भिडियो

प्रदेश आ स्थानीय सेवा ऐनके लेल मापदण्ड तैयार

काठमाण्डू माघ ०८ गते । सङ्घीय मामिला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्रालय ‘प्रदेश निजामती सेवा ऐन’ आ ‘स्थानीय सेवा ऐन’ बनाबए मापदण्ड तैयार कएलक अछि । प्रदेश आ स्थानीय तहके अपन ऐन बनाबए पडलासँ ओहि ऐनके लेल आवश्यक मापदण्ड मन्त्रालय तैयार कएने मन्त्रालयके सचिव दिनेशकुमार थपलिया जानकारी देलन्हि । मन्त्रालय प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्के कार्यालय आ कानून, न्याय तथा संसदीय मामिला मन्त्रालयसँ स्वीकृत लऽ कऽ ओ मापदण्ड तैयार कएलक अछि । मापदण्डके आधारमे प्रदेश आ स्थानीय तह अपन अपन ऐन बनाबएबला सचिव थपलिया बतओलन्हि । हुनका अनुसार मापदण्डमे प्रदेश आ स्थानीय तह कर्मचारी भर्ना प्रदेश लोकसेवासँ करए पडत, सभ स्थानीय तहकेँ एकीकृत प्रणालीमे राखलगेल, प्रदेशभितर रहल स्थानीय तहक कर्मचारीके सरुवा एक स्थानीय तहसँ दोसरमे होबएबला, कोन कोन तहमे खुला आ बढुवा राखब सहितक बात समेटलगेल अछि । प्रदेश ऐनमे प्रदेश किताबखाना सेहो रहबाक व्यवस्था कएलगेल अछि । प्रदेश मातहतके कार्यालयके सरुवा बढुवा प्रदेश मन्त्रिपरिषद् करबाक उल्लेख सेहो कएलगेल ओ बतओलन्हि । तहिना मन्त्रालय सङ्घीय निजामती सेवा विधेयक स्वीकृतके लेल मन्त्रिपरिषद्मे पठओलक अछि ।

Read More »

अहा चन्द्रमुखी छि/ New Maithili song CHANDRAMUKHI- Ashok Aryan Yadav/ Priyanaka/Anju yadav/Devkrisna

अहा चन्द्रमुखी छि/ New Maithili song CHANDRAMUKHI- Ashok Aryan Yadav/ Priyanaka/Anju yadav/Devkrisna

Read More »