देश

नया वर्ष २०७६ आईसँ शुरु

जनकपुरधाम वैशाख १ गते ।आई विक्रम संवत २०७६ के पहिल दिन । नया वर्ष २०७६ आईसँ शुरु भेल अछि । सूर्य मीन राशीसँ मेष राशीमे प्रवेश करएबला संक्रान्तिके मेष अर्थात वैशाख संक्रान्ति कहल जाइत अछि । नया वर्ष प्रारम्भ भेल पहिल दिन नेपाल आ विदेशमे रहल नेपालीसभ हर्षोल्लासके साथ एक दोसरके शुभकामना आदान प्रदान कएल करैत छथि । नया वर्षमे सफलता भेटए कहैत एक दोसरमे शुभकामना व्यक्त करैत मिष्ठान भोजन, भेटघाँट कऽ नया वर्ष विशेष पर्वके रुपमे मनाओल जाइत अछि । सफलता प्राप्त करबालेल नया वर्षक पहिल दिन योजना निर्माण एवम सत्संकल्प करबाक परम्परा सेहो रहल अछि । आजुक दिन नया काजक शुरुवात करबाक सेहो परम्परा अछि । नया वर्षक पहिल दिन भिन्सरे स्नान करबाक, घर आँगन साफ करबाक, निक भोजनके संगहि साथी तथा इष्टमित्रसँ भेँटघाँट कऽ एक दोसरमे शुभकामना व्यक्त कएल जाइत अछि । विक्रमादित्यद्धारा चलाओलगेल सम्वत रहलाक कारणेँ एहि सम्वतके विक्रम सम्वत कहलगेल अछि । मल्लकालसँ नेपालमे मौलिक सम्वतके रुपमे विक्रम सम्वतके शुरुवात भेल अछि । नेपालमे मात्र मौलिक रुपेँ ई सम्वत चलैत आबि रहल अछि । भारतमे सरकारी सम्वत शक सम्वत रहलाक बादो व्यवहारमे इस्वी सम्वत प्रचलनमे अछि । विक्रम सम्वत १३५ सँ शक सम्वत, ६३३ सँ मानदेव सम्वत, विक्रम सम्वत ९३६ सँ नेपाल सम्वत शुरु भेल अछि । एहि सम्वतसभमेसँ एखन मानदेव सम्वतके चलन समाप्त भऽ चुकल अछि । विक्रमके १२ हम शताब्दीमे गुजरातसँ आएल विद्धानसभ पहिलबेर विक्रम सम्वतके प्रयोग कएने लिखित दस्तावेज भेटल इतिहासकारसभ बतबैत छथि । नया वर्षक अवसरमे पहिलदिन नेपाल भरिके सरकारी कार्यालय, सार्वजनिक संस्थान एवम शिक्षण संस्थामे सार्वजनिक छुट्टी देबाक परम्परा अछि । नया वर्षक अवसर पर तराई मधेशक जिल्लाक विभिन्न स्थान पर मेला लागल करैत अछि । नया वर्षक अवसर पर धनुषाक अकौडा, जनकपुरक रामपुर, सिरहाक फूलबारीमे लागएबला मेला प्रसिद्ध अछि ।

Read More »

सहकारी बैंकके सञ्‍चालक करोडो रकम लऽकऽ सम्पर्क विहीन

वीरगंज, चैत्त २८ ।वीरगञ्जमे रहल एक सहकारी बैंकके सञ्‍चालक सर्वसाधारणसभके करोडो रकम लऽकऽ सम्पर्क विहीन भेल अछि ।
वीरगञ्‍ज महानगरपालिकाके लिंक रोडमे रहल प्राइम बचत तथा ऋण सहकारी सस्थाका सञ्चालक बैंकमे ताला लगाकऽ सर्वसाधारणसभके करोडो रकम लऽ कऽ फरार भेल अछि ।
ओ सहकारी संस्थाक सञ्‍चालक समितिमे रहल १४ गोटे व्‍यक्तिके लेल रकम लऽ कऽ सम्पर्कविहीन भेल स्थानीयसभक कहब अछि । ओसभ संस्थाक अध्यक्ष राजेशकुमार पटेलके सम्पर्क करए खोजलापर मोवाईल स्वीच आफ आवि रहल सेहो जनौने अछि ।
सञ्चालक समितिक अध्यक्ष पटेलसँगे समितिक कोषाध्यक्ष तथा हुनक कनियाँ रिना पोखरेल सेहो सम्पर्कविहीन भेल अछि । सहकारीक सञ्चालक समितिक अध्यक्ष आ कोषाध्यक्ष सम्पर्कविहीन भेलाक बाद एखन ओ सहकारीके खाताके दैनिक रकम उठेबाक एजेन्टसभ सेहो अप्पन मोबाईल स्वीच अफ कऽ कऽ सम्पर्क बिहीन भेल सेवाग्राहीसभके कहब अछि ।
यता, सहकारी संस्थाके सञ्चालक रकम लऽ कऽ फरार भेल सूचना अएलाक बाद सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी नेत्र प्रसाद शर्मा, जिल्ला बचत तथा ऋण सहकारी संघ पर्साक अध्यक्ष राजेश पण्डित सहितकसभ बृहस्पतिदिन बैंकके कार्यालय पहुँचल बैंकके गेटमे ताला लगौने छल ।
सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी शर्मा कहलन्हि, ‘बैंकमे जाऽ रहल बैंकके गेटमे ताला लगौने भेटल, शर्मा कहलन्हि, ‘सञ्चालकसभ एखन सम्पर्क बिहीन अछि ।
सहकारीके रकम लऽ कऽ फरार भेल सञ्चालकके तत्काल खोजिकऽ उपस्थित कराकऽ कानुक बमोजिम सेवाग्राहीसभके रकम फिर्ता कराओल गेल शर्मा जानकारी देलन्हि । प्राईम बचत तथा ऋण सहकारी सँस्था १४ बर्ष पहिने २०६६ साल बैशाख २ गतेसँ सञ्चालनमे आएल छल ।

Read More »

राजपाक आन्दोलनके औचित्य नहि अछिः मन्त्री बास्कोटा

जनकपुरधाम, चैत २८ ।संचार तथा सुचना प्रविधि मन्त्री गोकुल बास्कोटा राजपा बिना कोनो मुद्दाके आन्दोलन करबके औचित्य नहि रहल बतौलन्हि अछि ।
जनकपुरधाम विमानस्थलमे पत्रकारसभसंगे बातचीत करैत मन्त्री बास्कोटा अदालतक विषयके सरकारसंगे जोडिकऽ आन्दोलन करबके कोनो औचित्य नहि रहल बतौलन्हि ।प्रजातन्त्रमे कियो अप्पन मांगके लऽ कऽ आन्दोलन करब नैसर्गिक अधिकार रहल बतबैत मन्त्री बास्कोटा वार्ताके माध्यमसँ समस्याके हल खोजएके आग्रह सेहो कएने छथि ओ कहलन्हि, ‘राजपाके आन्दोलन करबाक नैसर्गिक अधिकार अछि, मुदा ओसभ नन इस्युके इस्यु बनाकऽ आन्दोलन कऽ रहल अछि ।’ ओ राजपा अदालतके विषयके लऽ कऽ सरकारसंगे जोडिकऽ आन्दोलन शुरु करब आ गैर प्रजातान्त्रिक चरित्र रहल आरोप लगौलन्हि ।
ओ कहलन्हि, ‘अदालतक विषयके लऽ कऽ आन्दोलन नहि करब, कोनो समस्या अछि तऽ वार्ताके टेबलमे बैसिकऽ समाधान खोजु ।’ ओ सरकार कोनो असन्तुष्ट पक्षके जायज माग पूरा करए तत्पर रहल बतौलन्हि ।
तहिना ओ नेपालके कोनो नागरिक नागरिकतासँ बञ्चित नहि होएबाक प्रतिबद्धता सेहो व्यक्त कएने छथि । सर्वोच्च जारी कएने अन्तरिम आदेश स्थायी आदेश नहि रहल कहैत ओ जल्दिए नागरिकता सम्बन्धी समस्या समाधान होएबाक बतौलन्हि अछि ।

Read More »

राजपा शुक्रदिन प्रर्दशन करत

जनकपुरधाम, चैत्त २८ ।राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी नेपाल धनुषा शुक्रदिन जनकपुरमे प्रर्दशन तथा कोणसभा करएके निर्णय कएलक अछि ।
राजपा जन्मसिद्ध नागरिकके संतानके वंशजके नागरिकता प्रदान करए, लाल आयोगके प्रतिवेदन तत्काल सार्वजनिक करए, संविधान संसोधनके माग पुरा करए, रेशम चौधरीके तत्काल रिहाई करए सहितक मांगसभ पुरा करेबाक उदेश्यसँ दबाव स्वरुप प्रर्दशन करए लागल जनौलक अछि ।
शुक्रदिन राजपा जनकपुरके जनकचोकमे प्रर्दशन तथा कोणसभा करएके
निर्णय कएने राजपाक जिल्ला संयोजक प्रमोद कुमार यादवद्वारा हस्ताक्षरित विज्ञप्तीमे उल्लेख अछि ।

Read More »

भारतमे लोकसभा निर्वाचन शुरु

एजेन्सी, चैत २९ गते ।भारतमे प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके लेल जनमतसंग्रहके रुपमे देखलगेल लोकसभा निर्वाचनक पहिल चरण वृहस्पतिदिनसँ शुरु भेल अछि । दशौं लाख भारतीय नागरिक २० राज्य आ केन्द्रशासित क्षेत्रक ९१ निर्वाचन क्षेत्रमे मतदान भेल अछि ।
संसदके निचका सदन लोकसभाके लेल सात चरणमे होबएबला मतदान मे १९ तारिखधरि होएत । मुदा मतगणना २३ तारिखसँ शुरु होएत । ९० करोड योग्य मतदाता रहल एहि निर्वाचनके विश्वमे एखनिधरिके सभसँ पैघ निर्वाचन मानलगेल अछि ।
एहि वर्ष भारतमे ९० करोडसँ अधिक योग्य मतदाता अछि । जे दोसर सभसँ प्रजातान्त्रिक देश मानल जाएबला अमेरिकासँ चारि गुणा अधिक अछि । भारत पहिल आम निर्वाचन ब्रिटेनसँ स्वतन्त्र भेला पश्चात सन् १९५१ आ ५२ मे कएने छल । एहिबेर चुनावके लेल १० लाख मतदान केन्द्र स्थापना कएलगेल अछि ।
अप्रिल ११ सँ शुरु भेल निर्वाचन मे १९ तारिखमे सम्पत्र होबएबला निर्वाचनमे संसारक सभसँ पैघ प्रजातन्त्र मानल जाएबला भारतमे मतदातासभ केन्द्रीय संसदके लेल भोट खसाबए जा रहल अछि । भारतक निर्वाचन सात चरणमे करिब डेढ महिना समय लगा कऽ भऽ रहल अछि कियाक ओहिमे अत्याधिक संख्यामे निर्वाचन अधिकारी तथा सुरक्षाकर्मी परिचालन कएलगेल अछि । अलग अलग राज्यमे अलग अलग समयमे मतदान भऽ रहल अछि । सभ राज्यक मदतान मे १९ मे सम्पत्र भेलाकबाद २३ मे सँ मतगणना शुरु होएत । ओहिमार्फत मतदातासभ हिन्दु राष्ट्रवादी प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी आओर पाँ वर्ष शासन करताह या नहि निर्णय करताह ।
भारतीय संसदमे दुटा सदन अछि, लोकसभा तथा राज्यसभा । निचका सदन लोकसभाक लेल भऽ रहल निर्वाचनमार्फत ५४३ सदस्य निर्वाचित होएताह । न्यूनतम २७२ सांसद अपन पक्षमे लाबएबला दल भारतमे अगिला सरकार बनाओत । जे दल बहुमत सिट जितत ओहि दलक प्रधानमन्त्री चयन होएत । सन् २०१४ क पछिला निर्वाचनमे मोदीक भारतीय जनता पार्टी भाजपा २८२ सीट जितल छल तऽ भारतीय कांग्रेस मात्र ४४ सीट पर सीमित भेल छल ।
एहिबेर मोदीके टक्कर विपक्षी कांग्रेस अध्यक्ष राहुल गान्धीसँग भऽ रहल अछि । किछु महिना पहिनेधरि भाजपा चुनाव सहजि जितत कहल जा रहल छल । मुदा डिसेम्बरमे भेल किछु महत्वपूर्ण क्षेत्रीय चुनावसभक परिणामसँ कडा प्रतिस्पर्धाक संकेत देखलगेल अछि । मोदी फेर सामान्य बहुमतके साथ जितता या नहि एहि विषयमे विश्लेषकसभक मतमतान्तर देखलगेल अछि । हालहि पाकिस्तानसँक तनावसँ भाजपाके चुनाव प्रचारमे सहयोग भेटत अनुमान कएलगेल अछि ।
एहिबेरके निर्वाचन मोदीके लेल जनमतसंग्रह जँका होएत अनुमान कएलगेल अछि । मोदीके भारतमे जनमत धु्रवीकृत नेताके रुपमे देखल जाइत अछि । जकरा बहुतो पसन्द करैत अछि । कतेको हुनका भारतक बहुसंख्यक हिन्दू तथा २० करोड मुसलमानबीच विभाजन करएबला व्यक्तिके रुपमे देखैत अछि । देशभत्तिके मुद्दा केन्द्रमे रहलाक कारण शक्तिशाली क्षेत्रीय दल तथा कांग्रेसक चुनौतीसँ पार भेटत भाजपाक आशा अछि ।

Read More »

केन्द्र आ प्रदेशके लडाइमे हावाबिहारि पीडित समस्यामे

जनकपुरधाम चैत २९ गते ।भीषण हावाबिहारिक कारण घरबारविहीन भेल बारा आ पर्साक प्रभावितसभ बेरबेर आबि रहल वर्षासँ आओर समस्यमे परल अछि ।
हावाबिहारिक कहरकेबाद अपन अपन घर गुमाचुकलसभ एखन सेना लगादेने टेन्टमे रहैत आबि रहल छथि । मुदा वर्षाके बाद टेन्टभितर पानि प्रवेश कएलाक बाद ओसभ आओर समस्यामे परल छथि । गर्मी आ बेरबेर वर्षाक सामना कऽ रहल पीडितसभक स्थायी बसोबासके लेल सरकार एखनो गम्भीर कदम नहि उठा सकल अछि । बारा आ पर्साक चक्रवात प्रभावितसभक लेल पुननिर्माण कार्य आगु नहि बढि सकलाक बाद पीडितसभ कठिनाइके सामना करबा पर बाध्य अछि ।२० चैतमे प्रदेश सरकारक तर्फसँ प्रदेशसभामे बजैत आन्तरिक मामिला तथा कानुनमन्त्री ज्ञानेन्द्र यादव हावाबिहारिसँ पूर्ण रुपेँ क्षति भेलसभक घर सरकार निर्माण करत घोषणा कएलन्हि । प्रदेशसभामे बजैत मन्त्री यादव वर्षा शुरु हएबासँ पहिने प्रभावितसभक लेल प्रदेश सरकार शौचालयसहितके ४ कोठलीक घर बनाओत घोषणा कएने रहथि । कानूनमन्त्री यादव प्रदेशसभामे घोषणा करबासँ पूर्व हुनके नेतृत्वक उच्चस्तरीय राहत तथा उद्धारसमिति ई निर्णय कएने छल ।
ओहिके दोसर दिन बैसल संघीय सरकारक मन्त्रिपरिषद् बैठक बारा आ पर्साक हावाबिहारि प्रभावितके लेल घर बनएबाक जिम्मा नेपाली सेनाके देबाक निर्णय कएलक । एहिसँ पहिने ओहि दिन भिन्सर प्रदेश २ क मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतसहित सातु प्रदेशक मुख्यमन्त्रीसँग प्रधानमन्त्री केपी ओली बालुवाटारमे भेटघाट कएने रहथि । आ, मुख्यमन्त्रीसँगक बैठकमे बारा आ पर्साक प्रभावित क्षेत्रमे संघीय सरकार घर बनाओत एहि विषय पर सहमति जुटल छल ।
संघ आ प्रदेश सरकार दुनु हावाबिहारि प्रभावितसभके लेल अलगअलग घर निर्माणक घोषणा कएलाक बादो प्रक्रिया आगु नहि बढि सकल अछि । स्वयं अपने प्रदेशसभा बैठकमे पुनर्निर्माणक घोषणा कएलाक बादो संघीय सरकारक निर्णयके बाद प्रदेश सरकार प्रतिक्षा कऽ रहल अछि ।
प्रदेश २ क कानूनमन्त्री यादव पूनर्निर्माणके लेल ओसभ तैयार अवस्थामे रहलाक बादो संघीय सरकारक घोषणाके बाद आगु नहि बढि सकल बतओलन्हि । ‘घरबारविहीन भेलसभक स्थायी बासके लेल हमसभ डिजाइन आ स्टिमेट तैयार कऽ चुकल छी,’ ओ कहलन्हि,‘संघीय सरकार पूनर्निर्माणके जिम्मा सेनाकेँ देलाक बाद ढिलाइ भेल अछि ।’
पूनर्निर्माणतर्फ संघीय सरकार तदारुकता नहि देखओलाक कारण ओसभ अनिश्चिततामे परबाक संगहि घरबारविहीन भेलसभ आओर समस्यामे परल हुनकर कहब छन्हि । ‘पूनर्निर्माणके लेल हमसभ संघीय सरकारसँ समन्वय आ सहकार्य करबालेल तैयार छी,’ मन्त्री यादव कहलन्हि,‘मुख्यमन्त्रीजी बेरबेर प्रधानमन्त्रीसँ फोनमे बात कएने छथि । मुदा ओ गम्भीरतापूर्वक ध्यान देने जँका नहि लागि रहल अछि ।’
बारा आ पर्सामे पूनर्निर्माणक घोषणा कएने संघीय सरकार तत्काल घरके डिजाइन आ स्टिमेट कऽ आगु बढब जरुरी रहल बतओलन्हि । हावाबिहारिक कारण बारामे ९ सय २८ परिवारक घर पूर्ण रुपेँ आ ९ सय २२ आंशिक रुपेँ क्षतिग्रस्त भेल अछि । तहिना पर्सामे १ सय २२ आ ३ सय ८७ घर आंशिक रुपेँ क्षतिग्रस्त भेल प्रदेश सरकारक तथ्यांक अछि ।

Read More »

सरकार जुटल बजेटके तैयारीमे

काठमाण्डु चैत २८ गते ।अर्थमन्त्रालय केबार बन्द कऽ कऽ आगामी आर्थिक वर्ष २०७६÷७७ क बजेट निर्माणमे जुटिचुकल अछि । आगामी आर्थिक वर्षक बजेट प्रस्तुत करबालेल डेढ महिनाक समयसीमा बाँकी रहल समय सरकारक व्यवस्तता बढब स्वभाविक अछि । पाँच वर्षके लेल गठन भेल केपी शर्मा ओली नेतृत्वक सरकार दोसर बजेट लएबाक तैयारीमे जुटल अछि ।
अर्थ मन्त्रालय कर्मचारीकेँ बाहेक अन्यकेँ अर्थमन्त्रालयमे प्रवेश करब सहज नहि अछि । बजेट महाशाखा प्रवेश करबामे आओर कडाइ कएलगेल अछि । पहिल बजेटमे सरकारक अर्थमन्त्रीके प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली कांग्रेससँ अधिक सत्तारुढ नेकपाक सांसदसँ आलोचना सहए परल छल । एहिकेँ नेकपाक आन्तरिक बैठकमे कमजोरी कहि कऽ समीक्षा कएलगेलाक बादो संसदमे बजेटके बचावमे बाजएलेल आर्थिक वर्ष २०७५÷७६ के बजेटके बाद रुलिङ करबाक अवस्था आएल छल ।
बजेटके बचावमे बाजएलेल अर्थमन्त्री डा.युवराज खतिवडा चालु आर्थिक वर्ष अर्थात २०७५÷७६ बजेट कार्यान्वयनके दिशा देखएबाक आ स्रोत बढएबाक पहल करबाक योजनाक विषयमे प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीके सुझाव देने छल । पाँच वर्षके लेल गठन भेल ओली सरकार पहिल बजेटके अर्थविद्सभ कार्यान्वयन होबएबला बजेटेके रुपमे प्रतिक्रिया देने छलथि ।
चालु आर्थिक वर्षक ९ महिनाक अवधि समाप्त भेलाकबाद बजेट प्रतिशतके हिसाबसँ गत वर्षक ओहि अवधिके तुलनामे न्यून आ रकमक हिसाबसँ गत वर्ष जँका अवस्था अछि । एहि अवस्थामे बजेट कार्यान्वयनमे अर्थमन्त्री कतबो प्राथमिकता देलाकबादो सुधार नहि देखल जा सकल अछि । ओना तऽ वित्तीय संघीयता कार्यान्वयनके कारण बजेट खर्चमे समस्या देखलगेल अर्थमन्त्रीके दावा अछि ।
आगामी वर्षके लेल तय कएलगेल बजेटमे सरकार २०७४ सालक निर्वाचनसँ पहिने तय कएने वाम घोषणापत्रकेँ प्राथमिकता देल जाएत जनओने अछि । जाहि कारण सामाजिक सुरक्षाक कार्यक्रमसभ पहिल प्राथमिकतामे परत । तहिना निर्वाचनक समयमे आगु बढाओलगेल पैघ आयोजनाक विषयमे सेहो बजेटमे सम्बोधन करबाक तैयारी अछि ।
‘पछिला बजेटमे घोषणापत्र प्राथमिकतामे नहि परल बात जोडतोडसँ उडल, वित्तीय संघीयताबादके बजेट छल, स्रोत कम आ अधिक कार्यक्रम समावेश करबाक अवस्था रहलाक कारण कतेको बातकेँ समावेश समावेश नहि कएलगेल’ अर्थके एक अधिकारी कहलन्हि,‘आगामी बजेटमे वृद्धभत्ता कतेक बढत पुछलगेल तऽ एतेक तऽ नहि कहल जा सकैत अछि । मुदा घोषणापत्रके प्राथमिकतामे राखल जाएत ।’
चालु आर्थिक वर्षक बजेट आबिगेलाक बाद गत भादवमे नेकपा अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल सेहो पुरक बजेट लएबाक धारणा रखने छलथि । एहि अवस्थामे अर्थमन्त्री अर्थमन्त्री बनाओलगेलाक बादा राष्ट्रियसभा सदस्यमे मनोनित कएलगेल युवराज खतिवडाकेँ सेहो दबाब परल अर्थके उच्च अधिकारी बतबैत छथि ।
आगामी आर्थिक वर्षके लेल राष्ट्रिय योजना आयोग १४ खर्ब ९३ अर्बक बजेट सिलिङ तय कऽ अर्थमन्त्रालयमे पठओने अछि । सरकार सेहो पछिला पाँच वर्षके लेल सरकार आगु बढओने नीति आ वाम घोषणापत्रकेँ केन्द्रित कऽ बजेट कार्यक्रम लएबालेल अन्तरमन्त्रालयकेँ परिपत्र जारी कएने अछि ।
आगामी बजेटमे रोजगारी सृजना, सामाजिक सुरक्षाक कार्यक्रम आ स्वास्थ्य बीमाकेँ अधिक प्राथमिकता देलगेल नेकपा नेतृत्वक सरकार बजेटप्रति सुझाव लएबालेल अपन सांसदकेँ गाम पठएबाक निर्णय कऽ चुकल अछि । नेकपाक सांसदसभ अधिक रहल संसदके अर्थसमिति सभ प्रदेशसँ सुझाव संकलन कऽ अर्थमन्त्रालयमे बुझओताह ।
अर्थमन्त्री स्वयं १५ खर्बक बजेट बनएबालेल मातहतके निकायकेँ निर्देशन देलाक बादो आधिकतम १५ अर्ब १० अर्बके नजदिक बजेट पहुँचबाक अनुमान अर्थके अधिकारीसभ कएने अछि । चालु आर्थिक वर्षके लेल मजबुत आ कार्यान्वयन होबएबला बजेट लएबाक नाम पर १२ खर्ब ७८ अर्बक पछिला बजेटके तुलनामे ३७ अर्ब रुपैयाँ अधिक विनियोजन कएने सरकार करिब दु खर्ब रुपैयाँ वृद्धि कऽ बजेट विनियोजक करए जा रहल अछि ।
‘पहिनेके बजेटक तुलनामे एखनुक बजेट अधिक कार्यान्वयन भेलाक बादो छोट बजेट कार्यान्वयन भऽ सकैत छल,’ अर्थ समितिमे रहल नेकपाक एक सांसद कहलन्हि,‘सरकार १३ खर्ब १५ अर्बक बजेटमे सेहो खर्च होबएबला १३ खर्ब रुपैयाँ कहने अछि, एखन सेहो ४५ प्रतिशत खर्च नहि भऽ सकल अवस्थामे घोषणापत्रमे उल्लेख कएलगेल आ पार्टी सांसद लेने कार्यक्रमकेँ सरकारके विशेष प्राथमिकता देबाक अछि ।’

Read More »

प्रचण्डक ओलीक ‘एसम्यान’ भेलाक बाद माधव आ नारायणकाजी दुर

काठमाण्डु चैत २८ गते । नेकपाक एकीकरण संगहि ओहि पार्टीभितर नयाँनयाँ घटनाक्रम विकसित भेल अछि । कोनो समय अध्यक्ष प्रचण्डक नजदिक रहल नेतासभक पछिला गतिविधिप्रति सशंकित होबए लागल छथि ।
नेता माधव नेपाल, नारायणकाजी श्रेष्ठ आ वामदेव गौतम प्रचण्डक गतिविधिप्रति असन्तुष्ट रहल स्रोत जनओने अछि । नेतासभ प्रचण्डसँ भेट कऽ अपन अपन असन्तुष्टि व्यक्त कएने छलथि । जबाबमे अध्यक्ष प्रचण्ड अपन बाध्यता बुझिदेबालेल नेतासभसँ आग्रह कएने स्रात जनओलक अछि ।
प्रचण्ड निकट एक नेताक अनुसार ओलीसँ प्रचण्ड पहिनेसँ सन्तुष्ट नहि छथि । मुदा एकीकरण घोषणाक समय भेल भद्र सहमतिअनुसार ओ एखनो डेढ वर्ष धरि किछु बाजएके सम्भावना नहि अछि । एकीकरणक समय ओली आ प्रचण्डबीच सरकारक नेतृत्व आधा करबाक सहमति भेल छल । ओहि अनुसार ओली एक वर्ष बिताचुकल छथि ।
आब हुनकर सरकारक नेतृत्व करबाक समय आएल कहैत प्रचण्ड सन्तुलित रहबा चाहि रहल एक नेता बतओलन्हि । प्रचण्ड बेरबेर प्रधानमन्त्री ओली वरिष्ठ नेता माधव नेपाल पक्षसँग जर्बजस्ती कएने कहैत ओहि पक्षकेँ सहानुभूति दैत आबि रहल छलथि । मुदा हुनकर ई सहानुभूति देखावटी रहल कहैत नेपाल पक्ष असन्तुष्टि प्रकट करैत आबि रहल छलथि ।
प्रचण्डक कार्यदल विघटन भेलाक बाद ओली गत पुष ६ गते नेकपाक सचिवालयके बैठक बजओने छलथि । मुदा पार्टीक नेतासभ माधवकुमार नेपाल, झलनाथ खनाल, वामदेव गौतम आ नारायणकाजी श्रेष्ठ बैठक बहिष्कार कएलन्हि । पार्टी पद्धति आ विधिअनुसार नहि चलल कहैत ओसभ बैठक बहिष्कार कएने छलथि ।
ई घटना पार्टीमे तनावक स्थिति उत्पत्र कएने छल । मुदा ओहि दिन सचिवालय बैठकमे प्रचण्ड ई तनाव अन्त करबाक प्रस्ताव लओने छलथि । ओहिअनुसार पुष १३ गते स्थायी समिति बैठक बजाओलगेल छल । ओ बैठक सचिवालय सदस्य एवं गृहमन्त्री रामबहादुर थापा, महासचिव विष्णु पौडेल, स्थायी समिति सदस्य वर्षमान पुन, शंकर पोखरेल, सुरेन्द्र पाण्डे, लेखराज भट्ट, वेदुराम भुसाल, रघुवीर महासेठ आ योगेश भट्टराई सदस्य रहल कार्यदल गठन कएने छल ।
कार्यदलकेँ एकीकरणक मापदण्ड आ आवश्यक खाका तैयार करबालेल म्यान्डेट देलगेल छल । ई कार्यदल सेहो अध्यक्ष प्रचण्डक पहलमे गठन भेल छल । एहिमे प्रधानमन्त्री ओलीके सहमति नहि छल । मुदा पार्टीभितरके समीकरणकेँ ख्याल कऽ ओ विरोध नहि कऽ सकल छलथि । मुदा बादमे कार्यदलक मापदण्डमे अपन आदमी नहि परलाक बाद ओली कार्यदल विघटन करबाक योजना बनओने एक नेता बतओलन्हि । मुदा पार्टी एकताक लेल सत्तारुढ नेकपा स्थायी समिति गठन कएने कार्यदल भंग फागुन १० मे बैसल सचिवालय बैठक कार्यदल भंग कएने छल ।
एकतासम्बन्धी बाँकी काम पार्टी केन्द्रीय सचिवालय करत कहैत कार्यदल भंग कएलगेल छल । कार्यदल भंग भेलाक बाद नेता माधव नेपाल आ नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रचण्डप्रति आशंका व्यक्त कएने एक नेता बतओलन्हि । स्थायी समिति गठन कएने कार्यदल सचिवालय भंग करब विधि सम्मत नहि रहल कहैत ओसभ असन्तुष्टि व्यक्त कएने एक नेता बतओलन्हि ।
नेकपा स्थायी समिति सदस्य योगेश भट्टराई कहलन्हि,‘कार्यदल विघटन करबाक सचिवालयक निर्णय विधानसम्मत नहि छल ।’ ओ पार्टीक शीर्ष नेतासभ कार्यदलकेँ काज नहि करए देने बतओलन्हि । कार्यदलकेँ काम करए देलगेल रहैत तऽ एकतासम्बन्धी सम्पूर्ण काम पार लगबाक अवस्थामे पहुँचगेल रहैत ओ दावा कएलन्हि ।

Read More »

आई चैती छठिक संध्याकालीन अर्घ

जनकपुरधाम चैत २८ गते । चैती छठि जनकपुर सहित नेपाल तथा भारतक विभिन्न स्थानसभमे हर्षोल्लास एवम श्रद्धापूर्वक मनाओल जा रहल अछि । छठिक मुख्य विधि दु दिन पहिने शुरु भेलाक बादो आई डुबैत सुर्यके पुजा कऽ कऽ सन्ध्याकालिन अर्घ देल जाएत । चैती छठिक अवसर पर जनकपुरमे विशेष चहल पहल देखलगेल छल । जनकपुरक गंगासागर, धनुषसागर, अंगराजसर सहितक पोखरिसभमे चैती छठि श्रद्धापूर्वक मनाओल जाइत अछि । पोखरिके घाटसभ पर पहुँच कऽ दर्शन करबालेल श्रद्धालुसभक भिडभाड रहल करैत अछि । विगतमे जनकपुरक प्रमुख पोखरि गंगासागर आ धनुषसागरमे मात्र कएल जाएबला चैती छठि विगत किछु वर्षसँ अन्य पोखरिसभमे सेहो कएल जा रहल अछि । चैती छठि देखबालेल जनकपुरमे विदेशी पर्यटकसभ सेहो आएल करैत अछि । छठि ब्रत कएलासँ पापक क्षय हएबाक विश्वास रहलाक कारणेँ एहि पावनिमे ब्रतालु शुद्धताके विशेष ध्यान देल करैत छथि । पूजाके समाग्री तैयार करैतकाल अशुद्ध नहि हएबाक चाहि जनविश्वास अछि । ढाकीमे राखि कऽ पोखरिके घाट धरि पहुँचाओलगेल फलफुल, ठकुवा, भुसवा सहितक पुजन समाग्रीसँ पुजा करैत सन्ध्याकालिन अर्घ सम्पन्न भेल अछि । छठिके अन्तिम दिन जकरा पारन कहल जाति अछि आई उगैत सूर्यके अर्घ दऽ कऽ छठि पर्व सम्पन्न होएत । छठि पर्व कएलासँ दुस्ख दरिद्रता अन्त हएबाक संगहि सन्तान प्राप्तीके संगहि चर्म रोग सम्बन्धी रोग निक होइत छैक जनविश्वास अछि । एम्हर जनकपुरमे चैती छठि करएबला ब्रतालुसभक संख्या क्रमशः वृद्धि भेल अछि । अन्य वर्षसभक तुलनामे एहि वर्ष चैती छठि करएबला ब्रतालुसभक संख्यामे वृद्धि देखलगेल स्थानीय परमेश्वर साह बतओलन्हि अछि ।

Read More »

‘धार्मिक पर्यटकीय करिडर निर्माण होएत’

जनकपुरधाम चैत २७ गते ।मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत प्रदेशक विकासके लेल प्रदेश सरकार धार्मिक पर्यटनकेँ प्राथमिकतामे राखि कऽ आगु बढि रहल बतओलन्हि अछि । सिरहाक लहानमे पाँचम पकडीया गढ महोत्सवके उद्घाटन करैत मुख्यमन्त्री राउत पकडिया गढक विकासके लेल प्रदेश सरकार हरसम्भव प्रयास करत प्रतिवद्धता व्यक्त कएलन्हि । पकडीया गढक विकासके लेल डीपीआर तैयार करबालेल संरक्षण समितिके ओ आग्रह सेहो कएलन्हि ।
आगामी आर्थिक वर्षमे प्रदेशक धार्मिक पर्यटकीय करिडर निर्माण कार्य शुरु होएत कहैत मुख्यमन्त्री राउत राजा सलहेसक गाथासँ जुडल पकडीया गढकेँ सेको करिडरभितर राखि कऽ विकास कार्य आगु बढाओल जाएत उल्लेख कएलन्हि ।
धार्मिक पर्यटकीय करिडर निर्माणके बाद लाखौं आन्तरिक तथा बाह्य पर्यटक लएबाक लक्ष्य सरकार लेने उल्लेख करैत ओ ओहिके बाद एहि क्षेत्रमे आर्थिक गतिविधि तीव्र होएत विश्वास व्यक्त कएलन्हि ।

Read More »
1 16 17 18 19 20 79