देश

माघ १० गते कांग्रेस बैठक

काठमाण्डू पुस २२ गते ।नेपाली कांग्रेस केन्द्रीय कार्यसमितिके बैठक याह माघ १० गते भिन्सर ११ बजे पार्टी केन्द्रीय कार्यालय सानेपामे बैसए जा रहल अछि । अगहन ८ गते राजधानीमे सम्पन्न महासमिति बैठक पारित कएने पार्टीके विधान मस्यौदा, राजनीतिक प्रस्ताव सहितक विभिन्न प्रस्ताव अनुमोदन कऽ कार्यान्वयनमे लऽ जाए लेल बैठक बजाओलगेल अछि । अगहन २९ गते सुरु भऽ कऽ पुस ८ गते सम्पन्न महासमिति बैठक परिमार्जन सहित पारित कएने प्रस्तावकेँ केन्द्रीय समिति बैठक अन्तिम रुप देबाक बताओलगेल अछि । संशोधित विधानमे केन्द्रसँ प्रदेश, जिल्ला आ निर्वाचन क्षेत्र होइत टोल धरि ८ तहक संरचना बनत ।

Read More »

सरकारी छानविन उपर देउवा उठओलन्हि प्रश्न

विराटनगर पुस २२ गते ।विपक्षी दलक नेता शेरबहादुर देउवा वाइडबडी विमान छानविन करबालेल सरकार बनआने उच्चस्तरीय आयोग उपर प्रश्न उठओलन्हि अछि । सार्वजनिक लेखा समिति अन्तर्गतक उपसमिति छानविन प्रतिवेदन तैयार कएने परातभने सरकार आयोग बनओने छल । एहिसँ वाइडबडीमे भेल भ्रष्टाचार नकाबएके प्रयास कएने अछि कि एहि विषयमे आशंका उत्पन्न भेल देउवा बतओलन्हि ।
नेपाल राष्ट्रिय मगर संघ मोरङ्गके लेटाङ्गमे शनिदिन आयोजना कएने प्रदेशस्तरीय प्रशिक्षण कार्याक्रममे कांग्रेस सभापति देउवा कहलन्हि, ‘वाइडबडीमे जे भ्रष्टाचार भेल अछि , छानविन कमिटी बना कऽ ओहिकेँ नुकाबएके प्रयास भेल अछि ? बचाबएके प्रयस कएलगेल अछि ई शंका जायज अछि ।’ हमरासभक पार्टी विपक्षमे रहला बादो वाइडवडी प्रकरणमे भ्रष्टाचार कएन्हिारसभकेँ कोनो हालतमे नहि छोडबाक ओ बतओलन्हि । देउवा कहलन्हि, ‘ जे हुए, हमरासभक पार्टी नहि छोडत ।’
सरकार उद्योगी व्यापारीुभकेँ दुःख देने आ कर उपर कर बढओने कांग्रेस सभापति देउवाके आरोप छन्हि । ‘ओहि कारण हम ओलीके नाम करप्रसाद ओली रखने छी’ ओ कहलन्हि । सरकार कर लगा कऽ पैसा असुलएके काज मात्र कएने कहैत ओ एहिकेँ कांग्रेसले गम्भीरतापूर्वक लेने बतओलन्हि ।

Read More »

फोरम प्रधानमन्त्रीकेँ स्मरण करओलक संविधान संशोधनके बाचा

काठमाण्डू पुस २२ गते ।सत्तारुढ संघीय समाजवादी फोरम उपयुक्त समयमे संविधान संशोधन करबाक बाचा प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीकेँ स्मरण करओलक अछि । राष्ट्रिय जनता पार्टी संविधान संशोधनक लेल दबाव दऽ रहल समय सत्तारुढ फोरम सेहो याह मुद्दा उठओने अछि । उपप्रधान तथा स्वास्थ्यमन्त्री उपेन्द्र यादवसहित फोरमके नेतासभ शनिदिन प्रधानमन्त्री ओलीकेँ भेंट कऽ संसदके जारी शितकालीन अधिवेशनसँ संविधान संशोधन करबालेल माँग कएने अछि ।
भेंटमे सत्तारुढ नेकपा अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड सहितक नेतासभ उपस्थित छलथि । फोरमके नेतासभ ११ सूत्रीय माँगसहित स्मरण पत्र सेहो बुझओने अछि । ‘सरकारकेँ सहयोग करबालेल संयुक्त कार्यदल बनाबए परल । संविधान संशोधनके गृहकार्य शुरु करए पडत कहने छी’ सहअध्यक्ष राजेन्द्र श्रेष्ठ कहलन्हि । आवश्यक गृहकार्य कऽ संसदके याह सत्रमे संविधान संशोधन करए पडत फोरमे माँग अछि । उपयुक्त समयमे संविधान संशोधन करबाक सहमति करैत फोरम सरकारमे गेल छल मुदा, ओ एखन धरि एहि विषयमे किछु नहि कहने छल । जवाबमे प्रधानमन्त्री ओली संविधान संशोधनक लेल अपने सकारात्मक रहल बतओलन्हि अछि ।
फोरमले प्रदेश सरकार सबल बनाबए पडत, कर्णाली आ प्रदेश २ क विकासक लेल स्पेशल प्याकेज बनाबए पडत, मधेस तथा थरुहट आन्दोलनके क्रममे नेता कार्यकर्ता उपर लागल मुद्दा फिर्ता लेबए पडत माँग सेहो आगा बढओने अछि ।

Read More »

पूर्वराष्ट्रपति यादव फेर डाक्टरी सेवामे

जनकपुरधाम पुस २२ गते ।पूर्वराष्ट्रपति डा. रामवरण यादव चिकित्सकीय सेवामे घुरबाक संकेत कएलन्हि अछि । बिपी स्मृति सामुदायिक सहकारी अस्पतालके ११ अम वार्षिक साधारणसभाकेँ शनिदिन सम्बोधन करैत पूर्वराष्ट्रपति यादव चिकित्सकीय सेवामे घुरबाक संकेत कएलन्हि अछि । ओ सरकारी अस्पतालमे दैनिक एक घण्टा सेवा करएजँका काज करबाक सोच बनओने बतओलन्हि । पूर्वस्वास्थ्य मन्त्री सेहो रहल यादव राजनीतिमे आबएसँ आगा बिपी कोइरालाके निजी चिकित्सक सेहो छलथि । भारतक कोलकत्तामे चिकित्सा शिक्षा अध्ययन कएने ओ कोइरालाके संगतमे राजनीतिमे आएल रहथि । ओ मेडिसिन विशेषज्ञ छथि ।

Read More »

स्थानीय तहविरुद्ध मन्त्री साहक आक्रोश

जनकपुरधाम पुस २२ गते ।प्रदेश २ क सामाजिक विकासमन्त्री नवल किशोर साह जनकपुर उपमहानगरपालिकासहित अन्य स्थानीय तहक कामकार्यबाहीप्रति असन्तुष्ट देखलगेल छथि । विभिन्न वहानामे करवृद्धि करब मुदा जनताके सामान्य सुविधा सेहो उपलब्ध नहि करा सकब स्थानीय तहक नियती बनि चुकल मन्त्री साह बतओलन्हि अछि ।
धनुषा चेम्बर अफ कमर्स शनिदिन जनकपुरमे आयोजना कएने कम्बल वितरण कार्यक्रममे मन्त्री साह कलन्हि,‘हजार प्रतिशतधरि कर वृद्धि कएलगेल अछि । मुदा जनता सामान्य राहत नहि पाबि सकल अछि ।’
‘गर्म कपडाक अभावमे विपन्न समुदाय समस्या झेलए पर बाध्य अछि,’ ओ कहलन्हि,‘करके दायरा बढाबएबला स्थानीय तह जनताके राहत नहि दऽ सकल अछि ।’
कार्यक्रममे धनुषा चेम्बर अफ कमर्स १०१ विपन्न तथा असहाय परिवारबीच कम्बल वितरण कएने छल । कमर्सक अध्यक्ष विजय साहक अध्यक्षतामे सम्पन्न कार्यक्रममे पूर्व मेयर बजरंगप्रसाद साह, जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक पूर्व अध्यक्ष प्रकाशचन्द्र साह सहितक व्यक्तिके उपस्थिति छलन्हि ।

Read More »

‘भारतसँ दुटा रेलगाडी खरिद करबाक तैयारी’

जनकपुरधाम पुस २२ गते ।जनकपुर–जयनगर रेल सञ्चालन हएबामे एखनो ३÷४ महिना प्रतिक्षा करबाक अवस्था अछि । डिसेम्बर २०१८ सँ रेल सञ्चालन होएत कहलगेलाक बादो पूर्वाधारसभ तैयार नहि भेलाक कारण जनकपुर–जयनगर रेल सेवा सञ्चालनमे नहि आबि सकल अछि ।
रेल सञ्चालन करबालेल स्टेशन, कार्यालयसहितक भौतिक पूर्वाधारसभ तैयार भऽ गेलाक बादो ट्रयाक एखनो तैयार नहि भऽ सकल अछि । तहिना अपन इन्जिन आ दक्षजनशक्ति नहि रहलाक कारण अनुमान कएलगेल समयमे रेल सञ्चालन नहि भऽ सकल रेलवेक अधिकारीसभ बतबैत छथि ।
ब्रोडगेज रेलमार्ग तैयार हएबाक अवस्थामे रहलाक बादो रेलगाडीक सम्बन्धमे असमन्जस्ता कायम छल । ट्रयाक निर्माण आ रेलगाडी खरिद प्रक्रिया पुरा करबामे न्यूनतम ३÷४ महिनाक समय लगलाक कारण रेल सञ्चालनमे एतेक समय लागि सकैत अछि बताओलगेल अछि ।
मुदा रेल विभागक निर्देशक बलराम मिश्र जनकपुर–जयनगर रेलमार्गमे सञ्चालन करबालेल अपने रेल खरिद करबाक तैयारी भऽ रहल बतओलन्हि अछि ।
सरकार तत्काल १ अर्ब खर्च कऽ कऽ भारतसँ दुटा रेलगाडी खरिद करबाक तैयारी कएने मिश्र जानकारी देलन्हि । अपने रेल खरिद कएलाक बादो जनशक्ति भारतसँ लएबाक बाध्यता रहल हुनकर कहब छन्हि ।
‘पहिल चरणमे भारतसँ दुटा रेल खरिद करबाक बात चलि रहल अछि,’ निर्देशक मिश्र कहलन्हि,‘रेल अपने रहलाक बादो जनशक्ति भारतसँ लएबाक अवस्था अछि ।’ रेल चलाबएलेल नेपालमे दक्ष प्राविधिक नहि रहलाक कारण कमसँ कम एक वर्षके लेल भारतसँ प्राविधिक लएबाक तैयारी रहल मिश्र बतओलन्हि । रेलगाडी खरिद करबालेल १० जनवरी धरि भारतस सम्झौता पुरा भऽ जाएत हुनकर कहब छलन्हि ।
‘एक वर्षके लेल हमसभ लिजमे भारतसँ प्राविधिक लाबि रहल छी,’ ओ कहलन्हि,‘एहि अवधिमे ओसभ प्रशिक्षण देलाक बाद अपने जनशक्ति तैयार भऽ जाएत ।’ मिश्रक अनुसार रेल चलाबएलेल चालक, स्टेशन मास्टरसहितक प्राविधिक जनशक्ति भारतसँ आओत । भारतसँ आनल जाएबला जनशक्तिके विषयमे लिस्टिङ भऽ रहल ओ जानकारी देलन्हि ।
जनकपुर–जयनगर रेलमार्गमे रेलगाडी खरिद करबालेल ५० करोड बजेट विनियोजन कएलगेल अछि । आ, अर्थ मन्त्रालय आओर ५० करोड देबाक सहमति जनओने अछि ।
भारतसँ खरिद कएल जा रहल रेलगाडी आधुनिक रहत बताओलगेल अछि । इन्जिनसहित ६ टा बोगीमे एकबेरमे १२÷१३ सय यात्री यात्रा कऽ सकत निर्देशक मिश्र बतओलन्हि । प्रति बोगी ७५ सीट क्षमता रहल रेलगाडी भारतसँ खरिद कऽ कऽ लएबाक तैयारी रहल ओ बतओलन्हि ।
एहिसँ पहिने रहल छोटी लाइनके हटा कऽ जयनगर–जनकपुर–कुर्था धरि ब्रोडगेज रेलमार्ग निर्माण कएलगेल अछि । भारतीय निर्माण कम्पनी इस्कोन ट्रयाक, स्टेशसनसहितक निर्माण कार्य कएने अछि । निर्माण कार्य सम्पन्न हएबामे बाँकी रहलाक कारण भारतीय निर्माण कम्पनी नेपालकेँ हस्तान्तरण नहि कएने अछि ।
सन् २०१४ सँ ब्रोडगेज रेलमार्ग निर्माण काज शुरु भेल छल । निर्माण काम शुरु भेलाक बाद जनकपुर–जयनगर रेलसेवा पछिला पाँच वर्षसँ बन्द अवस्थामे अछि । पहिल चरणमे जयनगर–जनकपुर तकरबाद क्रमशः कुर्थासँ महोत्तरीक बिजलपुरा होइत बर्दिवासधरि रेल चलएबाक योजना अछि ।

Read More »

‘सिद्धान्त अनुसार लोकतन्त्रक अभ्यास नहि भऽ सकल’

जनकपुरधाम २० गते । देशमे लोकतन्त्र अओलाक बादो सिद्धान्त तहत अभ्यासमे नहि आबि सकल राजनीतिज्ञ तथा बुद्धिजीवीसभ बतओलन्हि अछि । नेपाल समय मिडिया प्रालि वृहस्पतिदिन जनकपुरमे आयोजना कएने ‘लोकतन्त्र आ विकासमे जनसहभागिता’ विषयक चर्चामे सहभागीसभ ई बात बतओलन्हि अछि ।
कार्यान्वयनम अओलाक बादो जनता विगतके शासन प्रणालीसँ अधिक अन्तर महसुस नहि कऽ सकलाक कारण लोकतन्त्रक मोडलक विषयमे सोँचबाक अवस्था आबि चुकल ओसभ बतओलन्हि अछि । नेपालक लोकतन्त्र हरेक निर्वाचनमे मत खसा कऽ प्रतिनिधि चयन करबाक काजधरि मात्र सीमित रहल सहभागीसभ उल्लेख कएलन्हि अछि ।
चर्चामे बजैत नेपाल काँग्रेस प्रदेश २ क संसदीय दलक नेता रामसरोज यादव लोकतन्त्र होइत संघीयताधरि पहुँचलाक बादो जनता पूर्ण रुपेँ अनुभूति नहि कऽ सकल बतओलन्हि अछि ।
‘लोकतन्त्र आ संघीयता पूर्ण रुपेँ कार्यान्वयनमे नहि आबि सकल अछि,’ नेता यादव कहलन्हि,‘कमजोर तप्काके नागरिक एखनो लोकतन्त्र आ गणतन्त्रक अनुभूति नहि कऽ सकल अछि ।’ लोकतन्त्र आ संघीयताके मजबुत बनाबएलेल संवैधानिक अंगसभकेँ स्वतन्त्र छोडबा पर हुनकर जोड छलन्हि । देशक विकासके लेल सम्पूर्ण सरोकारबलामे समर्पण आ नैतिकता आवश्यक रहल हुनकर कहब छलन्हि ।
राजपाक सचेतक परमेश्वर साह लोकतान्त्रिक पद्धतीमे समावेशी सहभागिता रहलाक बादो विगतकेँ एकात्मक सोँचमे परिवर्तन नहि आबि सकल बतओलन्हि अछि ।
केन्द्रीकृत शासन प्रणालीमे अभ्यस्त व्यक्तिसभ अपन सोँचमे परिवर्तन नहि लाबए धरि जनता लोकतन्त्र आ विकासक अनुभूति नहि कऽ सकत हुनकर कहब छलन्हि । देशक विकासके लेल नेतृत्व आ जनसहभागिता महत्पूर्ण रहल साह बतओलन्हि ।
नेकपाक सांसद रामचन्द्र मण्डल प्रजातन्त्र मतदानमेमात्र सीमित रहल तर्क कएलन्हि । लोकतन्त्रमे मतदान पद्धत भ्रष्टाचार करबाक प्रमुख स्रोतके रुपमे विकसित होइत आएल बतबैत लोकतन्त्रसँ एखनधरि कर्मचारीतन्त्र मात्र लाभान्वित भेल उल्लेख कएलन्हि अछि ।
सुरक्षा निकायके लेल लोकतन्त्र लाभकारी सावित भेलाक बादो आमजनताके लेल अधिक प्रभावकारी नहि भऽ सकल हुनकर कहब छलन्हि । लोकतान्त्रिक प्रणालीके कारण समाज विकृत होइत आएल बतबैत मण्डल लोकतन्त्रक पूर्नसंरचनातर्फ सोँचबाक अवस्था आएल स्पष्ट कएलन्हि अछि ।
वरिष्ठ पत्रकार एवम साहित्यकार रामभरोस कापडि लोकतन्त्रमे जनता नेतृत्व चयन करबाक अवसर पओलक मुदा नेतृत्वक सोँचमे कोनो परिवर्तन नहि आबि सकल उल्लेख कएलन्हि अछि । केन्द्रीय कर्मचारीतन्त्रक भावना परिवर्तन नहि भऽ सकलासँ नागरिक लोकतन्त्रक वास्तविक अनुभूति नहि कऽ सकल हुनकर कहब छलन्हि ।
नेपाली जनता संघर्ष कएने अनुसार संविधान नहि आबि सकल बतबैत वरिष्ठ पत्रकार कापडि विकास निर्माण, अधिकारसहितक विषयमे खास वर्गमात्र सीमित रहलाक कारण सेहो लोकतन्त्रप्रति नैराश्यता उत्पन्न होइतगेल उल्लेख कएलन्हि ।
पत्रकार श्यामसुन्दर शशी एखनुक लोकतन्त्रक ‘मोडल’ उपयुक्त नहि रहल तर्क कएलन्हि । चुनावमे पराजित भेलाक बाद पाँच वर्षके लेल अपनाके राजा बुझि रहल कहैत शशी जनताक भावनाअनुसार काज नहि करएबलाके पुनः फिर्ता बजएबाक व्यवस्था रखबा पर जोड देलन्हि अछि । तहिना निक नहि लागएबला नेताकेँ मतदानक क्रममे ‘राइट टु रिजेक्ट’ सम्बन्धी विकल्प सेहो जनताके भेटबाक चाही ओ बतओलन्हि । पारम्परिक लोकतान्त्रिक मान्यताअनुसार देश आगु बढि रहल कहैत ओ एकर प्रारुप परिवर्तन करबातर्फ सोँचब आवश्यक रहल उल्लेख कएलन्हि ।
नेपाल मिडिया प्रालिक सम्पादकीय निर्देशक मुमाराम खनालक अध्यक्षतामे सम्पन्न कार्यक्रममे स्तम्भकार केशव दहालक सेहो उपस्थिति छल ।

Read More »

‘ऐन कानुन बना कऽ मात्र छुवाछुत अन्त नहि होएत’

जनकपुरधाम २० गते । प्रदेश २ क मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत ऐन कानुन बना कऽ मात्र जातीय भेदभाव आ छुवाछुत अन्त नहि होएत दावा कएलन्हि अछि । राउत छुवाछुत आ भेदभाव अन्त करबोल कानुन कार्यान्वयन करएबला निकायकेँ इमान्दार हएबा पर जोड देलन्हि अछि ।
‘ऐन कानुनके कमी नहि अछि,’ राष्ट्रिय मानव अधिकार आयोग आ दलित गैर सरकारी संस्था महासंघ वृहस्पतिदिन जनकपुरमे आयोजना कएने प्रादेशिक सम्मेलनमे बजैत राउत कहलन्हि,‘कानुनसँ मात्र जातीय विभेद अन्त होबएबला नहि अछि । कार्यान्वयनके लेल सम्बन्धीत पक्षके इमान्दार होबए परत ।’
मुख्यमन्त्री राउत राज्य पक्ष इमान्दार नहि होबए धरि जातीय भेदभाव तथा छुवाछुत अन्त नहि होएत स्पष्ट कएलन्हि अछि । प्रदेश २ क दलितसभक अवस्थामे सुधार लाबएलेल तथा सामाजिक न्यायक अनुभूति दिआबएलेल प्रदेश सरकार दलित सशक्तिकरण ऐन संसदमे पठा चुकल राउत जानकारी देलन्हि । संसदसँ एने पारित हएबाक संगहि जातीय भेदभव आ छुवाछुत सन समस्या अन्त होएत राउत दावा कएलन्हि ।
दलित, मुस्लिम, महिलासहित उत्पीडनमे परल समुदायक उन्नती नहि होबएधरि देश समृद्ध नहि भऽ सकत कहैत राउत ओहि वर्गके लेल प्रदेश सरकार विशेष कार्यक्रम लाबि रहल विश्वास दिओलन्हि ।
राष्ट्रिय मानव अधिकार आयोग प्रदेश कार्यालयक प्रमुख वीरबहादुर बुढाथोकीक अध्यक्षतामे सम्पन्न कार्यक्रममे सामाजिक विकास मन्त्री नवलकिशोर साह, मुख्यन्यायधीवक्ता दीपेन्द्र झा, मानव अधिकार आयोगक सदस्य प्रकाश वस्तीसहितक व्यक्तिसभ सम्बोधन कएने छलथि ।

Read More »

सांसद रेशम चौधरी सपथके बाद फेर जेलमे

काठमाण्डू पुस २० गते ।कैलाली क्षेत्र नम्बर १ सँ प्रतिनिधिसभा सदस्यमे निर्वाचित भेल एक वर्षक बाद रेशम चौधरी पद तथा गोपनियताके सपथ लेलन्हि अछि । सिंहदरबारस्थित कृषि तथा सहकारी समितिके सभाहलमे वृहस्पतिदिन दुपहर सभामुख कृष्णबहादुर महरा चौधरीकेँ सांसद पदके सपथ ग्रहण करओलन्हि अछि । चौधरी सांसद पदके सपथ थारु भाषामे लेने छलथि । चौधरीकेँ सांसद पदके सपथ ग्रहण करएबालेल प्रहरी डिल्लीबजारस्थित कारागारसँ गाडीमे राखि कऽ सिंहदरबार लाओलगेल छल । प्रहरीके घेरामे सांसद पदके सपथ लेबए सिंहदरबार पहुँचल सांसद चौधरी पत्रकारसभसँग बातसचत करैत प्रश्न कएने छलथि –सांसदके लोगो लगओलाबाद फेरसँ जेलमे जाए पडत ? आ, भेल तहिना, सांसदके सपथ खएला बाद प्रहरी सांसद चौधरीकेँ पुर्पक्षक लेल राखलगेल डिल्लीबजार कारागारमे फिर्ता लऽ गेल अछि ।
सांसद चौधरी सांसदके सपथ खुएला बाद जेल पठाबि सकैत अछि कहि प्रश्न कएलन्हि । ओ कहलन्हि,‘ भर्खर मात्र सभामुख शपथ करओलन्हि । ई लोगो लगओने छी । ई लोगो सांसदके लोगो अछि । एक गोटे सांसदकेँ शपथ खुवा कऽ कारागार पठाबि सकैत अछि कि नहि ? एहि लोगोके सम्मान कि अछि ?’ २०७२ भादव ७ गते कैलालीके टीकापुरमे भेल थारु आन्दोलनक क्रममे एक नाबालक, एसएसपी लक्ष्मण न्यौपानेसहित आठ सुरक्षाकर्मीके मृत्यु भेल छल । ओही आन्दोलनके नेतृत्व कएने चौधरी उपर आरोप लागल अछि । टीकापुर घटनाके मुख्य आरोपी चौधरीविरुद्ध प्रहरी कर्तव्य ज्यान, हत्याक प्रयास आ डाँकाचोरी मुद्दा दर्ता कएने छल ।
टीकापुर घटना बाद फरार रहल चौधरी वारेसनामा मार्फत उम्मेदवारी दर्ता करा कऽ कैलाली क्षेत्र नम्बर १ सँ प्रतिनिधिसभा निर्वाचनमे विजयी भेल रहथि । फरार रहल चौधरी गत फागुनमे कैलाली जिल्ला अदालतमे आत्मसमर्पण कएने छलथि । ओहिके बाद हुनका प्रहरी पुर्पक्षक लेल डिल्लीबजारस्थित कारागारमे रखने अछि ।

Read More »

प्रदेश सांसद कमलद्धारा घरभाडाक रकम फिर्ता करबाक घोषणा

जनकपुरधाम २० गते । जनकपुरमे घर रहल सांसदसभ सेहो घरघाडालेल पैसा लैत आबि रहल समाचार सञ्चारमाध्यममे अओलाक बाद प्रदेश २ क एक सांसद पैसा फिर्ता करबाक घोषणा कएलन्हि अछि ।जनकपुरमे घर रहल सांसद नेकपाक सांसद किशोरी साह कमल घर भाडा शीर्षकमे प्रदेशसभा सचिवालयसँ लेने सम्पूर्ण रकम फिर्ता करबाक घोषणा कएने छथि ।सांसद कमल वृहस्पतिदिन प्रदेशसभा सचिवालयमे पत्र पठा कऽ घरभाडा शीर्षकमे एखनधरि लेने सम्पूर्ण रकम फिर्ता करए जा रहल जानकारी करओने छथि ।
जनकपुरेमे घर रहल सांसदसभ सेहो घर भाडालेल प्रदेशसभासँ सुविधा लैत आबि रहल समाचार सञ्चारमाध्यमसँ जानकारी भेलाक बाद रकम फिर्ता करबाक निर्णय कएने सांसद कमल बतओलन्हि अछि ।ओ विगत ११ महिनामे प्रति महिना १५ हजारके दरसँ लेने १ लाख ६५ हजार रकम फिर्ता लेबएलेल प्रदेशसभा सचिवालयमे पत्र पठओने जानकारी देलन्हि अछि ।
आब भेटएबला दरम्हामेसँ घरभाडा शीर्षकके पछिला सम्पूर्ण रकम फर्छयौट कऽ कऽ मात्र दरम्हा पठाबएलेल ओ प्रदेशसभा सचिवालयमे पत्र पठओलन्हि अछि । ओ घरभाडासँ अधिक पैसा विपन्न समुदायक उत्थान, विद्यालय आ खानेपानी सहितक क्षेत्रमे खर्च कऽ चुकल दावा कएलन्हि अछि ।
‘जनकपुरेमे घर रहल सांसदसभकेँ घरभाडाके लेल पैसा लेब उचित नहि अछि,’ सांसद कमल कहलन्हि,‘मुदा हमरासभकेँ दरम्हा आ घरभाडा एकमुष्ट बैंक खातामे पठाओलगेला कारण ऐना भेल अछि ।’
जनकपुर घर रहल सांसदसभमे घरभाडा शीर्षकक रकम फिर्ता करबाक घोषणा करएबला कमल पहिल सांसद छथि । जनकपुर घर रहल १४ टा सांसद प्रदेशसभा सचिवालयसँ घर भाडालेल पैसा लैत आबि रहल छथि ।
तहिना प्रदेशसभाक अधिकांश सांसदसभ स्वकीय सचिव नहि राखि कऽ तलब लैत आबि रहल सांसद कमल आरोप लगओलन्हि अछि । ‘प्रदेशसभाक १०७ सांसदमेसँ ९० प्रतिशत स्वकीय सचिव नहि रखने छथि,’ ओ कहलन्हि,‘मुदा श्रीमान्–श्रीमती आ बेटाके स्वकीय सचिव बना कऽ सुविधा लैत आबि रहल छथि । ई गलत काज अछि ।’
प्रदेशसभा सचिवालय सांसदसभक स्वकीय सचिवके लेल मासिक ३० हजार १ सय ५० रुपैयाँ तलब दैत आबि रहल अछि ।

Read More »
1 39 40 41 42 43 67