News

नेकपा बैठक : सरकार आ पार्टी नेतृत्व दुनुके आलोचना

काठमाण्डु पुस ०३ गते । सत्तारुढ नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी (नेकपा) के स्थायी कमिटी बैठकमे नेतासभ सरकार आ पार्टी नेतृत्वक पैघ आलोचना कएलन्हि अछि । पार्टी विधिसम्मत नहि चलल आ सरकार जनअपेक्षाअनुसार काज नहि कएने हुनकासभक निष्कर्ष अछि । पार्टी कार्यालय धुम्बाराहीमे बैसल बैठकमे बामदेव गौतमसहित १० गोटे अध्यक्षद्वयके राजनीतिक प्रतिवेदन उपर अपन धारणा रखलन्हि अछि ।
गौतम शनिदिनक बैठकमे लिखित स्थायी कमिटी सदस्यसभकेँ बँटने छलथि । रविदिन ओ ओहि विषयमे प्रष्ट् करबाक सँगहि प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली रविदिन देने अभिव्यक्तिके सेहो आलोचना कएने एक नेता बतओलन्हि । बैठकमे बाजएबला नेतासभ पार्टी विधान आ विधि अनुसार नहि चलि सकल धारणा रखने छथि । पार्टी एकता प्रक्रिया गति देबए नहि सकल, प्रदेश कमिटी गठन मापदण्ड अनुसार नहि भेल कहैत ओसभ नेतृत्वके आलोचना कएलन्हि अछि । ‘कऊ पैघ स्वरमे बजैत छथि, कऊ कम स्वरमे बजलन्हि मुदा, पार्टीके सचिवालय विधि आ विधानअनुसार काज नहि कऽ सकल सभ गोटेके धारणा छल ।’
सरकारसँ अधिक पार्टी नेतृत्वके अधिक आलोचना भेल अछि । सरकार जनअपेक्षाअनुसार काज नहि कऽ सकल नेतासभ बतओलन्हि अछि । अध्यक्षद्वयके प्रस्तावमे उपलब्धी अधिक देखओला बादो ९ महिनामे जनअपेक्षाअनुसार काज नहि भेल ओसभ बतओलन्हि । वनमन्त्री सेहो रहल शक्ति बस्नेत ९ महिनामे कि कि कएल जा सकैत छलैक कहि नहि देखबाक चाही धारणा रखलन्हि ।

Read More »

मेलम्ची छोडि चुकल इटालियन ठेकदारके घोषणा

काठमाण्डू पुस ०३ गते ।इटालियन ठेकदार कम्पनी सीएमसी निर्माणाधीन मेलम्ची खानेपानी आयोजना छोडि चुकल घोषणा कएलक अछि । मुदा, सरकार ओ पत्र बुझ्न अस्वीकार कएलक अछि । ठेकेदार कम्पनीके प्रतिनिधि आयोजनाके बाँकी काज नहि कऽ सकल लिखल पत्र लऽ कऽ मेलम्ची खानेपानी आयोजनामे पहुँचल छल । मुदा, आयोजनाक अधिकारीसभ पत्र बुझएसँ अस्वीकार कएने अछि । खानेपानी मन्त्रालय पत्र नहि बुझए लेल आयोजनाकेँ निर्देशन देने छल । सीएमसी ‘फन्ड सर्टेज’ भेल कहैत काज आगा बढाबए नहि सकल पत्रमे उल्लेख कएने बुझबामे आएल अछि ।
एहिसँ आगा याह डिसेम्बर १४ धरि अपने दावा कएने रकम देबए समयसीमा देने छल । मुदा, सरकार बाँकी काज सम्पन्न कएला बादो थप रकम भुक्तानी देबाक जबाब देने अछि । सरकारसँ पैसा नहि भेटला बाद सीएमसीके अधिकारीसभ भागएके प्रयास कएने छल । मुदा, पूर्वसूचना भेटला बाद नेपाल प्रहरीके सहयोगमे ८ गोटेकेँ ठमेलसँ नियन्त्रणमे लेलगेल अछि । क्रिष्मस डे मनाबएके बहानामे काज छोडि कऽ भागि रहल आयोजनाके ठेकेदार कम्पनी इटालियन कम्पनी सिएमसीके आठ गोटे कर्मचारीकेँ पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
महानगरीय प्रहरी वृत्त दरबारमार्गसँ खटल टोली हुनकासमकेँ रविक राति ठमेलस्थित रोयल पेङ्गुइन होटलसँ नियन्त्रणमे लेने छल । नियन्त्रणमे लेलगेल कर्मचारीकेँ खानेपानी मन्त्रालयके जिम्मा लगाओलगेल डीएसपी दानबहादुर मल्ल जानकारी देलन्हि ।

Read More »

सरकारकेँ डा. केसी देलन्हि १५ दिनक अल्टिमेटम

काठमाण्डू पुस ०३ गते ।त्रिवि शिक्षण अस्पताल महाराजगञ्जक प्रा. डा. गोविन्द केसी अपनासँग भेल सम्झौता कार्यान्वयन करबालेल सरकारकेँ १५ दिनक अल्टिमेटम देलन्हि अछि । ओ १५ अम अनशनके क्रममे भेल सम्झौता कार्यान्वयन नहि भेल तऽ पुस १७ गतेसँ अनशन सुरु करबाक घोषणा कएलन्हि अछि । सोमदिन विज्ञप्ति जारी कऽ डा. केसी चिकित्सा शिक्षा विधेयककेँ आगा बढाबए किछु दिन समय लागत जानकारी अएलासँ विधेयक आगा बढाबए पूर्वनिर्धारित अनशनके समय आगा बढओने बतओलन्हि अछि ।
एहिसँ आगा डा. केसी माँग पूरा नहि भेल तऽ पुस २ सँ अनशन शुरु करबाक घोषणा कएने छलथि । डा. केसी कहने छथि ,‘राष्ट्रिय चिकित्सा शिक्षा विधेयकसहित बाँकी माँगसभ सेहो पूरा करबालेल स्मरण करबैत घोषित सत्याग्रहकेँ दु सप्ताह आगा बढओने छी । एहिबीच विधेयकमे कोनो चलखेल भऽ माथेमा कार्यदलके प्रतिवेदन, एहिसँ आगा दु बेर जारी भेल अध्यादेश तथा हमरासभसँग बारम्बार भेल सम्झौतासभसँ अधिक प्रतिकूल होबएजँका चलखेल भेल तऽ कोनो समय सत्याग्रह सुरू भऽ सकैत अछि ।’ डा. केसी कर्णाली स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानमे पूर्वाधार आ जनशक्ति होइतो राजनीतिक दबाबके कारण स्नातकोत्तरके अनुमति देबए नेपाल मेडिकल काउन्सिल आनाकानी कऽ रहल आरोप लगओने अछि ।

Read More »

महोत्तरीमे पैघ परिणाममे लागू औषध बरामद

बर्दिबास पुस ०३ गते ।प्रहरी सोमदिन महोत्तरीके बर्दिबासमे दुटा सवारी साधनसँ पैघ परिणामे लागू औषध बरामद कएलक अछि । प्रहरी सवारी चेकजाँचक क्रममे बा ५ ख ६८१९ नम्बरके राजविराजसँ काठमाण्डू जा रहल हायस गाडीसँ डि लेक्स डिसि (सिरब) ६ सय एम एल के सय बोत्तल आ नाइट्रोभेट ट्याब्लेट ६ सय पिस बरामद कएलक अछि । तहिना बा ३ ख ७४६८ नम्बरके कटारीसँ काठमाण्डू जा रहल यात्रुवाहक बससँ डि लेक्स डिसि १ सय एम एलके २९ बोत्तल आ आधा लिटरके ३ टा ड्युके बोत्तलमे नुका कऽ रखने ६ सय एम एल के डिलेक्स डिसि (सिरब) लागूऔषध बरामद कएलगेल बर्दिबास प्रहरी जनओलक अछि ।
हायस गाडीमे लागु औषध लऽ जा रहल सिराहके विष्णुपूर गामपालिका वार्ड नं —१ घर भेल २५ वर्षीय अमर कुमार शर्मा (ठाकुर) पकराएल अछि तऽ बसमे लागु औषध नुका कऽ लाबएबला अभियुक्त फरार रहल बर्दिबास प्रहरीके प्रहरी नायब उपरीक्षक खगेन्द्र खड्का जनओलन्हि अछि । घटना विषयमे विशेष अनुसन्धान भऽ रहल बताओलगेल अछि ।

Read More »

निर्मला हत्याकान्डः एआइजी बस्नेतक टोलीले प्रतिवेदन बुझओलक

काठमाण्डू पुस ०३ गते ।कन्चनपुरक १३ वर्षीया बालिका निर्मला पन्तके बलात्कारक बाद हत्या भेल घटना छानबिन करबालेल गठित नेपाल प्रहरीके एआइजी धीरु बस्नेतक टोली सोमदिन प्रहरी महानिरीक्षक सर्वेन्द्र खनालकेँ प्रतिवेदन बुझओलक अछि । गत भादव ३१ गते गठित अनुसन्धान टोली ४६० पृष्ठ लम्बा प्रतिवेदन बुझओलक अछि । प्रतिवेदनमे अनुसन्धानकाक्रममे ३६ गोटेकेँ नियन्त्रणमे लेलगेलामेसँ ८ गोटे ‘पोलीग्राफी टेस्ट’ मे झुठ बाजल उल्लेख अछि ।
तहिना, निर्मलाके हत्या भेल २४ दिनक बाद घटनास्थलमे नकली प्रमाणसभ राखलगेल, कन्चनपुरक तत्कालीन डीएसपी अंगुर जिसी पोलीग्राफी टेस्ट करए नहि मानने आ अनुसन्धानक क्रममे एआइजी धीरु बस्नेतकेँ टेलिफोनमार्फत् धम्की देने सेहो उल्लेख अछि । टेलिफोनसँ धम्की देबएबला व्यक्ति छानबिन समितिमे रहल दु गोटे सदस्यके नाम लैत ओसभ ‘अपन आदमी’ रहल कहने आ ओहि अडियो टेप सेहो प्रतिवेदनमे समेटलगेल बुझबामे आएल अछि ।
अनुसन्धान टोलीमे ११ गोटे सदस्य रहल अछि जाहिमे नेपाल प्रहरीके प्रवक्ता सेहो रहल एसएसपी उत्तम सुवेदी आ एसपी डा. गणेश रेग्मी प्रतिवेदनमे हस्ताक्षर नहि कएने उच्च स्रोत जनओने अछि । एआइजी बस्नेत नेतृत्वक टोलीमा गणेश रेग्मी, उत्तम सुवेदी, निरजबहादुर शाही, रमेश थापा, सन्तोष आचार्य, ज्ञानेन्द्रबहादुर बस्नेत, दधिराम न्यौपाने, कौशलकुमार बुढाथोकी, दीपककुमार कार्की आ सुमन थापा रहल अछि । प्रहरी महानिरीक्षक खनाल हमरासभसँग बात करैत टोली अपनाकेँ प्रतिवेदन बुझओने आ प्रतिवेदनअनुसार कारबाही आगा बढएबाक बतओलन्हि ।

Read More »

प्रहरी आ स्थानीयबीचक झडपमे अश्रुग्यास प्रहार

रौतहट पुस ०३ गते ।रौतहटके बिर्तामे प्रहरी आ स्थानीयबीच झडप भेल अछि । गरुडाके विर्तामे दु समूहबीचक विवाद मिलाबए गेल प्रहरीकेँ लक्षित करैत स्थानीयबासीके समूह पाथैर प्रहार कएला बाद प्रहरी किछु सेल अश्रुग्यास प्रहार कएने छल । घटनाके विषयमे जानकारी दैत रौतहटके प्रमुख जिल्ला अधिकारी लोखनाथ पौडेल स्थिति सामान्य रहल बतओलन्हि । पौडेल कहलन्हि, ‘ई नयाँ सिर्जित समस्या नहि अछि । गरुडाके बिर्तामे विगत लम्बा समयसँ दु समूहबीच झगडा होइत आएल अछि । एखनो एहि विषयमे दुनु समूहबीच विवाद भेलासँ ओहिकेँ व्यवस्थापन करबालेल प्रहरी प्रशासन तैनाथ भेल अछि ।’ एखन बिर्ता क्षेत्रक स्थिति सामान्य रहल कहैत ओ समूहकेँ उत्तेजित होबएसँ रोकए आ कोनो क्षति होबए नहि देबए प्रहरी किछु सेल अश्रुग्यास छोडने प्रमुख जिल्ला अधिकारी पौडेल बतओलन्हि । घटनास्थलमे एखन नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरीके टोली परिचालन गकएलगेल अछि ।

Read More »

क्याम्पस प्रमुख वार्तामे नहि अएला बाद विद्यार्थी आन्दोलित

जनकपुरधाम पुस ०३ गते । वार्तामे क्याम्पस प्रमुख नहि अएला बाद रामस्वरुप रामसागर बहुमुखी क्याम्पसके विद्यार्थी आन्दोलित भेल अछि । क्याम्पसमे नियमित पठनपाठन कराबएमे असक्षम रहल कहैत क्याम्पस प्रमुख विजयलाल दासकेँ विद्यार्थीसभ रविदिन दुपहरमे कारि मसि पोतने छल । रविदिन क्याम्पस प्रमुख दास सूचना जारी कऽ कऽ सोमदिन भिन्सर ८ बजे वार्ताके समय तय कएन्े छलथि । मुदा वार्ता करबालेल प्रमुख दास नहि अएला बाद विद्यार्थी प्रदर्शनमे उतरल अछि । नियमित पठनपाठन होबए पडत सहितक माँग राखि विद्यार्थीसभ सोमदिन भिन्सर प्रदर्शन कएने छल ।
क्याम्पसमे पठनपाठन सुधार सहितक माँग पूरा नहि करए धरि आन्दोलन जारी रखबाक राष्ट्रिय विद्यार्थी संघक महा–सचिब रन्जित निष्पक्ष जानकारी देलन्हि । क्याम्पस प्रमुख राजिनामे देने कहैत वार्तामे उपस्थित नहि भेल बतओलन्हि ।

Read More »

महन्थ बैकुण्ठ १५ लाख धरौटीमे रिहा

जनकपुरधाम पुस ०३ गते ।जनकपुरधामक रत्नसागर मन्दिरक महन्त बैकुण्ठ दास वैष्णव धरौटीमे रिहा भेल छथि । जनकपुरधामस्थित जनकहजारी विद्यापीठके २ बिघा ११ कट्ठा जमिनके कागज किर्ते कऽ अशोक शर्माके नाममे मोही कायम कऽ कऽ बेचने अभियोगमे पकराएल महन्थ बैकुण्ठ दास १५ लाख धरौटीमे रिहा भेल छथि । सरकारी कागज किर्ते आ ठगी मुद्दाके अभियुक्त बैष्णवकेँ जिल्ला अदालत धनुषा १५ लाख धरौटी लऽ कऽ रिहा करबालेल आदेश देलक अछि । ओही मुद्दामे हुनकासँग सरकारी कागज किर्ते आ ठगी मुद्दाके दोसर अभियुक्त अशोक शर्माकेँ पूर्पक्षक लेल थुनामे पठाबएके आदेश देलक अछि ।
जिल्ला अदालत धनुषाक न्यायाधीश राजेश कट्वालके एक इजलाससँ धरौटीमे थुनामुक्त करबालेल आदेश देने लगले अदालतमे धरौटी जम्मा कएला बाद बैकुण्ठकेँ प्रहरी थुनामुक्त कएने छल । जनकपुरधामक संस्कृत विद्यालयअन्तर्गत हजारी जनक विद्यापीठ भोग चलनमे गुठीके नाममे रहल जमिन किर्ते जालसाजी कऽ कऽ बेचने आरोपमे अगहन १५ गते हुनका प्रहरी काठमाण्डूसँ नियन्त्रणमे लेने छल ।
जनकपुरधाम ८ स्थित गुठीके जमिनके नकली जमिनक मालिक श्रेस्ता बना कऽ अशोक शर्माके नाममे मोही कायम कऽ कऽ बेचने अभियोगमे हुनकाँ अदालत नियन्त्रणमे लेबए आदेश देला बाद ओ फरार छल । हुनका काठमाण्डूस्थित बागबजारके होटेल तिरुपतिसँ नियन्त्रणमे लेलगेल छल । जनकपुरधाम उप–महानगरपालिका ८ क सिट नं. १३५४–१४ किता नं.६२ के क्षेत्रफल ०–२–११ आ सिट नं. १३५४–१५ किता नं. २८ के क्षेत्रफल २–८–१४ रहल जमिनके स्वामित्व ग्रहण कएने तथा सरकारी छाप दस्तखत किर्ते कार्यमे संलग्न रहल अभियोगमे पकराएल छल ।

Read More »

टाटासुमो दुर्घटना ः १० घायल, दु गोटे गम्भीर

रौतहट पुस २ गते । रौतहटके चन्द्रनिगाहपुर निजगढ सडकखण्डमे टाटासुमो दुर्घटना भेलासँ १० गोटे घायल भेल अछि । घायलमेसँ दु गोटेके अवस्था गम्भीर अछि । हुनकासभके आगुके इलाजक लेल काठमाण्डू पठाओलगेल छन्हि । सदरमुकाम गौरसँ काठमाण्डू जा रहल ना १ ज ३९५३ नम्बरके सुपर लालिगुराँस टाटासुमो रविदिन दुपहर पाछाके टायर पन्चर भऽ कऽ दुर्घटना भेल छैक ।
दुर्घटनामे काठमाण्डूके ३६ वर्षीय प्रतिक्षा नेपाल, भोजपुरके २१ वर्षीय गणेश बिक, गौरके १९ वर्षीय महम्मद नाजिर, ओही स्थानक ५० वर्षीय गायत्री यादव, ३६ वर्षीया प्रीतिकुमारी साह, गौर ३ क दिपु जयसवाल, रौतहटके बृन्दावन नगरपालिकाके १२ वर्षीय जीवन चौधरी, ११ वर्षीय भुवन चौधरी, ४५ वर्षीय रामपरिदेवी चौधरी आ टाटासुमोके चालक चन्द्रपुर नगरपालिक जुडिबेलाके विनय चौधरी घायल भेल जिल्ला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय रौतहट जाओलक अछि । घायलमेसँ रामपरी चौधरी आ हुनकर ११ वर्षीय बेटा भुवनकेँ आगुके इलाजक लेल काठमाण्डू पठाओलगेल अछि । अन्य घायलसभके चन्द्रपुर अस्पतालमे इलाज चलि रहल अछि ।

Read More »

राष्ट्रपतिके लेल डेढ अर्बक हेलिकोप्टर

काठमाण्डू पुस २ गते ।सरकार राष्ट्रपति विद्यादेवी भण्डारीके लेल खरिद कएने हेलिकोप्टर काठमाण्डू आबि गेल अछि । इटालीमे बनल अगुस्टा नामक ओ हेलिकोप्टरके मूल्य एक अर्ब ५० करोड रुपैयाँसँ अधिक नेपाली सेना स्रोत जनओलक अछि । ओ हेलिकोप्टर सुविधा सम्पन्न १५ सिट क्षमताके रहल अछि । राष्ट्रपति कार्यालय नेपाल सरकारकेँ हेलिकोप्टर माँग कएला बाद सरकार सुविधा सम्पन्न हेलिकोप्टर खरिद कएलगेल अछि । एखन धरि राष्ट्रपति भण्डारी नेपाली सेनाके हेलिकोप्टर प्रयोग करैत आएल छलीह । नेपाली सेनाके प्रवक्ता ब्रिगेडियर जनरल गोकुल भण्डारी अगुस्टा नेपाल आबि चुकल जानकारी देलन्हि । ओ हेलिकोप्टर अति विशिष्ट व्यक्तिके लेल मात्र प्रयोग कएल जाएत । अमेरिकामे निर्मित दुटा वेल हेलिकोप्टर सेहो किछुए दिनमे नेपाल आबि रहल अछि ।
राष्टपति भण्डारीके लेल सरकार १८ करोड रुपैयाँके गाडी खरिद करबाक निर्णय कऽ चुकल अछि । हेलिप्याड निर्माणक लेल राष्ट्रपति भवन शीतल निवाससँगहि रहल नेपाल प्रहरी प्रशिक्षण प्रतिष्ठान आगा घुसकाबएके निर्णय सेहो सरकार कएलक अछि । ई दुनु निर्णयके चौतर्फी आलोचना भऽ रहल समय राष्ट्रपतिके लेल फेरसँ महँगा हेलिकोप्टर खरिद कएलगेल अछि ।
नेपाली सेनाके लाइट तथा अत्याधुनिक एमआई–१७ हेलिकोप्टर पछिला समय रक्षा मन्त्रालय दुरुपयोग करैत आएल अछि । एहि हेलिकोप्टरसँ सर्वसाधारणकेँ अत्यावश्यक उद्धार कएलापर सेना घन्टाके पाँच लाख रुपैयाँ लैत आएल अछि । मुदा गृहमन्त्री रामबहादुर थापा आ रक्षामन्त्री ईश्वर पोखरेल नेपाल कम्युनिस्ट पार्टीके नेता तथा कार्यकर्ताके लेल निःशुल्क तथा इन्धनमात्र रखने भरमे गत अगहनमे मात्र ७० घन्टासँ अधिक हेलिकोप्टर उडओने नेपाली सेना स्रोत जनओलक अछि ।

Read More »
1 33 34 35 36 37 61