स्थानीय

देउवा–पौडेल सहमतिके बाधक सिटौला ?

काठमाण्डु चैत २५ गते ।कांग्रेस कार्यसम्पादन समिति गठनमे सभापति शेरबहादुर देउवा आ रामचन्द्र पौडेलबीच ६०–४० प्रतिशत भागबन्डा करबाक सहमति दोसर नेता कृष्णप्रसाद सिटौला तोडि देलन्हि अछि ।
शुक्रदिन सभापति देउवा आ पौडेलबीच कार्यसम्पादन समिति गठनमे ६०–४० के सहमति भेल छल । ओहि सहमतिप्रति असन्तुष्ट सिटौला रातारात तोडि देलाक बाद कार्यसम्पादन समिति गठन अनिश्चिततामे परल अछि । तहिना केन्द्रीय समिति बैठक सेहो अनिश्चितकालके लेल स्थगित भेल अछि ।
कार्यसम्पादन समितिमे सिटौला पक्षकेँ हिस्सा नहि भेटलाकबाद शनिदिनके लेल बजाआलगेल केन्द्रीय समितिके बैठक नहि भऽ सकल । कांग्रेसमे विगत लम्बा समयसँ संस्थापन आ गैर संस्थापन समूहके अलग अलग गुट अछि । १३ अम महाधिवेशनके बाद अलग गुटके नेतृत्व करैत आबि रहल सिटौला कार्यसम्पादन समितिमे हिस्सा नहि भेटलाक बाद अपन अस्तित्व संकटमे परि रहल कहैत असन्तुष्ट भेल छथि ।
गत शुक्रदिन राति देउवा निवास बुढानीलकण्ठमे भेल अनौपचारिक छलफलमे कार्यसम्पादन समिति गठन करबाक क्रममे देउवाकेँ ६० प्रतिशत आ पौडेलके ४० प्रतिशत सदस्य देबाक सहमति भेल छल । सभापति देउवा सिटौला पक्षकेँ पौडेलके भेटल ४० प्रतिशतसँ कार्यसम्पादन समितिमे प्रतिनिधित्व करएबाक पक्षमे देखलगेलाक बाद सिटौला असन्तुष्ट भेल रहथि ।
नेता पौडेल सेहो सिटौला पूर्ण रुपेँ अपन पक्षमे नहि रहलाक कारण हुनका भाग नहि देल जा सकैत अछि बतओने रहथि । सिटौला पक्षकेँ ६० प्रतिशतसँ कार्यसम्पादन समितिमे हिस्सा देबाक माँग पौडेल देउवासँ कएने रहथि । शुक्रदिन देउवा निवासमे भेल अनौपचारिक छलफलमे अपमानित भेल कहैत सिटौला बहराएल रहथि ।
कांग्रेस केन्द्रीय सदस्य मीन विश्वकर्मा सभ नेता उपत्यका बाहर रहल आ समयमे बैठकमे उपस्थित नहि भऽ सकलाक कारण बैठक स्थगित कएलगेल बतओलन्हि । ‘भागबन्डाक विवादक बात जेना बाहर आएल अछि ओ सत्य नहि अछि, सहमति जुटल अछि । आब होबएबला केन्द्रीय समिति कार्यसम्पादन समितिक निर्णय करत,’ विश्वकर्मा बतओलन्हि ।

Read More »

‘राजपा आ फोरमबीच एकीकरण भेल तऽ राजनीतिमे चमत्कार’

जनकपुरधाम चैत २५ गते ।संघीय समाजवादी फोरम नेपाल आ राष्ट्रिय जनता पार्टी (राजपा) बीच एकीकरणक चर्चा भेलाक बादो ई सम्भावना कम रहल जानकारसभ बतओलन्हि अछि ।
दु दल अपन अपन तर्फसँ एकीकरणके लेल वार्ता समिति गठन कएने अछि । मुदा एखनधरि कोनो औपचारिक वार्ता शुरु नहि भेल अछि । एहिसँ सेहो दुनु दलबीच एकीकरण हएबामे आशंका कएलगेल अछि ।
मधेश मामिलाक जानकार तुलानारयण साह दुनु दलबीच एकीकरण भेल तऽ राजनीतिमे चमत्कार होएत बतबैत छथि । मधेशक राजनीति भावनात्माक सोँचसँ भऽ रहल बतबैत राजनीतिके व्यवहारिक पक्ष देखलासँ एकता हएबाक सम्भावना न्यून रहल ओ बतओलन्हि ।
एहि दुनु दलक विगत १०–१२ वर्षक गतिविधि देखलासँ सहकार्य आ मोर्चाबन्दी भऽ सकैत अछि मुदा एकीकरण नहि भऽ सकत हुनकर तर्क अछि । एकीकरण हएबाक एखन कोनो ‘सिजन’ नहि अछि ओ कहलन्हि,‘एकीकरण करबालेल दुनु दल उपर कोनो दबाब नहि अछि, नहि चुनाव भऽ रहल अछि, नहि आन्दोलन तब कियाक एकीकरण करत ।’
दुनु दल अपनाकेँ राष्ट्रिय पार्टी कहैत आबि रहलाक बादो मधेशमे मात्र केन्द्रीत अछि । दुनु दलक एजेन्डा, मुद्दा आ विचार एकहि अछि । मुदा एकीकरणक सम्भावना नहि देखलगेल अछि । एहिसँ पहिने सेहो प्रयास नहि भेल से नहि अछि । दुनु पार्टीबीच एकीकरणक प्रयास ई तेसर बेर अछि ।
एहि दुनु दलमे व्यक्तिगत महत्वाकांक्षा रहल नेतासभ अधिक छथि । ओहि कारण एकीकरण सम्भव नहि रहल बतबैत छथि पत्रकार सीताराम अग्रहरी । गोरखापत्र दैनिकके पूर्वसम्पादक सेहो रहल ओ कहैत छथि,‘एकीकरण शब्द सुनएमे निक लगैत अछि । मुदा एहिके लेल दुनु पक्षक मन मिलए परैत अछि । ई राजपा आ फोरममे नहि देखलगेल अछि ।’
शुरुएसँ एहि दुनु दलबीच एकीकरणके लेल प्रयास भेल अछि मुदा नेतृत्वक लालसा आ व्यक्तिगत स्वार्थके कारण एखनि धरि नहि भऽ सकल बतबैत ओ कहलन्हि,‘एहि दुनु दलबीच एकीकरण नहि भेल तऽ ओ व्यक्तिवादी सोचके कारण नहि भेल बुझलासँ होएत ।’
राजपा नेपालमे ६ सदस्यीय अध्यक्षमण्डल अछि । दु वर्ष पहिने ६ टा दल मिल कऽ राजपा नेपाल बनल छल । ६ दलक अध्यक्षके रखैत अध्यक्षमण्डल बनओने अछि । महाधिवेशनपश्चात सेहो अध्यक्षमण्डल राखल जाए या नहि एहि विषयमे विवाद अछि । अध्यक्षमण्डलक सदस्यसभ आगामी महाधिवेशनके बाद सेहो अध्यक्षमण्डल रखबालेल पहल कऽ रहल छथि तऽ अन्य नेतासभ अध्यक्षमण्डल हटाबएलेल दबाब दऽ रहल छथि ।
एहिसँ प्रष्ट होइत अछि, नेतासभमे शीर्ष नेतृत्वमे रहबाक लालसा । फोरम नेपालमे सेहो एहिना अछि । विगतसँ जतहजतह पार्टी एकीकरणक बाद उठैत अछि फोरम नेपाल अपन नेतृत्व माँग करैत अछि । अशोक राई नेतृत्वक संघीय समाजवादी पार्टी नेपालसँ एकीकरण करबाक क्रममे राईके वरिष्ठ नेता बना कऽ उपेन्द्र यादव अध्यक्ष भेलथि । नयाँ शक्ति पार्टीसँ सेहो एकीकरणक बात चलला पर फोरम नेपाल अपन नेतृत्वक दावा कएलक ।
राजपा नेपालसँ तऽ शुरुएसँ फोरम नेपाल एकीकृत पार्टी नेतृत्वक दावा करैत आबि रहल अछि । ओहि कारण नेतासभमे व्यक्तिगत महत्वाकांक्षासँ एकता हएबाक सम्भावना नहि रहल विश्लेषकसभ बतबैत छथि । फोरम नेपाल आ राजपा नेपालबीच एकीकरण भेल तऽ अगिला महाधिवेशनके लेल राजपाक ६ आ फोरम नेपालक एकसहित सात सदस्यीय अध्यक्षमण्डल बना कऽ आगु बढबाक राजपा नेपालक प्रस्ताव अछि ।
अनौपचारिक बातचितमे फोरम नेपाल एहिकेँ अस्वीकार कएने अछि । फोरम नेपाल दुनु पार्टीबीच एकीकरण भेल तऽ दुनु पार्टीबीच एक÷एक अध्यक्ष राखि कऽ अध्यक्षमण्डल बनएबाक प्रस्ताव कएने अछि । एहि विषयमे दुनु दलबीच विवाद देखलगेल अछि ।
दुनु दलबीच तीनबेर पत्र अदानप्रदान भेलाक बादो औपचारिक वार्ता नहि भेल अछि । राजपा नेपाल फोरम नेपालकेँ सरकारसँ बाहर अएबाक पहिल शर्त रखने अछि । मुदा फोरम नेपाल पार्टी एकीकरणबाद एकीकृत पार्टीक निर्णय अनुसार सरकारसँ बहरएबाक या सरकारमे रहबाक निर्णय लेल जाएत पत्रमार्फत राजपा नेपालकेँ जानकारी करओने अछि ।
वरिष्ठ अधिवक्ता सुरेन्द्र महतो कहैत छथि,‘दुुनु दलबीच एकीकरण नहि भेल तऽ ओ व्यक्तिगत कारणसँ मात्र नहि होएत । एखन एकटा पार्टी सरकारमे अछि आ दोसर सरकारसँ बाहर । एहि विषयमे दुनु दलबीच विवाद अछि ।’
दुनु दलकबीच सिद्धान्त, विचार, लक्ष्य आ एजेन्डामे कोनो फरक नहि अछि । एहि कारण दुनु दलक बीचमे एकीकरण हएबाक सम्भावना रहल बतबैत महतो एकीकरणके लेल प्रयास जारी रखबाक सुझाव दैत छथि ।

Read More »

‘अदालतक आदेश आ संविधान अनुरुप वंशजके आधार पर नागरिकता’

पोखरा चैत २५ गते ।गृहमन्त्री रामबहादुर थापा वंशजके आधार पर नागरिकता अदालतक आदेश आ संविधान अनुसार रहल बतओलन्हि अछि । गण्डकी प्रदेशमे सुरक्षा गोष्ठीके सन्दर्भमे पोखरा पहुँचल गृहमन्त्री थापा रविदिन आयोजित पत्रकार भेटघाटमे जन्मसिद्ध नागरिकता प्राप्त व्यक्तिके सन्तानके नागरिकता नहि भेटलासँ समस्या आएल उल्लेख करैत ओकरासभकेँ नागरिकता देबाक विषय संविधानमे उल्लेख रहल बतओलन्हि ।
संसदमे नागरिकतासम्बन्धी विधेयक छलफलके क्रममे रहलाक बादो अधिवेशन स्थगित भेलाक कारण तत्कालीन समस्या समाधान करबालेल मन्त्रालय परिपत्र कएने स्पष्ट करैत सर्वोच्च अदालतक आदेशक संगहि संविधानमे व्यवस्था रहलाक कारण एहि पर शंका करबाक अवस्था नहि रहल ओ बतओलन्हि ।
प्रदेश प्रहरी ऐन छलफलके क्रममे रहल आ संसदके दोसर अधिवेशन एहिसँ पारित करत ओ जानकारी देलन्हि । सरकार गठन भेल एक वर्षके आधार वर्षक रुपमे लेलगेल उल्लेख करैत गृहमन्त्री थापा एहिबीचमे विकासक पूर्वाधार निर्माणक संगहि नीतिगत आ संरचनागत रुपेँ बाज भेल बतओलन्हि ।
ओ सरकार शान्ति सुरक्षा कायम करबामे सफल भेलाक कारण पृथकतवादी आन्दोलनमे लागल समूहकेँ देशक अखण्डता आ विकासमे समाहित करैत मूलधारमे आनलगेल बतओलन्हि । विप्ल समूह शान्ति सुरक्षा आ विकासक लेल बाधक भेल उल्लेख करैत ओकरासभकेँ सेहो मूल प्रवाहमे लएबाक प्रयास भऽ रहल बतओलन्हि ।
ओहि समूहक असंवैधानिक आ गैरकानुनी गतिविधिकेँ प्रतिबन्धित कएलगेल बतबैत ओ संविधान आ कानुने एहि प्रकारक गैरकानुनी गतिविधिमे प्रतिबन्ध लगओने स्पष्ट कएलन्हि ।

नागरिकता विधेयकविरुद्ध प्रदर्शन
नागरिकता विधेयककेँ राष्ट्रघाती कहैत खारिज करबाक माँग करैत काठमाण्डुक माइतीघरमे रविदिन प्रदर्शन भेल अछि । नागरिकता विधेयकविरुद्ध संघर्ष समन्वय समितिक नामसँ भेल प्रदर्शनमे नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी (मसाल), नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी (माले), राष्ट्रिय जनमोर्चा, रािष्ट्रय जागरण परिषदसहितक राजनीतिक दल तथा संघ संगठन सहभागी छल । प्रदर्शनकारीसभ नागरिकता विधेयक खारिज करबाक, उच्चस्तरीय नागरिकता छानबिन न्यायिक आयोग गठन करबाक सहितक माँग रखने अछि ।

Read More »

मेस बन्द भेलाक बाद भुखे रहबालेल बाध्य

जनकपुरधाम चैत २५ गते ।भीषण हावाबिहारिक कारण बारा आ पर्सामे घायल भेलसभक इलाज एखनो स्थानीय अस्पतालमे चलि रहल अछि । सरकारी स्वामित्वक नारायणी अस्पतालमे १७ टा घायल एखनो उपचार करा रहल अछि ।
अस्पतालमे इलाज करा रहल घायल आ देखभाल करएबलासभकेँ लेल तत्काले विभित्र संघसंस्था सकृयतापूर्वक अस्पताल परिसरमे मेस सञ्चालनमे लाबि कऽ निःशुल्क खाना उपलब्ध करओलक । मेस सञ्चालनके लेल सामाजिक संस्था आ राजनीतिक दलक भातृ संगठनसभक होडे चलल छल । एहि होडके कारण पीडितके सहज रुपेँ अस्पतालमे खाना भेटैत छल ।सोमदिन भिन्सरेसँ चलल मेस शुक्रदिन भिन्सरसँ पूर्वा सूचनाबिना अचानक बन्द भेल अछि । भीषण हावाबिहारिके बाद भागमभाग करैत जान बँचा कऽ घायलसभक इलाजके लेल अस्पताल लऽ कऽ पहुँचल परिवारजनलँग पैसा नहि रहलाक कारण साथमे रहल वृद्धवृद्धा आ बालबालिका सेहो पर्याप्त खाना नहि खा सकल अछि ।
घायल आ देखभाल करएबलासँग अस्पतालमे आश्रय लऽ रहल पाँच वर्षसँ कम उमेरक बालबालिकाके सभसँ खराब अवस्था अछि । समय पर उपयुक्त खाना नहि खा सकल अछि । अस्पतालमे उपचारार्थ घायलके लेल ६ टा बालबालिकाके संगहि ३४ गोटे देखभाल करएबला अछि ।
‘शुरुमे सहयोगके लेल छिनाझपट करएबलासभ एखन एकाएक गायब भेल अछि,’ सामाजिक अभियन्ता जयमोद ठाकुर कहलन्हि,‘बिना पैसा होटलमे खाना नहि भेटैत अछि, अस्पताल बिमारके मात्र खाना खुआ रहल छैक ।’
अभिभावक स्वयं अस्पतालक शै्यामे उपचार करा रहलसभक देखभाल कएन्हिारसभके खानाके व्यवस्था करब आओर असम्भव अछि । किछुगोटे रिश्तेदारक सहयोगमे खानाके व्यवस्था कएने अछि ।
जिल्ला विपद् व्यवस्थापन समितिक संयोजक सेहो रहल प्रमुख जिल्ला अधिकारी नारायणप्रसाद भट्टराई पीडितके अवस्था देखैत तत्कालके लेल देखभाल करएबलासभकेँ सेहो खानाके व्यवस्था करबाक निर्देशन देबाक आवश्वासन देलन्हि । सक्षमके अपने व्यवस्था करब उचित अछि मुदा असहायके सहयोग कएल जाएत ओ बतओलन्हि ।
गत रविदिन साँझ आएल भीषण चक्रवातसँ बारा आ पर्सामे पाँच सयसँ अधिक आदमी घायल भेल अछि । ओहिमेसँ एखनो किछुके उपचार जारी अछि ।
पूर्ण आ आंशिक रुपेँ क्षतिग्रस्त पहुँचल घरके संख्या ५०१ अछि । एहिमेसँ १२२ घर पूर्ण रुपेँ क्षतिग्रस्त भेल अछि । तहिना बारामे सभसँ अधिक ९ सय ३७ घर पूर्ण रुपेँ आ ९ सय ५५ घर आंशिक रुपेँ क्षतिग्रस्त भेल बताओलगेल अछि । गृह मन्त्रालयक अनुसार दुर्घटनामे ११ महिला, १० पुरुष आ ७ बालबालिकासहित २८ गोटेके मृत्यु भऽ गेल अछि ।

Read More »

बारा–पर्सा चक्रवातः मृतकके १३ अम पूण्यतिथिमे प्रादेशिक शोकके घोषणा

जनकपुरधाम चैत २५ गते ।प्रदेश २ सरकार हावाबिहारिक कारण बारा आ पर्सामे मृत्यु भेलसभक १३ अम पूण्यतिथिमे प्रादेशिक शोक मनएबाक घोषणा कएलक अछि । रविदिन सम्पत्र मन्त्रिपरिषद्के बैसार १३ अम पूण्यतिथि अर्थात चैत ३० गते प्रादेशिक शोक मनएबाक निर्णय कएने भौतिक विकास मन्त्री जितेन्द्र सोनल जानकारी देलन्हि ।बैसार १३ अम पूण्यतिथिके दिन आमनागरिक, कर्मचारी, विद्यार्थी, शिक्षकसहितक सभकेँ ११ बजे दु मिनेट मौन धारण करबालेल आह्वान सेहो कएलक अछि । तहिना मन्त्रिपरिषद्के बैसार हावाबिहारिक कारण मृत्यु भेल परिवारकेँ किरिया खर्चस्वरुप तत्काल २५ हजार रुपैयाँ उपलब्ध करएबाक निर्णय सेहो कएने अछि ।
भीषण हावाबिहारिक कारण बारा आ पर्सामे २८ गोटेके मृत्यु हएबाक संगहि ६ सयसँ अधिक आदमी घायल भऽ गेल अछि । तहिना एहि हावाबिहारिक कारण करोडौं मूल्य बराबरकेँ धनजनके क्षति भेलाक बादो संघीय सरकार राष्ट्रिय शोकके घोषणा नहि कएलाक बाद प्रदेश सरकार ई निर्णय कएने अछि ।
तराई मधेश भोगि रहल एहि विपद् अवस्थामे सेहो संघीय सरकार राष्ट्रिय शोकके घोषणा नहि कऽ सकब दुर्भाग्यपूर्ण रहल मन्त्री सोनल बतओलन्हि । राष्ट्रिय शोकके घोषणा नहि कऽ संघीय सरकार मधेशी जनताक दुःखप्रति गम्भीर नहि रहल प्रमाणित भऽ चुकल हुनकर कहब छलन्हि । मधेशक जनता एहि विपद्के सामना कऽ रहलाक बाबजुद संघीय सरकार राष्ट्रिय शोक घोषणा नहि करब मधेशप्रतिके सरकारक भावना प्रष्ट भेल अछि सोनल बतओलन्हि । घटनाके दिन प्रदेश २ क मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत गृहजिल्ला झापामे रहल प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीके टेलिफोन कऽ कऽ राष्ट्रिय शोक घोषणा करबालेल आग्रह सेहो कएने रहथि ।

Read More »

‘सरकार विद्यार्थीक बालमनोविज्ञानके ध्यान नहि देलक’

काठमाण्डु चैत २४ गते ।नेपाल विद्यार्थी संघक पूर्व अध्यक्ष नैनसिंह महर बारा आ पर्साक हावाबिहारिक प्रभावित विद्यार्थीसभक बालमनोविज्ञान पर खराब असर परल बतओलन्हि अछि । प्रभावित क्षेत्र पहुँच कऽ पीडितकेँ राहत सामग्री प्रदान कएने नेता महर बालबालिकाके मनो विज्ञानमे खराब असर परल देखलगेल बतओलन्हि अछि ।
स्कुल जओनाई बन्द भेलाक बाद ओसभ भविष्यप्रति चिन्तित बनल बतबैत महर सरकार बालकालिकाक संरक्षण आ मनोव उच्च करबाक कोनो काज नहि कएने शिकायत कएलन्हि अछि । प्रभावित क्षेत्रमे सरकारी तवरसँ अधिक विभित्र संस्थासँ पर्याप्त राहत पहुँच आ आब ओहिके व्यवस्थित रुपेँ प्रदान करबातर्फ सरकारके ध्यान देबाक आवश्यक्ता रहल महर बतओलन्हि अछि ।
त्र संस्थासँ पर्याप्त राहत पहुँच आ आब ओहिके व्यवस्थित रुपेँ प्रदान करबातर्फ सरकारके ध्यान देबाक आवश्यक्ता रहल महर बतओलन्हि अछि ।
त्र संस्थासँ पर्याप्त राहत पहुँच आ आब ओहिके व्यवस्थित रुपेँ प्रदान करबातर्फ सरकारके ध्यान देबाक आवश्यक्ता रहल महर बतओलन्हि अछि ।
‘हावाबिहारि आ वर्षा शुरु भऽ चुकल अछि । गर्मी मौसम शुरु भऽ रहल अछि । एहि मौसममे तराईमे साँप आ मच्छरके प्रकोप रहल करैत अछि,’ नेता महर कहलन्हि,‘एखनुक समयमे पीडितकेँ ओत लगबाका स्थान प्रमुखताके साथ आवश्यक अछि । ओहितर्फ सरकारके ध्यान देबाक चाही ।’ ओ सरकार काजसँ अधिक काजमात्र कऽ रहल आरोप सेहो लगओलन्हि । यथाशीघ्र पीडितके घावमे मलहम लगएबाक काज करबालेल महर सरकारसँ आग्रह कएलन्हि ।
बाराके फेटा गामपालिका पहुँच कऽ हुनकर नेतृत्वक टोली पीडितकेँ राहत प्रदान कएने अछि ।

Read More »

समय पर होएत राजपाक महाधिवेशन ?

काठमाण्डु चैत २४ गते ।राष्ट्रिय जनता पार्टी (राजपा) नेपालक पहिल महाधिवेशन निर्धारित समय पर हएबामे अनिश्चितता देखलगेल अछि । तय मितिमे महाधिवेशन सम्पत्र करबालेल कोनो तैयारी नहि भऽ रहल समय नेतृत्व बारा आ पर्सामे आएल आँधीके कारण बना कऽ मिति आगु घुसकएबाक तैयारी कएने पार्टी निकट स्रोत जनओलक अछि ।
राजपा नेपाल नयाँ वर्षक वैशाख ७, ८ आ ९ गते राष्ट्रिय एकता महाधिवेशनक मिति तय कएने अछि । मुदा, बारा आ पर्सामे आएल आँधीके कारण तैयारी पुरा नहि भेल कारण देखबैत तय समयमे महाधिवेशन हएबाक सम्भावना कम देखलगेल अछि । २०७४ वैशाख ७ गते ६ टा दल मिल कऽ बनल राजपा नेपाल एक वर्षभितर महाधिवेशन करबाक निर्णय कएने छल ।
पार्टी अध्यक्षमण्डलक सदस्य महेन्द्रराय यादव एखनधरि पार्टी नेतृत्व तय मितिमे महाधिवेशन करबाक तैयारीमे रहल दावा करैत कोनो प्राविधिक समस्या आएल अवस्थामे पार्टीक बैठकसँ नयाँ मिति घोषणा कएल जाएत बतओलन्हि ।
‘एखनधरि बैशाखमे महाधिवेशन करबाक तैयारी भऽ रहल अछि, तैयारी पुरा नहि भेल अवस्थामे ओहि विषयमे पार्टीके बैठकसँ निर्णय कएल जाएत,’ ओ कहलन्हि,‘एखन जिल्लासभमे सेहो महाधिवेशनक विषयमे छलफल भऽ रहल अछि ।’
ओ कहलन्हि,‘बारा पर्सामे आएल विनाशकारी हावाबिहारिसँ सेहो महाधिवेशनकेँ प्रभावित कएने अछि । पार्टीक नेता तथा कार्यकर्तासभ ओतह पीडितकेँ उद्धार, राहत तथा अन्य व्यवस्थापनमे लगलाक कारण तैयारीमे पर्याप्त ध्यान नहि पहुँचल अछि ।’
ओ एहि प्रकारक दावा कएलाक बादो पार्टीके आँधीसँ पहिने जाहि रुपेँ तैयारी करबाक चाही छल ओहि प्रकारेँ नहि कएने अछि । राजपा नेपालक अध्यक्षमण्डलक बैठक चैत १५ गतेधरि साधारण सदस्यता लेबएलेल समय तय कएने छल । साधारण सदस्यता वितरणके समय समाप्त भऽ गेलाक बादो प्रतिवेदन केन्द्रधरि नहि पहुँचल अछि । केन्द्र स्वीकृत नहि करएधरि सदस्यसभकेँ आधिकारिकता नहि भेटत ।
एम्हर राजपाक दोसर तहक नेतासभ तय समयमे महाधिवेशन सम्पत्र करबालेल नेतृत्वके दबाब दऽ रहल छथि । पार्टीक सहअध्यक्ष लक्ष्मणलाल कर्ण, उपाध्यक्ष वृषेशचन्द्र लाल, सर्वेन्द्रनाथ शुक्लसहितक नेतासभ अध्यक्षमण्डलसँ भेँट कऽ राजनीतिक समितिक बैठक बजाबएलेल माँग कएलन्हि अछि । ओसभ चैत ४ गते तत्कालीन अध्यक्षमण्डलक संयोजक यादवसहित अध्यक्षमण्डलक अन्य सदस्यसभसँ भेँट कऽ ई माँग कएने रहथि ।
ओसभ जाहि रुपेँ पार्टीकेँ काम आगु बढि रहल अछि, ओहि आधारपर तय समयमे महाधिवेशन हएबामे अपनासभकेँ शंका रहल धारणा रखने रहथि । महाधिवेशन भइयो गेल तऽ लोकतान्त्रिक विधिसँ हएबा पर ओसभ शंका व्यक्त कएलन्हि ।
लोकतान्त्रिक विधिसँ महाधिवेशन नहि भेल तऽ ओ पार्टीके हितमे नहि रहल कहैत ओसभ राजनीतिक समितिके बैठकमे विमर्श कऽ आगु बढबालेल ध्यानाकर्षण करओने छथि ।
ओहि क्रममे तत्कालीन संयोजक यादव राजनीतिक समितिके बैठक नयाँ अध्यक्ष मण्डलक संयोजक बजओताह आश्वासन देने रहथि । मुदा शरतसिंह भण्डारी अध्यक्षमण्डलक संयोजक बनला करिब दु सप्ताह भऽ गेलाक बादो बैठक नहि बजाओलगेल हुनकासभक शिकायत अछि । एहि विषयमे उपाध्यक्ष लाल ओसभ राजनीतिक समितिके बैठक बजएबाक माँग कएने बतओलन्हि ।
तय समय पर महाधिवेशन हएबाक विषयमे शंका रहल कहैत लाल राजनीतिक समितिके बैठकसँ एहि विषयमे निर्णय लेबा पर जोड देलन्हि अछि । मुदा एखनधरि नेतृत्वके तर्फसँ कोनो पहल नहि भेल कहैत ओ अध्यक्षमण्डलेसँ काम चलएबाक निर्णय करैत रहल गलत अछि बतओलन्हि ।
महाधिवेशन हएबाक दु सप्ताह बाँकी रहलाक बादो एखनधरि कोनो तैयारी नहि देखलगेल अछि । मुदा नेतासभ तैयारी बिने तैयारी भऽ रहल प्रतिक्रिया दैत आबि रहल छथि । एकताक एक वर्षभितर महाधिवेशन नहि करा सकलाक बाद राजपा विधान संशोधन कऽ दु वर्षभितर महाधिवेशन सम्पत्र करबाक उल्लेख कएलक । ओहि अनुसार बैशाखमे महाधिवेशन करबाक मिति तय कएलगेल । मुदा तय मितिभितर सेहो महाधिवेशन हएबाक सम्भावना क्षिण होइत गेलाक बाद पार्टीभितर शिकायत बढैतगेल अछि ।
पार्टी स्रोतक अनुसार महाधिवेशनक दु सप्ताह बाँकी रहलाक बादो निचका कमिटीमे अधिवेशन सम्पत्र नहि भऽ सकल अछि । महाधिवेशनके लेल गाम, नगर, जिल्ला आ प्रदेश समितिके अधिवेशन होबए परैत अछि मुदा एखन धरि कोनो अधिवेशन नहि भऽ सकल अछि ।

Read More »

कांग्रेस बैठक अचानक स्थगित

काठमाण्डु चैत २४ गते ।नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय कार्यसमितिक बैठक कार्यसम्पादन समितिमे भागबन्डा नहि मिललाक बाद स्थगित भेल अछि । पार्टी सभापति शेरबहादुर देउवा आ वरिष्ठ नेता रामचन्द्र पौडेल पक्षबीच २९ सदस्यीय समितिमे ककरा राखल जाए एहि विषयमे सहमति नहि भेलाक बाद बैठक स्थगित भेल कांग्रेस नेता नरहरी आचार्य जानकारी देलन्हि ।
शनिदिन दुपहर १ बजेके लेल बजाओलगेल बैठकमे केन्द्रीय कार्यसम्पादन समिति आ संसदीय बोर्ड गठन, केन्द्रीय विभागक संयोजक तय करबाक विषयमे चर्चा होएत बताओलगेल छल ।
शुक्रदिनमात्र सभापति देउवा निवास बुढानीलकण्ठमे सम्पत्र पदाधिकारी, पूर्व पदाधिकारी आ शीर्ष नेतासभक अनौपचारिक बैठकमे भागबण्डा मिलचुकल बताओलगेल छल । सभापति देउवा ६० आ ४० के भागबण्डा कऽ कार्यसम्पादन समितिके निष्कर्षमे पहुँचएबाक प्रस्ताव कएने आ शनिदिनके बैठकसँ ओहिके मूर्तरुप देल जाएत बताओलगेल छल । कांग्रेसक विधानअनुसार पदाधिकारीसहित २९ सदस्यीय कार्यसम्पादन समितिमे सभापतिसहित ७ गोटे पदाधिकारी रहताह तऽ बाँकी २१ गोटे केन्द्रीय समितिसँ अओताह । केन्द्रीय समिति बैठक नहि भऽ सकल समय केन्द्रीय कमिटीमार्फत होबएबला निर्णयसभ एहि समितिके करबाक अधिकार रहैत अछि । शनिदिनक बैठक स्थगित भेलाक बादो अगिला बैठकके समय तय नहि कएलगेल अछि । नेतासभ बीच बाहरे सहमति जुटा कऽ जल्दिए दोसर बैठक बजाओल जाएत एक नेता जानकारी देलन्हि ।

Read More »

नेपालमे पहिलबेर ‘टोर्नाडो’

जनकपुरधाम चैत २४ गते ।बारा आ पर्सामे रविदिन साँझ आएल भीषण हावाबिहारि ‘टोर्नाडो’ रहल पुष्टि भेल अछि । नेपाल विज्ञान तथा प्रविधि प्रज्ञा प्रतिष्ठान (नास्ट) के प्राज्ञ तथा वरिष्ठ मौसमविद् मदनलाल श्रेष्ठसहितक एक टोलीद्धारा कएलगेल अध्ययन नेपालक इतिहासमे पहिलबेर एहन हावाबिहारि ‘टोर्नाडो’ आएल पुष्टि कएने अछि ।
बारा आ पर्सामे आएल हावाबिहारि ‘टोर्नाडो’ रहल बतओलन्हि अछि । बीरोके रुपमे आबएबला एहन बिहारि पहुँचल स्थानक हरेक भौतिक वस्तु उखरि जाइत अछि जल तथा मौसम विज्ञान विभागक पूर्व महानिर्देशक सेहो रहल श्रेष्ठ बतओलन्हि ।
ओ कहलन्हि,‘ ‘टोर्नाडो’ आएल समय आकाशसँ बादलसहितके वायु टीपके आकारमे धर्तीमे केन्द्रित होइत अछि, जतह छुयैत अछि, ओतह पुरा विनाश कऽ दैत अछि । बाहर बादलके घेरा आ भितर हावाके न्यून चाप रहलाक कारण ई पहुँचल हरेक स्थानक भौतिक वस्तु उखरि जाइत अछि ।’
शुरुमे अन्हर बिहारि कहि कऽ पूर्वानुमान कएलाक बादो ओहि भितर सेहो उच्चतम जोखिमयुक्त मौसम प्रणाली विकास भेलासँ ‘टोर्नाडो’ बनैत अछि श्रेष्ठ बतओलन्हि । ‘ ‘टोर्नाडो’ आएल समय सुख्खा बिहारिसहितके बादल आ पानिक बादल गरजैत ठनका, पाथरि खसबाक संगहि कडा आँधीके सिर्जना होइत अछि,’ ओ कहलन्हि,‘एहि कारण फैलल आकारसँ खुमचैत निचा छोट क्षेत्रमे कडा भार सिर्जना करैत अछि ।’
ओ कहने जँका बारामे आएल बिहारि स्थानीयके पक्का घरके संगहि गाछ, पैघ सवारी साधन, भौतिक संरचना नष्ट कएने अछि । भू–उपग्रहसँ लेलगेल तस्बिरके अध्ययन करबाक क्रममे सेन्टियल नामक भू–उपग्रह ओहि दिन नेपालक बारा आ पर्सामे विपत्तिके दोसर दिन १० मिटर उचाईसँ खिचलगेल तस्बिरक अध्ययनपश्चात ‘टोर्नाडो’ आएल पुष्टि भेल ओ बतओलन्हि ।
फेटा गामपालिका क्षेत्र होइत करिब ३० किलोमिटर क्षेत्रकेँ ई अपन रास्ता बना कऽ आगु बढल तस्बिरमे प्रष्ट देखलगेल ओ बतओलन्हि अछि । हुनक अनुसार यात्रामे जे भेटल सभकेँ क्षतिग्रस्त बनओने देखलगेल अछि । विज्ञ श्रेष्ठक अनुसार आओर स्पष्ट देखबालेल अमेरिकाक भू–उपग्रह खिचने तस्बिर खरिद करए परत आ ओहिके लेल प्रकृया शुरु कऽ पत्र पठाओलगेल ओ जानकारी देलन्हि ।

Read More »

हावाबिहारि प्रभावित क्षेत्र एखनो अन्हार

जनकपुरधाम चैत २४ गते ।बाराके हावाबिहारि प्रभावित क्षेत्रक स्थानीयवासी अन्हारमे रहबामे बाध्य भेल छथि । भीषण हावाबिहारिक कारण बिजलीके पोलसभ क्षतिग्रस्त भेलाक कारण ओहि क्षेत्रमे एखनधरि विद्युतीय सेवा सञ्चालनमे नहि आबि सकलाक कारण स्थानीय अन्हारमे राति ब्यतित करबालेल बाध्य भेल छथि ।
बाराक हावाबिहारि प्रभावित क्षेत्रमे विद्युत प्रसारण हएबामे आओर दु सप्ताह समय लागत बताओलगेल अछि । विद्युत आपूर्तिके लेल नयाँ पोल, तार आ ट्रान्सफर्मर हावाबिहारिसँ सभसँ अधिक प्रभावित भलुही भरवलिया आ पुरैनियामे क्षति भेलाक बादो जडान करबाक कार्य शुरु नहि भऽ सकल नेपाल विद्युत प्राधिकरण कलैया वितरण केन्द्र जानकारी देलक अछि ।
हावाबिहारि प्रभावित क्षेत्रमे पीडित आ राहत वितरण करएबलासभक भीडभाडके कारण पोल गडबाक काजकेँ गती नहि भेट सकलाक कारण विद्युत आपूर्ति नियमित करबामे ढिलाइ भेल अछि ।
लगातार तीन दिनसँ प्राविधिकसहितक टोली प्रभावित क्षेत्रमे खटलाक बादो अत्याधिक भीडभाडके कारण काज शुरु करबामे चुनौती देखलगेल वितरण केन्द्रक प्रमुख गजेन्द्रकुमार चौधरी कहलन्हि,‘एखनुक अवस्था देखलासँ विद्युत नियमित करबामे कमसँ दु सप्ताह लागि सकैत अछि ।’
हावाबिहारिक कारण बाराक सभसँ अधिक प्रभावित फेटा गामपालिकाक वार्ड नम्बर १ अन्तर्गतके भलुहीभरवलियामे ६ आ वार्ड नम्बर ६ क पुरैनियामे १२ गोटेके हावाबिहारिक कारण मृत्यु भेल छल । एहि दुनु गाममे पैघ संख्यामे विद्युतक पोल, तार आ ट्रान्सफर्मरमे क्षति पहुँचल अछि ।

Read More »
1 29 30 31 32 33 88