देश

तिलकोत्सव सम्पन्न, आई मटकोर

जनकपुरधाम २५ गते ।त्रेता युगमे भगवान राम आ सीताक विवाह भेल मान्यताकेसँग रामजानकी विवाह महोत्सव अन्तर्गत भव्यताके साथ सोमदिन तिलकोत्सव कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि । वैवाहिक कार्यक्रमपूर्व राम मंदिर प्रांङणमे धार्मिक समारोहके बीच तिलकोत्सव कार्यक्रम सम्पन्न भेल छल । जानकी मंदिरके महन्थ रामतपेश्वर दास आ राम मंदिरक महन्थ राम गिरी तथा विवाह महोत्सवमे बरियातक रुपमे आएल अयोध्याक विशिष्ठ साधु संतक उपस्थितिमे वैवाहिक समारोहक प्रमुख कार्यक्रम तिलकोत्सव सम्पन्न भेल छल ।
तिलकोत्सव कार्यक्रममे माता सीताक पिताके भूमिका निर्वाह कएने जानकी मंदिरक महन्थ दास अयोध्यासँ आएल बरियातसभकेँ दोसल्ला ओढा कऽ स्वागत कएने छलथि । तहिना अयोध्यासँ विभिन्न भूमिकामे आएल साधुसंतसभ सेहो जानकी मंदिरक महन्थ, राम मंदिरक महन्थ, प्रशासनिक निकायक प्रमुख सहितकके दोसल्ला ओढा कऽ सम्मान कएलन्हि । तिलकोत्सव कार्यक्रम चलि रहल समय मिथिला परम्परा अनुसार कन्या पक्षसँ आएल अतिथिसभसँग हँसी मजाक करबाक प्रचलन अछि । तिलकोत्सवके अवसर पर जानकी मंदिरसँ विभिन्न प्रकारक भार राम मंदिर पहुँचएबाक परम्परा सेहो अछि । एहि परम्परा अनुसार जानकी मंदिरक महन्थ दासक नेतृत्वमे जानकी मंदिरसँ गाजाबाज सहित भार लऽकऽ निकलल टोली नगरक विभिन्न भागके परिक्रमा करैत राम मंदिर पहुँचल छल । ४ सयसँ अधिक भार लऽकऽ जानकी मंदिरसँ निकलल टोलीमे उत्तराधिकारी महंथ रामरोशन दास, प्रशासनिक निकाय, सुरक्षा निकाय, स्थानीय समाजसेवी, युवा क्लबक प्रतिनिधि सहितकके सहभागिता छलन्हि । ।
प्रत्येक वर्ष विवाहोत्सव अन्तर्गत मनाओल जाएबला तिलकोत्सव कार्यक्रमके आयोजना स्थानीय महाबिर युवा कमिटी करैत आबि रहल अछि । अन्य वर्षजँका एहुबेर महावीर युवा कमिटी मिथिला परम्परा अनुसार तिलकोत्सव कार्यक्रमके आयोजना कएने छल । तिलकोत्सव कार्यक्रममे अयोध्यासँ बरियातक रुपमे आएल साधुसन्त सहित धनुषाक प्रशासनिक निकायक प्रमुख, सुरक्षा निकायक प्रमुख, विभिन्न सराकारी कार्यालयक प्रमुख सहितकके उपस्थिति छलन्हि । तहिना तिलकोत्सव कार्यक्रम देखबालेल उल्लेख्य संख्यामे श्रद्धालुसभक उपस्थिति छल ।
एहिबीच तिलकोत्सव कार्यक्रमक समापनके संगहि मिथिलाक वैवाहिक परम्परा अनुसार मंगलदिन मटकोर कार्यक्रमके आयोजना होबए जा रहल अछि । एहि अवसर पर जानकी मन्दिरसँ निकलल टोलीद्धारा स्थानीय गंगासागरमे माटि कोरएके परम्परा अछि । मैथिली परम्परा अनुसार मटकोरक दिन पोखरिसँ लाओलगेल माटिसँ विवाहक दिन बेदी निर्माण करबाक प्रचलन अछि । गाजाबाजा सहित जानकी मन्दिरसँ निकलएबला टोली मटकोरकेलेल गंगासागर पोखरि पहुँचल करैत अछि । एहि अवसर पर पैघ संख्यामे तिर्थालु तथा स्थानीय सर्वसाधारणक उपस्थिति रहल करैत अछि ।

Read More »

पञ्जीकरण नहि होबएबला सवारी चलाबएमे प्रतिबन्ध

काठमाण्डू २४ गते । सवारी तथा यातायात व्यवस्था ऐन २०४९ मे भेल व्यवस्था अनुसार अगहन मसान्त धरि यातायात व्यवस्था विभागमे पञ्जीकरण नहि होबएबला सार्वजनिक यातायात पुस १ गतेसँ नहि चलाओल जा सकैत अछि । उद्योग या कम्पनी रजिस्ट्रारके कार्यालयमे दर्ता भऽ कऽ विभागमे पञ्जीकरण कऽ कऽ मात्र सार्वजनिक यातायात चलाबए संसद्के विकास समिति २०७४ भादव ५ गते सरकारकेँ निर्देशन देने छल । एहि सम्बन्धी व्यवस्था करबालेल विभाग गत चैत १८ गते निर्देशिका सेहो जारी कएने छल ।
कम्पनीमे दर्ता भऽ विभागमे पञ्जीकरण करबालेल देलगेल ६ महिना लम्बा समयमे एक हजार ५ सय कम्पनीके करीब हजार सवारी मात्र दर्ता भेल विभागक प्रवक्ता गोकर्णप्रसाद उपाध्याय जानकारी देलन्हि । पुस १ गतेसँ कम्पनीमे दर्ता भऽ कऽ विभागमे पञ्जीकरण नहि भेल सवारी सडकमे चलल तऽ नियन्त्रणमे विभाग जनओलक अछि । एहिसँ आगा संघसंस्था ऐनअनुसार सामाजिक संस्थाका रुपेँ दर्ता भेल यातायात समितिकेँ गत साउनसँ नवीकरण बन्द कएलगेल अछि । सवारी कम्पनीमे दर्ता भऽ कऽ विभागमे पञ्जीकरण कएला बाद यातायात एकाधिकार (सिण्डिकेट) हट्त विश्वास कएलगेल अछि ।

Read More »

सजाओलगेल जानकी मन्दिर

जनकपुरधाम २४ गते ।त्रेता युगमे मर्यादा पुरुषोत्तम राम आ जगज्जननी सीताक विवाह भेल मान्यताके साथ मनाओल जाएबला विवाह पञ्चमीके देखैत जनकपुरक जानकी मन्दिरमे भव्य सजावट कएलगेल अछि । प्रत्येक वर्ष अगहन शुक्ल पञ्चमीके दिन मुख्य समारोह विवाहोत्सवके लक्षित करैत जानकी मन्दिरके भव्यरुपेँ सजाओलगेल अछि । विवाहोत्सवके प्रमुख आकर्षणक केन्द्र जानकी मन्दिरकेँ विभिन्न प्रकारक बल्बसभसँ सजाओलगेल गेलाक कारण एखन मन्दिर भवन आ परिसर प्रकाशमय बनल अछि ।
जानकी मन्दिरके सजाबएलेल करिब ८ लाख मूल्य बराबरके फूल भारतक कोलकत्तासँ आनलगेल अछि । भारतक उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री योगी आदित्यनाथसहित पाँच सयके संख्यामे विशिष्ट अतिथि आबि रहलाक कारण विगतके वर्षसभसँ फरक तरिकासँ एहि वर्ष सर–सजावटसहितक काजके विशेष ध्यान देलगेल अछि ।
विवाहोत्सवके ध्यानमे रखैत हरेकदिन साँझक समय जानकी मन्दिरमे भऽ रहल धार्मिक प्रवचन आ झाँकीके आनन्द लेबएलेल पैघ संख्यामे सर्वसाधारणसभ पहुँचल करैत छथि । अगहन २६ गते होबए जा रहल विवाहोत्सवमे सहभागी होबएलेल नेपाल तथा भारतक विभिन्न स्थानसँ श्रद्धालुसभ जनकपुर पहुँचबाक क्रम शुरु भऽ चुकल अछि ।
सप्ताव्यापी कार्यक्रमके साथ मनाओल जा रहल रामजानकी विवाहोत्सव शुक्रदिनसँ शुरु भऽ चुकल अछि । मिथिला परम्परा अनुसार विभिन्न प्रकारक विधि पुरा करबालेल सात दिनक समय आवश्यक रहलाक कारण रामजानकी विवाहोत्सव सेहो सप्ताहव्यापी कार्यक्रमके साथ मनाओल जाइत अछि ।
पौराणिक परम्परा अनुसार सप्ताव्यापी कार्यक्रम अन्तर्गत पहिल दिन जनकपुर नगर दर्शन, दोसर दिन फूलबारीलीला आ रविदिन धनुषयज्ञ सम्पन्न भऽ चुकल अछि । तहिना चारिम दिन तिलकोत्सव, पाँचम दिन मटकोर, छठम दिन विवाहोत्सव आ सातम दिन रामकलेवा मनाओल जाइत अछि ।
रामायणमा उल्लेख कएलगेल अनुसार विवाहोत्सवके लेल मनाओल जाएबला विभिन्न धार्मिक कार्यक्रम देखबालेल जानकी मन्दिरमे पैघ संख्यामे तिर्थालुसभ आबि रहल जानकी मन्दिरक छोटे महन्थ रामरोशन दास जानकारी देलन्हि । भारतक अयोध्यासँ विवाह करबालेल जनकपुर पहुँचल समय पुरा कएलगेल सम्पूर्ण विधि अनुसार विवाहोत्सव मनाओल जा रहल दास बतओलन्हि । दासक अनुसार अन्य वर्षजँका एहु वर्ष सेहो भव्यताके साथ रामजानकी विवाहोत्सव मनएबाक सम्पूर्ण तैयारी पुरा भऽ चुकल अछि । विवाहोत्सवमे सहभागी होबएलेल नेपाल तथा भारतक विभिन्न स्थानसँ साधुसन्त तथा तिर्थालु अएबाक क्रम शुरु भऽ चुकल ओ बतओलन्हि । विवाहोत्सवमे सहभागी होबए आएल अतिथिसभकेँ खानपान तथा वासके लेल जानकी मन्दिर, राम मन्दिर आ नेपाली सेना व्यवस्था कएने अछि ।
रामजानकी विवाहोत्सवमे भारतक अयोध्याके संगहि विभिन्न स्थानसँ साधुसन्तसभ बरियातके रुपमे आएल करैत छथि । अतिथिके स्वागत करब मिथिलाक परम्परा रहल कहैत बरियातक स्वागतके लेल भव्य तैयारी कएलगेल छोटे महन्त दासके कहब अछि ।

Read More »

शृङ्खला अन्तिम १२ सँ बाहर ः मेक्सिकोके सुन्दरीकेँ मिस वर्ल्डके उपाधि

काठमाण्डू २३ गते । मिस नेपाल शृङखला खतिवडा मिस वर्ल्ड २०१८ के अन्तिम १२ सँ बाहर भेली अछि । २०१८ के मिस वर्ल्डके ताज मेक्सिकोके सुन्दरी भेनेसा पोन्स डी लिअनके भेटल छन्हि । प्रतिस्पर्धी ११८ देशक सुन्दरीकेँ पाछा करैत २६ वर्षीय भेनेसा विश्व सुन्दरीके उपाधि चुमए सफल भेलीह अछि । हुनकाँ गत वर्षक भारतक विश्व सुन्दरी मानुषी छिल्लर ताज पहिरओने छलीह । रनरअपके उपाधि मिस थाइल्याण्ड निकोलिन लिम्स्नुकान जितली अछि ।
मिस नेपाल शृङ्खला खतिवडा एहि वर्षक मिस वर्ल्ड २०१८ के टप १२ मे पहुँचाबएमे सफल भेली अछि । चीनके सान्या सहरमे शनिदिन सम्पन्न ६८ अम मिस वर्ल्ड प्रतियोगितामे २३ वर्षीय खतिवडा ११८ देशक सुन्दरीकेँ पाछा करैत १२ अम स्थानमे अएली अछि ।
एसियासँ चयन भेल दश देशमेसँ नेपाल, थाइल्याण्ड आ न्युजिलेण्डमात्र टप १२ मे जाएमे सफल भऽ सकल । टप १२ मे परल सँगहि शृङ्खला नेपाल कएने सपोर्टप्रति धन्यवाद देबएसँ नहि बिसरलीह । टप पाइभके लेल पाँच महादेशमे केरेमियनसँ जमैका, अमेरिकासँ मेक्सिको, अफ्रिकासँ युगान्डा आ एसियासँ थाइल्याण्ड सफल भेल छल । मिस नेपाल शृङखला पहिल चरणमे प्रतियोगीसँ ३० मेसँ १२ पहुँचल छलीह । दोसर चरणमे १२ मेसँ पाँच चय भेली अछि । चीनके सान्यामे भेल ‘मिस वर्ल्ड’ प्रतियोगितामे शृंखला खतिवडा दु विधागत अवार्ड जितल छथि । सोमदिन साँझ भेल घोषणामे शृंखला ‘मल्टिमिडिया अवार्ड’ आ ‘ब्युटी विद पर्पज’ जितली अछि ।

Read More »

‘मुख्यमन्त्री योगीके सम्मानमे कोनो कसर बाँकी नहि राखब’

काठमाण्डू २३ गते । राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपालक नेता राजकिशोर यादव उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री योगी आदित्यनाथके जनकपुरमे भव्य स्वागत हएबाक बतओलन्हि अछि । हुनकर सम्मानमे कोनो कसर बाँकी नहि रखबाक ओ बतओलन्हि । शनिदिन रिपोर्टर्स क्लब नेपालके साक्षात्कारमे राजपा अध्यक्ष मण्डलक सदस्य यादव कहलन्हि, सम्पूर्ण जनता उत्साहक साथ स्वागत करए पडत । हमसभ मुख्यमन्त्रीजीकेँ भव्य स्वागत करब । हुनकर सम्मानमे कोनो कसर बाँकी नहि राखब ।’
योगी विवाह पञ्चमीके अवसरमे जनकपुर आबि रहल छथि । केछु गोटे मुख्यमन्त्री योगीके विरोध कएने कहैत ओ भ्रमण द्धिपक्षीय सम्बन्ध थप मजबुत हएबाक दावा कएलन्हि । ‘हुनकर जनकपुर भ्रमण नेपालके हित नुकाएल अछि । उत्तर प्रदेशमे ओतेक पैघ जनसंख्या अछि । आब जनकपुरमे धार्मिक पर्यटकसभ आओत’ ओ कहलन्हि । कार्यक्रममे कांग्रेस नेता रामकृष्ण यादव मुख्यमन्त्री योगीकेँ जनकपुरमे स्वागत करबालेल अपनेसभ आतुर रहल बतओलन्हि ।
‘अपन आ पार्टीके तर्फसँ हम कि कहए चाहैत छी प्रत्येक साल अगहनमे विवाहपञ्चमी होएत, आबएबला २६ गते होबए जा रहल विवाहपञ्चमीमे बरियात लऽ कऽ मुख्यमन्त्रीजी आबि रहल छथि, हमसभ स्वागत करबालेल आतुर छी’ ओ कहलन्हि, ‘हुनकर भ्रमण विषयमे कांग्रेस केन्द्रिय कार्यसमति विरोध नहि कएने अछिभ । विरोध करबाक कहि कोनो निर्णय सेहो नहि भेल अछि ।’

Read More »

५ वर्षीया बालिका उपर सामूहिक बलात्कार

बुटवल २३ गते । रूपन्देहीको देवदहमे पाँच वर्षीया बालिका उपर सामूहिक बलात्कार भेल अछि । देवदह नगरपालिकाके खैरेनीमे दलित समुदायके पाँच वर्षीया बालिका उपर शुक्रदिन साँझ सामूहिक बलात्कार भेल अछि । बालिकाके माय प्रसुतीके समय नैहर गेल आ घरमे बाबु नहि रहल समय समयमे बालिकाकेँ प्रलोभन देखा कऽ घर नजदिकक एकटा दलाने लऽ जा कऽ बालिकाकेँ बलात्कार कएलगेल अछि । बालिका रक्ताम्य अवस्थामे भेटला बाद बलात्कार भेल पुष्टि भेल छल ।
बालिका उपर बलात्कार कएने आरोपमे प्रहरी ६ गोटे स्थानीय युवाकेँ नियन्त्रणमे लऽ चुकल अछि । ओहिमेसँ दु गोटे बलात्कारमे संलग्न भेल पुष्टि भेल आ अन्य उपर अनुसन्धान भऽ रहल इलाका प्रहरी कार्यालय बुटवलके प्रहरी निरीक्षक ऋषिराम घर्ती मगर जानकारी देलन्हि । नियन्त्रणमे लेलगेल देवदह–६ के २२ वर्षीय लक्ष्मण विक आ देवदह–७ क १८ वर्षीय जीवन खत्री बलात्कार कएने स्वीकार कऽ चुकल अछि । प्रहरी घटनामे संलग्न रहल आशंकामे स्थानीय राजु परियार, बोधे विक आ दिनेश विककेँ सेहो प्रहरी नियन्त्रणमे लेने अछि । बलात्कृत भेल बालिकाकेँ थप इलाजक लेल बुटवलके लुम्बिनी अञ्चल अस्पतालमे भर्ना कएलगेल आ स्वास्थ्य अवस्था खतरामुक्त रहल प्रहरी जनओलक अछि ।

Read More »

‘निर्मलाके हत्यारा नियन्त्रणमे, जल्दिए सार्वजनिक होएत’

काठमाण्डू २३ गते ।उपप्रधानमन्त्री एवं रक्षामन्त्री ईश्वर पोखरेल निर्मला पन्तके बलात्कारक बाद हत्या कएन्हिारसभ नियन्त्रणमे आबि गेल दावा कएलन्हि अछि । मुदा, राजनीतिक दलके आवरणमे बँचाबए आओत कि ई डर डर लागि रहल ओ बतओलन्हि । १० अम मानवअधिकार राष्ट्रिय महाजमघटकेँ शनिदिन ललितपुरमे सम्बोधन करैत उपप्रधानमन्त्री पोखरेल कहलन्हि, ‘हमसभ अतेक कहए चाहैत छी, अपराधी पत्ता लागि चुलक अछि, नियन्त्रणमे आबि गेल अछि । हमसभ जल्दिए विधिसम्वत ढंगसँ सार्वजनिक करब ।’
मुदा, सरकार हत्यारा सार्वजनिक कएलापर राजनीतिके ध्येय लेनेसभ छाता ओढाबए आओत एहि विषयमे डर रहल ओ बतओलन्हि । कार्यक्रममे उपस्थित कांग्रेस नेतृ पुष्पा भुसालके नाम लैत नेकपाक नेता सेहो रहल मन्त्री पोखरेल कहलन्हि, ‘हमरा एकटा डर लागि रहल अछि, सरकार ओहिकेँ सार्वजनिक कएलापर राजनीतिके धेय रखनेसभ छाता ओढाबए आओत कि लागि रहल अछि । पुष्पा जी ख्याल करब ।’
प्रतिपक्षी दलक नेता आ अखबारक स्तम्भकारसँ जेना सरकार नहि बाजि सकैत अछि कहैत ओ सरकारके नजरमे केऊ अपराधी बँचए नहि सकबाक दावा कएलन्हि । मन्त्री पोखरेल निर्मलाके हत्यारा सार्वजनिक करबालेल माँग कएन्हिार अधिकारकर्मीसभकेँ हत्यारा सार्वजनिक कएलापर रक्षार्थ सक्रियता नहि देखाबए सेहो आग्रह कएलन्हि ।
‘आजुक दिनमे जे निर्मला पन्तके बलात्कार आ हत्याराकेँ एकटा झण्डा बना कऽ सडकमे आएल छथि’ उपप्रधानमन्त्री पोखरेल कहलन्हि, ‘माफ करब, ओ अपराधी बाहर अनला बाद केऊ छाता ओढाबए नहि आएब । ओ तऽ कहा अछि वेचारा । निर्दोष छल, दोसर छल सरकार नुकओलक कहि छाता ओढाबए नहि आएब । अपन राजनीतिके रोटी नहि सेकबाक चाही ।’

Read More »

वामदेव ओली क्याम्प छोडलन्हि, सचिवालयमे नया समिकरण

काठमाण्डू २१ गते ।लम्बा समयसँ प्रधानमन्त्री एवं पार्टी अध्यक्ष केपी शर्मा ओलीकेँ साथ देने नेकपा नेता वामदेव गौतम संस्थापन पक्ष छोडलन्हि अछि । ओली अपनाकेँ देने वचन पुरा नहि कएने कहैत गौतम ओली समूह छोड्ने घोषणा कएलन्हि अछि । गौतम पार्टीके आठम महाधिवेशनमे ओली आ झलनाथ खनाल अध्यक्षमे चुनाव लड्लापर खनालकेँ जिताबएमे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह कएने रहथि । पार्टीके नवम महाधिवेशनमे सेहो अध्यक्षमे माधव नेपालसँगक प्रतिस्पर्धामे ओलीकेँ जिताबए महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह कएने छलथि ।
अपन माँग विषयमे जानकारी कराबए २१ केन्द्रीय सदस्य गत सप्ताह गौतमकेँ भेंट कएने छलथि । गौतम घुमौवा भाषामे अपने ओलीसँ पीडित रहल उपराग कएने एक नेता बतओलन्हि । गौतम केन्द्रीय सदस्यसभसँगक भेंटमे अपने आब ओलीसँग नहि रहल संकेत कएने छलथि । २१ केन्द्रीय सदस्यसभ पार्टी विधि आ पद्धतिसँ चलए पडत कहैत महासचिव विष्णु पौडेलमार्फत अध्यक्षद्वयकेँ ६ बुँदे माँग रखने छलथि । गौतम २१ केन्द्रीय सदस्यके माँगमे अपन साथ रहबाक कहैत आश्वास्त कएने छलथि ।
गौतमकेँ निर्वाचन लडा कऽ प्रतिनिधिसभामे लएबाक कहैत देशभरिक करिब एक दर्जन चुनाव क्षेत्रमे प्रयास भेल छल । मुदा, पछिला चरणमे ओली आ प्रचण्ड दुनु एहि बातमे असहमति जनओला बाद गौतम रुष्ट भेल छल । ई प्रयास असफल भेला बाद शक्तिशाली विकास निर्माण प्राधिकरण गठन क।बाक आ ओहिके प्रमुख अपनाकेँ बनाबए गौतम ओली समक्ष प्रस्ताव कएने छलथि । मुदा, गौतमके प्रस्ताव अध्यक्षद्वय प्रचण्ड आ ओली दुनु अस्वीकार कएने छलथि । ओहिके बाद गौतम आओर रुष्ट बनल छलथि ।

गौतम संस्थापन पक्ष छोडला बाद सचिवालयके बैठकमे ओलीसहित संस्थापन पक्षक ५ आ संस्थापनसँ बाहर पक्षक ४ होएत । संस्थापन पक्षक एक सदस्य अनुपस्थित रहल समय मतदानसँ निर्णय नहि होबए सकबाक अवस्था सृजना होएत । एक नेताके अनुसार एहिसँ अगिला बैठकमे गौतम संस्थापन पक्षसँग भिडएबला पहिल नम्बरमे छलथि । मुदा ओ संस्थापन पक्ष छोडला बाद ओली प्रचण्डकेँ निर्णय करबामे ओतेक सहज नहि होएत ।
अपनाकेँ शक्तिशाली विकास प्राधिकरण गठन कऽ कऽ ओहिके प्रमुखमे नियुक्त करबालेल अध्यक्षद्वय अस्वीकार कएला बाद ओ एहिके विकल्प खोजबाक घोषणा कएलन्हि अछि । ओ निजी क्षेत्रसँ भेला बादो ओहन प्रधिकरण गठन कऽ कऽ अपने अभियानकेँ आगा बढएबाक निकट नेतासभ बतओलन्हि अछि ।

Read More »

प्रधानमन्त्री ’हाकिम’ बनला बाद ६ अर्ब राजस्व छली

काठमाण्डू २१ गते ।केपी शर्मा ओली प्रधानमन्त्री भेला बाद विगत ९ महिना अवधिमे विभिन्न कम्पनी तथा उद्योगसँ करिब छ अर्ब रुपैयाँ राजस्व छली भेल तथ्य बाहर आएल अछि । विभिन्न कम्पनी, उद्योग, फर्मल सहित बिगो जरिबाना, ब्याज नहि तिरलासँ अतेक पैघ परिमाणमे राजस्व छली भेल राजस्व अनुसन्धान विभाग जनओलक अछि । गत फागुनमे प्रधानमन्त्री होबए लगले ओली अर्थ मन्त्रालयअन्तर्गतक सम्पत्ति शुद्धीकरण अनुसन्धान विभाग आ राजस्व अनुसन्धान विभाग तथा गृह मन्त्रालयअन्तर्गतक राष्ट्रिय अनुसन्धान विभाग प्रधानमन्त्री कार्यालय मातहत लओने छल ।
विभागक निर्देशक शेखर पौडेल विभाग प्रधानमन्त्री कार्यालय मातहतमे आएल एम्हर करिब ६ अर्ब रुपैयाँ राजस्व चुहावट भेल जानकारी देलन्हि । हुनका अनुसार विभाग अनुसन्धान आ छानबिन कऽ चुहावट भेल राजस्व संकलन करबालेल माँग दाबीसहित विभिन्न जिल्ला अदालतमे मुद्दा दायर कएलक अछि ।विभाग प्रधानमन्त्री मातहत आबएसँ आगा राजस्व छली कएन्हिारकेँ भन्सार ऐन आ राजस्व ऐनअन्तर्गत कार्यान्वयन होइत छल । एखन विभाग राजस्व चुहावट (अनुसन्धान तथा नियन्त्रण ऐन ०५२), विदेशी विनिमय नियमित करएबला ऐन, ०१९ अन्तर्गत तय कएलगेल कार्य सम्पन्न करबाक जिम्मेवारी पओने अछि । ई ऐन कार्यान्वयन कएलापर राजस्व संकलन प्रभावकारी होइत गेल हुनकर कहब छलन्हि । ओ कहलन्हि, ’विगतसँ एखन कानुनी व्यवस्था कडा रहलासँ कोनो उद्योगी व्यापारी राजस्व नहि छलि सकैत अछि ।’

राजस्व छली भेला बाद बिगोसहित तिरए पडत । ओ कहलन्हि, ’केऊ १० हजार राजस्व छली करैत अछि तऽ ओ बिगो आ जरिबानासहित ३० हजार रुपैयाँ तिरए पडत ।’ विभागअन्तर्गत चारिटा क्षेत्रीय एकाइ कार्यालय (पूर्वाञ्चलके इटहरी, मध्यमाञ्चलके पथलैया, पश्चिमाञ्चलके बुटवल आ मध्य तथा सुदूरपश्चिमाञ्चलके कोहलपुर) रहल अछि । २०५० सालमे स्थापित विभाग देशभरि राजस्व चुहावट आ आर्थिक अपराध नियन्त्रण करैत अछि । गैरकर राजस्व अुनसन्धान, तहकिकात आ कारबाही विदेशी विनिमय अपचलन रोकथाम आ नियन्त्रण तथा समग्र राजस्व चुहावट एवम् नियन्त्रण करबाक जिम्मा विभागके भेटल अछि ।
एखन राजस्व चुहावट आ आर्थिक अपराध नियन्त्रण सहितक महत्त्वपूर्ण जिम्मेवारी अर्थ मन्त्रालयसँ प्रधानमन्त्री कार्यालय मातहत आएल अछि । प्रधानमन्त्री कार्यालय मातहतमे आबएसँ पहिनेके तुलनामे विभाग प्रभावकारी बनैत गेल कर्मचारीसभक दावा अछि । सरकार चालू आव ०७५÷७६ मे ९ खर्ब ४५ अर्ब ५५ करोड रुपैयाँ राजस्व उठाबएके लक्ष्य रखने अछि । महालेखा नियन्त्रक कार्यालयके अनुसार १६ अगहन धरि ४४.८६ प्रतिशत अर्थात् ४ खर्ब २४ अर्ब २१ करोड रुपैयाँ संकलन भेल अछि । निजी क्षेत्र सरकार राजस्वमुखी भऽ रहल दावा कऽ रहल समय सरकारी अधिकारी पछिल्लो समय राजस्व चुहावट कडाइ कऽ रहल बतबैत छथि ।

Read More »

शिक्षक महासङ्घको आन्दोलन स्थगित

काठमाडौँ, मङ्सिर १९ गते । सरकारसँग वार्ता शुरु भएपछि नेपाल शिक्षक महासङ्घले घोषित आन्दोलनका कार्यक्रम स्थगन गरेको छ ।शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधि मन्त्रालयले अर्थ तथा कानून, न्याय तथा संसदीय मामिला मन्त्रालयका प्रतिनिधिको उपस्थितिमा वार्ता गरी माग सम्बोधनको पहल गर्ने आश्वासन दिएपछि महासङ्घले मङ्सिर २१ गतेका लागि घोषणा गरिएको ‘काठमाडौँ जाऔँ’ कार्यक्रम स्थगन गरेको हो । मङ्सिर १४ गते पनि महासङ्घले उपत्यकाका सामुदायिक विद्यालयको पठनपाठन अवरुद्ध गराई काठमाडौँमा प्रदर्शन गरेको थियो । सो दिन छुटेको पढाइ मङ्सिर २९ गते शनिबार पूर्ति गरिने महासङ्घले जनाएको छ ।स्थानीय तहबाट विद्यालय शिक्षाको अधिकार फिर्ता ल्याउन संविधान संशोधन गरिनुपर्ने, शिक्षकहरुसँग विगतमा भएका सम्झौता कार्यान्वयन हुनुपर्ने र निःशुल्क तथा अनिवार्य शिक्षाका लागि पर्याप्त बजेट विनियोजन हुनुपर्नेलगायत माग राखी महासङ्घले जेठ १७ गतेदेखि आन्दोलन गर्दै आएको हो । महासङ्घका अध्यक्ष बाबुराम थापा र महासचिव लक्ष्मीकिशोर सुवेदीले जारी गरेको विज्ञप्तिमा वार्तालाई फलदायी र निर्णायक बनाएर सबै खाले शिक्षक र विद्यालय कर्मचारीका समस्या निराकरणका लागि आफूहरु प्रतिबद्ध रहेको उल्लेख छ ।

Read More »