मैथिली समाचार

सेनामे मधेशी आ नेवारी रेजिमेन्ट बनएबाक प्रस्ताव

काठमाण्डु अखार ६ गते ।सत्तारुढ दल समाजवादी पार्टी नेपालक प्रमुख सचेतक उमाशंकर अरगरिया नेपाली सेनाक विभित्र जातीय रेजिमेन्ट बनएबाक माँग कएलन्हि अछि ।
प्रतिनिधिसभाक वृहस्पतिदिनके बैसारमे बजैत अरगरिया ई माँग कएलन्हि अछि । नेपाली सेनाक संरचना पञ्चायती शैलीके रहल बतबैत अरगरिया रेजिमेन्ट स्थापना कऽ पुनर्संरचना करबाक माँग कएलन्हि ।
‘नेपाली सेनाक संरचना पञ्चायती तरिकाके भेल । हमसभ नेपाली छी मुदा नेपाली सेनाके अपन नहि बुझि सकल छी,’ ओ कहलन्हि,‘आब मधेशी रेजिमेन्ट, थारु रेजिमेन्ट आ नेवारी रेजिमेन्ट बनाबए परत ।’
सेना आ माओवादीक लडाइमे दुनुके हारजित नहि भेल बतबैत ओ सम्झौताक आधारमे जयुद्ध समाप्त भेल स्मरण करओलन्हि । ‘आब देशकेँ मजबुत बनाबएलेल मधेशी रेजिमेन्ट, थारु रेजिमेन्ट आ नेवार रेजिमेन्ट बनाबए परत,’ ओ कहलन्हि,‘हमरासभके सेहो सेनाप्रति अपनत्व महसुस हुए ।’

Read More »

‘मन्त्रिपरिषद् पुनर्गठन भऽ सकैत अछि’

पोखरा अखार ६ गते ।सत्तारुढ नेकपाक अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड मन्त्रिपरिषद् पुनर्गठनक सम्भावना रहल बतओलन्हि अछि ।
प्रेस संगठन कास्की वृहस्पतिदिन पोखरामे आयोजना कएने पत्रकार सम्मेलनमे ओ कहलन्हि,‘मन्त्रिपरिषद पुनर्गठनक विषयमे प्रधानमन्त्रीसँ छलफल चलि रहल अछि । मुदा ई विषय प्रधानमन्त्रीक क्षेत्राधिकारभितर रहलाक कारण हुनकर इच्छासँ मात्र पुनर्गन भऽ सकैत अछि ।’
अध्यक्ष प्रचण्ड बजेटके बाद किछु नहि किछु पुनर्गठन करबाक कोणसँ दुनु अध्यक्षबीच छलफल चलि रहल चर्चा करैत कहलन्हि, ‘जल्दिए दुनु अध्यक्षबीच आओर यावत विषय निष्कर्षमे पहुँचएबाक हिसाबसँ बातचित होएत, ओहिके बादे ठोस रुपेँ कहल जा सकैत अछि, एखन पुनर्गठनक निर्णय नहि भेल अछि ।’
पार्टी सञ्चालन आ सरकार सञ्चालनक सम्बन्धमे भेल सहमति पहिने सार्वजनिक भऽ चुकल विषय रहल उल्लेख करैत ओ ई एहि विषय नयाँ नहि रहल बतओलन्हि ।
अध्यक्ष प्रचण्ड दुनु पार्टीक एकीकरण अपनेमे महान विषय रहल बतबैत राष्ट्रक समृद्धिके लेल ई महत्वपूर्ण अछि उल्लेख कएलन्हि । सरकार विप्लवसँ वार्ताके लेल टोली गठन कऽ चुकलाक बादो ओहिमे प्रगति नहि भऽ सकल उल्लेख करैत ओ विप्लव अख्तियार कएने रास्ता देश आ हुनका लेल सेहो हितकर नहि रहल प्रचण्ड बतओलन्हि अछि ।
पूर्वप्रधानमन्त्री सेहो रहल अध्यक्ष प्रचण्ड सरकार गुठी विधेयक फिर्ता लेने प्रसंग उल्लेख करैत सरकार जनताप्रति जिम्मेवार रहल दावा कएलन्हि । मिडिया काउन्सिलसहितक विधेयकमे देखलगेल समस्या संसदीय प्रक्रियासँ संशोधन एवं परिमार्जन करबा पर जोड दैत ओ विगतमे सरकार आ पार्टीभितर पर्याप्त गृहकायृक कमी आ विधेयकके विषयमे नहि बुझलाक कारण समस्या आएल बतओलन्हि ।
अध्यक्ष प्रचण्ड सरकारक कामकारबाही प्रभावकारी बनएबालेल छलफल चलि रहल बतबैत पहिल वर्षकेँ आधार वर्षके रुपमे लैत एहि अवधिमे संवैधानिक, कानूनी एवं विकास पूर्वाधारक काज आगु बढल बतओलन्हि । ओ एहि अवधिमे पडोसीसँगक सम्बन्धमे सेहो महत्वपूर्ण उपलब्धि हासिल भेल बतओलन्हि ।
वर्तमान परिवर्तन विगतके जँकामात्र परिवर्तन नहि रहल बतबैत ओ व्यवस्थामे परिवर्तन भेलाक कारण किछु मात्रामे जटिलता आएब स्वभाविक रहल बतओलन्हि अछि ।

Read More »

‘प्रधानमन्त्रीके राजीनामा लेल तैयार रहए परत’

काठमाण्डु अखार ६ गते । प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली कांग्रेसक उपसभापति तथा संसदीय दलक उपनेता विजयकुमार गच्छदार प्रधानमन्त्रीके राजीनामा देबएलेल तैयार रहबाक चाही बतओलन्हि अछि ।
विनियोजन विधेयकउपर संसदमे जारी छलफलमे भाग लैत गच्छदार विधेयक फिर्ता लेब बहादुरी नहि रहल कहैत गलत विधेयक लओलाक कारण नैतिकताके आधार पर राजीनामा देबएलेल तैयार रहबाक चाही बतओलन्हि ।
ओ कहलन्हि,‘मन्त्रीसँ मात्र छलफल कऽ कऽ होइत अछि । सरोकारबला, विपक्षीसँ छलफल परामर्श नहि करए परैत अछि ? ओहिना कहिदेब गुठी विधेयक लएलौंह, फिर्ता लेलौंह । फिर्ता करब बहादुरी नहि अछि । गल्ती आ संविधानविरोधी विधेयक लओने प्रधानमन्त्रीके नैतिक जिम्मेवारी लेबए परत, राजीनामा देबएलेल सेहो तैयार रहए परत ।’
गच्छदार सरकार अधिनायकवाद आ सर्वसत्तावाद लादए चाहि रहल आरोप लगओलन्हि । ‘संविधान दस्तावेज अछि । एकरा कमजोर करबाक अधिकार के देने अछि प्रधानमन्त्रीकेँ ?’ ओ कहलन्हि,‘जनता आन्दोलन कएलाक बाद सरकार गुठी विधेयक फिर्ता लेलक । विधेयक लएबासँ पहिने ओहि विषयमे गृहकार्य नहि करबाक चाही छल ?’
उपनेता गच्छदार प्रधानमन्त्रीके नियत की अछि कहैत प्रश्न सेहो कएलन्हि । ओ कहलन्हि,‘ दु तिहाइ बहमुतके शक्तिशाली प्रधानमन्त्री रहलाक बादो राज्यक विभित्र निकायकेँ कियाक अपन अधिनमे लाबए परलन्हि ? हुनकर नियत की अछि ? खराब नियतसँ देशमे सर्वसत्तावाद आ अधिनायकवाद लादए चाहि रहल छथि ।’
संगहि गच्छदार सरकार प्रतिपक्षीप्रति असहिष्णुता दखओने आरोप सेहो लगओलन्हि । ‘संसदभितर प्रमुख प्रतिपक्षी दलके अग्राधिकार होइत अछि, सदनके नेता सभामुख होइत छथि । शेरबहादुर देउवा बाजए चाहलाक बाद बजिताह की भऽ जएतैक, ई मान्यता छैक । हमसभ अग्राधिकार खोजने छी । प्रतिपक्षक प्रश्नक जबाब देबए परत,’ गच्छदार बतओलन्हि । संगहि उपनेता गच्छदार प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद् कार्यालय अन्तर्गत विनियोजित रकममे १ सय रुपैयाँ घटएबाक प्रस्ताव सेहो पेश कएलन्हि ।

Read More »

‘जनता आवास’ कार्यक्रमक शिलान्यास

जनकपुरधाम अखार ६ गते ।प्रदेश सरकार ‘जनता आवास’ कार्यक्रमअन्तर्गत जनकपुरक मुसहर परिवारके लेल ८० घर निर्माणक कार्य शुरु कएलक अछि । प्रदेश २ क भौतिक पूर्वाधार मन्त्री जितेन्द्र सोनल एवं कार्यक्रमके धनुषा जिल्ला संयोजक प्रदेशसभा सदस्य परमेश्वर साह वृहस्पतिदिन शिलान्यास कऽ कार्यक्रमके शुरुवात कएलन्हि अछि ।
पहिल चरणमे जनकपुरधाम–२४ बसहियामे ८० परिवारके लेल २ कोठलीक घरक शिलान्यास कएलगेल अछि । कार्यक्रमअन्तर्गत मुहसहर, हलखोर, डोमसहितक अति विपत्र समुदायकेलेल घर निर्माण करबाक अछि ।

Read More »

जटहीमे नवनिर्मित प्रहरी भवनके उद्घाटन

जनकपुरधाम अखार ६ गते ।नगराईन नगरपालिकाक जटही लगमामे नवनिर्मित सीमा प्रहरी चौकी भवनके उद्घाटन भेल अछि । प्रदेश २ क प्रहरी प्रमुख हरिबहादुर पाल वृहस्पतिदिन एक कार्यक्रमके बीच नवनिर्मित भवनके उद्घाटन कएलन्हि ।
भवन उद्घाटन करैत प्रहरी प्रमुख पाल नयाँ भवनक निर्माण संगहि नयाँ तरिकासँ सभ्य, शिष्ट एवं नागरिक मैत्री व्यवहार कऽ प्रभावकारी रुपेँ सेवा प्रदान करबालेल मातहतके प्रहरी अधिकृतसभकेँ निर्देशन देलन्हि ।
समाजमे शान्ति सुरक्षा कायम करबामे तथा तस्करी रोकबाक कार्यमे अन्य प्रहरी चौकीक तुलनामे सीमा प्रहरी चौकीके भूमिका अधिक रहल कहैत ओ जिम्मेवार आ संवेदनशीलतापूर्वक काज करबालेल आग्रह कएलन्हि । कोनो प्रकारक लोभ लालच नहि राखि लगनशील, कर्तव्य निष्ट, निष्पक्ष एवं तटस्थ भऽ कऽ काज करबालेल पाल निर्देशन देलन्हि ।
समुदाय–प्रहरी साझेदारीक विषयमे बजैत प्रदेश प्रहरी प्रमुख पाल प्रहरी समुदायसँ जुडल रहलाक कारण समाजकेँ भयरहित, सुरक्षित बनाबएलेल महत्वपूर्ण रहल कहैत ओ महिला हिंसा, मावन बेचबिखन, महिला, बालबालिका आ जेष्ठनागरिक उपर होबएबला अपराध, व्यक्तिके सुरक्षासहितक विषयमे तत्काल प्रहरीके सूचना उपलब्ध करएबालेल सर्वसधारणसँ आगुह कएलन्हि ।
कार्यालय आ ब्यारेकसहित नेपाल सरकारक सहयोगसँ ११ कोठलीक नवनिर्मित भवनक उद्घाटन कार्यक्रममे स्थानीय निकायक प्रतिनिधि, जिल्लास्थित सुरक्षा निकायक प्रमुख, स्थानीय संघसंस्थाक प्रतिनिधिसहितकके उपस्थिति छलन्हि ।

Read More »

सर्लाहीमे प्रहरी आ विप्लव कार्यकर्ताबीच भीडन्त, जिल्ला इञ्चार्जके मृत्यु

जनकपुरधाम अखार ६ गते ।सर्लाहीक लालबन्दीमे नेपाल प्रहरी आ विप्लव समूहबीच दुतर्फा भीडन्त भेल अछि । भीडन्तमे प्रहरीके गोली लागि कऽ एक गोटेके मृत्यु भेल प्रहरी जनओलक अछि ।
प्रहरीक गोली लागि कऽ विप्लव नेतृत्वक नेकपाक सर्लाही इञ्चार्ज कुमार पौडेलके घटनास्थले पर मृत्यु भेल प्रदेश प्रहरी कार्यालयक एसपी सन्तोष खडका जानकारी देलन्हि ।
लालबन्दी नगरपालिका–१ लखनदेही नदी नजदिक वृहस्पतिदिन दुपहर करिब २ बजेतर्फ चारि पाँचगोटेके समूहमे रहल ओसभ प्रहरीक गस्ती टोली उपर गोली प्रहार कएने छल । प्रहरीक जबाबी कारबाहीमे पौडेलके मृत्यु भेल खड्का बतओलन्हि अछि ।
४÷५ गोटेक संख्यामे रहल ओसभ गोली फायर करैत फरार भेल एसपी खडका बतओलन्हि अछि । घटनास्थलसँ सिक्सर पेस्तोल १ टा, कटुवा पेस्तोल १ टा दुटा मोटरसाइकल बरामद भेल प्रहरी जनओलक अछि । फरार भेलसभक खोजी कार्य जारी रहल प्रदेश प्रहरी कार्यालय जनकपुर जनओलक अछि ।
पौडेल बागमती नगरपालिका–२ धरहराके स्थानीय निवासी अछि । पौडेलक नेतृत्वमे नेकपाक नेता, कार्यकर्ता आ प्रहरीबीच किछ महिना पहिने सेहो सुकम्बासी वस्ती हटएबाक विषयकेँ लऽ कऽ तनाव उत्पत्र भेल छल । तनावक क्रममे प्रहरी गोली चलओने छल । मुदा ओहिसमय कोनो मानवीय क्षति नहि भेल छल ।
बागमती नगरपालिका धरहरामे सागरनाथ वन परियोजनाक करिब ४ हजार बिघा जग्गा कब्जा कऽ विप्लव नेकपा सुकम्बासीसभकेँ रखने छल । प्रहरी ओ जग्गा खाली करएबाक क्रममे एहिसँ पहिने सेहो गोली चलओने छल ।
पौडेल नेकपा माओवादी फुटलाकबाद मोहन वैद्य नेतृत्वक पार्टीमे लागल छलथि । बादमे ओ नेत्रविक्रम चन्द नेकपा बनलाक बाद ओ सर्लाही जिल्ला इञ्चार्जके रुपमे काज करैत आबि रहल छलथि । पूर्वखेलाडी सेहो रहल पौडेल पहिनेसँ हिम्म्तगर स्वभावक छलथि ।
नेकपा बागमती नगरपालिकाका मेयर भरत थापाकेँ कारबाही करबाक चेतावनी देने छल । पूर्वमाओवादी््््््््््््््््््््््््् मेयर थापा जनयुद्धकालमे सुराकी कएने, आर्थिक अपचलन कएने, भ्रष्टाचार आ गुण्डागर्दी कएने आरोप लगबैत जनता दण्डित करत कहैत चेतावनीपूर्ण विज्ञप्ति निकालने छल । विगत किछु दिनसँ प्रहरी बागमती नगरपालिकामे सक्रियता बढओने छल ।

Read More »

तीनटा होटल जरि कऽ नष्ट

जनकपुरधाम अखार ६ गते ।जनकपुरधाम–४ स्थित कदम चौकमे वृहस्पतिदिन भिन्सर अगिलगि भेलासँ तीनटा होटल जरि कऽ नष्ट भऽ गेल अछि । अगिलगिके कारण होटलभितर रहल सम्पूर्ण सामान जरि कऽ नष्ट भेलासँ होटल सञ्चालकसभ समस्यामे परल छथि ।
वृहस्पतिदिन भिन्सर सब सुतिरहल अवस्थामे अचानक रामअशिष साहक गोविन्द मिष्ठान भण्डारमे अगिलगि भेल । प्रहरीके अनुसार होटलभितर रहल फ्रिजमे सर्ट सर्किटके कारण अगिलगि भेलाकबाद ओतह रहल ग्यास सिलिण्डर विस्फोट भेल छल । विस्फोटके आवाज पैघ छल । भिन्सरके समयमे सुनसान रहलाक कारण सिलिण्डरके आवाज दुर तक सुनाएल छल ।
धिरेधिरे कातमे रहल अन्य दुटा होटलमे सेहो आगि लागि गेल । आ, एकके बाद दोसर करैत होटलभितर रहल ९ टा सिलिण्डर विस्फोट भेल । सिलिण्डर विस्फोट भेलाक बाद आगि आओर पसरल । आगिलगिसँ रामअशिष साहक गोविन्द मिष्ठान भण्डार, रतन ठाकुरक ठाकुर मिष्ठान भण्डार आ सियाराम साहक जय सियाराम मिष्ठान भण्डार जरि कऽ नष्ट भेल अछि । प्रहरीके अनुसार अगिलगिसँ ३२ लाख २३ हजार मूल्य बराबरके सम्पत्ति जरि कऽ नष्ट भेल अछि ।
होटलमे आगि लागल देखलाक बाद ओतहि सुतल सियाराम मिष्ठान भण्डारक सञ्चालक सियाराम आ हुनक बेटा केशव साह आगि मिझएबाक प्रयास कएलन्हि । मुदा, नियन्त्रण नहि भऽ सकल र अपने आगिके नियन्त्रणमे नहि लऽ सकलाक बाद केशव जिल्ला प्रहरी कार्यालयक कन्ट्रोल रुममे फोन कएलन्हि । लगले जिल्ला प्रहरी कार्यालयक गस्ती टोली घटनास्थल पहुँचल । ओतहिसँ कोनो व्यक्ति जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक दमकल शाखामे फोन कएलन्हि । मुदा फोन नहि उठल ।
दमकल शाखाक फोन नहि उठलाक बाद प्रहरीक गस्ती टोली अपने उपमहानगरपालिका कार्यालय पहुँचल ओतह दमकल चालक नहि भेटल । आधा घन्टाबाद करिब साढे तीन बजेतर्फ दमकल घटनास्थल पहुँचल छल । मुदा ओहि दमकलके ट्यांकीमे पानि कम छल । एहिके आधा घन्टाबाद उपमहानगरपालिकाक दोसर दमकल सेहो घटनास्थल पहुँचल ।
होटल सञ्चालक सियाराम साह कहलन्हि,‘पहिने आएल दमकलमे पानि कम छल । आधा घन्टाबाद पहुँचल उपमहानगरापलिकाक दोसर दमकल सेहो निकसँ काज नहि कएलक ।’
उपमहानगरपालिकाक दमकल आगिके नियन्त्रणमे नहि लऽ सकलाक बाद करिब १४ किलोमिटर उत्तर रहल क्षिरेश्वरनाथ नगरपालिकाक दमकल घटनास्थल बजाओलगेल । पर्याप्त पानिसहित पहुँचल ओ दकमल निकसँ काज कएने प्रत्यक्षदर्शीसभ बतबैत छथि । उपमहानगरपालिकाक दमकल पर्याप्त पानिसहित पहुँचल रहैत तऽ क्षति कम भऽ सकैत छल स्थानीयके कहब अछि ।
ट्यांकीमे कम पानि लऽ कऽ आएल जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक दमकल सेहो नजदिकमे रहल पोखरिसँ पानि भरि कऽ आगि मिझएबाक कार्यमे जुटल छल । प्रहरीके अनुसार तीनु दमकलके आगि मिझाबएमे करिब एक घन्टाक समय लागल छल । भीषण अगिलगिसँ भौतिक क्षति भेलाक बादो मानवीय क्षति नहि भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनओलक अछि ।
जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका उपमेयर रीताकुमारी मिश्र जनकपुरमे पानिक समस्या भेलाक बाद पिबएबला पानि वितरण करबाक कार्यमे दमकल प्रयोग भेलाक कारण शुरुमे कम परिमाणमे पानि लऽ कऽ गेल भऽ सकैत अछि बतओलीह । तत्काल आगि नियन्त्रण लेबाक कार्यमे दमकल नहि जुटल रहैत तऽ क्षति आओर अधिक होइतैक हुनकर कहब छन्हि । घटना दुखद रहल कहैत उपमेयर मिश्र पीडितसभके लेल क्षतिपूर्ति उपलब्ध करएबाक विषयमे ओसभ सोचि रहल जानकारी देलीह ।

Read More »

आठ वर्षमे भारतक जनसंख्या चीनसँ अधिक

एजेन्सी दिल्ली, अखार ५ गते ।एखन जनसंख्याक मामलामे भारत चीनके बाद विश्वके दोसर देश अछि । संयुक्त राष्ट्रसंघक आर्थिक एवं सामाजिक मामला विभाग (युएन–डीईएस) हालहि जारी कएने एक रिपोर्ट अनुसार २०२७ धरि भारतक जनसंख्या चीनसँ अधिक होएत । एखन भारतक जनसंख्या १.३६ अर्ब आ चीनके १.४२ अर्ब अछि । २०५० धरि भारतक जनसंख्या १.६४ अर्ब हएबाक सम्भावना रिपोर्टमे व्यक्त कएलगेल अछि ।
२१ अम शताब्दीके अन्तधरि विश्वके आवादी सर्वाधिक अधिक अर्थात ११ अर्ब पहुँचत रिपोर्टमे उल्लेख कएलगेल अछि । २०५० धरि विश्वके कुल आवादीके आधा जनसंख्या केबल ९ देशमे रहत । एहिमे भारत, नाइजेरिया, पाकिस्तान, कंगो, इथोपिया, तान्जानिया, इन्डोनेसिया, इजिप्ट तथा अमेरिका समावेश अछि ।
आगामी ३० वर्षक अवधिमे विश्वके जनसंख्या करिब २ अर्बसँ बढि कऽ ९.७ अर्ब हएबाक सम्भावना रहल संयुक्त राष्ट्र संघक अध्ययन देखओने अछि । एखन विश्वमे ७.७ अर्ब जनसंख्या अछि । शताब्दीके अन्तमे ई चरम भऽ कऽ करिब १०.९ अर्ब होएत ।
आगामी ३० वर्षक अवधिमे भारतक जनसंख्या २७.३ करोडसँ वृद्धि होएत । एहि दृष्टिकोणसँ २०५० धरि भारतक आवादी १ं६४ अर्ब भऽ जाएत । एहि शताब्दीके अन्त तक भारतक १.५ अर्ब, चीनके १.१ अर्ब, नाइजेरियाक ७३.३ करोड, अमेरिकाक ४३.३ करोड आ पाकिस्तानक ४०.३ करोड जनसंख्या भऽ जाएत ।

Read More »

राजपा देलक चारिम मधेश आन्दोलनक चेतावनी

काठमाण्डु अखार ५ गते ।राजपा नेपाल चारिम मधेश आन्दोलनके लेल बाध्य नहि करबालेल सरकारकेँ चेतावनी देलक अछि । प्रतिनिधिसभाक बुधदिनके बैठकमे बजैत राजपाक सांसद लक्ष्मणलाल कर्ण संविधान संशोधन, लाल आयोगक प्रतिवेदन सार्वजनिक, लोकसेवा आयोगक विज्ञापन रद्दसहितक माँग करैत आबि रहलाक बादो सरकार नहि सुनने कहैत चारिम मधेश आन्दोलनके लेल बाध्य नहि करबालेल सरकारकेँ सचेत करओलन्हि ।
कर्ण सरकार रोस्टम घेरावके बादे बाजए देबाक असंसदीय पद्धति शुरु करओने आरोप लगओलन्हि । ओ कहलन्हि,‘ सरकार कखन बाजत ? रोस्टम घेरलाक बादो बाजएबला सिस्टम सरकार बनओलक अछि । संख्यागत रुपेँ हमसभ कम भेलाक बादो रोस्टम घेरएलेल डराएल नहि छी । संस्कृति नहि बनए । संसद सुचारु रहए । सुचारु रुपमे चलबाक संसदीय मर्यादाके पालना कएने छी । सरकार एहि ढंगसँ बढल तऽ संसद अवरोध होएत । हमसभ सेहो रोस्ट घेराउ करब ।’
ओ संविधानविपरित लोकसेवा आयोगक विज्ञापन निकालि कऽ सरकार मधेशी समुदायउपर फेर तलबार चलएबाक काज कएने आरोप लगओलन्हि । सरकारक मन्त्री संसदीय समितिक निर्देशन नहि मानि कऽ समितिक धज्जी उडएबाक काज कएने कहैत कर्ण संसदीय मर्यादा कायम करएबातर्फ सभामुखकक ध्यानाकर्षण करओलन्हि ।
ओ सत्तारुढ दलक सांसदसभकेँ विधेयकउपर दोहरा चरित्र नहि देखाबएलेल सेहो सचेत करओलन्हि । लाल आयोगक प्रतिवेदन सार्वजनिक नहि कऽ सरकार अपने कएने प्रतिवद्धतासँ पाछु हटल कहैत ओ एहिसँ जनतक सरकार उपरके विश्वास तोडबाक काज कएने टिप्पणी कएलन्हि ।

Read More »

सर्वोच्च नहि रोकलक लोकसेवाक विज्ञापन

काठमाण्डु अखार ५ गते । स्थानीय तहमे पदपूर्तिकले लोकसेवा आयोग आव्हान कएने विज्ञापनसम्बन्धमे दायर रिटउपर सर्वोच्च अदालत कोनो आदेश जारी नहि कएलक अछि । एहि विज्ञापनक सम्बन्धमे दायर रिटसभक फाइल एकसाथ पेश करबालेल सर्वोच्च बुधदिन आदेश देलक अछि ।
न्याधीशद्वय हरिकृष्ण कार्की आ ईश्वरप्रसाद खतिवडाक इजलास एहिसम्बन्धी सभ रिटक फाइल एकहिसँग पेश करबालेल आदेश देने अछि ।
शुरुमे अधिवक्ता विकास ठाकुर लोकसेवाक विज्ञापन समावेशी समानुपातिक सिद्धान्तविपरित रहलाक कारण खारीज करबाक माँग करैत रिट दायर कएने रहथि ।
लोकसेवाबाहेक अन्य कर्मचारीके भर्ना लऽ सकत की नहि कहैत दोसर रिट सेहो परल अछि । एकटा रिटमे संसदके राज्य व्यवस्था समिति संवैधानिक अंगकेँ विज्ञापने रद्द करबालेल नहि कहि सकैत अछि उल्लेख अछि ।
एहिसँ पहिने मंगलदिन सर्वोच्च तीनटा रिटकेँ एकसाथ पेश करबालेल आदेश देने छल । मुदा एहिसँ सम्बन्धीत एकटा आओर रिट सेहो सर्वोच्चमे अछि आ ओहिउपर सुनवाइ नहि भेल अछि । बुधदिन सर्वोच्च लोकसेवा विज्ञापनसँ सम्बन्धीत चारु रिटके फाइल एकसाथ पेश करबालेल आदेश देने अछि ।
लोकसेवा स्थानीय तहकेलेल ९ हजार १ सय ६१ पदमे विज्ञापन आव्हान कएने छल । विज्ञापनक आवेदन देबाक अन्तिम समय मंगलदिनधरि छल । मुदा आयोगक अनलाइन सिस्टममे समस्या अओलाक कारण ७ दिनके लेल समय बढाओलगेल अछि ।

Read More »