ।
स्वयंभर अवलोकन करबालेल योगीके लेल २२५ वर्ग फिट क्षेत्रफलके पण्डाल निर्माण कएल जा रहल आ स्वयंभरके क्रममे हेलिकप्टरसँ पुष्पवृष्टीके तैयारी चलि रहल ओ जानकारी देलन्हि ।
मुख्यमन्त्री योगीके संगहि विवाहोत्सवमे सहभागी होबएलेल अयोध्यासँ पाँच सयके संख्यामे विशिष्ट साधुसन्तसभ बरियात बनि कऽ जनकपुर आबि रहल दास बतओलन्हि । ओ कहलन्हि,‘विवाहोत्सवमे हरेक वर्ष हजारौंके सख्यामे बरियात अबैत छथि । मुदा एहि वर्ष विशिष्ट बरियातक संख्यामात्र पाँच सय रहत ।’
अयोध्यासँ किछु बरियात घोडा, उँट आ हाथीसँ जनकपुर आबि रहल ओ जानकारी देलन्हि । भारतक अयोध्यासँ धनुषाक जटही नाका होइत आबि रहल कहैत महन्त दास नाका पर पहुँच कऽ बरियातक स्वागत करबालेल आग्रह कएलन्हि अछि ।
विवाह पञ्चमी उत्सव सम्पन्न करबालेल अढाई करोड रुपैयाँ खर्च हएबाक अनुमान रहल बतबैत छोटे महन्थ दास प्रदेश सरकारक तर्फसँ ५० लाख बाहेक अन्य कोनो प्रकारक सहयोग प्राप्त नहि भेल जानकारी देलन्हि । एहि पैघ आयोजनमे प्रदेश सरकारद्धारा कएलगेल सहयोग पर्याप्त नहि रहल हुनकर कहब छलन्हि ।
विवाहोत्सवमे सहभागी होबएबला तिर्थालुसभक लेल वास आ भोजनक व्यवस्थाके सेहो जानकी मन्दिर जोडतोडके साथ आगु बढओने अछि । विवाहोत्सवमे सहभागी होबए आबएबला तिर्थालु तथा बरियातकेँ स्वागत करबालेल मिठाई तथा मिष्ठान तैयार करबाक काज शुरु भऽ चुकल अछि । छोटे महन्त दासक अनुसार तिर्थालु तथा बरियातसभके लेल एक लाख लिटर दुधक रसवरी तैयार कएल जा रहल अछि । एहिके संगहि अन्य मिष्ठान सामग्री तैयार करबाक काज सेहो शुरु भऽ चुकल ओ जानकारी देलन्हि ।
विवाहोत्सव नजदिक आबि रहल समय मन्दिरसहित स्वयंभरस्थल रंगभूमि मैदानकेँ सजएबाक काज सेहो शुरु भऽ चुकल अछि । एहि वर्ष विवाहोत्सवमे जानकी मन्दिरकेँ विभिन्न प्रकारक विद्युतीय बल्बके संगहि फूलसँ सेहो सजएबाक काज कएलगेल अछि । जानकी मन्दिरकेँ विशेष प्रकारक फूल प्रयोग कऽ सजएबाक आ एहिके लेल भारतक कोलकत्तासँ फूल आयात कएलगेल बताओलगेल अछि । छोटे महन्थ दासक अनुसार मन्दिर सजाबएलेल करिब ७ लाख मूल्य बराबरके फूल आयात कएलगेल अछि ।
एहिबीच विवाह पञ्चमीके मध्यनजर करैत अगहन २३ गतेँ २७ गते धरि जनकपुर नगर क्षेत्रभितर मदिरा बेचबिखन बन्द करबाक निर्णय कएलगेल अछि । विवाह पञ्चमीके मौका देख कऽ होबएबला आपराधिक क्रियाकलाप नियन्त्रण करबाक उद्देश्यसँ ई निर्णय कएलगेल अछि । जनप्रतिनिधि, स्थानीय संघसंस्थाक प्रतिनिधि, सुरक्षा निकायसहितक सरोकारबलासभक संयुक्त बैठक विवाह पञ्चमीकेँ भव्य बनबैत एहि अवधिभरि मांस मदिरा बेचबिखन बन्द करबाक निर्णय कएलगेल अछि ।

Read More »