News

पूर्वमन्त्री पाण्डे ४ करोड धरौटीमे रिहा

काठमाण्डु माघ ०३ गते ।भ्रष्टाचार मुद्दामे पूर्वमन्त्री विक्रम पाण्डेके विशेष अदालत ४ करोड धरौटी लऽ कऽ रिहा कएलक अछि । अख्तियारक फरार सूचीमे रहल पाण्ड बुधदिन विशेष अदालतमे उपस्थित भेल छलथि । बुधेदिन अदालतक अध्यक्ष बाबुराम रेग्मी, न्यायाधीशद्धय चण्डीराज ढकाल आ नारायणप्रसाद पोखरेलक संयुक्त इजलास ४ करोड धरौटी बुझएबाक निर्णय कएने छल ।
पाण्डे बुधदिन रकम नहि बुझओलाक बादो ग्लोबल आईएमई बैंक ग्यारेन्टी देलाक बाद धरौटीमे रिहा भेल छथि । सिक्टा सिंचाईं आयोजनामे भ्रष्टाचार कएने कहैत अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग दायर कएने भ्रष्टाचार मुद्दामे पाण्डे ४ करोड धरौटी बुझा कऽ रिहा भेल छथि ।विशेष अदालत पाण्डेके हाजिर होबएलेल १५ दिनक म्याद जारी कएने छल । ओ म्याद भितरे अदालतमे उपस्थित भेल छलथि ।
सिक्टा सिंचाई आयोजनामे गुणस्तरहीन काज भेल कहैत अख्तियार कालिका कन्स्ट्रक्सनक मालिक सेहो रहल पूर्वमन्त्री पाण्डेविरुद्ध मुद्दा दायर कएने छल । अख्तियार पाण्डेकेँ दु वर्ष कैद सजायके माँग करैत विशेष अदालतमे भ्रष्टाचार मुद्दा दायर कएने छल । आयोग पाण्डेविरुद्ध २ अर्ब १३ करो ७६ लाख ८० हजार विगो दावी कएने अछि ।
पाण्डे प्रमुख रहल सिटिसिई कालिका कन्स्ट्रक्सन जेभी सिक्टा सिंचाई आयोजनाक ४५ मेसँ ४२ किलोमिटर नहर निर्माणक ठेक्का ६ अर्ब रुपैयाँमे लेने छल । नहर निर्माणमे कएलगेल लगानी शून्य अवस्थामे पहुँचल अख्तियारक निष्कर्ष अछि ।

Read More »

‘वाइडबडी छानबिन करबालेल सर्वदलीय संसदीय समिति बनए’

काठमाण्डु माघ ०३ गते ।पूर्वप्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई वाइडबडी विमान खरिद प्रकरणमे छानबिन करबालेल अधिकारसम्पत्र सर्वदलीय संसदीय समिति गठनके माँग कएलन्हि अछि । विमान खरिदमे भ्रष्टाचार हएबामे कोनो दुमत नहि रहल हुनकर दावा छन्हि ।
नयाँ शक्ति पार्टीक संयोजक सेहो रहल भट्टराई अधिकारसम्पत्र सर्वदलीय समिति बनलाक बादे विमान खरिदमे भेल अनियमितता बाहर आओत बतओलन्हि ।
बुधदिन काठमाण्डुमे पार्टीद्धारा आयोजित अन्तरक्रियामे भट्टराई संसदीय समिति बनओने उपसमितिक प्रतिवेदनक आधार पर दोषीके कारबाही नहि भऽ सकत उल्लेख कएलन्हि अछि । ‘एखन संसदके सार्वजनिक लेखा समिति अन्तर्गतके उपसमिति छानबिन कऽ कऽ प्रतिवेदन बुझओने अछि । संसदके अन्तर्राष्ट्रिय सम्बन्ध समितिक उपसमिति सेहो छानबिन कऽ रहल अछि,’ ओ कहलन्हि,‘उपसमितिसभ सीमित दायराभितर मात्र छानविन कऽ सकैत अछि । एहि कारण सर्वदलीय अधिकार सम्पत्र समिति बना कऽ छानबिन करबालेल माग करैत छी ।’
सरकार बनओने न्यायीक आयोग सेहो सत्यतथ्य बाहर नहि लाओत ओ दावा कएलन्हि अछि । संसदीय समितिसभ उपसमिति गठन कऽ छानबिन कऽ रहल समय सरकारके न्यायीक आयोग बनाएबाक कोनो अर्थ नहि अछि भट्टराई बतओलन्हि ।
पैघ राजनीतिक दलक नेतासभ नहि मिलएधरि पैघ भ्रष्टाचार नहि भऽ सकत कहैत बँचाबएलेल नेतासभ राष्ट्रिय सहमति कएने ओ बतओलन्हि । ‘किछु दिन पहिने प्रधानमन्त्रीसहित पैघ दलक नेतासभ किछु सहमति कएने सुनने छलौँह । हमर पुरान मित्र प्रचण्डकेँ हम निकसँ चिन्हैत छिएन्हि । चितवन पहुँच कऽ किछु विषयमे राष्ट्रिय सहमति कएने छी कहने छलथि,’ ओ कहलन्हि,‘कोन विषयमे राष्ट्रिय सहमति भेल अछि लागि रहल छल । वाइडबडीके विषयमे शायद राष्ट्रिय सहमति भेल छल ।’
ओ अर्थमन्त्री आ हिसिला यमी पर्यटनमन्त्री रहल समय पर्यटन प्रवद्र्धनके लेल दुटा पैघ नयाँ जहाज खरिद करबाक निर्णय भेल स्मरण करबैत भट्टराई पुरान जहाज खरिद करब भ्रष्टाचार भेल प्रमाणित करैत अछि बतओलन्हि ।
कार्यक्रमे अर्थविज्ञ अच्युत वाग्ेले सार्वजनिक लेखा समिति अन्तर्गतके उपसमिति तैयार कएने प्रतिवेदनमे त्रुटी रहल बतओलन्हि । ‘भ्रष्टाचार नहि भेल अछि से नहि अछि, भ्रष्टाचार भेल छैक । मुदा लेखा समितिक रिपोर्टके कारण मन्त्रीकेँ पत्रकार सम्मेलन करबाक हिम्मत आएल अछि, ’ ओ कहलन्हि,‘एक लाख चोरी कएने चोरके चारि लाख चोरी कएने कहलगेल । मुदा ओ कहियो स्वीकार नहि करत । एहिठाम सेहो ओहिना भेल अछि ।’
अख्तियारमे भ्रष्ट व्यक्तिके फेराफेरी प्रमुख बनाओलगेल आरोप सेहो ओ लगओलन्हि । भ्रष्टके अख्तियार प्रमुख बनाओलगेलाक कारण काम देखाबएलेल १५ सय घुस खाएबला कर्मचारके कारबाही कएलगेल ओ बतओलन्हि । पैघ भ्रष्टाचारक विषयमे अख्तियार अनुसन्धान तथा कारबाही नहि कऽ सकत हुनकर दावा छन्हि । वाइडबडीमे अख्यितार कोनो निष्कर्ष नहि निकालत वाग्ले दावा कएलन्हि ।

Read More »

उच्चस्तरीय राष्ट्रिय शिक्षा प्रतिवेदनकेँ हिसानद्धारा स्वागत

काठमाण्डु माघ ०३ गते ।उच्च शिक्षालय तथा माध्यमिक विद्यालय संघ नेपाल (हिसान) राष्ट्रिय शिक्षा नीति निर्माणके लेल सुझाव देबएलेल सरकारद्धारा गठित उच्चस्तरीय राष्ट्रिय शिक्षा आयोग तैयार कएने प्रतिवेदनके स्वागत कएलक अछि ।हिसानक अध्यक्ष रमेश सिलवाल ओहि प्रतिवेदनमे निजी विद्यालयकेँ सेवामुलक बनएबाक प्रावधान राखलगेल कहैत आपत्ति जनएबाक कोनो कारण नहि रहल स्पष्ट कएलन्हि अछि । बुधदिन काठमाण्डुमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे बजैत आयोगक सदस्य सेहो रहल ओ निजी विद्यालयके सम्पत्ति संरक्षण करबाक हिसाबसँ प्रावधान राखलगेल उल्लेख करैत ओहि पर असहमति जनएबाक कोनो कारण नहि रहल बतओलन्हि ।
सम्पत्ति संरक्षण करैत आयोग निजी विद्यालयकेँ गैरनाफामूलक बनाबएलेल सिफारिस कएने अध्यक्ष सिलवालक कहब अछि । आयोगक प्रतिवेदनमे निजी विद्यालयकेँ गैरनाफामूलक बनएबाक प्रस्ताव कएलगेल अछि । एहि प्रस्तावमे आवश्यक्तासँ अधिक मुनाफा नहि लैत निजी विद्यालयकेँ गैरनाफामूलक बनएबाक प्रस्ताव कएलगेल अध्यक्ष सिलवाल बतओलन्हि ।
अध्यक्ष सिलवाल आयोगक प्रतिवेदनमे नेपालकेँ शैक्षिक हब बनएबाक प्रस्ताव कएलगेल आ ओहिमे निजी क्षेत्रक सहयोगके व्यवस्था सेहो कएलगेल जानकारी देलन्हि ।
कार्यक्रममे बजैत आयोगक सदस्य एवम शिक्षाविद् विद्यानाथ कोइराला ई प्रतिवेदन कार्यान्वयनमे आओत विश्वास व्यक्त कएलन्हि । सरकार सञ्चालन करएबला राजनीतिक दलक बाहूल्यता रहल आयोग तैयार कएने प्रतिवेदन कार्यान्वयन करबामे कोनो समस्या नहि रहल ओ तर्क देलन्हि ।
कोइराला निजी विद्यालयसभके स्थानीय, दलित, जनजाति आ गरिब जनताकेँ सहायता दऽ कऽ सेवामूलक बनबाक अवसर प्रतिवेदनमे राखलगेलाक कारण कार्यान्वयनमे कोनो समस्या नहि आओत बतओलन्हि । आयोगक सदस्य कोइराला प्रतिवेदनमे निजी विद्यालयके सरकारी विद्यालयक गुणस्तर विकासमे सेवा करबाक प्रावधान सेहो राखलगेल बतओलन्हि ।
सरकार शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री गिरिराजमणि पोखरेलक अध्यक्षतामे राष्ट्रिय शिक्षा नीति निर्माणके लेल सुझाव देबएलेल उच्चस्तरीय राष्ट्रिय शिक्षा आयोग गठन कएने छल । आयोग तैयार कएने प्रतिवेदन मंगलदिन प्रधामन्त्री केपी शर्मा ओलीकँे बुझओलक अछि ।

Read More »

संसद आ सडकसँ आन्दोलन करबाक चेतावनी

काठमाण्डु माघ ०३ गते । नेपाली काँग्रेस डा.गोविन्द केसीसँग कएलगेल सम्झौता तत्काल कार्यान्वयन नहि कएलगेल तऽ पैघ दबाबक सामना करए परत कहैत सरकारके ध्यानाकर्षण करओलक अछि । पार्टी कार्यालय सानेपामे बुधदिन पत्रकार सम्मेलन कऽ प्रवक्ता विश्वप्रकाश कर्मा केदारभक्त माथेमा तैयार कएने चिकित्सा शिक्षा अध्ययन प्रतिवेदन लागु नहि कएलगेल तऽ काँग्रेस ओकर सशक्त प्रतिवाद करत बतओलन्हि अछि ।
ओ कहलन्हि,‘सहमतिमे घुरब या चौतर्फी दबाबके प्रतिक्षा करब कहैत सरकारँ अपन हठ त्यागि कऽ माथेमा प्रतिवेदन कार्यान्वयन करए परत ।’ प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली अपने अग्रसरतामे डा.केसीक माँग अनुसार चिकित्सा शिक्षा विधेयक लएबाक प्रतिवद्धता जनओलाक बादो संसदके शिक्षा तथा स्वास्थ्य समिति सहमति विपरित माफियाके पृष्टपोषण करएबला विधेयक संसदमे पेश कएने कहैत काँग्रेस आपत्ति जनओलक अछि ।
डा.केसीसँँग एहिसँ पहिने १० वर्ष धरि मेडिकल कलेज नहि खोलबाक आ एक विश्वविद्यालय पाँचसँ अधिक मेडिकल कलेजके सम्बन्धन नहि दऽ सकत सहमति भेल छल । मुदा, सरकार एहिके विपरित संसदमे विधेयकके मस्यौदा पेश कएने कहैत संसद आ सडकसँ काँग्रेस सरकारविरुद्ध आन्दोलन करबाक चेतावनी देलक अछि ।
तहिना वाइडबडी प्रकरणमे सभापति शेरबहादुर देउवाक समाचारक विषयमे काँग्रेसक ध्यानाकर्षण भेल जनओलक अछि । प्रवक्ता शर्मा कहलन्हि,‘शेरबहादुर देउवा चारिमबेर प्रधानमन्त्री नियुक्त भेल समय मन्त्रिपरिषद विस्तार नहि भेल छल । मन्त्रिपरिषद विस्तार नहि भेल अवस्थामे स्वतः सभ मन्त्रालयक जिम्मेवारी प्रधानमन्त्रीके रहलाक कारण सभापति देउवाके जोडब गलत अछि ।’
सार्वजनिक खरिद ऐन विपरित वाइडबडी आनलगेल आ एहि घोटालामे संलग्न केउ बाँचए नहि चाहि कहैत सत्यके जगपर तथ्य खाजी करबालेल काँग्रेस माँग कएलक अछि । वाइडबडीमे अपना बँचबालेल सभापति देउवाकेँ संलग्न करबाक घेृणित काज कएलगेल कहैत काँग्रेस भत्र्सना कएलक अछि । वाइडबडीक छानबिनमे काँग्रेस पूर्ण सहयोग करत प्रवक्ता शर्मा बतओलन्हि अछि ।
नेवि संघक विषयमे बजैत प्रवक्ता शर्मा आगामी माघ १० गते बैसएबला केन्द्रीय कार्यसमितिक बैठकस निर्णय कएलजाएत जानकारी देलन्हि ।

Read More »

२० वर्षबाद हत्याक फरार अभियुक्त गिरफ्तार

बीरगंज माघ ०३ गते ।हत्याक एक फरार अभियक्तके पर्सा प्रहरी २० वर्षबाद नियन्त्रणमे लेबएमे सफल भेल अछि । हत्यासम्बन्धी मुद्दामे २० वर्षसँ फरार रहल ८८ वर्षीय मिश्री साह कानुकेँ बुधदिन नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
२०५५ साउन २४ गते पर्सा जिल्लामे भेल एक हत्यासम्बन्धी घटनाक अभियुक्त छिपहरमाई गामपालिका–२ क कानु २० वर्षसँ फरार छल । कानुके गिरफ्तार करबालेल पर्सा जिल्ला अदालत वारेन्ट सेहो जारी कएने छल । लम्बा समयसँ खोजी सूचीमे रहल कानुके पुलिस गोप्य सूचनाके आधार पर बुधदिन घरेसँ नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

Read More »

६ महिनामे ७७ अर्ब असुली

बीरगंज माघ ०३ गते । बीरगंज भन्सार कार्यालय चालु आर्थिक वर्षक पहिल ६ महिनामे ७७ अर्बसँ अधिक रुपैयाँ राजश्व संकलन कएलक अछि । भन्सार कार्यालय पुष मसान्तधरि ७७ अर्ब ८५ करोड ७५ लाख रुपैयाँ संकलन कएलक अछि । गत आर्थिक वर्षक पुषधरि कार्यालय जम्मा ६० अर्ब ५० करोड २२ लाख रुपैयाँ संकलन कएने छल । गत आर्थिक वर्षक अद्र्ध वार्षिक रजश्व संकलनक तुलनामे चालु आर्थिक वर्षक एहि अवधिमे कुल राजश्व असुलीमे २८.५२ प्रतिशत वृद्धि भेलाक बादो राजश्व संकलनक अद्र्ध वार्षि लक्ष्य प्राप्त नहि सकल अछि ।
कार्यालय लक्ष्यके जम्मा ९८.५० प्रतिशत मात्र राजश्व संकलन कऽ सकल भन्सार कार्यालयक तथ्यांकमे उल्लेख अछि । भन्सार संकलित राजश्वमेसँ सभसँ अधिक मूल्यअभिवृद्धि कर शीर्षकमे ३१ अर्ब ४८ करोड ३९ लाख रुपैयाँ असुली भेल जानकारी देलक अछि ।
भन्सार महशुल वापत २७ अर्ब २३ करोड ४४ लाख रुपैयाँ संकलन कएलगेल सूचना अधिकृत मनोजकुमार महतो जानकारी देलन्हि । मूल्यअभिवृद्धि कर आ भन्सार महशुल पूर्व निर्धारित लक्ष्यके क्रमशः ८९ प्रतिशत आ ८२ प्रतिशतमात्र अछि ।
अन्तःशुल्क संकलनमे लक्ष्यसँ ३९ प्रतिशत अधिक राजश्व संकलन कएलगेल अछि । १० अर्ब ३९ करोड ६५ लाख रुपैयाँक लक्ष्य लेने भन्सार कार्यालय १४ अर्ब ५० करो २० लाख रुपैयाँ संकलन करबामे सफल भेल अछि ।
पूर्वाधार निर्माण कर शीर्षकमे ३ अर्ब १४ करोड रुपैयाँ संकलन भेल भन्सार कार्यालय जनओलक अछि । वीरगंज भन्सार नाकामे पेट्रोलियम पदार्थ, सवारी साधन आ औद्योगिक कच्चा पदार्थ राजश्व असुलीके मुख्य स्रोत अछि ।
अर्थ मन्त्रालय सवारी साधनक आयातमे अन्तःशुल्क, भन्सार महसुल आयातमे वृद्धिके संगहि नाम चलल ब्राण्डक नक्कल कऽ सामान आयात करएबला आयातकर्ताविरुद्ध कडाइ करैत सक्कली ब्राण्ड जँका मूल्यांकन करैत राजश्व असुली कएलाकबाद भन्सार राजश्वमे सकारात्मक प्रभाव परल अछि ।

Read More »

मेयरके घरक आगु चक्काजाम

जनकपुरधाम माघ ०३ गते ।सडक चौडा करबाक माँग करैत जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक मेयर लालकिशोर साहक घरक आगु स्थानीयवसी सडक जाम कएलक अछि । जानकी मन्दिर आ रामानन्द चैक सडक खण्डक चौडाई कम भेल कहैत स्थानीयवासी रामानन्द चौकस्थित मेयर साहक घरक आगु चक्का जाम कऽ सडक अवरुद्ध कएने छल ।
सवारी साधनक चापअनुसार सडकक चौडाइ कम रहलाक कारण आवतजावतमे सेहो समस्या होइत आएल स्थानीयवासीके कहब अछि । रामानन्द चौकसँ जानकी मन्दिरधरि अतिव्यस्त रहल सडकके चौडाइ कम रहलाक कारण सवारीसाधन आ सर्वसाधारणक चापसँ बेरबेर जाम होइत आएल अछि ।
एखन ४२ फिट चौडाइ कायम कऽ कऽ निर्माण भऽ रहल सडकके कमसँ कम ५२ चौडा कऽ निर्माण कार्य आगु बढएबाक माँग करैत स्थानीयवासी बुधदिन आधा घण्टा मेयर साहक घरक आगु सडक अवरुद्ध कएने छल । सवारीसाधनक अत्याधिक चाप रहल सडक पर पानि नहि छिटओलासँ सडक पर उडएबला धुलगर्दाके कारण स्वास्थ्य पर सेहो असर परि रहल कहैत स्थानीयवासीसभ नियमित पानि छिटबालेल सेहो माँग कएने अछि ।

Read More »

‘सुनकोशी–कमला डाइभर्सनमे लगानी करबालेल आग्रह’

जनकपुरधाम माघ ०३ गते ।मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत एशीयाली विकास बैंककेँ सुनकोशी कमला डाइभर्सनमे लगानी करबालेल आग्रह कएलन्हि अछि । एशीयाली विकास बैंक बुधदिन जनकपुरमे आयोजना कएने एशीयाली विकास बैंकक नेपालके लेल प्रस्तावित राष्ट्रिय साझेदारी रणनीति सम्बन्धी सरोकारबलासँगक विमर्श तथा परामर्शमे मुख्यमन्त्री राउत ई आग्रह कएलन्हि अछि ।
मुख्यमन्त्री राउत देशक खाद्यान्न भण्डारके रुपमे परिचित प्रदेश २ सिचाईंक अभावमे मरुभूमि बनबाक खतरा बढैतगेलाक कारण ओहिसँ निकास पाबएलेल सेहो सुनकोशी कमला डाइभर्सन आवश्क रहल उल्लेख कएलन्हि । सुनकोशी कमला डाइभर्सनसँ प्रदेश सिचाईंसम्बन्धी समस्या समाधान हएबाक संगहि विद्युत उत्पादन आ पर्यटन क्षेत्रमे सेहो लाभ हएतैक ओ उल्लेख कएलन्हि ।
प्रदेशक खेतीयोग्य जग्गाके जोगाबएलेल सुनकोशी कमला डाइभर्सनक संगहि चुरे संरक्षण सेहो महत्वपूर्ण रहल राउत बतओलन्हि । चुरे संरक्षणबिना प्रदेशक विकास सम्भव नहि रहल उल्लेख करैत एहि दुनु योजनाके प्राथमिकता देबएलेल राउत एशीयाली विकास बैंकसँ आग्रह कएलन्हि ।
कार्यक्रममे सामाजिक विकास मन्त्री नवलकिशोर साह, नेपाली काँग्रेस संसदीय दलक नेता रामसरोज यादव, संघीय समाजवादी फोरमक प्रमुख सचेतक शैलेन्द्र यादव, राजपाक सचेतक परमेश्वर साह, नेकपाक प्रदेश सांसद शत्रुध्न महतो, रामचन्द्र मण्डलसहितकके उपस्थिति छलन्हि ।

Read More »

सचिवके पिटएबला मन्त्री उपर कारबाहीके माँग ‘पेन डाउन’

जनकपुरधाम माघ ०३ गते । सचिव उपर मारिपिट करएबला मन्त्री उपर कारबाहीके माँग करैत निजामती कर्मचारीसभ आन्दोलनमे उतरल अछि । निजामती कर्मचारीसभक आधिकारिक ट्रेड युनियन धनुषा बुधदिनसँ सचिव विद्यानाथ झा उपर मारिपिट कएने कहैत प्रदेश २ क अर्थमन्त्री विजय यादव उपर कारबाहीके माँग करैत आन्दोलनमे उतरल अछि ।
आन्दोलित कर्मचारीसभ मन्त्री यादवके कारबाही करबाक माँग करैत बुधदिन भिन्सर १० बजेसँ ११ बजे धरि पेन डाउन कऽ दिनभरि हाथमे कारी पट्टी बान्हि कऽ काज कएलक अछि । तहिना ओसभ वृहस्पतिदिन भिन्सर १० बजेसँ १२ बजे धरि दु घण्टा पेन डाउन आ शुक्रदिन भिन्सर १० बजेस दुपहर १ बजे धरि पेन डाउन करबाक आन्दोलनक कार्यक्रम घोषणा कएलन्हि अछि । वृहस्पतिदिन धरि सेहो सत्यतथ्य छानबिन कऽ दोषी मन्त्री उपर कारबाही नहि भेल तऽ दोसर चरणक आन्दोलनक कार्यक्रम घोषणा कएल जाएत ट्रेड युनियन धनुषाक अध्यक्ष रामबाबु साह जानकारी देलन्हि अछि ।
सचिव झा उपर मारिपिट कएन्हिार मन्त्री यादव उपर कारबाहीके माँग करैत निजामती कर्मचारीसभ सोमदिन मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत आ प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रदीपराज कणेलकेँ २४ घण्टाक अल्टिमेटम दैत ज्ञापन पत्र बुझओने छलथि ।
गरिबी निवारण कोषअन्तर्गत लघु उद्यमसम्बन्धी कार्यक्रम सिफारिस कएने एनजीओके नहि परलाक कारण मन्त्री यादव गत रविदिन सचिव झाके अपने कार्यकक्षमे बजा कऽ मारिपिट कएने रहथि । अपना उपर भेल मारिपिटके बाद आवेशमे आएल सचिव झा सेहो अपशब्द प्रयोग कएने रहथि । घटनाक छानबिन करबालेल रविएदिन प्रदेश २ क आन्तरिक मामिला तथा कानुनमन्त्री ज्ञानेन्द्र यादवक संयोजकत्वमे तीन सदस्यीय छानबिन टोली गठन भेल छल । टोलीके सातदिन भितर अपन प्रतिवेदन देबएलेल कहलगेल अछि ।
मन्त्रीके बर्खास्त करु–काँग्रेस
नेपाली काँग्रेस धनुषा सचिव विद्यानाथ झाके मारिपिट कएने कहैत अर्थमन्त्री विजय यादवकेँ बर्खास्त करबालेल मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतसँ माँग कएलक अछि । बुधदिन सम्पन्न धनुषा काँग्रेसक विस्तारित बैठक घटनाके भत्र्सना करैत सचिव उपर मारिपिट कएने मन्त्री यादवके पदसँ बर्खास्त करबाक माँग कएलक अछि । जिल्ला सभापति महेश शंकर गिरीके सभापतित्वमे सम्पन्न बैठकमे केन्द्रीय सदस्य आनन्दप्रसाद ढुंगाना, संसदीय दलक नेता रामसरोज यादव, जिल्ला कार्यसमितिक पदाधिकारी, भातृसंगठनक पदाधिकारीसहितकके उपस्थिति छलन्हि । तहिना नेपाली काँग्रेसक विद्यार्थी संगठन नेविसंघ सेहो घटनाके भत्र्सना करैत दोषी उपर कारबाही करबाक माँग कएलक अछि । नेविसंघ धनुषाक सभापति सुजित मिश्र बुधदिन प्रेस विज्ञप्ती जारी करैत मन्त्री सन जिम्मेवार व्यक्ति सचिव उपर हाथपाथ कऽ अमर्यादित आ अभद्र व्यवहार प्रदर्शन कएने कहैत कारबाहीके माँग कएलन्हि अछि ।

Read More »

सहायक रजिष्ट्रार १ लाख घुस सहित नियन्त्रणमे

काठमाण्डू माघ ०२ गते ।कम्पनी रजिष्ट्रारके कार्यालय त्रिपुरेश्वरमे कार्यरत सहायक रजिष्ट्रार गीता कुमारी पन्थी एक लाख घुसरकम सहित पकराएल छथि । मंगलदिन अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगसँ खटल टोली काठमाण्डू महानगरपालिका–१४ स्थित एन. इम.बि. बैंकके पार्किङ्ग एरियासँ पन्थीकेँ नियन्त्रणमे लेलगेल अख्तियार प्रवक्ता (सह–सचिव) रामेश्वर दंगाल जानकारी देलन्हि । कम्पनी रजिष्ट्रारके कार्यालयमे दर्ता रहल स्कुलके एखनधरि बाँकी रहल कर तिरए गेला बाद राजस्व रकम कम कऽ देबाक बहानामे सहायक रजिष्ट्रार पन्थी सेवाग्राहीसँग घुस रकम माँग कएनेबताओलगेल अछि ।
सहायक रजिष्ट्रार पन्थीे सेवाग्राहिसँग लेने १ लाख घुस रकम अपन बेटी पोषण पन्थीकेँ रखबालेल देने आयोग जनओलक अछि । अख्तियार पन्थीके बेटी पोषण पन्थीकेँ सेहो आवश्यक अनुसन्धानक लेल नियन्त्रणमे लेलक अछि । घटना विषयमे थप अनुसन्धान शुरु भेल अख्तियार दुरुपयोग अुनसन्धान आयोग जनओलक अछि ।

Read More »