मैथली समाचार

सुस्त ट्राफिक प्रहरी

जनकपुरधाम ३० । जनकपुरमे एखन विजया दशमीके व्यापक चहलपहल अछि । हरेक वर्षजँका एहुवर्ष जनकपुरमे दुर्गा पूजा धुमधामके सँग मनाओल जा रहल अछि । दुर्गा पूजा होबएबला मन्दिरसभमे श्रद्धालुसभक साँझ भिन्सर भीडभाड रहल करैत अछि तऽ दोसर तर्फ दोकानमे खरिदारी करबालेल खरिदारसभक सेहो उल्लख्य संख्यामे भीडभाड देखलगेल अछि । अत्याधिक भीडभाडके कारण सडक पर जाम लगबाक समस्या देखल जा रहलाक बादो एहिके व्यवस्थापन करबा तर्फ ट्राफिक प्रहरी सक्रिय नहि देखलगेल अछि । विशेष रुपेँ राम मन्दिर अगलबगल क्षेत्रमे अधिकांश समय सडक जाम हएबाक समस्या रहलाक बादो एहिके सहज बनएबा तर्फ ट्राफिक प्रहरीके सक्रियता न्यून रहल स्थानीयसभक शिकायत अछि ।
गोपाल धर्मशालामे लगाओल सस्ता बजारमे खरिदारसभक विगत किछुदिनसँ पैघ संख्यामे भीडभाड देखलगेल अछि । सस्ता बजारमे खरिदारसभक अधिक भीडभाड रहलाक कारण सेहो राम चौक क्षेत्रमे सडक जामक समस्या देखलगेल स्थानीय प्रमोद साह बतओलन्हि । राम चौक क्षेत्रमे सवारी साधन सञ्चालन लेल ट्राफिक प्रहरीद्धारा कोनो प्रकारक व्यवस्था नहि कएलगेलाक कारण एहि प्रकारक समस्या देखलगेल हुनकर कहब छन्हि । अधिकांश समय एहि क्षेत्रमे सडक जाम होइत अओलाक बादो ट्राफिक प्रहरीके न्यून उपस्थिति देखलगेल अछि । दशमी अवधि भरि एहि क्षेत्रमे हरेक वर्ष भीडभाड बढलाक बादो ट्राफिक प्रहरीक तर्फसँ पूर्व तैयारीमे कमी देखलगेल स्थानीयसभक आरोप अछि ।
भीडभाडके देखैत सडक जामक समस्या समाधान करबालेल राम मन्दिर अगल बगल क्षेत्रमे हरसमय ट्राफिक प्रहरीके उपस्थिति आवश्यक रहल स्थानीय सुरेश ठाकुर बतओलन्हि । राम मन्दिर क्षेत्रक संगहि महावीर चौक पर सेहो सडक जामक व्यापक समस्या देखलगेल अछि । तहिना, ई– रिक्सा तथा अटो सञ्चालन तथा पार्किङके व्यवस्थापन तर्फ सेहो ट्राफिक प्रहरीके ध्यान नहि गेल अछि । दुर्गा पूजा लेल सडक कातसभमे लगाओलगेल टेन्ट, फुटपाथमे ठेला तथा किराना दोकान सञ्चालन सहितक कारणसँ सेहो ट्राफिक व्यवस्थापनमे समस्या देखलगेल अछि ।
जनकपुर बजार क्षेत्रमे भिन्सर आठबजेसँ साँझ आठ बजे धरि पैघ सवारी साधनके प्रवेश निषेधित रहलाक बादो ट्रयाक्टर सहितक सवारी साधनके धरल्ले प्रवेश होइत आएल अछि । मुदा, ट्राफिक प्रहरी एहि तर्फ कोनो ध्यान नहि देने स्थानीयसभ बतओलन्हि अछि ।

Read More »

दुल्हीनजँका सजाओलगेल जनकपुरक शक्तिपीठ

जनकपुरधाम ३० । विजय दशमी शुरु भेल सँगहि जनकपुरमे एखन दशैंके रौनक अछि । जनकपुरक प्रमुख शक्तिपीठ राजदेवी मन्दिर सहित एक दर्जनसँ अधिक स्थानमे शक्ति स्वरुपा दुर्गाके प्रतिमा निर्माण कऽ श्रद्धा तथा उल्लास पूर्वक दशैँ मनाओल जा रहल अछि । प्रमुख शक्तिपीठ राजदेवी मन्दिरकेँ दुल्हीनजँका सजाओलगेल अछि तऽ प्रतिमा स्थापना कऽ पूजा कएल जाएबला स्थानसभमे भव्य पण्डालके व्यवस्था कएलगेल अछि । जनकपुरमे दशैँकेँ भव्यता प्रदान करबालेल आयोजकसभ लाखो खर्च कएने अछि । राजा जनकके कूलदेवता मानलगेल प्रसिद्ध राजदेवी मन्दिरमे रंगीचँगी फूल तथा बब्ल लगाओलगेल अछि ।
दशैंके उत्सव मनाबए प्रत्येक वर्ष जनकपुरक विभिन्न युवा कमिटी मन्दिरसभकेँ सजबैत आएल अछि । नगरके विभिन्न चौकमे दुर्गाके प्रतिमा बना कऽ पूजापाठ कएल जा रहल अछि । दुर्गा पूजा कएल जाएबला विभिन्न स्थानसभमे भिन्सरेसँ श्रद्धालुसभक भीडभाड देखल जा रहल अछि । श्रद्धापूर्वक मनाओल जाएबला दशैँके अवसरमे विशेष कऽ महिलासभ भिन्सरेसँ शक्तिपीठसभमे जा कऽ पूजाअर्चना करैत छथि । नेपालमे चर्चित रहल जनकपुरक दुर्गा पूजा देखबालेल पर्यटकसभके सेहो भीडभाड देखल जा रहल अछि ।
दशैंमीमे विशेष कऽ रामन्दिर संगहि रहल राजदेवी मन्दिर, बौधी मन्दिर, अमरखाना मन्दिर आकर्षणके केन्द्र रहला बादो जनकपुरक मुरलीचौकमे वर्षेसँ भगवतीके प्रतिमा बना कऽ पुजा कएल जा रहल अछि तऽ भ्रमरपुरचौक, रामानन्दचौक, रजौलमे सेहो समेत दुर्गाके प्रतिमे बना कऽ पुजा कएल जाइत अछि ।
दैनिक २ हजार सँ ३ हजार धरि पर्यटक आबएबला जानकी मन्दिरमे दशैंके समयमे आओर अधिक भीडभाड देखल जाइत अछि । बाहर रहएबला जनकपुरक बासिन्दासभ सेहो पावनिके समय घर अएलासँ जनकपुर एखन भरीभराउ देखलगेल अछि ।
एम्हर, प्रदेश २ क ८ जिल्लामेसँ प्रतिष्ठत शक्तिपीठसभ बाराके गढीमाई, पर्साके गहबामाई मन्दिर, धरहरबा पोखरि स्थित भगवती मन्दिरमे दशैंके विशेष आकर्षण देखल जाइत अछि । तहिना, सिरहाके ढोरना भगवती आ सप्तरीके सखडा स्थित छिन्नमस्ता भगवती, भारदह स्थित कंकालिनी आ संसारीमाईमे दशंैके विशेष आकर्षण देखलगेल अछि ।

राजदेवीमे महिलाकेँ प्रवेश निषेध
जनकपुरक प्रमुख शक्तिपीठ राजदेवी मन्दिरमे विशेष रौनक देखल जाइत अछि । त्रेता युगमे राजा जनकके कुलदेवी रहल मान्यता रहल राजदेवीके पूजा भव्यता तथा धुमधामके साथ कएल जाइत अछि मुदा, दशैंमे महिलाकेँ मन्दिरके गर्भगृह प्रवेश निषेध कएल जाइत अछि ।
घटस्थापना होबएसँ आगा धरि महिला पूरुष दुनु गोटे राजदेवी भगवतीके स्थानमे जा कऽ पूजा करबालेल खुला रहला बादो दशैंके अवसरमे महिला मन्दिर भितर प्रवेश नहि कऽ सकैत छथि । दश दिन धरि शक्तिस्वरुपा भगवतीके दश अवतारके पूजाअर्चना कऽ दसैंमे महिलाके पूजामे महिलाकेँ प्रवेश निषेध कएल जाइत अछि । पुरुषसभसभ मन्दिर भितर प्रवेश कएला बादो श्रद्धालु महिला दशमीभरि मन्दिरसँ बाहर रहल खिडकीसँ भगवतीके दर्शन आ पूजापाठ करबालेल बाध्य होइत अछि ।
तराईमधेशक गौरव तथा जनकपुरक ऐतिहासिक आ प्रसिद्ध राजदेवी मन्दिरमे दसैंके दश दिन धरि महिलाकेँ मन्दिर भितर भगवतीके दर्शन आ पूजापाठमे रोक लगाबएके परम्परा वर्षोसँ रहैत आएल अछि । जनकपुरमे एहि परम्पराके विरोध सेहो भेल छल । विगतमे कतेको महिला अधिकारकर्मीसभ ई परम्परा तोड्ए पडत कहैत विभिन्न विरोधक कार्यक्रमसभ सेहो कएने रहन्हि ।
मुदा, वर्षोसँ चलैत आएल एहि परम्पराकेँ तोडबालेल एखन धरि केऊ साहास नहि कऽ सकल छथि । अधिवक्ता रेखा झा सहित विभिन्न अधिकारकर्मी ई परम्परा मान्य नहि हएबाक कहैत जानकी मन्दिरके प्रांगणमे खुल्ला रुपेँ वहस कार्यक्रम सेहो कएने छलीह । स्त्रीके विभिन्न रुपकेँ पूजा करएबला स्थानमे स्त्रीकेँ पूजास्थलमे नहि जाए देब प्रति ओसभ आपत्ती जनओने रहन्हि । महिला उपर ई पैघ अन्याय रहल आ ई निन्दनीय कार्य रहल कहैत अधिकारकर्मीसभ प्रशासनसंग गुहार सेहो कएने रहन्हि । मुदा, ई परम्परा विषयमे ठोस कदम एखन धरि नहि उठाओलगेल अछि ।
मन्दिरके पुजारीके अनुसार दसैंमे मन्दिरमे तान्त्रिक विधिसँ पूजापाठ भेलासँ महिलाके सहभागिता नहि कराओलगेल आ खास कऽ महिलाके महिनावारीके समय मन्दिरमे नहि जाएके परम्परा अछि । जहन ओहन महिला भगवती नजदिक गेल तऽ अनिस्ट होबए सकबाक डरसँ महिलाकेँ प्रवेशमे रोक लगाओलगेल बताओलगेल अछि ।

किछु स्थानीयसभका अनुसार कोनो महिला डाइन रहैत अछि आ ओ महिला मन्दिरमे प्रवेश कएलक तऽ भगवतीकेँ मोहनी लगाबि सकैत अछि, ताहिसँ मन्दिर प्रवेशमे रोक लगबैत आएल अछि । मुदा, जानकारसभ धर्म ग्रन्थमे दशैंके समयमे महिलाकेँ मन्दिरमे प्रवेश नहि करएबाक चाही कतहु उल्लेख नहि रहल बतबैत छथि ।
धनुषामे १ हजार ५५ प्रहरी परिचालन
दशैँके अवसरमे होबएबला भीडभाडकेँ मध्यनजर कऽ जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा विशेष सुरक्षा योजना बनओने अछि । विशेष सुरक्षाक लेल धनुषामे १ हजार ५५ प्रहरी परिचालन कएलगेल प्रहरी उपरिक्षक गोबिन्द थपालिया जानकारी देलन्हि अछि । विजया दशमीसँ छठि धरि होबएबला भीडभाडके क्रममे कोनो प्रकारक अप्रिय घटना नहि हुए कहैत विशेष सुरक्षा योजना अन्तर्गत प्रहरी परिचालन कएलगेल ओ बतओलन्हि । जाहिमेस्ाँ ६ सय ५० नेपाल प्रहरी, ३ सय ५० शसस्त्र प्रहरी आ ५५ गोेटे रष्ट्रिय अनुसन्धान प्रहरी खटाओलगेल प्रहरी उपरिक्षक थपलिय बतओलन्हि ।

Read More »

बेलनौती संपन्न, आई फुलपाती शक्तिपीठसभमे भव्य तैयारी

जनकपुरधाम ३० । विजया दशमी अन्तर्गत आई फुलपाती श्रद्धापूर्वक एवम धुमधामके सँग मनाओल जा रहल अछि । विजया दशमीक सातम दिन अर्थात सप्तमीके दिन फुलपाती मनाओल जाइत अछि । एहि अवसर पर एक दिन पहिने बेल नौती कएलगेल स्थानसँ बेलके पात तोडि कऽ धुमधाम एवम श्रद्धापूर्वक पूजा घरमे आनल जाइत अछि । एहिसँ पहिने दुर्गा पूजा होबएबला विभिन्न शक्तिपीठसभ सोमदिन बेलनौती कएने छल । राजदेवी मन्दिर माडबाडी सेवा समिति, रामानन्द युवा क्लब आँखा अस्पताल नजदिक बेलनौती कएने छल । बेलनौती तथा बेलतोडीके लेल गाजाबाजा सहित श्रद्धालुसभ बेलक गाछ धरि पहुँचल करैत अछि ।
विजया दशमीमे महत्वपूर्ण मानलगेल फूलपातीलेल जनकपुरक राजदेवी मंदिर सहित सम्पूर्ण शक्तिपीठसभमे भव्य तैयारी कएलगेल अछि । जनकपुरक दुर्गा पूजाके प्रमुख आकर्षण केन्द्र राम मन्दिर परिसरमे रहल राजदेवी मन्दिर सहित वौधी माई, अमरखन्ना, पल्टीमाई, फुलेश्वरी, पिडरिया माईस्थान, रामानन्द चौक, मुरली चौक, भ्रमरपुरा चौक, रजौल सहितक स्थानमे भऽ रहल दुर्गा पूजामे फूलपातीके भव्य तैयारी कएलगेल अछि । जनकपुरक राजदेवी मन्दिरसँ फुलपाती विधि अन्तर्गत बेलतोडीलेल भिन्सर ९ बजेके समय निर्धारण कएलगेल अछि । बेलतोडी कार्यक्रमसँ पहिने राम मन्दिरक प्रमुख द्धार पर नेपाली सेनाद्धारा तोपक सलामी देबाक परम्परा अछि । एहिसँ पहिने नेपाल प्रहरी फुलपाती दिन सलामी दैत आएल छल । मुदा गत तीन वर्षसँ नेपाली सेनाक टुकडीद्धारा सलामी देबाक परम्पराके शुरुवात कएलगेल अछि । तहिना विगत किछु वर्ष धरि जनकपुरक विषहरा पोखरि स्थित बेलक गाछसँ बेलतोडी होइत आएल छल मुदा पछिला तीन वर्षसँ माडवाडी सेवा समितिक प्राङणमे रहल बेलक गाछसँ बेलतोडी कएल जाइत अछि । तहिना साँझमे राजदेवी मन्दिरमे श्रृंगारक कार्यक्रमके आयोजना कएलगेल अछि । फुलपातीके दिन हरेक वर्ष राजदेवी मन्दिरमे श्रृंगारक कार्यक्रम कएल जाइत अछि ।

Read More »

बारामे बालकके अपहरणबाद हत्या

बारा २९ । बारामे एक बालकके अपहरणबाद हत्या भेल अछि । अपहरणमे परल ६ वर्षीय बालक दिपक यादवके शव शनिदिन रातिमे भेटल अछि ।
धनेश्वर यादवक ६ वर्षीय बेटा दिपकके शव सिम्रौनगढ नगरपालिका–३ नैक टोल नजदिकक जंगलमे भेटल जिल्ला प्रहरी कार्यालय बाराक प्रमुख मिरा चौधरी जानकारी देलीह अछि ।
चौधरीक अनुसार आशिन २४ गते हराएल दिपकके प्रहरी खोजी करैत आबि रहल छल । हराएल बालकके अपहरणक बाद १० लाख फिरौती माँगलगेल चौधरी बतओलीह अछि । बालकक हत्याक आशंकामे प्रहरी स्थानीय हरेन्द्र कुशवाहा आ श्यामसुन्दर बैठाके नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
बाबासँगे मेला देखएगेल ६ वर्षीय दिपकके घर घुरबाक क्रममे अपहरण भेल छल । दिपकके नशालु पदार्थ सुँघा कऽ अपहरण कएने बताओलगेल अछि । हरेन्द्र अपहरण कएने प्रहरी समक्ष वयान देलक अछि । घटनाक विषयमे आवश्यक अनुसन्धान चलि रहल एसपी चौधरी जानकारी देलीह ।

Read More »

जनकपुरसँ सीके राउतक तीन कार्यकर्ता गिरफ्तार

जनकपुरधाम २९ । स्वतन्त्र मधेश गठबन्धनक संयोजक सीके राउतक तीनटा कार्यकर्ता जनकपुरसँ पकराएल अछि । मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतके ज्ञापनपत्र बुझाबएगेल समय प्रहरी तीनुगोटेके रविदिन नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
जनकपुर सिगरेट फ्याक्ट्रि परिसरमे रहल मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रीपरिषद कार्यालयक गेटसँ प्रहरी तीनुगोटेके नियन्त्रणमे लेने जनाओलगेल अछि । पकराएबलामे संजय यादव, विश्वनाथ चौधरी आ अमरदीप यादव रहल बताओलगेल अछि । मुदा बादमे संजय बाहेक दुनु गोटेके प्रहरी छोडि देने छल ।
प्रहरी रौतहट सदरमुकाम गौरसँ नियन्त्रणमे लेने गठबन्धनक संयोजक राउतक रिहाइक माँग करैत तीनुगोटे मुख्यमन्त्रीके ज्ञापनपत्र बुझाबए गेल छल । मुख्यमन्त्री कार्यालयस्थित सुरक्षाकर्मी ओकरासभसँ कामके विषयमे जानकारी मँगने छल । आ, ओसभ राउतक रिहाइक माँग करैत मुख्यमन्त्रीके ज्ञापनपत्र बुझाबए आएल बतओने छल । अपनाके राउत समर्थक कहलाकबाद प्रहरी ओकरासभकेँ नियन्त्रणमे लेने प्रत्यक्षदर्शी जनओलक अछि ।
एम्हर प्रहरी मन्त्रीपरिषद कार्यालयक गेटसँ तीनगोटे नियन्त्रणमे लेलगेलाकबादो ओकरासभक विषयमे अनुसन्धान भऽ रहल जनओलक अछि । धनुषाक एसपी गोविन्द थपलिया तीन गोटे नियन्त्रणमे लेलगेल आ ओसभ के अछि एहि विषयमे अनुसन्धान भऽ रहल जानकारी देलन्हि ।

Read More »

मनिताक सामुहिक बलात्कारक बाद हत्या प्रकरणक वृत्तान्त

जनकपुरधाम २९ । धनुषाक औरही गामपालिका–२ क १० वर्षीया बालिका मनिता यादवक सामुहिक बलात्कारके बाद हत्या भेल । मनिताक हत्या भेलाक १४÷१५ घण्टा भितर धनुषा प्रहरी बलात्कार आ हत्यामा संलग्न दु गोटेके नियन्त्रणमे लेबएमे सफल भेल । घटना भेलाक किछुए घण्टाबाद अभियुक्त पराएब प्रहरीके लेल पैघ सफलता अछि ।
धनुषा प्रहरी हत्यामा संलग्न दुनु गोटेके रविदिन पत्रकार सम्मेलनमार्फत सार्वजनिक कएलक अछि । मनिता हत्यामे संलग्न औरही–५ क ३२ वर्षीय विनोद मुखिया बिन आ ओहि गामपालिका वार्ड नम्बर ३ क ३० वर्षीय नथुनी पंडीतके प्रहरी सार्वजनिक कएने अछि ।
प्रहरी नियन्त्रणमे रहल दुनु गोटे पत्रकार सम्मेलनमे ओसभ मनिताक बलात्कारके बाद हत्या कएने स्वीकार कएलक अछि । गामक पडोसी रहल दुनुगोटेके मनिता काका कहि कऽ सम्बोधन करैत छल ।
दारुक निशामे विनोद आ नथुनी मनिताके सामुहिक बलात्कार कऽ हत्या कएने पत्रकार सम्मेलनमे धनुषाक एसपी गोविन्द थपलिया जानकारी देलन्हि ।
गत शुक्रदिन साँझ सातबजे खाना खा कऽ मनिता साथीसभसँग गाममे लागल दशैं मेला देखएगेल छल । मुदा, शनिदिन भिन्सर धरि परिवारक सम्पर्कमे नहि अओलाकबाद परिवारक सदस्य तथा पडोसीसभ इलाका प्रहरी कार्यालयमे खबर कऽ खोजी शुरु कएलक । खोजी करबाक क्रममे मनिताक शव घरसँ करिब १ किलोमिटर पश्चित धानक खेतमे शीर गाडल अवस्थामे बरामद भेल ।
बलात्कार योजना
विनोद आ नथुनी दुनुगोटे गामक एक भठीमे दारु पिबए गेल छल । साँझ सातबजे भठीमे गेल ओसभ निशा लगलाकबाद कोनो बालिकाके बलात्कार करबाक योजना बनओलक । एक घण्टाबाद करिब ८ बजे भठीसँ निकलि कऽ ओसभ सेहो मेलामे पहुँचल छल । मेलामे विनोद आ नथुनी गामक एक बालिकाकेँ पैसाक प्रलोभन दऽ कऽ फुसलएबाक प्रयास कएने छल । मुदा, ओ बालिका विनोद आ नथुनीके प्रलोभनमे नहि अओलाकबाद दुनुगोटे दोसर बालिकाके खोजी शुरु कएलक ।
जकरबाद अपने पडोसी १० वर्षीया बालिका ओकरासभक नजरमे परल । आ, दुनु गोटे मनिताकेँ १० रुपैयाँ, चाउचाउ, चकलेटसहितक सामान खरिद कऽ देबाक प्रलोभन देने छल । अपने पडोसी काका चाउचाउ, चकलेट खरिद कऽ देबाक बात कएलाकबाद मनिता ओकरासभक पाछु चलिगेल ।
ओकरासभक पाछु गेल मनिताके मेलासँ करिब १ किलोमिटर दुर खेतमे लऽ जा कऽ दुनुगोटे मुह बन्द कऽ बलात्कार कएलक । ओसभ बलात्कार करबाक क्रममे मनिताके मृत्यु भऽ गेल छल । बालिकाके मृत्यु भऽ गेलाकबाद विनोद आ नथुनी नजदिकक धान खेतमे शव फेक कऽ भागल छल ।
मुदा मनिता बाँचि जाएत तऽ फसबाक डर रहल कहैत किछुदेरबाद दुनु गोटे मनिता जिविते अछि की नहि पक्का करबालेल फेर शव फेकने स्थानमे पहुँचल । ओतह पहुँचलाकबाद मनिता जिविते रहल ओकरासभके शंका लागल । आ, धानक खेतके थालमे मनिताक शीर डुबा कऽ ओतहसँ भागि गेल ।
एहि प्रकारेँ प्रहरीके फन्दामे परल विनोद आ नथुनी
मनिताक हत्या अभियोगमे पकराएके डरसँ विनोद शनिदिन भिन्सरे घरसँ भागि कऽ जनकपुर पहुँचल । जनकपुरमे ओ सिनेमा हल पहुँच कऽ फिल्म सेहो देखने छल । ओहिसँ पहिने प्रहरी ओकर खोजी शुरु कऽ देने छल । गाममे पुछताछक क्रममे मनिताके विनोदसँग देखलगेल ओसभ बतओने छल ।
विनोद गाममे नहि भेटलाकबाद प्रहरी ओकर परिवारक सदस्य पर दबाब देलक । आ, विनोद जनकपुरस्थित भ्रमरपुरा चौक पर रहल ओकर भाय प्रहरीके जानकारी करओलक । भ्रमरपुरा चौक पर अपन भायके देखलाकबाद विनोद भागएके प्रयास कएलक । मुदा, अन्ततः ओ प्रहरीके फन्दामे परल ।
विनोद पकरओलाकबाद बलात्काकर घटनामे ओकरासँग नथुनी सेहो रहल प्रहरीके बयान देने छल । विनोदक बयानके आधार पर प्रहरी नथुनीके घरेसँ नियन्त्रणमे लेलक ।
प्रहरीके अनुसार विनोद आ नथुनी एहिसँ पहिने सेहो आपराधिक घटनामे संलग्न रहल खुजल अछि । विनोद एहिसँ पहिने लुटपाटसम्बन्धी घटनामे दश वर्ष जेल सजाय काटि चुकल अछि । तहिना नथुनी गाममे साइकल, खँसी, बकरी चोरी चकारी करैत छल एसपी थपलिया बतओलन्हि । प्रहरी नियन्त्रणमे रहल दुनुगोटेविरुद्ध कर्तव्य जान तथा जर्बजस्ती करणीसम्बन्धी मुद्दा दर्ता कएलगेल प्रहरी जनओलक अछि ।

Read More »

राजपामे सभ अधिकार अध्यक्षमण्डलकेँ !

जनकपुरधाम २८ । राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपालक तीन महिना पहिने सम्पन्न राजनीतिक समिति देने सुझाव विपरित अध्यक्षमण्डल सभ अधिकार अपने रखने अछि । गत ५ सँ ७ अषाढ धरि राजधानीमे भेल बैठकसँ राजनीतिक समितिद्धारा देलगे सुझाव आ अधिकांश सहभागीके रायविपरित अध्यक्षमण्डल विधान परिवर्तन कएने अछि । अध्यक्ष मण्डल पार्टीक विधान संशोधन करबाक अधिकार अपनेमे सीमित कऽ एकल नेतृत्व अस्वीकार करैत सामूहिक नेतृत्वमे रहबाक व्यवस्थासहितके पार्टी विधान आसिन १६ गते निर्वाचन आयोगमे बुझओने छल । विधानके दफा ३१ अनुसार केन्द्रीय अध्यक्ष मण्डलकेँ कार्यसम्पादन करबालेल विधानअनुकूल नियमावली बनएबाक अधिकार देलगेल अछि ।
आयोगमे दर्ता कएलगेल अन्तरिम आ संक्षिप्त विधानमे अध्यक्ष मण्डलक व्यवस्था आगामी अधिवेशनके बादो कायम रखैत यथाशीघ्र पूर्ण विधान केन्द्रीय अध्यक्षमण्डल निर्माण कऽ आयोगमे बुझाओत जनाओलगेल अछि ।
राजपाक पदाधिकारीमात्र सम्मलित केन्द्रीय राजनीतिक समिति अध्यक्ष मण्डलक अधिकार अपनासभकेँ देबाक, एक अध्यक्ष आ अन्य पदाधिकारी रखबाक, पार्टी विधानसँ अधिकार संगठन निचका तहके हस्तान्तरण करबाक आ महाधिवेशनसँ विधान निर्माण करबाक निर्णय कएने छल ।
राजनीतिक समितिक निर्णयविपरित अध्यक्षमण्डल अपने निर्णय कऽ सभ अधिकार अपने रखने अछि । २०७४ वैशाख ६ गते मधेशकेन्द्रित दलबीच पार्टी एकीकरण भेल समय ६ टा अध्यक्ष रहथि । महाधिवेशनसँ एकल नेतृत्व रखबाक सुझावके कात करैत अध्यक्षमण्डल अपन पद पुनः सुरक्षित करबालेल हरेक निर्णयके अधिकार अपनेने सीमित कएने अछि ।
महाधिवेशनसँ एकल नेतृत्व चयन करबाक समय पराजित हएबाक भय आ त्राससँ एहि प्रकारक निर्णय कएलगेल भऽ सकैत अछि एक पदाधिकारी बतओलन्हि । किछु नेतासभक जनाधार नहि रहलाक कारण महाधिवेशनमार्फत नेतृत्वमे अएबाक संभावना नहि देखलाक बाद अध्यक्ष मण्डल पुरने अवधारणाके निरन्तरता देने छथि ।
अन्तरिम विधानमे कोनो व्यक्ति दु कार्यकालसँ अधिक अध्यक्ष पदमे नहि रहि सकैत अछि व्यवस्था कएलगेल अछि । पुराने विधानके निरन्तरता दैत आयोगमे बुझाओलगेल विधानमे सेहो केन्द्रीय अध्यक्षमण्डलक सदस्यमेसँ हरेक दु महिनामे फेराफेरी एक अध्यक्ष संयोजक होएत आ अध्यक्ष मण्डलके विस्तार, विलय, एकीकरण, पार्टीक नाम परिवर्तन, चुनाव चिन्ह परिवर्तनके निर्णय करबाक अधिकार केन्द्रीय अध्यक्ष मण्डलके देलगेल अछि ।
राजपा प्रदेश कार्यसमितिक अवधारणाकेँ विधानमे समावेश नहि कएने अछि । ओ जिल्ला अधिवेशन प्रतिनिधिकेँ रुपमे प्रतिनिधिसभा क्षेत्रीय अध्यक्ष, प्रदेशसभा क्षेत्रीय अध्यक्ष, गाम÷नगरपालिका समिति अध्यक्ष, वार्ड समिति अध्यक्ष आ वार्ड अधिवेशनसँ निर्वाचित १÷१ गोटे रहत स्पष्ट कएने अछि । ३१ सदस्यीय जिल्ला कार्यसमितिक चयन जिल्ला अधिवेशन प्रतिनिधिमार्फत होएत ।
जिल्ला कार्यसमितिमे सेहो पुरान ६ पार्टीसँ आएल अध्यक्षसभकेँ समेटएके उद्देश्यसँ एक अध्यक्ष, दु उपाध्यक्ष, दु सचिव आ एक कोषाध्यक्ष रहत विधानमे उल्लेख अछि । प्रतिनिधिसभा क्षेत्रीय समिति सेहो ३१ सदस्यीय रखबाक व्यवस्था अछि ।
राजपाक हरेक महानगर समिति ५१, उपमहानगर समिति ४१, नगर समिति ३१ आ गामपालिका समिति २१ सदस्यीय रखबाक व्यवस्था अछि । हरेक नगर तथा गामपालिकामे पदाधिकारीके रुपमे रहल अध्यक्ष एक, उपाध्यक्ष दु, सचिव एक, सहसचिव दु आ एकटा कोषाध्यक्ष रहत ।
राजपा अपन सांठनिक संरचनाके रुपमे वार्ड, गाम आ नगरपालिका समिति, प्रदेश कार्यसमिति, संसदीय निर्वाचन क्षेत्र कार्यसमिति, जिल्ला कार्यसमिति आ केन्द्रीय कार्यसमितिके व्यवस्था कएने अछि । केन्द्रीय कार्यसमितिसँ उपर राजनीतिक समितिके राखलगेल अछि । राजपा साधारण आ सक्रियसहित दु प्रकारक सदस्यताके व्यवस्था कएने अछि । राजपाक साधारण सदस्य होबएलेल १० रुपैयाँ आ सक्रिय सदस्यता लेबएलेल एक सय रुपैयाँ शुल्क राखलगेल अछि ।

Read More »

दशमीमे झिझियाके रौनक

जनकपुरधाम २८ । तराई मधेशसहित सम्पूर्ण मिथिलाञ्चलमे एखन झिझिया गीत आ नृत्यके रौनक अछि । खास कऽ कऽ दुर्गा पूजा होबएबला स्थानसभमे साँझ आ अबेर राति धरि साउन्ड बक्स आ लाउडस्पिकरसभमे एखन झिझिया गीत सहजि सुनल जा सकैत अछि । झिझिया गीतबिन एक प्रकारेँ दशमी अधुरा जँका लगैत अछि ।
छेद कएलगेल दुटासँ तीनटा घैल । घैल भितर बरैत दीप । आ, ओहि घैलसभकेँ माथ पर राखि कऽ महिलासभ झिझिया गीतमे नृत्य कऽ रहल दृष्य सभकेँ झुमाबि रहल अछि । झिझिया नृत्यकेँ तान्त्रिक नृत्य सेहो कहल जाइत अछि ।
छठम शताब्दीसँ ११ शताब्दी धरिके समय तन्त्र शक्तिके रहलाक कारण ओहि समयसँ झिझियाके प्रारम्भ भेल जनविश्वास अछि । समाजमे तन्त्र विद्या हावी रहल समय डाइनक प्रभाव धियापुतामे देखलगेल कहैत एहिके अन्त करबालेल झिझिया नृत्यके शुरुवात कएलगेल बताओल जाइत अछि ।
तन्त्र शक्तिद्धारा धियापुताक खतरा बढए लगालकबाद महिलासभ अपन सन्तानकेँ ओहि प्रभावसँ बँचाबएलेल ई नृत्य शुरु कएने छल । देवी उपासनाक एहि नृत्यसँ तान्त्रक नकारात्मक शक्ति परास्त भेल विश्वास अछि ।
ग्रामीण क्षेत्रमे रहल ब्रम्ह स्थान (डिहबार) पहुँच कऽ मन्त्री सिद्ध कएल जाइत अछि तऽ गीत गाबि कऽ देवीक रुप श्रृंगार आ बम्हके वर्णन कऽ खुश कएल जाइत अछि । दशमीक समय बाजएबला झिझिया गीतमे सेहो देवी आ ब्रम्हके वर्णन कएल जाइत अछि ।
अन्य महिलासभ गीतक माध्यमसँ डाइनके गारि देल करैत अछि । घैलमे रहल छेद डाइन गनि लेलाकबाद ओकर मृत्यु हएबाक जनविश्वास अछि । तहिना गारि दैतकाल सहए नहि सकलाकबाद महिलासभ झगडा करब आ डाइनक पहिचान होबए जनविश्वास रहल बतबैत छथि प्राध्यापक परमेश्वर कापडि ।
विगतमे ग्रामीण क्षेत्रमे गायल जाएबला झिझिया गीत आ नृत्य एखन लोक भऽ रहल अछि । मुदा ग्रामीण क्षेत्रमे लोप होइत जा रहल झिझिया नृत्य आ गीतके शहरी क्षेत्र जीवन्तता देबाक प्रयास कऽ रहल अछि । विगतमे ग्रामीण क्षेत्रक महिलासभ झिझिया गीतमे नृत्य करैत घरघर पहुँचल करैत छल । मुदा, एखन ई परम्परा करिब लोप भऽ सकल अछि ।
दशमीक अवसर पर दुर्गा पूजामे जुटल युवासभ हरेक साँझ झिझिया नृत्यक आयोजना करैत आबि रहल अछि । आधुनिकताके व्यापक प्रभाव बढि रहलाक बादो एखन बाजएबला झिझिया गीत युवा पुस्तासँ बुढपुरान सभकेँ मन्त्रमुग्ध बनबैत अछि ।

Read More »

नेकपाक विरोधकबीच प्रदेश–२ मे प्रहरी ऐन पारित

जनकपुरधाम २८ । संघीय सरकार प्रहरीसम्बन्धी कानुन लएबाक बाँकी रहल समय प्रदेश २ प्रहरी भनासम्बन्धी विधेयक पारित कएलक अछि । शनिदिन सम्पन्न प्रदेशसभा बैठक प्रदेश प्रहरी भर्नासम्बन्धी विधेयक संशोधनसहित पारित कएलक अछि । प्रमुख विपक्षी दल नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी (नेकपा) क विरोधक बीच प्रदेशसभा प्रहरी भर्नासम्बन्धी विधेयक पारित कएलक अछि । संघीय सरकारके कानुन लएबासँ पहिने प्रदेश प्रहरी ऐन लाएब संविधानविपरित रहल कहैत नेकपा एकर विरोध करैत आबि रहल छल । मुदा दोसर विपक्षी दल नेपाली काँग्रेस प्रदेश सरकारकेँ अपन प्रहरी रहबाक चाही कहैत ऐनके समर्थनमे छल ।
शनिदिन सम्पन्न प्रदेशसभा बैठकमे सरकार पेश कएने प्रदेश प्रहरी भर्नासम्बन्धी विधेयक ध्वनी मतके आधार पर पारित भेल अछि । नेकपा विधेयकके विरोधमे रहलाकबादो भोटिङ करएबाक अडान नहि लऽ सकल ।
प्रदेशसभासँ पारित विधेयकके प्रदेश प्रमुख प्रमाणीकरण कएलाकबाद कानुनके रुप लेत । आ, प्रदेश सरकारकेँ प्रदेश प्रहरी भर्ना करबाक रास्ता खुजत । प्रहरी भर्नासम्बन्धी विधेयक पारित करएबला प्रदेश–२ पहिल प्रदेश बनल अछि ।
एहिसँ पहिने सरकार लगओने प्रदेश प्रहरी ऐन अध्ययन करबालेल बनल विशेष समिति संशोधनसहितक मस्यौदा सदनमे पेश कएने छल । समितिक सांसद सुरिता साह विज्ञसभक सुझाव समावेश कऽ कऽ तैयार कएलगेल मस्यौदा सदनमे प्रस्तुत कएने छलीह । संविधानक धारा २६८ अनुसार प्रदेश प्रहरी संरचना तैयार कएलगेल आ एहिसँ संघीय ऐनके कानो अवरोध नहि पहुँचत हुनकर दावा छलन्हि ।
ऐनमे प्रदेश प्रहरी प्रमुखमे प्रहरी महानिरीक्षक रहबाक व्यवस्था कएलगेल अछि । एहिसँ पहिने सरकार पेश कएने विधेयकमे महानिरीक्षकके श्रेणी राजपत्राङ्कित प्रथम श्रेणी राखलगेल छल । मुदा ओहिके संशोधन कऽ कऽ राजपत्राङ्कित विशिष्ठ श्रेणी कएलगेल अछि । तहिना प्रहरी नायब महानिरीक्षक आ प्रहरी वरिष्ठ उपरीक्षकके श्रेणी राजपत्राङ्कित प्रथम श्रेणी संशोधन कएलगेल अछि ।
प्रदेश सरकार ‘जनपद’ प्रहरी हटा कऽ ‘प्रदेश’ प्रहरी शब्द रखने अछि । तहिना प्रदेश सरकार प्रहरी संगठन आ संख्या निर्धारण करबालेल संघीय सरकारसँ माँग कएलाकबाद एक महिना भितर सहमति प्राप्त नहि भेल अवस्थामे प्रदेश सरकार ई काज अपने करत विधेयकमे उल्लेख अछि ।
प्रदेश प्रहरीकेँ समावेशी बनाबएलेल खुल्ला प्रतियोगिता परीक्षाद्धारा पुर्ति होबएबला पदमेसँ ४५ प्रतिशत अलग करैत ओहिके शतप्रतिशत मानि कऽ आरक्षणके व्यवस्था ऐन कएने अछि ।
प्रहरी ऐनमे मधेशी ५४.३६, दलित १७.२९, मुस्लिम ११.५८, थारु ५.२७, आदिवासी जनजाति ६.६१ आ खस आर्यकेँ ४.८९ प्रतिशत आरक्षणके व्यवस्था कएलगेल अछि ।

Read More »

बलात्कारक बाद १० वर्षीया बालिकाके हत्या

जनकपुरधाम २८ ।धनुषामा १० वर्षीया एक बालिकाके बलात्कारके बाद हत्या भेल अछि । धनुषाक औरही गाउँपालिका–२ देउरी परवाहाक १० वर्षीया मनिता यादवके बलात्कारक बाद हत्या भेल अछि ।
मनिताक बलात्कार आ हत्यामे संलग्न रहल आरोपमे प्रहरी स्थानीय दु गोटेके नियन्त्रणमे लेलक अछि । पकराएबला औरही गामपालिका–५ क ३२ वर्षीय विनोद मुखिया आ वार्ड नम्बर ३ क नथुनी पंडित रहल धनुुषाक प्रहरी प्रमुख एसपी गोविन्द थपलिया जानकारी देलन्हि ।
मुखियाकेँ जनकपुरसँ पंडितके घरेसँ शनिदिन गिरफ्तार कएलगेल थपलिया बतओलन्हि । मुखिया एहिसँ पहिने सेहो गोली प्रहार तथा लुटपाटसम्बन्धी मुद्दामे १० वर्ष जेल सजाय काटि चुकल एसपी थपलिया जानकारी देलन्हि ।
मनिताक घर नजदिक दशमीक मेला लागल छल । मदिरा सेवन कएने मुखिया आ पंडित मनिकाकेँ चकलेट किनएलेल १० रुपैयाँ देबाक प्रलोभन दऽ कऽ अपन साथ लऽ गेल छल । गाम नजदिकक खेतमे ओसभ बलात्कार कऽ मनिताके हत्या कएने एसपी थपलिया बतओलन्हि अछि ।
मनिताके फुसलाबएसँ पहिने ओसभ ओहि स्थानक दोसर बालिकाके सेहो प्रलोभन देने छल । मुदा ओ बालिका मुखिया आ पंडितके प्रलोभनमे नहि परल एसपी थपलिया जानकारी देलन्हि ।
ओ बालिका ओकरासभक प्रलोभनमे नहि परलाकबाद मुखिया आ पंडित मनिताके फुसला कऽ लऽ गेल एखन धरिके अनुसन्धानसँ खुजल थपलिया बतओलन्हि ।
शुक्रदिन राति करिब ९ बजेसँ बेपत्ता भेल मनिताके स्थानीयसभ रातिभरि खोजी कएने छल । मुदा, मनिताक शव शनिदिन करिब १२ बजे खेतमे गाडल अवस्थामे बरामद भेल छल । गाडल अवस्थामे शव देखलाकबाद स्थानीय प्रहरीके खबर कएने छल । घटनास्थलमे पहुँचल प्रहरी अनुसन्धान शुरु कएलाकबाद मुखिया आ पंडितके नियन्त्रणमे लेलगेल एसपी थपलिया जानकारी देलन्हि । हुनक अनुसार दुनु गोटे मनिताके बलात्कारक बाद हत्या कएने प्रहरीसमक्ष स्वीकार कएलक अछि ।
कञ्चनपुरक निर्मला हत्या काण्ड जँका मनिता हत्या सेहो पैघ घटना रहल थपलियाक कहब छन्हि । मुखिया आ पंडितके जिल्ला प्रहरी कार्यालय हिरासतमे राखि कऽ आवश्यक अनुसन्धान चलि रहल प्रहरी जनओलक अछि ।

Read More »
1 2 3 5