स्थानीय

‘कम्युनिस्ट सरकार प्रजातन्त्रविरुद्ध लागि परल’

जनकपुुरधाम जेठ २४ गते । नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य प्रदीप गिरी कम्युनिस्ट नेतृत्वक वर्तमान सरकार प्रजातन्त्र समाप्त करबातर्फ उद्यत रहल आरोप लगओलन्हि अछि । अभिव्यक्ति स्वतन्त्रता पर प्रतिबन्ध तथा भोगविलासमे लिप्त सरकार प्रजातन्त्र समाप्त करबातर्फ लागि परल गिरी बतओलन्हि अछि ।
राष्ट्रिय जागरण कार्यक्रमअन्तर्गत नेपाली कांग्रेस क्षेत्र नम्बर ३ वृहस्पतिदिन जनकपुरमे आयोजना कएने कार्यक्रममे बजैत नेता गिरी नेपाल कम्युनिस्ट पार्टीक वर्तमान सरकार संघीयताक सिद्धान्तविपरित आगु बढि रहल बतओलन्हि ।
देशमे प्रजातन्त्र आ गणतन्त्र लएबामे नेपाली कांग्रेसक नेतृत्वदायी भूमिका निर्वाह कएने स्मरण करबैत गिरी भविष्यमे सेहो एकर रक्षा कांग्रेसमात्र करत दावा कएलन्हि ।
भ्रष्टाचार आ लोकतन्त्रविरोधी गतिविधिमे संलग्न वर्तमान सरकारकेँ परास्त करबालेल जागरण कार्यक्रममार्फत एकजुट भऽ कऽ कांग्रेसके आगु बढब जरुरी रहल ओ उल्लेख कएलन्हि ।
संविधान संशोधन मधेशवादी दलक बुताके बात नहि रहल कहैत नेता गिरी ई काज सेहो कांग्रेसमात्र करत दावा कएलन्हि ।
कार्यक्रममे बजैत नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य महेन्द्र यादव जनतासं ठगि कऽ मत लेलाक बादो मधेशवादी दलसभ संविधान संशोधन करएबामे असफल रहल बतओलन्हि अछि । एखनुक संविधानके खराब कहैत आन्दोलनमार्फत मधेशीके शहादत दिआ कऽ मधेशवादी दलक नेतासभ सत्ताधरि पहुँचल हुनकर आरोप छलन्हि । ‘चुनावक समय ओसभ संविधान संशोधनक नामसँ मधेशी जनताक भोट लेलन्हि,’ नेता यादव कहलन्हि,‘ओहि बहानामे ओसभ सत्तामे सेहो पहुँचल छथि । संविधान संशोधन कहिया होएत आब जनताके पुछबाक समय आएल अछि ।’
नेकपाक सरकार कोनो हालतमे संविधान संशोधन नहि करत दावा करैत केन्द्रीय सदस्य यादव कांग्रेसक नेतृत्वमे मात्र ई काज होएत स्पष्ट कएलन्हि ।
क्षेत्रीय सभापति कन्हैया कर्णक सभापतित्वमे सम्पत्र कार्यक्रममे नेपाली कांग्रेसक प्रदेश २ क संसदीय दलक नेता रामसरोज यादव, प्रतिनिधिसभा सदस्य मिनाक्षी झा, जिल्ला सभापति महेश शंकर गिरी, क्षेत्रीय सचिव दिनेशचन्द्र दीपक, हरी राउतसहितक नेतासभ सम्बोधन कएने छलथि ।

Read More »

साउन १ गतेसँ काम रोकबाक निर्माण व्यवसायीक घोषणा

काठमाण्डु जेठ २३ गते ।नेपाल निर्माण व्यवसायी महासंघ साउन १ गतेसँ सभ निर्माण कार्य ठप्प करबाक निर्णय कएलक अछि । सार्वजनिक खरिद नियमावली (छठम संशोधन) २०७५ के किछु बुँदाविरुद्ध आन्दोलित महासंघ बुधदिन राजधानीमे राष्ट्रिय जमघटमार्फत नयाँ चरणक आन्दोलनके घोषणा कएलक अछि ।
साउन १ गतेसँ पहिनेके लेल महासंघ आन्दोलनक अन्य कार्यक्रम सेहो सार्वजनिक कएलक अछि । जाहिअनुसार व्यवसायी सरकारकेँ अपन इजाजत पत्र बुझाओत तऽ कार्यक्षेत्रमे कारीपट्टी बान्हि कऽ काज करत । संगहि निर्माण उपकरणमे सेहो कारी भण्डा राखत महासंघ जनओलक अछि ।
महासंघक अध्यक्ष रवि सिंहक अनुसार ७७ जिल्ला प्रशासन कार्यालय, प्रदेशमे मुख्यमन्त्री कार्यालय तथा केन्द्रमे सार्वजनिक खरिद अनुगमन कार्यालयमे व्यवसायीसभ धर्ना देताह । तहिना सडक पर शान्तिपूर्ण ¥याली आ बादमे अपन अपन हेभी उपकरणसहित प्रदर्शन करबाक कार्यक्रम महासंघ सार्वजनिक कएने अछि । जेठ १४ गतेसँ शुरु कएलगेल टेण्डर बहिष्कारक आन्दोलनकेँ सेहो महासंघ निरन्तरता देलक अछि ।
राष्ट्रिय जमघटके सम्बोधन करैत महासंघक अध्यक्ष सिंह निर्माण व्यवसायीसभक सुझावविरुद्ध आएल नियमावलीक किछु बुँदा समग्र निर्माण क्षेत्रकेँ तहसनहस बनाओत बतओलन्हि ।
‘नियमावलीक किछु बुँदा एतेक घातक अछि की ओहिसँ निर्माण क्षेत्रकेँ मात्र नहि अन्य क्षेत्रमे सेहो असर करैत देशक अर्थतन्त्रमे नकारात्मक प्रभाव परत निश्चित अछि,’ अध्यक्ष सिंह कलन्हि ।
जमघटमे देशभरिसँ आएल साढे पाँच सयसँ अधिक निर्माण व्यवसायी सहभागी छलथि ।

Read More »

ओली आ प्रचण्डक लिस्ट माधवद्धारा अस्वीकार

काठमाण्डु जेठ २३ गते ।नेकपा केन्द्रीय सदस्यसभकेँ जिल्लाक ईञ्चार्जक जिम्मेवारी देबाक तैयारी कएने अछि । प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे बुधदिन बैसल सचिवालय बैठकमे एहि विषयमे सकारात्मक छलफल भेल अछि । एहि विषयमे अन्तिम निर्णय वृहस्पतिदिन भिन्सर होबएबला सचिवालय बैठक करत प्रवक्ता नारायणकाजी श्रेष्ठ जानकारी देलन्हि ।
प्रवक्ता श्रेष्ठक अनुसार जिल्ला इञ्चार्ज तय करबाक मोडालिटीके विषयमे मोटामोटी समझदारी बनल अछि । केन्द्रीय सदस्यकेँ इञ्चार्ज देबाक सम्भावना अछि ।
वृहस्पतिदिन भिन्सर जिल्ला इञ्चार्ज तथा सहइञ्चार्ज, पोलिटब्युरो गठन, जनवर्गीय संगठनक एकीकरण आ नेतासभक कार्यविभाजनसहितक विषयमे छलफल होएत ।
शीर्ष नेतासभबीच आओर गृहकार्य आवश्यक रहल कहैत वृहस्पतिदिन धरि बैठक स्थगित भेल अछि । आब जिल्ला इञ्चार्ज पूर्वएमाले भेल अवस्थामे सहइञ्चार्ज पूर्वमाओवादीके देबाक मापदण्ड बनाओलगेल अछि । तहिना जिल्ला अध्यक्ष एकतर्फक भेल अवस्थामे इञ्चार्ज दोसरतर्फक बनएबाक मापदण्ड तैयार भेल अछि । पार्टी अध्यक्ष एवं प्रधानमन्त्री केपीशर्मा ओलीक समय अभावक कारण सेहो बैठकमे एहि विषयमे विस्तृत छलफल नहि भऽ सकल ओ स्पष्ट कएलन्हि ।
स्रोतक अनुसार प्रधानमन्त्री एवं पार्टी अध्यक्ष ओली आ दोसर अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड संयुक्त रुपेँ तैयार कएने पार्टी जिल्ला कमिटीक इञ्चार्ज आ सहइञ्चार्जक सूचीमे वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल असहमति जनओने छथि ।
सांसद आ मन्त्री भेलसभकेँ पार्टी जिल्ला कमिटीक इञ्चार्ज आ सहइञ्चार्ज नहि देबाक अडान वरिष्ठ नेता नेपाल लेने बुझबामे आएल अछि । नेपालक अडानक कारण निर्णयक छलफल वृहस्पतिदिन राखलगेल अछि ।

Read More »

मेयर चौधरीक कार्यक्रममे सहभागी नहि हएबाक पत्रकारक निर्णय

इटहरी जेठ २३ गते ।नेपाल पत्रकार महासंघ सुनसरी पत्रकार असुरक्षित रहल निष्कर्ष निकाललक अछि । इटहरीक मेयर द्वारिकालाल चौधरी पत्रकारकेँ देने धम्कीसँ पत्रकार असुरक्षित रहल महासंघ निष्कर्ष निकाललक अछि ।
बुधदिन सम्पत्र महासंघ सुनसरी शाखाक बैठक पत्रकार असुरक्षित रहलाक कारण मेयर सहभागी कोनो कार्यक्रममे पत्रकारकेँ सहभागी नहि हएबाक निर्णय कएलक अछि । संगहि उपमहानगरपालिका कएने कार्यक्रममे सेहो पत्रकारके सहभागी नहि हएबाक निर्णय महासंघ कएने अछि ।
महासंघ प्रदेश समितिक अध्यक्ष विक्रम लुइटेल आ महासचिव विवेक गौतमक उपस्थितिमे सम्पत्र बैठकमे मेयर चौधरी सार्वजनिक रुपेँ माफी नहि माँगएधरि कोनो कार्यक्रममे सहभागी नहि हएबाक निर्णय भेल महासंघक शाखा अध्यक्ष अमर खड्का बतओलन्हि ।
‘नाकके हड्डी तोडि देब, एक करोड रुपैया सुपारी देने छी,’ मेयर चौधरी सार्वजनिक रुपेँ कहने छथि । मेयर चौधरीक कारण नेपाल समय डटकमक प्रदेश १ संयोजक पत्रकार विराट अनुपम विस्थापित हएबाक अवस्थामे पहुँचल कहैत जिल्ला प्रशासन कार्यालय सुनसरीसँ सुरक्षा सेहो माँग कएलक अछि । बुधदिन दुपहर जिल्ला प्रशासन कार्यालय पहुँचल महासंघक टोली पत्रकार विराटक सुरक्षाक माँग कएने अछि ।
एहिबीच नेपाल पत्रकार महासंघ केन्द्रीय कार्यसमिति मेयर चौधरी पत्रकार विराटके देने धम्कीसम्बन्धी घटनाप्रति विरोध जनओलक अछि । राज्यक जिम्मेवार निकायक जिम्मेवार व्यक्तिक तर्फसँ पत्रकारकेँ एहि प्रकारेँ खुल्ला रुपेँ धम्की देबाक घटना प्रेस तथा अभिव्यक्ति स्वतन्त्रता उपर सिधा हस्तक्षेप रहबाक संगहि प्रचलित कानुनके सेहो उपहास भेल महासंघ जनओलक अछि ।
महासंघ घटनाके घोर भत्र्सना करैत धम्की देबएबला मेयरकेँ सार्वजनिक रुपेँ माफी मँगा कऽ प्रेस स्वतन्त्रताक सम्मान करबालेल एवं पत्रकारकेँ निर्वाध आ स्वतन्त्ररुपेँ काज करबाक वातावरण बना एहि प्रकारक घटना फेरसँ नहि हुए एहितर्फ ध्यान देबएलेल सम्बन्धीत निकायक ध्यानाकर्षण करओल अछि ।
एम्हर नेकपासँ निर्वाचित इटहरीक मेयर चौधरीकेँ आत्मालोचना करबालेल नेकपाक नेतासभ सुझाव देलन्हि अछि । जनप्रतिनिधि सार्वजनिक रुपेँ पत्रकारकेँ धम्की देलाक बाद नेकपाक आलोचना होबए लगालक बाद नेतासभ चौधरीके अपनाकेँ सुधार करबालेल सुझाव देलन्हि अछि ।
प्रदेश ५ क मुख्यमन्त्री तथा नेकपा नेता शंकर पोखरेल जनताक बहुदलीय जनवादसँ दीक्षित कार्यकर्ता लोकतान्त्रिक मूल्यमान्यता आ विधिके शासनप्रति प्रतिवद्ध रहबालेल आग्रह कएने छथि । ‘द्वारिकाजीक आक्रोश पीतपत्रकारिता आ भ्रष्टाचारविरुद्ध रहलाक बादो अभिव्यक्ति अस्वभाविक आ गलत अछि,’ मुख्यमन्त्री पोखरेल लिखने छथि,‘एहि कारण हुनका जनप्रतिनिधि आ पार्टी कार्यकर्ता दुनु हिसाबसँ अपन अभिव्यक्तिकेँ सुधार करैत आत्मालोचना करब उचित होएत ।’
दोसर नेता योगेश भट्टराई सेहो चौधरीक अभिव्यक्ति हुनकर राजनीतिक उचाँइके शोभा नहि देने टिप्पणी कएने छथि । भट्टराई लिखने छथि,‘अपन अभिव्यक्तिप्रति सार्वजनिक रुपेँ आत्मालोचना कऽ पदीय गरिमा आ पार्टीक प्रतिष्ठाप्रति सचेत रहबालेल मेयर चौधरीसँ विनम्र अनुरोध करैत छी ।’

Read More »

मन्त्री पण्डित आ मैनालीविरुद्ध प्रदर्शन

जनकपुरधाम जेठ २३ गते ।लोकसेवा आयोग संविधानविपरित विज्ञापन आव्हान कएने कहैत सामान्य प्रशासन मन्त्री लालबाबु पण्डित आ लोकसेवा आयोगक अध्यक्ष उमेशप्रसाद मैनालीविरुद्ध बुधदिन सेहो जनकपुरमे प्रदर्शन भेल अछि ।राष्ट्रिय विद्यार्थी संघ धनुषा संविधानमे उल्लेख कएलगेल समावेशी सिद्धान्तविपरित लोकसेवा आयोग स्थानीय तहमे विज्ञापन आव्हान कएने कहैत विरोध प्रदर्शन कएलक अछि ।संघक अध्यक्ष एवं राजपा अध्यक्षमण्डलक जिल्ला सदस्य ज्ञानेन्द्र झाक नेतृत्वमे विरोध प्रदर्शन कएलगेल अछि । रामानन्द चौकसँ निकलल विरोध जुलुस नगरक विभित्र भागके परिक्रमा करैत जनक चौक पहुँच कऽ कोणसभामे परिणत भेल छल ।
एहिसँ पहिने मंगलदिन भेल विरोध प्रदर्शनक क्रममे आक्रोशित युवासभ मन्त्री पण्डित आ अध्यक्ष मैनालीक पुतला दहन कएने छल ।

Read More »

नवाज पढाबएगेल मौलबीके करेन्ट लागि कऽ मृत्यु

जनकपुरधाम जेठ २३ गते ।ईद–उल–फित्रक अवसरमे नवाज पढाबएगेल एक मौलबीके धनुषामे करेन्ट लागि कऽ मृत्यु भऽ गेल अछि ।बुधदिन भिन्सर नवाज पढाबएगेल सबैला नगरपालिका–८ ठिल्लाक मौलबी ३५ वर्षीय मो.हकिम राईनके करेन्ट लागि कऽ मृत्यु भेल प्रहरी जनओलक अछि । राईन ईदके अवसर पर सबैला नगरपालिका–३ स्थित इदगाहमे नवाज पढाबए गेल छलथि ।
इदगाहमे बाजा तथा हर्न बजाबएलेल तार जोडबाक क्रममे करेन्ट लागि कऽ राईनक मृत्यु भेल इलाका प्रहरी कार्यालय सबैला जनओलक अछि । ११ हजार भोल्टक तारमे आगि लगलाक बाद निचा रहल बच्चाके बँचएबाक क्रममे राईनक पाय तारमे छुलासँ करेन्ट लागल छल ।
करेन्ट लागि कऽ गम्भीर घायल भेल राईनक इलाजके लेल जनकपुर लबैतकाल बाटमे मृत्यु भेल प्रहरी जनओलक अछि ।

Read More »

अस्पताल आ श्रम कार्यालयसँ बिचौलिया गिरफ्तार

जनकपुरधाम जेठ २३ गते । जनकपुर अञ्चल अस्पतालमे इलाज कराबए पहुँचएबला बिमारकेँ निजी क्लिनिकमे पठाबएबला एक आओर बिचौलियाके प्रहरी नियन्त्रणमे लेलक अछि । पकराएबलामे जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–७ क २० वर्षीय आरएन राईन रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनओलक अछि ।
एहिसँ पहिने प्रहरी चारिदिन पहिने बिमारकेँ ठगि फुसला कऽ निजी क्लिनिकमे पठाबएबला बिचौलियाक काज करैत आबि रहल जनकपुर–१० क ३५ वर्षीय मनोज यादव आ सिरहा नगरपालिका–११ क २५ वर्षीय संजय कामतीकेँ नियन्त्रणमे लेने छल ।
ओसभ इलाजके लेल अस्पतालक ओपीडीमे पहुँचएबला बिमारकेँ रास्तामे रोकि कऽ ठगि फुसला कऽ निजी क्लिनिक आ अस्पताल पठा कऽ कमिसन लेबाक कार्यमे संलग्न रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनओलक अछि । ग्रामीण क्षेत्रसँ इलाजके लेल आबएबला साुेझसाझ आदमीकेँ ओसभ अपन निशाना बनबैत आएल प्रहरीके कहब अछि ।
पकराएलसभकेँ जिल्ला प्रहरी कार्यालयक हिरासतमे राखि कऽ आवश्यक अनुसन्धान चलि रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषाक प्रवक्ता डीएसपी रामेश्वर कार्की बतओलन्हि ।
बिचौलियासभ सक्रिय भेलासँ अञ्चल अस्पतालमे सस्ता आ सुलभ तरिकासँ इलाज भेलाक बादो निजी क्लिनिकमे अधिक रकम खर्च करबालेल सोझसाझ बिमारसभ बाध्य होइत आएल अछि ।
एहिबीच जनकपुरस्थित श्रम तथा रोजगार कार्यालयसँ सेहो एक बिचौलियाकेँ प्रहरी नियन्त्रणमे लेलक अछि । पकराएबलामे सर्लाहीक मलंगवा नगरपालिका–५ क ३८ वर्षीय राजेश यादव रहल प्रहरी जनओलक अछि ।
कार्यालयमे आबएबला सेवाग्राहीकेँ श्रम स्वीकृति करादेब कहैत बिचौलियाक काज करैत आबि रहल यादवकेँ विशेष सूचनाक अधार पर नियन्त्रणमे लेलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनओलक अछि ।

Read More »

रौतहटके मेयर उपर आक्रमण

जनकपुरधाम जेठ २३ गते ।इस्लाम धर्मावलम्बीसभ पर्व इद–उल–फित्र मनएबाक क्रममे मस्जिदमे रहल रौतहटके राजपुर फरदहवा नगरपालिकाक मेयरकेँ स्थानीय एक युवक मंगलदिन रातिमे मारिपिट कएलक अछि । पर्व मनाबएलेल चन्दा माँग कएने ओ रकम कम भेल कहैत मेयर उपर आक्रमण कएने बताओलगेल अछि ।
मेयर शेख सकिल उपर गामक शेख कासिम टर्चलाइट प्रहार कएने छल । इद मनएबाक तैयारीमे मस्जिद पहुँचल मेयर सकिलकेँ चन्दाक बहानामे आक्रमण कएलगेल अछि । हुनकर आँखिमे चोट लागल अछि । मेयर सकिल अपना उपर सुनोयिजत रुपेँ आक्रमण भेल बतओलन्हि ।
‘चन्दा एकटा बहाना अछि,’ ओ कहलन्हि,‘पुरान रिसइबी साधएलेल आक्रमण कएलगेल अछि । घटनामे संलग्नकेँ कडा कारबाही होबए चाही ।’
ग्रामीणके आग्रह पर पर्व मनएबाक समय आ तैयारीक विषयमे बुझबालेल ओ मस्जिद हुँचल छलथि । आक्रमणमे संलग्न नेषाद पर्वक समय कनिक अधिक रकम सहयोग देबाक माँग कएने छल । मेयर सकिल ई चन्दा माँगएके समय नहि अछि काल्हि कार्यालयमे आबएलेल कहने छलथि ।
हाथमे टर्च रखने ओ तत्काल मेयर उपर आक्रमण कएने जिल्ला प्रहरी कार्यालय गौर जनओलक अछि । आक्रमणके बाद नेषाद फरार भेल छल । घटनाक सूचना प्राप्त हएबाक संगहि सुरक्षाकर्मी मस्जिद पहुँचल जिल्ला प्रहरी कार्यालयक डीएसपी नवीन कार्की जानकारी देलन्हि ।

Read More »

प्रदेश २ क नीति तथा कार्यक्रमः एक दर्जन संशोधन दर्ता

जनकपुरधाम जेठ २३ गते ।प्रदेश २ सरकार आगामी आर्थिक वर्षके लेल पेश कएने नीति तथा कार्यक्रम उपर सत्ता पक्षक सांसद संशोधन प्रस्ताव दर्ता करओलन्हि अछि । जेठ १९ गते सरकार पेश कएने नीति तथा कार्यक्रम उपर सत्ता गठबन्धन राष्ट्रिय जनता पार्टी (राजपा) नेपालक प्रदेशसभा सदस्य मनिष सुमन संशोधन दर्ता करओलन्हि अछि ।
राजपाक प्रदेशसभा सदस्य सुमन बुधदिन नीति तथा कार्यक्रमउपर तीनटा संशोधन दर्ता करओने जानकारी देलन्हि अछि । सरकार नीति तथा कार्यक्रम लओने दिन सुमन किछु बुँदाउपर आपत्ति जनबैत संशोधन प्रस्ताव दर्ता करब बतओने रहथि ।
सरकारक नीति तथा कार्यक्रम हालहि भेल नरबलीक विषयमे मौन रहल कहैत एहि विषयके समावेश करबालेल ओ संशोधन प्रस्ताव दर्ता करओलन्हि अछि । विगत किछुदिन पहिने धनुषाक ढल्केबरमे शक्तिशाली बनबालेल एकटा भक्ता अढाई वर्षक बालकके बली देने घटनाक विषयमे नीति तथा कार्यक्रम किछु नहि बजलाक कारण संशोधन दर्ता करओने ओ बतओलन्हि ।
तहिना धार्मिक सहिष्णुताक विषयमे सेहो नीति तथा कार्यक्रम स्पष्ट धारणा व्यक्त नहि कऽ सकल कहैत प्रदेशसभा सदस्य सुमन दोसर संशोधन दर्ता करओने छथि । ‘पर्यटकीय क्षेत्र घोषणा करबाक क्रममे नीति तथा कार्यक्रममे हिन्दु पर्यटकीय क्षेत्रकेँ मात्र प्रश्रय देलगेल अछि,’ ओ कहलन्हि,‘धर्मनिरपेक्ष देशमे सभकेँ स्थान भेटब जरुरी अछि । एहि कारण एहि बुँदामे सेहो संशोधन दर्ता करओलौंह अछि ।’
महिला तथा बालबालिकाक सुरक्षाप्रति नीति तथा कार्यक्रम मौन देखलगेल कहैत ई विषय सेहो समावेश करबालेल ओ तेसर संशोधन दर्ता करओने छथि ।
तहिना प्रतिपक्षी दल नेपाली कांग्रेस सेहो नीति तथा कार्यक्रममे ६ टा बुँदापर संशोधन दर्ता करओने अछि । नेपाली कांग्रेसक तर्फसँ प्रदेशसभा सदस्य शिवचन्द्र चौधरी नीति तथा कार्यक्रमउपर संशोधन प्रस्ताव दर्ता करओने छथि ।
कांग्रेस प्रदेशसभा सदस्य चौधरी नीति तथा कार्यक्रमक बुँदा २८, ३१, ७०, १२७, १३५ आ १८६ पर संशोधन प्रस्ताव दर्ता करओने जानकारी देलन्हि ।
नीति तथा कार्यक्रमक दफा २८ मे ‘मधेश आन्दोलन शहीद स्तम्भ तथा पार्क निर्माणकेँ निरन्तरता देल जाएत’ कहलगेल अछि । चौधरी एहि बुँदामे शहीद स्तम्भ आ पार्क निर्माण होबएबला स्थान उल्लेख हएबाक चाही कहैत संशोधन दर्ता करओलन्हि अछि । एहिसँ पहिने वीरगंजस्थित वीपी उद्यान निर्माणके लेल छुटिआओलगेल जमीनमे प्रदेश सरकार मधेशी शहीद उद्यान निर्माण करबालेल शिलान्यास कएलाक बाद कांग्रेस विरोध करैत सदन अवरुद्ध कएने छल । कांग्रेसक विरोधके बाद सरकार सहमतिअनुसार आगु बढब बतओने छल ।
तहिना नीति तथा कार्यक्रमक बुँदा ३१ मे देश विदेशमे अध्ययन कएने सिर्जनशील युवा विशेषज्ञक एकटा अवैतनिक युवा सल्लाहकार परिषद् गठन कएल जाएत जे प्रदेश सरकारकेँ समयसमय पर विविध सल्लाह देत कहलगेल अछि ।
मुदा कांग्रेस अवैतनिक सल्लाकार परिषद्क नाम पर सरकार कार्यकर्ता भर्ती केन्द्र बनाबए चाहि रहल कहैत शिक्षित युवाकेँ पारिश्रमिक दऽ कऽ रोजगार सिर्जना करबाक चाही कहैत संशोधन दर्ता करओने अछि ।
दफा ७० मे वीरगंजमे प्राविधिक विश्वविद्यालय स्थपाना करबाक प्रस्ताव कएलगेल अछि । कांग्रेस प्रविधिकेँ अलग विश्वविद्यालय रखलासँ अन्य विश्वविद्यालयसभके की होएत कहैत प्रदेशभितर रहल विश्वविद्यालयक शाखाके रुपमे वीरगंजेमे प्राविधिक शिक्षण संस्थान सञ्चालन कएल जा सकैत अछि कहैत संशोधन दर्ता करओने अछि ।
बुँदा १२७ मे प्रादेशीक परिवहन सेवा सञ्चालन करबालेल आनलगेल प्रस्ताव स्पष्ट नहि रहल कहैत एहि विषयमे सरकारक मनसाय प्रष्ट करबालेल कांग्रेस संशोधन दर्ता करओने प्रदेशसभा सदस्य चौधरी बतओलन्हि ।
तहिना बुँदा १३५ मे जनता आवास कार्यक्रमसम्बन्धी प्रस्ताव उल्लेख अछि । कांग्रेस पूर्व सहमतिअनुसार जनता आवास कार्यक्रम निर्वाचन क्षेत्रअनुसार सञ्चालन हएबाक चाही कहैत नीति तथा कार्यक्रममे स्पष्ट करबाक माँग करैत संशोधन प्रस्ताव दर्ता करओने अछि ।
हिन्दीके सम्पर्क भाषाक मान्यता देबाक बात कऽ कऽ सरकार भाषिक विवाद खडा करए चाहि रहल आरोप लगओने अछि । मधेशक जनता पहिनेसँ हिन्दीमे बातचित करैत आबि रहल अवस्थामे एकरा मान्यता देबाक आवश्यक्ता नहि रहल आ सरकार भाषिक विवाद उत्पत्र करए चाहि रहल कहैत संशोधन दर्ता कराओलगेल चौधरी बतओलन्हि ।
एम्हर प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेकपा सेहो नीति तथा कार्यक्रमउपर संशोधन प्रस्ताव दर्ता करओलक अछि । नेकपाक प्रमुख सचेतक सुन्दरबहादुर विश्वकर्मा हिन्दीकेँ सम्पर्क भाषा बनएबाक सरकारक प्रस्तावसहित अन्य किछु बुँदासभपर संशोधन प्रस्ताव दर्ता करओने बतओलन्हि ।

Read More »

प्रधानमन्त्री ओली युरोप जएबासँ पहिने मन्त्रीमण्डल फेरबदल

काठमाण्डु जेठ २२ गते ।प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली युरोप भ्रमणमे जएबासँ पहिने मन्त्रीमण्डल गठन करबाक तैयारीमे छथि । एहि विषयमे प्रधानमन्त्री ओली आ अध्यक्ष प्रचण्डबीच छलफल भेल अछि । किछु नयाँ चेहराके समेट कऽ मन्त्रीमण्डल पुनर्गठनके तैयारी रहल स्रोत जनओलक अछि ।
ओली यहाय २५ गते ९ दिनक औपचारिक भ्रणके लेल जेनेभा जा रहल छथि । मन्त्रीमण्डलमे योगेश भट्टराई, खगराज अधिकारी, पार्वती गुरुङसहितके सामिल करबाक तैयारी रहल बालुवाटार स्रोत जनओलक अछि । एहिसँ पहिने मन्त्री अस्वीकार कऽ चुकल स्थायी समिति सदस्य योगेश भट्टराई द्विविधामे परल छथि । ओली ५ वर्षक कार्यकाल चलएबाक अवस्थामे ओ मन्त्री बनताह स्रोत जनओलक अछि ।
एम्हर अध्यक्ष प्रचण्ड गृहमन्त्री रामबहादुर थापाकेँ हटा कऽ अन्य ककरो मन्त्री बनएबाक इच्छा व्यक्त कएलन्हि अछि । मुदा थापा प्रधानमन्त्री ओलीक विश्वस जितलाक कारण ई सम्भावना कम अछि । मन्त्री बनाओल जा रहल भट्टराईके पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मन्त्रालय, सूचना तथा सञ्चार प्रविधि मन्त्रालय या सहरी विकास तथा भौतिक योजना मन्त्रालयमेसँ एक देबाक तैयारी अछि । तहिना विवादमे रहल सञ्चारमन्त्री गोकुल बाँस्कोटाके जिम्मेवारी सेहो फेरबदल हएबाक सम्भावना अछि ।

Read More »