मैथिली समाचार

सिके राउतक बैठकमे ‘जनअभिमत’ पर आइ चर्चा

जनकपुरधाम चैत ०४ गते । सिके राउत संयोजक रहल स्वतन्त्र मधेश गठबन्धनक राष्ट्रिय परिषद् बैठक रविदिनसँ सिरहाक लहानमे शुरु भेल अछि । लहानस्थित मारवारी सेवाश्रममे दु दिनधरि चलएबला बैठक राष्ट्रियगानसँ शुरु कएलगेल बताओलगेल अछि ।
बैठकके शुरुवातमे पञ्चकन्यासभ राष्ट्रियगान गओने छलथि । कडा सुरक्षाबीच जारी गोप्य बैठकमे सहभागीसभक मोबाइलफोन सेहो बैठकस्थल भितर निषेध कएलगेल अछि । बैठकस्थल नजदिक सुरक्षाव्यवस्था कडा बनाओलगेल अछि । बैठकमे सहभागी होबएबलासभकेँ नागरिकता प्रमाणपत्र देखा कऽ मात्र प्रवेश देलगेल अछि ।
रविदिनक बैठककमे सहभागीसभ सरकारसँग हालहि भेल ११ सुत्रीय सम्झौताक विषयमे स्पष्ट करबालेल संयोजक राउतसमक्ष अपन अपन धारणा रखने बताओलगेल अछि । बैठकमे सहभागीसभ अपन अपन जिज्ञासा रखबाक क्रम समाप्त भेलाक बाद राउत सोमदिनके बैठकमे जबाब देता बताओलगेल अछि । तहिना सरकारसँग भेल ११ सुत्रीय सम्झौताक दोसर बुँदामे उल्लेख कएलगेल जनअभिमत सम्बन्धमे सेहो सोमदिनके बैठकमे चर्चा होएत बुझबामे आएल अछि ।
सरकासँग ११ सुत्रीय सम्झौता कऽ मूलधारक राजनीतिमे अओलाक बाद पहिलबेर भऽ रहल बैठकमे गठबन्धनक आगामी रणनीतिक विषयमे निष्कर्ष निकालल जाएत । फागुन २४ गते सरकारसँ अचानक सम्झौता कऽ मूलधारक राजनीतिमे अवतरण कएने गठबन्धनक संयोजक सिके राउतक तर्फसँ एखनधरि कोनो आधिकारिक प्रतिक्रिया नहि आएल अछि । राउतसहित गठबन्धनआवद्ध कार्यकर्तासभ सेहो सरकारसँगक सम्झौताक बाद आगुक रणनीतिके विषयमे स्पष्ट रुपेँ नहि बाजल छथि ।
दु दिनधरि लहानमे चलएबला बैठकमे गठबन्धनक आगामी रणनीति, पार्टी दर्ता, मधेशमे उठएबला एजेन्डासहितक विषयमे छलफल होएत एक नेता जानकारी देलन्हि ।
सरकारसँ सम्झौता कऽ कऽ सिके राउत गठबन्धन आगु बढओने स्वतन्त्र मधेशक एजेन्डा त्याग कएने कहैत कतेको कार्यकर्ता असन्तुष्ट रहल बताओलगेल अछि । तहिना प्रहरी हिरासतमे निधन भेल राममनोहर यादवकेँ सेहो गठबन्धन सहिद घोषणा नहि करा सकल कहैत कार्यकर्तासभमे असन्तुष्टि देखलगेल अछि ।
बैठकमे संयोजक सिके राउत कार्यकर्तासभकेँ सरकारसँग भेल सम्झौता तथा आगामी दिनमे कोना आगु बढल जाए एहि विषयमे राणनीतिक विषय जानकारी करओताह बताओलगेल अछि ।
बैठकमे उपत्यकासहित २३ जिल्लाक दु सयसँ अधिक केन्द्रीय परिषद् सदस्यसभक उपस्थिति रहल बताओलगेल अछि । राष्ट्रिय परिषद् बैठकके बाद राउतकेँ लहान आ सप्तरीक राजविराजमे नागरिक अभिनन्दन करबाक तैयारी रहल बताओलगेल अछि ।

Read More »

निर्मला हत्या प्रकरणः डीएसपीसहित ६ प्रहरी रिहा

काठमाण्डु चैत ०१ गते । निर्मला हत्या प्रकरणमे पकराएल ६ टा प्रहरीके जिल्ला अदालत कञ्चनपुर धरौटीमे रिहा करबाक आदेश देलक अछि । निर्मला हत्या प्रकरणमे पकराएलसभकेँ यातना देने आ प्रमाण नष्ट कएने आरोपमे २२ फागुनमे तत्कालीन कञ्चनपुर प्रहरीक प्रहरी उपरीक्षक दिल्लीराज विष्टसहित ८ गोटेविरुद्ध अदालतमे मुद्दा दायर भेल छल ।
मुद्दाक सुनवाइ करैत वृहस्पतिदिन ६ गोटेके धरौटीमे रिहा करबालेल आदेश देलगेल जिल्ला अदालत कञ्चनपुरक श्रेस्तेदार हरिकृष्ण अवस्थी जानकारी देलन्हि । अवस्थीके अनुसार तत्कालीन प्रहरी नायब उपरीक्षक (डीएसपी) ज्ञानबहादुर सेठी आ प्रहरी निरीक्षक एकेन्द्र खड्काकेँ अभियुक्तकेँ यातना देने कसुरमे पाँच–पाँच लाख धरौटीमे रिहा करबाक आदेश देलगेल अछि ।
तहिना सार्वजनिक न्याय अन्तर्गत प्रहरी निरीक्षक जगदिश भट्टकेँ चारि लाख, सई हरिदेवसिंह धामीकेँ तीन लाख ५० हजार आ रामसिंह धामीके तीन लाख धरौटीमे रिहा करबाक आदेश देलगेल अछि तऽ प्रहरी जवान चाँदनी साउँदकेँ दु लाख धरौटीमे छोडबाक आदेश अदालत देलक अछि ।
सरकारी वकिल कार्यालय कञ्चनपुर निर्मलाक माय दुर्गादेवी पन्त आ दिलिपसिंह विष्टक भैया खड्ग विष्टक जाहेरीके आधार पर जिल्ला अदालतमे अलग अलग मुद्दा दायर कएने छल । सरकार निर्मला प्रकरणमे तत्कालीन एसपी दिल्लीराज विष्ट आ इन्सपेक्टर जगदिश भट्टकेँ सेवासँ बर्खास्त कऽ चुकल अछि तऽ अन्य ६ टा प्रहरी कर्मचारी निलम्बनमे अछि ।

Read More »

अवैध हथियार बुझाबएलेल ३५ दिनक अल्टिमेटम

काठमाण्डु चैत ०१ गते ।सरकार सर्वसाधारणलँग रहल अवैध हथियार बुझाबएलेल आह्वान कएलक अछि । मंगलदिन साँझ सम्पत्र मन्त्रिपरिषदके बैठक अवैध हथियार बुझाबएलेल आह्वान कएने अछि ।
बैठकके निर्णय सार्वजनिक करालेल वृहस्पतिदिन आयोजित नियमित पत्रकार सम्मेलनमे सरकारक प्रवक्ता एवं सञ्चारमन्त्री गोकुल बाँस्कोटा सम्पूर्ण किसिमक अवैध हथियार बुझाबएलेल आह्वान करबाक निर्णय कएलगेल बतओलन्हि ।
हुनकअनुसार स्वचालित हथियार, भरुवा बन्दुक, कुटवा पेस्तोलसहित अन्य विष्फोटक पदार्थ नजदिकक प्रहरी, सेना या सशस्त्र प्रहरी कार्यालयमे बुझाबएलेल कहलगेल अछि । ‘हथियार बुझाबएलेल सरकार ३५ दिनक अल्टिमेटम देने अछि । एहि अवधिमे हथियार बुझओला पर अवैध हथियार रखलाक कारण होबएबला सजाय मिनहा होएत,’ ओ बतओलन्हि ।
ओहि बैठकसँ नेत्रविक्रम चन्द विप्लव समूह उपर प्रतिबन्ध लगएबाक निर्णय कएलगेल छल । समूहक सदस्यसभक सँगसँ अवैध हथियार बरामद हएबाक क्रम तीब्र भेलाक बाद सरकारक ई निर्णय सार्वजनिक भेल छल ।
२०६२÷०६३ के माओवादी द्वन्द्वक क्रममे प्रयोग भेल हथियार विप्लव समूह प्रयोग कऽ रहल सुरक्षा संयन्त्रक विश्ेलषण अछि । ओहि समूहके लक्षित कऽ ई निर्णय सार्वजनिक भेल स्रोतक कहब अछि ।

Read More »

परिक्रमामे सिलिन्डर विष्फोट, दु गोटे घायल

जनकपुरधाम चैत ०१ गते ।  मिथिला मध्यमा परिक्रमामे बैलुनमे भरएबला ग्यास सिलिन्डर विष्फोट भेलासँ दु गोटे घायल भऽ गेल अछि । घायल होबएबलामे महोत्तरी औरही नगरपालिकाक अन्दाजी ४० वर्षक खेलौना व्यवसायी उपेन्द्र कापड आ गौशाला नगरपालिकाक ५१ वर्षीय अविरुद्धिन चरेटे रहल प्रहरी जनओलक अछि ।
१५ दिनम मिथिला मध्यमा परिक्रमा महोत्तरीक कञ्चनवनसँ धनुषाक पर्वतातर्फ निकलि रहल समय वृहस्पति दिन भिन्सर ग्यास सिलिन्डर विष्फोट भेल अछि ।
विष्फोटमे घायल भेल दुनुगोटेके इलाजके लेल जनकपुर अञ्चल अस्पतालमे भर्ना कएलगेलाक बादो कापडके अवस्था गम्भीर रहलाक कारण आगुक इलाजके लेल बाहर रेफर कएलगेल अछि । कापडके बाँया पायरमे गम्भीर चोट लागल इलाजमे संलग्न चिकित्सकसभ बतओलन्हि अछि ।
मेलामे खेलौनाके व्यवसाय करैत आबि रहल कापड धनुषाक पर्वता पहुँचबालेल समानसभ ठिक कऽ ग्यास सिलिन्डर ठण्ढाबएले पानि छिटलाक बाद अचानक विष्फोट भेल बताओलगेल अछि ।

Read More »

मिथिला मध्यमा परिक्रमा आई धनुषाधाम पहुँचत

जनकपुरधाम चैत ०१ गते ।मिथिला मध्यमा परिक्रमा आई धनुषाधाम पहुँच रहल अछि । धनुषाक ठेरा कचुरीसँ किशोरीजीक डोलासँग शुरु भेल मिथिला मध्यमा परिक्रमा महोत्तरी तथा भारतक विभिन्न धार्मिक स्थलीके परिक्रमा करैत धनुषा पहुँचल अछि । महोत्तरीक कञ्चनवनसँ वृहस्पतिदिन भिन्सर निकलल धार्मिक पद यात्रा धनुषाक पर्वत्ता पहुँचल छल । जानकी मंदिरक दर्शन करैत जनकपुरक हनुमाननगरसँ विधिवत रुपेँ शुरु भेल परिक्रमाक तिर्थालु कल्याणेश्वर, फुलहर, मठिहानी, जलेश्वर, मडई, ध्रुवकुण्ड, कञ्चनवन होइत पवर्ता पहुँचल छथि ।
एहिसँ पहिने कञ्चनवनमे परिक्रमाके भव्य स्वागत कएलगेल छल । कञ्चनवनमे परिक्रमाके होरी खेलबाक पम्परा अछि । त्रेया युगमे भगवान राम ओतह होरी खेलने मान्यताके सँग परिक्रमामे सहभागीसभ एक दोसरके रंग अबिर लगा कऽ होरी खेलल करैत छथि ।
मिथिला महात्मय अनुसार १८ अम शताब्दीसँ माध्यमा परिक्रमाके रुपमा मनाओल जा रहल एहि धार्मिक यात्राक सहभागीसभ १५ दिन रात्री भजन किर्तन कऽ १५ दिन बिताओल करैत अछि । विश्वक सभसँ लम्बा धार्मिक यात्रा कञ्चनवनके बाद धनुषाक पर्वता, धनुषाधाम, सतोखर, औरहीमे एक–एक राति विश्राम कऽ पूर्णिमासँ एकदिन पहिने जनकपुर पहुँचैत अछि । पूर्णीमाक दिन जनकपुरक अन्तगृह परिक्रमा कऽ १५ दिनक मिथिला मध्यमा परिक्रमा समापन होइत अछि ।
नेपाल भारत दुनु देशक धार्मिक साँस्कृतिक एवम पारम्परिक सदभावक प्रतिक बनल परिक्रमा यात्रामे नेपालक १२ तथा भारतक ३ स्थानमे विश्राम स्थल अछि । मिथिला महात्ममे एहि विश्राम स्थलके पौराणिक एवम धार्मिक महत्वके विषयमे अलग अलग व्यख्यान कएलगेलाक कारण भक्तजनसभमे अटुट आस्था रहल अछि । मिथिला महात्म अनुसार १८ अम शताब्दीसँ एहि धर्म यात्राकेँ माध्यमिकी परिक्रमाके रुपमे मनाओल जा रहल अछि । सभसँ लम्बा दुरीके एहि धार्मिक यात्रामे नेपालमे १०७ आ भारतमे २६ कऽ कऽ कुल १३३ किलोमिटर भूमिके पैदल यात्रा तय कएल जाति अछि । परिक्रमामे भारतक अयोध्या, मथुरा, हरिद्धार, दरभंगा, सीमाढी, बैधनाथधाम सहितक स्थानक साधुसंतसभक उल्लेख्य रुपमे सहभागीता अछि ।

Read More »

मन्त्रिमण्डल पुनर्गठनमे ओली–प्रचण्डबीच मतभेद , सभ मन्त्री फेरबदल करए प्रचण्डक वैकल्पिक प्रस्ताव

काठमाण्डू, चैत ०१ गते । फेर एकबेर केपी शर्मा ओली नेतृत्वक सरकारके मन्त्रिमण्डल हेरफेरके विषय चर्चामे आएल अछि । एहन चर्चा विगतमे होईत अएलाबादो मंगलदिन नेकपाक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ विराटनगर पहुँच मन्त्रीमण्डल हेरफेरक विषयमे प्रधानमन्त्री ओलीसँग छलफल भेल बतोलाबाद ई विषय पुनः चर्चामे आएल अछि ।
मन्त्रीमण्डल पुनर्गठन करएके विषयमे चर्चा शुरु भेलसँगहि प्रधानमन्त्री ओली आ अध्यक्ष प्रचण्डबीच मतभेदक संकेतसभ देखाएल अछि । मन्त्रीमण्डल पुर्नगठनजेहन विषयमे पार्टिभितर औपचारिक छलफल नहि भेल कहैत अन्य शीर्ष नेता सेहो असन्तुष्ट छथि ।
विराटनगरमे सञ्चारकर्मीसभसँग प्रचण्ड मन्त्रिमण्डल पुर्नगठनक विषयमे कहलन्हि , ‘ई बात प्रधानमन्त्रीजी कोना हिसाब करता , ओहिपरनिर्भर अछि । हमरासभक सिस्टम प्रधानमन्त्रीक अछि । ओकोना मूल्यांकन करताह , ओहिपर भरपरैत अछि । प्रधानमन्त्रीसँग मन्त्रीमण्डल पुनर्गठनक विषयमे बातचित भेल अछि ।
नेकपा सचिवालयक एक सदस्यक अनुसार प्रचण्डक अभिव्यक्ति बहुत अर्थपूर्ण अछि । हुनक अनुसार प्रचण्डक एहन अभिव्यक्तिसँ मन्त्रीमण्डल पुनर्गठनक विषयमे प्रधानमन्त्री आ हुनक सहमति नहि जुटल अछि से सन्देश दऽ रहल अछि । ओहि नेताक अनुसार प्रचण्ड मन्त्रीमण्डल पुनर्गठनक विषयमे उठ्एबला प्रश्नसँ बचए सचेतरुपमे प्रचण्ड ‘ ई काज प्रधानमन्त्रीक अधिकार’ रहल बतौलन्हि ।
बुधदिन मात्र एक टेलिभिजनमे देने अन्र्तवार्तामे प्रधामन्त्री ओली सेहो मन्त्रीमण्डल पुर्नगठनक विषयमे मुह खोलने छथि । ओ कहलन्हि , ‘मन्त्रीमण्डल पुर्नगठन कहियो भ सकैत अछि । मुदा एखन सोचाएल नहि अछि । ’
प्रधानमन्त्रीक एहि कहबमे सेहो हुनक आ प्रचण्डबीच सहमति बनि चुकल से स्पष्ट सन्देश अछि । मुदा , कोनो समयमे आकस्मिक निर्णय लेबए बला प्रधानमन्त्री ओली मन्त्रीमण्डल पुनर्गठनमे सेहो ओहने निर्णय लेबए सकएके अनुमान कएल जा रहल अछि । प्रधानमन्त्री ओली आ प्रचण्डक पछिल्ला भेटमे मन्त्रीमण्डल पुर्नगठन करबाक विषयमे बहुतोबेर छलफल भेल अछि । स्रोतक अनुसार प्रधानमन्त्री ओली सेहो मन्त्रीमण्डल पुनर्गठन करबाक सोचमे अछि । ओहि अनुरुप ओ प्रचण्डसँग सहमति मँगने अछि ।
प्रचण्डसँगक पछिल्ला भेटमे प्रधानमन्त्री ओली किछ मन्त्रीक जिम्मेवारी हेरफेर आ किछके हटा कऽ नयाँ लाबएके प्रस्ताव रखने छलथि । मुदा, प्रधानमन्त्री ओली काजसँ बेसि मुह देख कऽ मन्त्रीमण्डल पुनर्गठनके प्रस्ताव आगा बढौलाबाद अध्यक्ष प्रचण्ड ई प्रधानमन्त्रीक अधिकार कहैत पाछा हटए चाहि रहल स्रोतक कहब अछि । एमहर, अध्यक्ष प्रचण्ड सभ मन्त्री फेरबदल करए सकएके वैकल्पिक प्रस्ताव सेहो आगा बढौने स्रोत बतौलक अछि ।

Read More »

‘सहमति उल्लंघन भेल तऽ कारबाही’

जनकपुरधाम चैत ०१ गते ।संघीय मामिला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्री लालबाबु पण्डित सरकारसँग कएलगेल सहमति अक्षरस पालना करबालेल स्वतन्त्र मधेश गठबन्धनके आग्रह कएलन्हि अछि ।
हालहि सरकार आ सिके राउतबीच भेल ११ सुत्रीय सम्झौताक विषयमे बजैत सहमतिविपरित कोनो गतिविधि कएलगेल अवस्थामे सरकार चुप भऽ कऽ नहि रहत पण्डित चेतावनी देलन्हि अछि ।
‘हमसभ सहमपतिप्रति इमान्दार छी,’ प्रेस चौतारी धनुषा वृहस्पतिदिन जनकपुरमे आयोजना कएने पत्रकार सम्मेलनमे मन्त्री पण्डित कहलन्हि,‘आब अलग मधेशके नारा नहि लागत । सहमतिविपरित विखण्डनकारी नारा लगाबएबलाके सरकार ओहि अनुसार व्यवहार करत ।’
सिके राउतसँग जनमतसंग्रह आ राजनीतिक पद देबाक सम्बन्धमे कोनो सम्झौता नहि भेल पण्डित स्पष्ट कएलन्हि अछि । सरकारसँग भेल सहमतिविपरित कोनो गतिविधि भेल अवस्थामे सरकार नियन्त्रणमे लेबएलेल बाध्य होएत हुनकर कहब छलन्हि ।
तहिना नेत्रविक्रम चन्द ‘विप्लव’ नेतृत्वक नेकपा (माओवादी) विध्वंशकारी गतिविधिमे संलग्न रहलाक कारण सरकार प्रतिबन्ध लगओने पण्डित बतओलन्हि अछि । ‘सरकार शान्तिपूर्ण राजनीतिमे आबएलेल बेरबेर वार्ताक आह्वान कएलक,’ पण्डित कहलन्हि,‘मुदा ओसभ स्वघोषित रुपेँ वार्ताक रास्ता बन्द कएलन्हि ।’ विप्लव समूह शान्तिपूर्ण रास्तामे नहि आएल तऽ सरकार आओर आक्रमक रुपें प्रस्तुत होएत हुनकर चेतावनी छलन्हि ।
संविधानविपरित अराजनीतिक चरित्र देखाबएबला ककरो सरकार नहि छोडत मन्त्री पण्डित बतओलन्हि अछि । एखनो वार्ताक रास्ता खुल्ला रहल कहैत ओ शान्तिपूर्ण रास्तामे आबएबलाके लेल सरकार सेहो खुल्ला रहत स्पष्ट कएलन्हि । सरकार विप्लव समूहके युद्धमे नहि धकलने बल्कि ओसभ स्वयं ध्वंसात्मक गतिविधिमे लागल हुनकर टिप्पणी छलन्हि ।
संविधानके पालना करब हरेक नेपाली नागरिकके दायित्व रहल उल्लेख करैत ओ आवश्यक्ताअनुसार संविधान संशोधन करबालेल सरकार तैयार रहल बतओलन्हि । यद्यपी संविधान संशोधनक प्रक्रिया कहिया आगु बढत ओहि विषयमे मन्त्री पण्डित स्पष्ट नहि कएलन्हि ।
संघीय सरकार प्रदेशके अधिकार सम्पत्र होबए नहि देबए चाहि रहल आरोप लागि रहल समय मन्त्री पण्डित प्रदेश लोकसेवाक व्यवस्था नहि होबए धरि ओसभ कर्मचारी व्यवस्थापनक काज कऽ रहल जानकारी देलन्हि । एखनधरि ६० हजार कर्मचारी समायोजन भऽ चुकल जानकारी दैत मन्त्री पण्डित आगामी अषाढधरि समायोजनसम्बन्धी सम्पूर्ण काज पुरा भऽ जाएत दावा कएलन्हि ।

Read More »

नयाँ रणनीति तय कऽ रहल सिके राउतः राष्ट्रिय परिषदके बैठक आह्वान

जनकपुरधाम चैत ०१ गते ।सरकासँग ११ सुत्रीय सम्झौता कऽ कऽ मौन रहल स्वतन्त्र मधेश गठबन्धनक संयोजक डा.सिके राउत नयाँ रणनीति तय करबाक तैयारीमे जुटल छथि । ओहिके लेल ओ राष्ट्रिय परिषद् बैठक बजओलन्हि अछि । गठबन्धन केन्द्रीय समितिकेँ राष्ट्रिय परिषद्के नाम देने अछि ।
सम्झौताके बाद विभित्र प्रकारक टिकाटिप्पणी आ आशंका भऽ रहल समय राउत आगामी चैत ४ आ ५ गते जनकपुरमे राष्ट्रिय परिषद्के बैठक बजओलन्हि अछि । जनकपुरमे दु दिन चलएबला बैठक गठबन्धनक आगामी रणनीति तय करत बताओलगेल अछि ।
जनकपुरमे होबएबला परिषद्के बैठक आगामी रणनीतिक विषयमे निर्णय करत गठबन्धनक सहसंयोजक चन्दन सिंह बतओलन्हि अछि । सिंहक अनुसार बैठकमे मधेशक सभ जिल्लासँ परिषद्के सदस्यसभ सहभागी होएताह । सरकारसँग भेल सहमतिअनुसार मूलधारक राजनीतिमे अएबाक विकल्प खुजलाक बादो परिषद् एहि विषयमे विस्तारसँ निर्णय करत हुनकर कहब कछलन्हि ।
सरकारसँग भेल सहमतिपश्चात गठबन्धनक आधिकारिक प्रतिक्रिया नहि आबि सकल जिज्ञासा पर सिंह कलन्हि,‘सहमतिपत्रमे सभ किछु स्पष्ट अछि, कोनो प्रतिक्रिया देब जरुरी नहि अछि ।’ सहमतिपत्रक दोसर बुँदामे उल्लेख कएलगेल ‘जनअभिमत’ शब्दक अर्थ जनमतसंग्रह सेहो रहल हुनकर दावा छलन्हि ।
यद्यपि वृहस्पतिएदिन जनकपुरमे सरकारक सामान्य प्रशासनमन्त्री लालबाबु पण्डित सिके राउतसँग जनमतसंग्रक विषयमे कोनो सम्झौता नहि भेल प्रष्ट कएलन्हि अछि । पण्डित ११ सुत्रीय सहमतिविपरित कोनो गतविधि भेल अवस्थामे सरकार चुप भऽ कऽ नहि रहत हुनकर चेतावनी छलन्हि । सरकारसँग सहमति भेलाक बाद विखण्डनके राजनीति कऽ रहल सिके राउत मूलधारक राजनीतिमे आबि चुकल पण्डित दावा कएलन्हि ।

Read More »

सिके राउतसँगक सम्झौताक विरोधमे प्रदर्शन

काठमाण्डु फागुन ३० गते ।सरकार आ सिके राउतबीचक ११ सुत्रीय सम्झौताक विरोध करैत नागरिक अगुवासभ सिंहदरबारक पश्चिम गेट पर प्रदर्शन कएलक अछि । राउतसँग कएलगेल सम्झौताकेँ ‘अपराधजन्य सहमति’ कहैत ओसभ प्रदर्शन कएलन्हि अछि ।
विखण्डनक अभियान परित्याग कएने सहमति कहलगेलाक बादो सम्झौताक बुँदा नम्बर २ केँ जनमतसंग्रहके रुपमे ब्याख्या कएलगेल कहैत नागरिक अगुवासभ ई सम्झौता राष्ट्रिय अखण्डता उपर प्रहार कएने बतओलन्हि अछि । मुदा विखण्डनक अभियान त्याग करबालेल तैयार रहलन्हि तऽ सम्झौताके सकारात्मक रुपेँ लेल जा सकैत अछि हुनकासभक कहब अछि ।
प्रदर्शनके क्रममे मानवअधिकार तथा शान्ति समाजक पूर्वसभापति कृष्ण पहाडी, सभापति उत्तम पुडासैनी, सल्लाहकार डा.गंगाधर अधिकारी, सचिव बलबहादुर गाहा मगर, कोषाध्यक्ष रामकृष्ण बरालसहित १६ गोटेके प्रहरी नियन्त्रणमे सेहो लेने छल । नियन्त्रणमे लेलगेल सभगोटेके प्रहरी किछुदेर बाद रिहा कएने छल ।

Read More »

कञ्चनवनमे परिक्रमाके होली

जनकपुरधाम फागुन ३० गते ।मिथिलाक बहुचर्चित माध्यमा परिक्रमा बुधदिन महोत्तरीक कञ्चनवनमे रंङ अबिरकसँग होरी मनओलक अछि । त्रेता युगमे भगवान राम एतह होरी खेलने मान्यताके सँग परिक्रमामे सहभागीसभ एकदोसरके रंङ आ अबिर लगा कऽ होरी खेलल करैत छथि ।
ध्रुवकुण्डसँ कञ्चनवन पहुँचल साधु, सन्त, महन्थ, नागा सहित परिक्रमामे सहभागी तिर्थालुसभक चेहरा आ कपडा रंङसँ रंगायल छल । वसन्तपञ्चमीएसँ होलीके शुरुवात मानलगेलाक बादो मिथिलाञ्चलमे कञ्चनवनमे होरी खेललाक बाद औपचारिक रुपसँ शुरुवात होइत अछि । धनुषाक कचुरीमठसँ मिथिला बिहारी कुटीसँ मिथिला बिहारी तथा जनकपुरक अग्नी कुण्डसँ किशोरीजीक डोलाके साथ हुनमानगढीसँ विधिवत शुरु भेल परिक्रमाक तिर्थालु कल्याणेश्वर, फुलहर, मठिहानी, जलेश्वर, मडई, ध्रुवकुण्ड होइत कञ्चनवन पहुँचल अछि । मिथिला महात्मय अनुसार १८ अम शताब्दीसँ माध्यमा परिक्रमाके रुपमा मनाओल जा रहल एहि धार्मिक यात्राक सहभागीसभ १५ दिन रात्री भजन किर्तन कऽ १५ दिन बिताओल करैत अछि । विश्वक सभसँ लम्बा धार्मिक यात्रा कञ्चनवनके बाद धनुषाक पर्वता, धनुषाधाम, सतोखर, औरहीमे एक–एक राति विश्राम कऽ पूर्णिमासँ एकदिन पहिने जनकपुर पहुँचैत अछि । पूर्णीमाक दिन जनकपुरक अन्तगृह परिक्रमा कऽ १५ दिनक मिथिला मध्यमा परिक्रमा समापन होइत अछि । नेपाल भारत दुनु देशक धार्मिक साँस्कृतिक एवम पारम्परिक सदभावक प्रतिक बनल परिक्रमा यात्रामे नेपालक १२ तथा भारतक ३ स्थानमे विश्राम स्थल अछि । मिथिला महात्ममे एहि विश्राम स्थलके पौराणिक एवम धार्मिक महत्वके विषयमे अलग अलग व्यख्यान कएलगेलाक कारण भक्तजनसभमे अटुट आस्था रहल अछि । मिथिला महात्म अनुसार १८ अम शताब्दीसँ एहि धर्म यात्राकेँ माध्यमिकी परिक्रमाके रुपमे मनाओल जा रहल अछि । सभसँ लम्बा दुरीके एहि धार्मिक यात्रामे नेपालमे १०७ आ भारतमे २६ कऽ कऽ कुल १३३ किलोमिटर भूमिके पैदल यात्रा तय कएल जाति अछि । परिक्रमामे भारतक अयोध्या, मथुरा, हरिद्धार, दरभंगा, सीमाढी, बैधनाथधाम सहितक स्थानक साधुसंतसभक उल्लेख्य रुपमे सहभागीता अछि ।

Read More »
1 11 12 13 14 15 74