मैथिली समाचार

जनकपुरसँ सीके राउतक तीन कार्यकर्ता गिरफ्तार

जनकपुरधाम २९ । स्वतन्त्र मधेश गठबन्धनक संयोजक सीके राउतक तीनटा कार्यकर्ता जनकपुरसँ पकराएल अछि । मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतके ज्ञापनपत्र बुझाबएगेल समय प्रहरी तीनुगोटेके रविदिन नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
जनकपुर सिगरेट फ्याक्ट्रि परिसरमे रहल मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रीपरिषद कार्यालयक गेटसँ प्रहरी तीनुगोटेके नियन्त्रणमे लेने जनाओलगेल अछि । पकराएबलामे संजय यादव, विश्वनाथ चौधरी आ अमरदीप यादव रहल बताओलगेल अछि । मुदा बादमे संजय बाहेक दुनु गोटेके प्रहरी छोडि देने छल ।
प्रहरी रौतहट सदरमुकाम गौरसँ नियन्त्रणमे लेने गठबन्धनक संयोजक राउतक रिहाइक माँग करैत तीनुगोटे मुख्यमन्त्रीके ज्ञापनपत्र बुझाबए गेल छल । मुख्यमन्त्री कार्यालयस्थित सुरक्षाकर्मी ओकरासभसँ कामके विषयमे जानकारी मँगने छल । आ, ओसभ राउतक रिहाइक माँग करैत मुख्यमन्त्रीके ज्ञापनपत्र बुझाबए आएल बतओने छल । अपनाके राउत समर्थक कहलाकबाद प्रहरी ओकरासभकेँ नियन्त्रणमे लेने प्रत्यक्षदर्शी जनओलक अछि ।
एम्हर प्रहरी मन्त्रीपरिषद कार्यालयक गेटसँ तीनगोटे नियन्त्रणमे लेलगेलाकबादो ओकरासभक विषयमे अनुसन्धान भऽ रहल जनओलक अछि । धनुषाक एसपी गोविन्द थपलिया तीन गोटे नियन्त्रणमे लेलगेल आ ओसभ के अछि एहि विषयमे अनुसन्धान भऽ रहल जानकारी देलन्हि ।

Read More »

मनिताक सामुहिक बलात्कारक बाद हत्या प्रकरणक वृत्तान्त

जनकपुरधाम २९ । धनुषाक औरही गामपालिका–२ क १० वर्षीया बालिका मनिता यादवक सामुहिक बलात्कारके बाद हत्या भेल । मनिताक हत्या भेलाक १४÷१५ घण्टा भितर धनुषा प्रहरी बलात्कार आ हत्यामा संलग्न दु गोटेके नियन्त्रणमे लेबएमे सफल भेल । घटना भेलाक किछुए घण्टाबाद अभियुक्त पराएब प्रहरीके लेल पैघ सफलता अछि ।
धनुषा प्रहरी हत्यामा संलग्न दुनु गोटेके रविदिन पत्रकार सम्मेलनमार्फत सार्वजनिक कएलक अछि । मनिता हत्यामे संलग्न औरही–५ क ३२ वर्षीय विनोद मुखिया बिन आ ओहि गामपालिका वार्ड नम्बर ३ क ३० वर्षीय नथुनी पंडीतके प्रहरी सार्वजनिक कएने अछि ।
प्रहरी नियन्त्रणमे रहल दुनु गोटे पत्रकार सम्मेलनमे ओसभ मनिताक बलात्कारके बाद हत्या कएने स्वीकार कएलक अछि । गामक पडोसी रहल दुनुगोटेके मनिता काका कहि कऽ सम्बोधन करैत छल ।
दारुक निशामे विनोद आ नथुनी मनिताके सामुहिक बलात्कार कऽ हत्या कएने पत्रकार सम्मेलनमे धनुषाक एसपी गोविन्द थपलिया जानकारी देलन्हि ।
गत शुक्रदिन साँझ सातबजे खाना खा कऽ मनिता साथीसभसँग गाममे लागल दशैं मेला देखएगेल छल । मुदा, शनिदिन भिन्सर धरि परिवारक सम्पर्कमे नहि अओलाकबाद परिवारक सदस्य तथा पडोसीसभ इलाका प्रहरी कार्यालयमे खबर कऽ खोजी शुरु कएलक । खोजी करबाक क्रममे मनिताक शव घरसँ करिब १ किलोमिटर पश्चित धानक खेतमे शीर गाडल अवस्थामे बरामद भेल ।
बलात्कार योजना
विनोद आ नथुनी दुनुगोटे गामक एक भठीमे दारु पिबए गेल छल । साँझ सातबजे भठीमे गेल ओसभ निशा लगलाकबाद कोनो बालिकाके बलात्कार करबाक योजना बनओलक । एक घण्टाबाद करिब ८ बजे भठीसँ निकलि कऽ ओसभ सेहो मेलामे पहुँचल छल । मेलामे विनोद आ नथुनी गामक एक बालिकाकेँ पैसाक प्रलोभन दऽ कऽ फुसलएबाक प्रयास कएने छल । मुदा, ओ बालिका विनोद आ नथुनीके प्रलोभनमे नहि अओलाकबाद दुनुगोटे दोसर बालिकाके खोजी शुरु कएलक ।
जकरबाद अपने पडोसी १० वर्षीया बालिका ओकरासभक नजरमे परल । आ, दुनु गोटे मनिताकेँ १० रुपैयाँ, चाउचाउ, चकलेटसहितक सामान खरिद कऽ देबाक प्रलोभन देने छल । अपने पडोसी काका चाउचाउ, चकलेट खरिद कऽ देबाक बात कएलाकबाद मनिता ओकरासभक पाछु चलिगेल ।
ओकरासभक पाछु गेल मनिताके मेलासँ करिब १ किलोमिटर दुर खेतमे लऽ जा कऽ दुनुगोटे मुह बन्द कऽ बलात्कार कएलक । ओसभ बलात्कार करबाक क्रममे मनिताके मृत्यु भऽ गेल छल । बालिकाके मृत्यु भऽ गेलाकबाद विनोद आ नथुनी नजदिकक धान खेतमे शव फेक कऽ भागल छल ।
मुदा मनिता बाँचि जाएत तऽ फसबाक डर रहल कहैत किछुदेरबाद दुनु गोटे मनिता जिविते अछि की नहि पक्का करबालेल फेर शव फेकने स्थानमे पहुँचल । ओतह पहुँचलाकबाद मनिता जिविते रहल ओकरासभके शंका लागल । आ, धानक खेतके थालमे मनिताक शीर डुबा कऽ ओतहसँ भागि गेल ।
एहि प्रकारेँ प्रहरीके फन्दामे परल विनोद आ नथुनी
मनिताक हत्या अभियोगमे पकराएके डरसँ विनोद शनिदिन भिन्सरे घरसँ भागि कऽ जनकपुर पहुँचल । जनकपुरमे ओ सिनेमा हल पहुँच कऽ फिल्म सेहो देखने छल । ओहिसँ पहिने प्रहरी ओकर खोजी शुरु कऽ देने छल । गाममे पुछताछक क्रममे मनिताके विनोदसँग देखलगेल ओसभ बतओने छल ।
विनोद गाममे नहि भेटलाकबाद प्रहरी ओकर परिवारक सदस्य पर दबाब देलक । आ, विनोद जनकपुरस्थित भ्रमरपुरा चौक पर रहल ओकर भाय प्रहरीके जानकारी करओलक । भ्रमरपुरा चौक पर अपन भायके देखलाकबाद विनोद भागएके प्रयास कएलक । मुदा, अन्ततः ओ प्रहरीके फन्दामे परल ।
विनोद पकरओलाकबाद बलात्काकर घटनामे ओकरासँग नथुनी सेहो रहल प्रहरीके बयान देने छल । विनोदक बयानके आधार पर प्रहरी नथुनीके घरेसँ नियन्त्रणमे लेलक ।
प्रहरीके अनुसार विनोद आ नथुनी एहिसँ पहिने सेहो आपराधिक घटनामे संलग्न रहल खुजल अछि । विनोद एहिसँ पहिने लुटपाटसम्बन्धी घटनामे दश वर्ष जेल सजाय काटि चुकल अछि । तहिना नथुनी गाममे साइकल, खँसी, बकरी चोरी चकारी करैत छल एसपी थपलिया बतओलन्हि । प्रहरी नियन्त्रणमे रहल दुनुगोटेविरुद्ध कर्तव्य जान तथा जर्बजस्ती करणीसम्बन्धी मुद्दा दर्ता कएलगेल प्रहरी जनओलक अछि ।

Read More »

राजपामे सभ अधिकार अध्यक्षमण्डलकेँ !

जनकपुरधाम २८ । राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपालक तीन महिना पहिने सम्पन्न राजनीतिक समिति देने सुझाव विपरित अध्यक्षमण्डल सभ अधिकार अपने रखने अछि । गत ५ सँ ७ अषाढ धरि राजधानीमे भेल बैठकसँ राजनीतिक समितिद्धारा देलगे सुझाव आ अधिकांश सहभागीके रायविपरित अध्यक्षमण्डल विधान परिवर्तन कएने अछि । अध्यक्ष मण्डल पार्टीक विधान संशोधन करबाक अधिकार अपनेमे सीमित कऽ एकल नेतृत्व अस्वीकार करैत सामूहिक नेतृत्वमे रहबाक व्यवस्थासहितके पार्टी विधान आसिन १६ गते निर्वाचन आयोगमे बुझओने छल । विधानके दफा ३१ अनुसार केन्द्रीय अध्यक्ष मण्डलकेँ कार्यसम्पादन करबालेल विधानअनुकूल नियमावली बनएबाक अधिकार देलगेल अछि ।
आयोगमे दर्ता कएलगेल अन्तरिम आ संक्षिप्त विधानमे अध्यक्ष मण्डलक व्यवस्था आगामी अधिवेशनके बादो कायम रखैत यथाशीघ्र पूर्ण विधान केन्द्रीय अध्यक्षमण्डल निर्माण कऽ आयोगमे बुझाओत जनाओलगेल अछि ।
राजपाक पदाधिकारीमात्र सम्मलित केन्द्रीय राजनीतिक समिति अध्यक्ष मण्डलक अधिकार अपनासभकेँ देबाक, एक अध्यक्ष आ अन्य पदाधिकारी रखबाक, पार्टी विधानसँ अधिकार संगठन निचका तहके हस्तान्तरण करबाक आ महाधिवेशनसँ विधान निर्माण करबाक निर्णय कएने छल ।
राजनीतिक समितिक निर्णयविपरित अध्यक्षमण्डल अपने निर्णय कऽ सभ अधिकार अपने रखने अछि । २०७४ वैशाख ६ गते मधेशकेन्द्रित दलबीच पार्टी एकीकरण भेल समय ६ टा अध्यक्ष रहथि । महाधिवेशनसँ एकल नेतृत्व रखबाक सुझावके कात करैत अध्यक्षमण्डल अपन पद पुनः सुरक्षित करबालेल हरेक निर्णयके अधिकार अपनेने सीमित कएने अछि ।
महाधिवेशनसँ एकल नेतृत्व चयन करबाक समय पराजित हएबाक भय आ त्राससँ एहि प्रकारक निर्णय कएलगेल भऽ सकैत अछि एक पदाधिकारी बतओलन्हि । किछु नेतासभक जनाधार नहि रहलाक कारण महाधिवेशनमार्फत नेतृत्वमे अएबाक संभावना नहि देखलाक बाद अध्यक्ष मण्डल पुरने अवधारणाके निरन्तरता देने छथि ।
अन्तरिम विधानमे कोनो व्यक्ति दु कार्यकालसँ अधिक अध्यक्ष पदमे नहि रहि सकैत अछि व्यवस्था कएलगेल अछि । पुराने विधानके निरन्तरता दैत आयोगमे बुझाओलगेल विधानमे सेहो केन्द्रीय अध्यक्षमण्डलक सदस्यमेसँ हरेक दु महिनामे फेराफेरी एक अध्यक्ष संयोजक होएत आ अध्यक्ष मण्डलके विस्तार, विलय, एकीकरण, पार्टीक नाम परिवर्तन, चुनाव चिन्ह परिवर्तनके निर्णय करबाक अधिकार केन्द्रीय अध्यक्ष मण्डलके देलगेल अछि ।
राजपा प्रदेश कार्यसमितिक अवधारणाकेँ विधानमे समावेश नहि कएने अछि । ओ जिल्ला अधिवेशन प्रतिनिधिकेँ रुपमे प्रतिनिधिसभा क्षेत्रीय अध्यक्ष, प्रदेशसभा क्षेत्रीय अध्यक्ष, गाम÷नगरपालिका समिति अध्यक्ष, वार्ड समिति अध्यक्ष आ वार्ड अधिवेशनसँ निर्वाचित १÷१ गोटे रहत स्पष्ट कएने अछि । ३१ सदस्यीय जिल्ला कार्यसमितिक चयन जिल्ला अधिवेशन प्रतिनिधिमार्फत होएत ।
जिल्ला कार्यसमितिमे सेहो पुरान ६ पार्टीसँ आएल अध्यक्षसभकेँ समेटएके उद्देश्यसँ एक अध्यक्ष, दु उपाध्यक्ष, दु सचिव आ एक कोषाध्यक्ष रहत विधानमे उल्लेख अछि । प्रतिनिधिसभा क्षेत्रीय समिति सेहो ३१ सदस्यीय रखबाक व्यवस्था अछि ।
राजपाक हरेक महानगर समिति ५१, उपमहानगर समिति ४१, नगर समिति ३१ आ गामपालिका समिति २१ सदस्यीय रखबाक व्यवस्था अछि । हरेक नगर तथा गामपालिकामे पदाधिकारीके रुपमे रहल अध्यक्ष एक, उपाध्यक्ष दु, सचिव एक, सहसचिव दु आ एकटा कोषाध्यक्ष रहत ।
राजपा अपन सांठनिक संरचनाके रुपमे वार्ड, गाम आ नगरपालिका समिति, प्रदेश कार्यसमिति, संसदीय निर्वाचन क्षेत्र कार्यसमिति, जिल्ला कार्यसमिति आ केन्द्रीय कार्यसमितिके व्यवस्था कएने अछि । केन्द्रीय कार्यसमितिसँ उपर राजनीतिक समितिके राखलगेल अछि । राजपा साधारण आ सक्रियसहित दु प्रकारक सदस्यताके व्यवस्था कएने अछि । राजपाक साधारण सदस्य होबएलेल १० रुपैयाँ आ सक्रिय सदस्यता लेबएलेल एक सय रुपैयाँ शुल्क राखलगेल अछि ।

Read More »

दशमीमे झिझियाके रौनक

जनकपुरधाम २८ । तराई मधेशसहित सम्पूर्ण मिथिलाञ्चलमे एखन झिझिया गीत आ नृत्यके रौनक अछि । खास कऽ कऽ दुर्गा पूजा होबएबला स्थानसभमे साँझ आ अबेर राति धरि साउन्ड बक्स आ लाउडस्पिकरसभमे एखन झिझिया गीत सहजि सुनल जा सकैत अछि । झिझिया गीतबिन एक प्रकारेँ दशमी अधुरा जँका लगैत अछि ।
छेद कएलगेल दुटासँ तीनटा घैल । घैल भितर बरैत दीप । आ, ओहि घैलसभकेँ माथ पर राखि कऽ महिलासभ झिझिया गीतमे नृत्य कऽ रहल दृष्य सभकेँ झुमाबि रहल अछि । झिझिया नृत्यकेँ तान्त्रिक नृत्य सेहो कहल जाइत अछि ।
छठम शताब्दीसँ ११ शताब्दी धरिके समय तन्त्र शक्तिके रहलाक कारण ओहि समयसँ झिझियाके प्रारम्भ भेल जनविश्वास अछि । समाजमे तन्त्र विद्या हावी रहल समय डाइनक प्रभाव धियापुतामे देखलगेल कहैत एहिके अन्त करबालेल झिझिया नृत्यके शुरुवात कएलगेल बताओल जाइत अछि ।
तन्त्र शक्तिद्धारा धियापुताक खतरा बढए लगालकबाद महिलासभ अपन सन्तानकेँ ओहि प्रभावसँ बँचाबएलेल ई नृत्य शुरु कएने छल । देवी उपासनाक एहि नृत्यसँ तान्त्रक नकारात्मक शक्ति परास्त भेल विश्वास अछि ।
ग्रामीण क्षेत्रमे रहल ब्रम्ह स्थान (डिहबार) पहुँच कऽ मन्त्री सिद्ध कएल जाइत अछि तऽ गीत गाबि कऽ देवीक रुप श्रृंगार आ बम्हके वर्णन कऽ खुश कएल जाइत अछि । दशमीक समय बाजएबला झिझिया गीतमे सेहो देवी आ ब्रम्हके वर्णन कएल जाइत अछि ।
अन्य महिलासभ गीतक माध्यमसँ डाइनके गारि देल करैत अछि । घैलमे रहल छेद डाइन गनि लेलाकबाद ओकर मृत्यु हएबाक जनविश्वास अछि । तहिना गारि दैतकाल सहए नहि सकलाकबाद महिलासभ झगडा करब आ डाइनक पहिचान होबए जनविश्वास रहल बतबैत छथि प्राध्यापक परमेश्वर कापडि ।
विगतमे ग्रामीण क्षेत्रमे गायल जाएबला झिझिया गीत आ नृत्य एखन लोक भऽ रहल अछि । मुदा ग्रामीण क्षेत्रमे लोप होइत जा रहल झिझिया नृत्य आ गीतके शहरी क्षेत्र जीवन्तता देबाक प्रयास कऽ रहल अछि । विगतमे ग्रामीण क्षेत्रक महिलासभ झिझिया गीतमे नृत्य करैत घरघर पहुँचल करैत छल । मुदा, एखन ई परम्परा करिब लोप भऽ सकल अछि ।
दशमीक अवसर पर दुर्गा पूजामे जुटल युवासभ हरेक साँझ झिझिया नृत्यक आयोजना करैत आबि रहल अछि । आधुनिकताके व्यापक प्रभाव बढि रहलाक बादो एखन बाजएबला झिझिया गीत युवा पुस्तासँ बुढपुरान सभकेँ मन्त्रमुग्ध बनबैत अछि ।

Read More »

नेकपाक विरोधकबीच प्रदेश–२ मे प्रहरी ऐन पारित

जनकपुरधाम २८ । संघीय सरकार प्रहरीसम्बन्धी कानुन लएबाक बाँकी रहल समय प्रदेश २ प्रहरी भनासम्बन्धी विधेयक पारित कएलक अछि । शनिदिन सम्पन्न प्रदेशसभा बैठक प्रदेश प्रहरी भर्नासम्बन्धी विधेयक संशोधनसहित पारित कएलक अछि । प्रमुख विपक्षी दल नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी (नेकपा) क विरोधक बीच प्रदेशसभा प्रहरी भर्नासम्बन्धी विधेयक पारित कएलक अछि । संघीय सरकारके कानुन लएबासँ पहिने प्रदेश प्रहरी ऐन लाएब संविधानविपरित रहल कहैत नेकपा एकर विरोध करैत आबि रहल छल । मुदा दोसर विपक्षी दल नेपाली काँग्रेस प्रदेश सरकारकेँ अपन प्रहरी रहबाक चाही कहैत ऐनके समर्थनमे छल ।
शनिदिन सम्पन्न प्रदेशसभा बैठकमे सरकार पेश कएने प्रदेश प्रहरी भर्नासम्बन्धी विधेयक ध्वनी मतके आधार पर पारित भेल अछि । नेकपा विधेयकके विरोधमे रहलाकबादो भोटिङ करएबाक अडान नहि लऽ सकल ।
प्रदेशसभासँ पारित विधेयकके प्रदेश प्रमुख प्रमाणीकरण कएलाकबाद कानुनके रुप लेत । आ, प्रदेश सरकारकेँ प्रदेश प्रहरी भर्ना करबाक रास्ता खुजत । प्रहरी भर्नासम्बन्धी विधेयक पारित करएबला प्रदेश–२ पहिल प्रदेश बनल अछि ।
एहिसँ पहिने सरकार लगओने प्रदेश प्रहरी ऐन अध्ययन करबालेल बनल विशेष समिति संशोधनसहितक मस्यौदा सदनमे पेश कएने छल । समितिक सांसद सुरिता साह विज्ञसभक सुझाव समावेश कऽ कऽ तैयार कएलगेल मस्यौदा सदनमे प्रस्तुत कएने छलीह । संविधानक धारा २६८ अनुसार प्रदेश प्रहरी संरचना तैयार कएलगेल आ एहिसँ संघीय ऐनके कानो अवरोध नहि पहुँचत हुनकर दावा छलन्हि ।
ऐनमे प्रदेश प्रहरी प्रमुखमे प्रहरी महानिरीक्षक रहबाक व्यवस्था कएलगेल अछि । एहिसँ पहिने सरकार पेश कएने विधेयकमे महानिरीक्षकके श्रेणी राजपत्राङ्कित प्रथम श्रेणी राखलगेल छल । मुदा ओहिके संशोधन कऽ कऽ राजपत्राङ्कित विशिष्ठ श्रेणी कएलगेल अछि । तहिना प्रहरी नायब महानिरीक्षक आ प्रहरी वरिष्ठ उपरीक्षकके श्रेणी राजपत्राङ्कित प्रथम श्रेणी संशोधन कएलगेल अछि ।
प्रदेश सरकार ‘जनपद’ प्रहरी हटा कऽ ‘प्रदेश’ प्रहरी शब्द रखने अछि । तहिना प्रदेश सरकार प्रहरी संगठन आ संख्या निर्धारण करबालेल संघीय सरकारसँ माँग कएलाकबाद एक महिना भितर सहमति प्राप्त नहि भेल अवस्थामे प्रदेश सरकार ई काज अपने करत विधेयकमे उल्लेख अछि ।
प्रदेश प्रहरीकेँ समावेशी बनाबएलेल खुल्ला प्रतियोगिता परीक्षाद्धारा पुर्ति होबएबला पदमेसँ ४५ प्रतिशत अलग करैत ओहिके शतप्रतिशत मानि कऽ आरक्षणके व्यवस्था ऐन कएने अछि ।
प्रहरी ऐनमे मधेशी ५४.३६, दलित १७.२९, मुस्लिम ११.५८, थारु ५.२७, आदिवासी जनजाति ६.६१ आ खस आर्यकेँ ४.८९ प्रतिशत आरक्षणके व्यवस्था कएलगेल अछि ।

Read More »

बलात्कारक बाद १० वर्षीया बालिकाके हत्या

जनकपुरधाम २८ ।धनुषामा १० वर्षीया एक बालिकाके बलात्कारके बाद हत्या भेल अछि । धनुषाक औरही गाउँपालिका–२ देउरी परवाहाक १० वर्षीया मनिता यादवके बलात्कारक बाद हत्या भेल अछि ।
मनिताक बलात्कार आ हत्यामे संलग्न रहल आरोपमे प्रहरी स्थानीय दु गोटेके नियन्त्रणमे लेलक अछि । पकराएबला औरही गामपालिका–५ क ३२ वर्षीय विनोद मुखिया आ वार्ड नम्बर ३ क नथुनी पंडित रहल धनुुषाक प्रहरी प्रमुख एसपी गोविन्द थपलिया जानकारी देलन्हि ।
मुखियाकेँ जनकपुरसँ पंडितके घरेसँ शनिदिन गिरफ्तार कएलगेल थपलिया बतओलन्हि । मुखिया एहिसँ पहिने सेहो गोली प्रहार तथा लुटपाटसम्बन्धी मुद्दामे १० वर्ष जेल सजाय काटि चुकल एसपी थपलिया जानकारी देलन्हि ।
मनिताक घर नजदिक दशमीक मेला लागल छल । मदिरा सेवन कएने मुखिया आ पंडित मनिकाकेँ चकलेट किनएलेल १० रुपैयाँ देबाक प्रलोभन दऽ कऽ अपन साथ लऽ गेल छल । गाम नजदिकक खेतमे ओसभ बलात्कार कऽ मनिताके हत्या कएने एसपी थपलिया बतओलन्हि अछि ।
मनिताके फुसलाबएसँ पहिने ओसभ ओहि स्थानक दोसर बालिकाके सेहो प्रलोभन देने छल । मुदा ओ बालिका मुखिया आ पंडितके प्रलोभनमे नहि परल एसपी थपलिया जानकारी देलन्हि ।
ओ बालिका ओकरासभक प्रलोभनमे नहि परलाकबाद मुखिया आ पंडित मनिताके फुसला कऽ लऽ गेल एखन धरिके अनुसन्धानसँ खुजल थपलिया बतओलन्हि ।
शुक्रदिन राति करिब ९ बजेसँ बेपत्ता भेल मनिताके स्थानीयसभ रातिभरि खोजी कएने छल । मुदा, मनिताक शव शनिदिन करिब १२ बजे खेतमे गाडल अवस्थामे बरामद भेल छल । गाडल अवस्थामे शव देखलाकबाद स्थानीय प्रहरीके खबर कएने छल । घटनास्थलमे पहुँचल प्रहरी अनुसन्धान शुरु कएलाकबाद मुखिया आ पंडितके नियन्त्रणमे लेलगेल एसपी थपलिया जानकारी देलन्हि । हुनक अनुसार दुनु गोटे मनिताके बलात्कारक बाद हत्या कएने प्रहरीसमक्ष स्वीकार कएलक अछि ।
कञ्चनपुरक निर्मला हत्या काण्ड जँका मनिता हत्या सेहो पैघ घटना रहल थपलियाक कहब छन्हि । मुखिया आ पंडितके जिल्ला प्रहरी कार्यालय हिरासतमे राखि कऽ आवश्यक अनुसन्धान चलि रहल प्रहरी जनओलक अछि ।

Read More »

बिहारक मुख्यमन्त्री नितिशकेँ लक्षित कऽ चप्पल प्रहार

पटना २६ । बिहारक मुख्यमन्त्री नितिश कुमारकेँ लक्षित कऽ एक युवक चप्पल प्रहार कएलक अछि । अपने पार्टीके विद्यार्थी संगठनके कार्यक्रममे सहभागी होबए पटनास्थित सभाघर पहूँचल नितिशकेँ लक्षित कऽ चप्पल प्रहार कएलगेल अछि । चप्पल प्रहार कएन्हिार युवककेँ प्रहरी नियन्त्रणमे लेने अछि । नितिशके पार्टी जदयू आवद्ध विद्यार्थीसभक जमघट बजाओलगेल छल । ओहि जमघटमे बिहारके सभ जिल्लासँ पैघ संख्यामे विद्यार्थीसभ जम्मा भेल छल ।
कार्यक्रम चलि रहल समय एक युवक मञ्चमे बैसल मुख्यमन्त्री नितिशकेँ लक्षित कऽ चप्पल फेकने बताओलगेल अछि । यद्यपी युवक फेकने चप्पल नितिश धरि नहि पहुँच कऽ मञ्च निचा खसल भारतीय सञ्चार माध्यमसभ जनओलक अछि ।
नितिश उपर चप्पल फेकलगेल ई पहिल घटना नहि अछि । एहिसँ आगा सन् २०१६ मे बिहारके बख्तियारपुरमे कार्यक्रममे सहभागी होबए पहुँचल समय एक युवक नितिशकेँ लक्षित कऽ मञ्चमे जुत्ता प्रहार कएने छल । भारतक गुजरातमे बिहारसहित उत्तर भारतीयसभ उपर पछिला दिनमे आक्रमण होइत आएल अछि । गुजरातक स्थानीयसभ उत्तर भारतीयसभकेँ गुजरात छोड्बालेल उर्दी जारी कएने अछि । काज करबालेल गुजरात पहुँचल बिहारक नागरिक उपर निरन्तर आक्रमण भऽ रहला बादो मुख्यमन्त्री नितिश किछु नहि बाजए सकल कहैत बिहारमे हुनका विरुद्ध आक्रोश बढ्ैत गेल अछि । गुजरातमे भारतीय जनता पार्टीके सरकार अछि आ बिहारमे नितिशकेँ सेहो ओकर समर्थनमे सरकार अछि ।

Read More »

घुससहित उपसचिव गिरफ्तार

बीरगंज २६ । पर्सा जिल्लाक शिक्षा विकास तथा समन्वय इकार्यक प्रमुख उपसचिव लालबाबु साह घुससहित पकराएल छथि । साह ४० हजार घुससहित पकराएल अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक हेटौंडा कार्यालय जनओलक अछि । जगरनाथपुर गामपालिका अन्तर्गत वार्ड नम्बर ३ बिजवनियास्थित श्री नेपाल राष्ट्रिय माविक बैंक खाता फुकुवा करबालेल साह घुस मँगने रहथि । विद्यालय भवन निर्माणके लेल कार्यालय रकम पठओने छल । रकम पठओलाकबादो कार्यालय फुकुवा नहि कएने छल ।
रकम फुकुवा करबालेल साह निर्माण समितिक पदाधिकारीमार्फत ४० हजार घुस मँगने रहथि । घुस रकम लैतकाल बीरगंज चिनीमिल आवास क्षेत्रमे रहल क्वार्टरसँ साहके नियन्त्रणमे लेलगेल अख्तियार जनओलक अछि । साहके नियन्त्रणमे लऽ कऽ आवश्यक अनुसन्धान भऽ रहल जनाओलगेल अछि ।

Read More »

प्रदेश प्रहरी ऐन संघीयताके आत्मसात करत ः मुख्यमन्त्री राउत

जनकपुरधाम २६ । प्रदेश २ क मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत प्रहरी सरकारके अभिन्न अंग रहलासँ प्रदेश प्रहरी ऐन संघीयताकेँ आत्मसात करबाक बतओलन्हि अछि । जनकपुरमे ६३ अम प्रहरी दिवसके अवसरमे आयोजित कार्यमकेँ सम्बोधन गर्दै मुख्यमन्त्री राउतले वर्तमान प्रहरी प्रणालीलाई पुनः संरचना गरी करैत देशमे सक्षम, सुदृढ र व्यवसायीक प्रहरी प्रहरी संगठनके रुपमे रुपान्तरण करब आजुक आवश्यकता रहल बतओलन्हि अछि । संविधान अनुरुप अपनेसभ प्रदेश प्रहरी गठन करए लागल बतबैत मुख्यमन्त्री राउत जल्दिए प्रदेशसभासँ प्रदेश प्रहरी ऐन पास हएबाक विश्वास व्यक्त कएलन्हि ।
प्रदेशमे शान्ति सुरक्षा कायम करबालेल सरकार प्रहरीसँग समायोजन, सहकार्य आ समन्वय करबो ओ बतओलन्हि । मुख्यमन्त्री राउत संविधानके मुल मर्म आ भावनाकेँ आत्मसात कऽ नेपाल प्रहरी संगठनकेँ संघीय प्रहरी आ सातु प्रदेश प्रहरी संगठनमे पुनः संरचना करए पडत उल्लेख कएलन्हि । तहिना, कार्यक्रममे आन्तरिक मामिला तथा कानुनमन्त्री ज्ञानेन्द्र कुमार यादव देशमे प्रहरीके गौरवमय ईतिहास रहल बतबैत उच्च मनोवल आ हौसलाके साथ अपन जानके प्रवाह नहि कऽ देशवासीके जनधनके रक्षा कएन्हिार प्रहरीके अपनेसभ सभदिन साथ रहबाक प्रतिबद्धता जनओलन्हि ।
६३ अम प्रहरी दिवसके अवसरमे महिला हिंसा नियुनिकरणमे प्रहरीके भुमिका विषयक प्रदेशस्तरीय निबन्ध प्रतियोगिताके सेहो आयोजना कएलगेल छल । ओहि प्रतियोगितामे महाविर उच्च माध्यमिक विद्यालय सर्लाहीके मनोज कुमार साह प्रथम, संकटमोचन उच्च माध्यमिक विद्यालय धनुषाक आँसु चौधरी द्धितीय आ एभेरेष्ट उच्च माध्यमिक विद्यालय लहानक सृष्टि थपा मगर तृतीय भेली अछि । विजेताकेँ प्रथम पुस्कार रु. २० हजार द्धतीय पुरस्कार रु १५ हजार आ तितृय पुरुस्कार रु. १० हजार सहित प्रमाण पत्र वितरण कएलगेल छल ।
कार्यक्रममे प्रदेश २ मे प्रहरी कार्यालय स्थापनक लेल आर्थिक तथा जमिन दान कऽ सहयोग कएन्हिारसभैँ प्रमान पत्र आ कदर पत्र सेहो प्रदान कएलगेल अछि ।

Read More »

मिस नेपाल पहिलबेर जनकपुरधाम आबि रहल

जनकपुरधाम २६ । मिस नेपाल निकिता चंडक पहिल बेर जनकपुर आबि रहल छथि । युवासभकेँ लक्षित कऽ होबए जा रहल संगम युवा त्योहार कार्यक्रममे सहभागी होबए ओ जनकपुर आबि रहल छथि । इलेन इभेन्ट मैनेजमेन्टके आयोजनमे कृषि, विज्ञान तथा कला प्रदर्शनीमे आधारित होेबए जा रहल ओहि कार्यक्रमे सरिक होबए चंडक शुक्रदिन जनकपुर आबि रहल छथि । अगामी आश्नि २७ गते होबए जा रहल संगम युवा त्योहार कार्यक्रममे प्रदेश २ क कृषि मन्त्री शैलेन्द्र साह सहित जनकपुरक स्थानीय मोडेलसभ सेहो सहभागी हएबाक बताओलगेल अछि । तराई उर्वर भूमी रहला बादो कृषि क्षेत्रमे उन्नती करए नहि सकल कहैत कृषि क्रान्तिके लेल ओहि कार्यक्रमे नया अवधारणा प्रस्तुत करए जा रहल आयोजक संस्थाक संयोजक रिती कर्ण जानकारी देली अछि ।
अपने देशमे रोजगारीके अवसर सृजना करबालेल जापान, न्युजिल्याण्ड आ भारतक केरला राज्यमे भऽ रहल वैज्ञानिक खेती विषयमे अध्ययन कऽ ओही तरिकासँ तराईमे सेहो खेती करए सकबाक खाका ओहि कार्यक्रममे प्रस्तुत करबाक संयोजक कर्णके कहब छन्हि ।
‘पाठ्यक्रममे अनिवार्य कृषि विषय समावेश कऽ विद्यार्थीकेँ पढाओलगेल तऽ हुनकासभकेँ कृषि विषयमे पर्याप्त ज्ञान भऽ सकैत अछि ।’ रिती कहलीह ‘कक्षा ७ सँ विद्यार्थीसभकेँ २ घण्टा खेतमे काज कराओलगेल तऽ ओसभ १० या १२ कक्षा धरि मात्र पढला बादो देशमे स्वराजगार भऽ सकैत अछि ।’
कार्यक्रममे फ्याशन शो, मिथिला पेन्टिङ, माटि कला, नाचगान, कला तथा विज्ञान प्रदर्शनी सेहो हएबाक आयोजक संस्था इलेन इभेन्ट मैनेजमेन्ट जनओलक अछि । जनकपुरक भैरवचौक स्थित मसाला कटेजमे दिनके २ बजेसँ साँझ ७ बजे धरि ओ कार्यक्रम हएबाक बताओलगेल अछि ।

Read More »
1 24 25 26 27 28 30