स्थानीय

‘रेल देखबालेल जनकपुर स्टेशन पर भिड’

जनकपुरधाम २५ । जनकपुर रेलवे स्टेशनमे पहिलबेर ५३ बोगीसहितक रेल पहुँचल अछि । भारतक झारखण्डसँ ब्लास्ट (रेलवे लिकमे प्रयोग होबएबला गिट्टी) लऽ कऽ ५३ बोगीसहितक मालबाहक रेल बुधदिन बेरियामे जनकपुर पहुँचल अछि । एहिसँ पहिने जनयनगर स्टेशनसँ दुहबी स्टेशन धरि एतबे संख्या रहल बोगीसहितक रेल पहुँचल छल ।जयनगर–जनकपुर रेलमार्ग लिकमे ब्लास्ट रखबालेल भारतक झारखण्डसँ चलल मालबाहक रेल जनकपुर धरि पहुँचल रेल तथा मेट्रो विकास आयोजना साइट कार्यालय जनकपुरक प्रमुख साइट इन्जिनियर विनोद ओझा जानकारी देलन्हि ।
ओझाक अनुसार जयनगरसँ प्रतिघण्टा ७ सँ १० किलोमिटर प्रति घण्टाक गतिमे आएल मालबाहक रेलमे सवार मजदुर लिकमे ब्लास्ट खसबैत जनकपुर धरि पहुँचल छल । जयनगरसँ कुर्था धरि रेल सञ्चालन करबालेल ३ टा हल्ट आ ५ टा स्टेशनक निर्माण कार्य अन्तिम चरणमे अछि । तहिना स्टेशन भवन, आवास निर्माणसहित कार्य लगभग पुरा भऽ चुकल अछि ।
भारतक रेल निर्माण कम्पनी इरकोन इन्टरनेसनल जयनगरसँ कुर्था धरि ब्रोडगेज रेलमार्ग निर्माण कएने अछि । भारतसँ आएल मालबाहक रेल जनकपुर स्टेशन पहुँचालकबाद रेल देखबाले पैघ संख्यामे स्थानीयसभक भिड जुटल छल । किछु स्थानीय मन्द गतिमे आबि रहल रेल पर चढि कऽ पहिलबेर ब्रोडगुज रेलक अनुभूति लेने छलथि । भारत सरकारक सहयोगमे निर्माण भऽ रहल जयनगर–जनकपुर–कुर्था रेलमार्गमे एहिसँ पहिने दुहबी धरि रेलके सफल परीक्षण कएलगेल छल ।
आगामी अगहन महिनामे विवाह पञ्चमीक अवसर पर रेलमार्ग उद्घाटन करबाक तैयारी चलि रहल अछि । भारतक सहयोगमे पहिलबेर नेपालमे निर्माण कएलगेल ब्रोडगेज रेलम उद्घाटन करबालेल भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके जनकपुर अएबाक संभावना रहल बताओलगेल अछि । यद्यपी एहि विषयमे औपचारिक जानकारी अएबाक बाँकी रहल रेलवेके अधिकारीसभ बतओलन्हि अछि ।

Read More »

जनकपुरमे विजया दशमीक चहलपहल

जनकपुरधाम २५ । । हिन्दु धर्मावलम्वीसभक महान पावनि दशमी बुधदिनसँ शुरु भेल अछि । दशमीक पहिल दिन आई घरघरमे घटस्थापना कएलगेल । तहिना विजया दशमीमे दुर्गा पूजाके आयोजना होबएबला स्थानसभमे सेहो घटस्थापना कएलगेल अछि । नवरात्रामे दुर्गा स्तोत्र पाठ कऽ शक्ति स्वरुपा दुर्गामाताके स्तुति कएल जाइत अछि । निपपोत कऽ राखलगेल शुद्ध स्थानमे दिप, कलश, गणेशक स्थापना कऽ बाउल मिलाएल माटिमे जौ, तील, मकै सहितक सामग्री राखि कऽ घटस्थापना करबाक परम्परा अछि । एम्हर दशमीक शुरुवातक संगहि जनकपुरमे चहलपहलमे वृद्धि भेल अछि । प्रमुख शक्तिपीठ राजदेवी मन्दिर सहित एतुका विभिन्न स्थानसभमे दुर्गा पूजाके तैयारी कएलगेल अछि ।
जनकपुरक राजदेवी मंदिर, विद्यापति चौक स्थित दुर्गा मंदिर, रामानन्द चौक, दुर्गा चौक, वौधी माई, पिडडीया माइस्थान, रजौल, देवी चौक सहित एक दर्जनसँ अधिक स्थानमे दुर्गा पूजाके तैयारी कएलगेल अछि । तहिना जनकपुर अगल बगल ग्रामीण क्षेत्रमे सेहो प्रतिमा स्थाना कऽ धुमधाम एवम श्रद्धापूर्वक दुर्गा पूजाके तैयारी कएलगेल अछि । दुर्गा पूजाके भव्य रुपेँ सम्पन्न करबालेल आयोजक सभ एक महिना पहिनेसँ अर्थ संकलनक कार्यमे जुटि जाइत छथि ।
प्रतिमा स्थापना कऽ कऽ पूजा कएल जाएबला स्थान विद्यापति चौक स्थित दुर्गा मन्दिर, रामानन्द युवा क्लबक आयोजनामे रामानन्द चौक सहितक स्थान लगा कऽ सरसाजवट कऽ कऽ भव्यता प्रदान कएलगेल अछि । लगातार १९ वर्षसँ दुर्गा पूजा करैत आबि रहल रामानन्द युवा क्लब अन्य वर्षजँका एहु वर्ष पूजाके भव्य तैयारी कएने अछि । दुर्गा पूजा धुमधामसँग मनाबएलेल पण्डाल, प्रतिमा सहितक निर्माण कार्य तिब्र रुपेँ चलि रहल क्लबक अध्यक्ष मनमोहन साह जानकारी देलन्हि । दुर्गा पूजा सम्पन्न करबामे १० लाखसँ अधिक खर्चके अनुमान कएलगेल साह बतओलन्हि । जनकपुरवासीक आर्थिक सहयोगसँ पूजाके भव्यता देल जा रहल हुनकर कहब छलन्हि ।
तहिना राजदेवी मन्दिरमे दुर्गा पूजाके आयोजना करैत आबि रहल महावीर युवा कमिटी एहु वर्ष पण्डाल निर्माणमे कटौती कएने अछि । राजदेवी मन्दिरके सौन्दर्यीकरण कार्य पहिनेसँ कएलगेलाक कारणेँ पण्डाल निर्माणमे लागएबला खर्चके कटौती कएलगेल महावीर युवा कमिटीक अध्यक्ष रोशन शेखर जानकारी देलन्हि । एम्हर विद्यापति चौक स्थित दुर्गा मन्दिरमे सेहो दुर्गा पूजालेल पण्डाल निर्माण कार्यके एक सप्ताह पहिनेसँ तिब्रता देलगेल अछि ।
तहिना जनकपुरक वौधी माईमे पूजाआजा करैत आबि रहल रामयुवा कमिटी सेहो सरसजावट कऽ कऽ । राम चौक स्थित वौधीमाई प्राङण तथा बाहर कमिटीक तर्फसँ पण्डाल निर्माण सहित अन्य सरसजावटक कार्य शुरु भऽ चुकल कमिटीक अध्यक्ष शंभु शाह प्रेमी जानकारी देलन्हि । घटस्थापना दिनसँ पूजाअर्चना करबालेल श्रद्धालुसभक भिडभाड रहलाक कारणेँ ओहिसँ पहिने सम्पूर्ण तैयारी समाप्त करबाक लक्ष्य आयोजकसभ रखने अछि । जनकपुरक दुर्गा पूजामे नगर क्षेत्र सहित अगलबगलक स्थानसँ सेहो श्रद्धालु भक्तजन पूजाअर्चना करबालेल आएल करैत छथि । तहिना जनकपुर अगलबगल क्षेत्रमे सेहो दुर्गा पूजाके तैयारी तीब्र रुपेँ चलि रहल अछि ।

Read More »

जनकपुरक व्यपारीमे नहि अछि दशमीके उत्साह

जनकपुरधाम १८ । नेपालीसभक महान पावनि दशमी आबएमे मात्र २ दिन बाँकी अछि । नेपालमे चर्चित रहल जनकपुरक दुर्गा पूजा प्रत्येक वर्षजँका एहि बेर सेहो हर्षोल्लासके साथ मनाबएके तैयारी अछि । भव्यताके साथ दशमी मनाबए एतुका स्थानीय युवा क्लबसभ जोडतोडसँ तैयारीमे जुटल अछि । प्रमुख शक्तिपीठ राजदेवी मन्दिर सहित एक दर्जनसँ अधिक स्थानमे शक्ति स्वरुपा दुर्गाके मूर्ति स्थापना कऽ एतह भव्यताके साथ दशमीके पूजाअर्चना कएल जाइत अछि । राम मन्दिर परिसर भितर रहल राजदेवी मन्दिर, विद्यापति चौक स्थित दुर्गा मन्दिर, रामानन्द चौक, पिडडीया माइस्थान, वौधीमाई रजौल सहितक विभिन्न चौक चौकमे मूर्ति स्थापना कऽ पूजा कएल जाएबला स्थानसभमे आकर्षक पण्डाल, रंगबिरंगी बल्ब लाइट लगाबएके काज चलि रहल अछि ।
मुदा, एडिबीके ऋण सहयोगमे जनकपुरमे सञ्चालित एकिकृत सहरी विकास परियोजना अन्तर्गत निर्माण भऽ रहल सडक दशमी आबए लगला बादो नहि बनि सकला बाद निरास अछि, एतुका व्यपारी । बजारमा पहुँचए लेल एखनो सडक निर्माण नहि भऽ सकलासँ दशमीके लेल बजारमे सर्वसाधारणके चहलपहल नहि अछि ।
सडक विस्तारक क्रममे तोडलगेल घरसभ मर्मत नहि भऽ सकला बाद करोडो घाटा सहि कऽ सटर बन्द कऽ कऽ बैसल अछि, जनकपुरक व्यापारीसभ । करिब एक वर्षसँ जनकपुरक व्यवसाय धरासायी बनि गेल अछि । ६ महिनासँ कतेको व्यापारी दोकानके ताला सेहो नहि खोलि सकल अछि । सुनसान देखलगेल अछि, जनकपुरक मूल व्यापारिक क्षेत्र भानुचौक, जनक चौक आ जानकी चौकके सडक, राममन्दिरसँ जानकी मन्दिरके बाट आ जानकी मन्दिरसँ महावीर चौकके रस्ता । सडक विस्तारक क्रममे व्यावसाय ध्वस्त भेला बाद ऋण आ कर्जाके दबाब नहि झेल सकलासँ किछु व्यापरी विस्थापित भेल अछि तऽ किछु भारततर्फ सेहो पलायन भऽ चुकल अछि ।
जनकपुरधाम उपमहानगर भितर सञ्चालनमे रहल करिब १० हजार दोकानके व्यवसायमे अगिला सालसँ एहि बेर ८० प्रतिशतसँ व्यपारमे फरक देखलगेल अछि । दसैंमे लाखोके आम्दानी कएन्हिार एतुका कपडा आ सोन चाँदी व्यवसायीसभ सभसँ अधिक मारमे पडल अछि । दशमी तिहारक समय सोनचाँदी खरिद बिक्री होबएबला जनकपुरक अधिकांश दोकान सञ्चालनमे नहि अछि ।
‘सडक निमार्णक क्रममे घर टुटि गेल, ५ महिनासँ सटर बन्द अछि । पहिने आएल रु.१४ लाखके माल (कपडा) जहिनाके तहिना थन्कल अछि । १८ वर्षसँ जनक चौक जानकी चौकके बीचमे कपडा दोकान सञ्चालन करैत आएल भोला साह कहलन्हि ‘ऋणके ब्याज नहि तिरए सकल छी । ऋण कोना तिरु ? हमरासभक क्षतिपुर्ति के तिरत ?’
दसैँ नजदिक आबि गेला बादो सकड नहि बनि सकलासँ दोकानमे ग्राहक नहि आबि रहल रेडिमेड कपडा व्यपारी अविनाश झा बतबैत छथि । भानुचौकसँ रेल्बे स्टेशनके रस्तामे बुटिक सञ्चालन करैत आएल रीतु अग्रवाल कहलीह, ‘सडक अवरुद्ध भेलासँ एहि बेरक दसैँ तिहार ओहिना चलि जाएत, गत वर्ष एहि समयमे दशमीके बजार सुरु भऽ गेल रहैत छल , मुदा एहिबेर किछु अतापता नहि अछि,’ ओ कहलीह, ‘सामान दोकान धरि नहि आबि सकैत अछि, रहल सामा सेहो लेबए आबए लेल ग्राहककेँ सहज होबएबला रस्ता नहि अछि ।’
सोनचाँदी व्यवसायी अमर ठाकुर कहलन्हि, व्यापार विकासक लेल, सडक जल्दी बनएबामे नहि तऽ उद्योग वाणिज्य संघ चाखि देखओलक नहि तऽ उपमहानगरपालिका ।

Read More »

प्रदेशसभा सचिवालयके उधार खर्च तत्काल भुक्तानी करबालेल काँग्रेसक माँग

जनकपुरधाम १८ । नेपाली काँग्रेस प्रदेश २ क प्रदेसभा सचिवालय व्यवस्थापनक लेल उधारमे खरिद कएलगेल समानके मूल्य चुक्ता करबालेल माँग कएलक अछि । कांग्रेक सांसद शिवचन्द्र चौधरी प्रदेशसभा सचिवालय उधारमे खरिद कएने समानके बिल तत्काल भुक्तानी करबालल माँग कएलन्हि अछि । ओ प्रदेशसभा गठन भेल ८ महिना बितए जा रहला बादो एखन धरि दोकानदारके भुक्तानी नहि करब लज्जास्पद रहल बतओलन्हि ।
सांसद चौधरी मंगलदिन प्रदेशसभामे बजैत संसदीय विकास कोषसँ विकासके रकम निर्वाचन क्षेत्रमे सांसदसभ खर्च कएने या नहि कएने संसदीय अनुगमन समिति गठन कऽ कऽ छानबिन करबालेल माँग कएलन्हि । संदनमे गोविन्द बहादुर पोखरेल सप्तरीके शुम्भुनाथ नगरपालिकामे वर्षोसँ बसोबास करैत आएल व्यक्तिसभक घर हटा कऽ गरिब दिन दुःखीकेँ पावनि तिहारसक समयमे घरविहिन बनओने कहैत सरकारके ध्यानाकर्षण करओने छलथि ।
नेकपाक सांसद ज्वाला कुमारी साह प्रदेश संसदजँका गरिमामय स्थानमे उधारमे फर्निचर सहित आवश्यक भौतिक पुर्वाधारके सरसामग्री लाबि कऽ महिनो धरि रकम नहि तिरब अपने गरिमा खसाएब सरह रहल बतओलन्हि । ओ २ नम्बरी प्रदेशमे २ नम्बरी काज जनतासभ कहए शुरु कऽ चुकलासँ ओहिकेँ सरकार प्रोत्साहन देने आरोप लगओलन्हि ।
अधिकांस सांसद बैठकसभमे संसदीय छानबीन समितिके माँग उठि रहल समय सभामुख सरोज कुमार यादव संसदीय दलक नेतासभसंग छलफल कऽ कऽ दोसर बैठकमे समिति चयनके लेल प्रस्ताव आगा बढ्त आश्वासन देलन्हि ।
एम्हर, सदने सांसद दिलिप कुमार साह प्रदेशसभा कार्य सञ्चालन नियमावली, २०७५ के नियम ७१ अनुसार लागू औषध तथा मादक पदार्थ दुव्र्यसनी अन्तक लेल प्रस्ताव पेश कएलन्हि अछि । लागु औषधके दुरुपयोगसँ प्रदेशमे १० सँ १५५ युवा पुस्ताके भविष्य तहस–नहस भऽ रहल बतबैत सांसद साह लागू औषध तथा मदिरा मुक्त प्रदेश घोषणाके माँग कएने छलथि । प्रस्तावमे खास कऽ सिमावर्ती क्षेत्रमे एहिके दुरुपयोग अधिक भऽ रहल आ एहि सम्बन्धमे प्रदेशक शान्ति सुरक्षा सम्बन्धी काज कऽ रहल प्रहरी प्रशासन सेहो किछु खास उपलब्धि प्राप्त करए नहि सकलासँ जरुरी सार्वजनिक महत्वके प्रस्ताव पेश कएलगेल उल्लेख अछि ।”
प्रस्तावमे लागू औषधी नियन्त्रण ऐन २०३३ लागू औषध व्यवसाय तथा सेवन कएन्हिारकेँ दण्ड साजयके व्यवस्था कएला बादो नियन्त्रणसँ बाहिर जा कऽ विकराल रुप लऽ रहल अछि । एहिसँ एकदिसस प्रयोग कएन्हिारके स्वास्थ्य खराब होइत अछि तऽ दोसरदिस सम्बद्ध परिवार सहित समाजमे नहि निक प्रभाव पडलासँ तुरुन्त आवश्यक कानून लाबि एहिके प्रभावकारी कार्यान्वयनके माँग कएलक अछि ।
प्रस्तावमे सांसद मो. समिम आ फुलिया देबी सदाय समर्थन कएने छलथि । प्रभाव उपर सैद्धान्तिक छलफलमे नेपाली काँग्रेसक सांसद शिवचन्द्र चौधरी मदिरा मुक्त क्षेत्र घोषणा करबालेल ओहिके राजश्व करके प्रभाव, आर्थिक ब्ययभार सहितक विषयमे गहन अध्ययन कऽ कऽ मात्र एहि विषयमे निष्कर्ष लगाबए माँग कएने छलथि ।

Read More »

मधेश आन्दोलन घायलके प्रदेश सरकारक सहयोग

जनकपुरधाम १८ । मधेश आन्दोलनक घायल विजयकुमार ठाकुरके प्रदेश सरकार १ लाख ५० हजार रकम सहयोग उपलब्ध करओलक अछि । प्रथम मधेश आन्दोलनक क्रममे घायल भेल महोत्तरीक पिपरा गामपालिका–५ रतौलीक ठाकुरकेँ प्रदेश सरकार आर्थिक सहयोग उपलब्ध करओने अछि । आन्दोलनमे घायल भेल ठाकुरके एकटा पायर गुमाबए परल छन्हि ।
रतौलीमे आयोजित एक कार्यक्रमकबीच मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत ठाकुरके चेक हस्तान्तरण कएलन्हि अछि । मधेश आन्दोलनक बल पर देशमे संघीयता स्थापित भेल कहैत मुख्यमन्त्री राउत शहीदसभक बलिदानकै आत्मसात करैत प्रदेश सरकार आगु बढि रहल बतओने छलथि ।
प्रदेश सरकार शहीद परिवारके रोजगारी देबाक निर्णय अनुसार अपन काज शुरु कऽ चुकल उल्लेख करैत शहीद परिवारक योग्यता आ क्षमताक आधार पर रोजगारी देल जाएत राउत बतओलन्हि । मधेश आन्दोलनक घायलसभक संख्या हजारौं रहल कहैत क्रमशः सहयोग रकम उपलब्ध कराओल जाएत हुनकर कहब छलन्हि ।
प्रदेशक शान्ति सुरक्षा आ विकासक जिम्मा प्रदेश सरकारके रहलाक बादो केन्द्र सरकार संघीयताके असफल बनएबाक प्रयास कऽ रहल राउत आरोप लगओलन्हि । संघीयता विरोधीसभ प्रदेशकेँ असहयोग कऽ कऽ जनतामे संघीयताप्रति वितृष्णा फैलाबएके प्रयासमे रहल राउत बतओलन्हि ।
एहिबीच मुख्यमन्त्री राउत महोत्तरीक जलेश्वर नगरपालिका–१२ नैन्हीमे पेटझरीके कारण मृत्यु भेल परिवारके १÷१ लाख रुपैयाँ सहयोग करबाक घोषणा कएलन्हि अछि । पेटझरी प्रभावित क्षेत्रके निरीक्षण करबालेल सोमदिन नैन्ही पहुँचल राउत ई घोषणा करैत आगामी दिनमे महामारी नहि फैलएदेबएलेल रणनीति तैयार करबालेल स्वास्थ्यकर्मीसभकेँ निर्देशन देलन्हि ।

Read More »

मूल्यवृद्धि फिर्ताके माँग करैत तरुणदल बुझओलक ज्ञापन

जनकपुरधाम १८ । नेपाली काँग्रेसक युवा संगठन नेपाल तरुण दल मूल्यवृद्धिसहित विभिन्न माँग आगु बढबैत धनुषासहित देश भरिके जिल्ला प्रशासन कार्यालयमार्फत सरकारकेँ ज्ञापनपत्र बुझओलक अछि ।
दशैंके नजदिक आबि कऽ पेट्रोलियम पदार्थसहित दैनिक उपभोग्य सामग्रीमे कएलगेल मूल्यवृद्धि तत्काल फिर्ता लेबाक माँग करैत तरुणदल प्रमुख जिल्ला अधिकारीमार्फत सरकारकेँ सोमदिन ज्ञापनपत्र बुझओने अछि ।
कालाबजारी आ तस्करी नियन्त्रण, पावनि तिहारक समयमे आवश्यक दैनिक उपभोग्य वस्तु सहज तरिकासँ उपलब्ध करबाले सुपथ मूल्य दोकानक व्यवस्था, शान्ति सुरक्षाके उचित व्यवस्था करबालेल ज्ञापनपत्रमे माँग कएलगेल अछि । तहिना बलात्कार कऽ हत्या कएलगेल निर्मला पन्तक हत्याराके यथाशीघ्र कारबाही करबाले तरुण दल माँग कएने अछि ।
तरुण दल धनुषाक अध्यक्ष संजय लाभ कर्णक नेतृत्वमे उपाध्यक्ष राकेश विक्रम साह, कपलेश्वर महतो, सचिव श्यामसुन्दर साह, कोषाध्यक्ष अन्जनी झा, नेवि संघक जिल्ला अध्यक्ष सुजित मिश्र, तरुण दलक नगर उपाध्यक्ष सुभाष पाठक, जितेन्द्र कर्ण, रमेशकुमार यादवसहितक व्यक्तिसभक टोली प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रेम लामिछानेके ज्ञापनपत्र बुझओने छल ।

Read More »

समर्थन फिर्ताक चेतावनीसहित प्रधानमन्त्रीकेँ राजपाक ज्ञापनपत्र

जनकपुरधाम १८ । सरकारसँ समर्थन फिर्ताक चेतावनीसहित राजपा नेपाल प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीकेँ सोमदिन ज्ञापनपत्र बुझओलक अछि । राजपा धनुषासहित तराई मधेशक प्रत्येक जिल्लाक प्रमुख जिल्ला अधिकारीमार्फत प्रधानमन्त्रीके ज्ञापनपत्र बुझओने अछि । राजपा प्रमुख जिल्ला अधिकारीमार्फत प्रधानमन्त्रीकेँ बुझओने ज्ञापनपत्रमे संविधान संशोधनक प्रस्ताव सदनमे लएबाक, मधेश आ थरुहट आन्दोलनक क्रममे राजपाक कार्यकर्ता उपर लगाओलगेल झुठ मुद्दा फिर्ता लेबाक आ बन्दीकेँ रिहाइ करबाक माग कएने अछि । तहिना, अपन प्रतिनिधिसभा सदस्य रेशम चौधरीक सपथग्रहण तथा आन्दोलनक घायलसभकेँ जीविकोपार्जनके व्यवस्था करबालेल राजपा माँग कएने अछि ।
एखन अचानक भेल मूल्यवृद्धि नियन्त्रण करबाक, देशमे हरेक दिन भऽ रहल हत्या, हिंसा आ बलात्कारक घटनाकेँ नियन्त्रण करबालेल राजपा माँग कएने अछि । प्रतिनिधिसभामे राजपाके १६ सांसद अछि । टीकापुर घटनाक मुख्य योजनाकारके रुपमे आरोपित रेशम चौधरीकेँ एखन धरि शपथग्रहण नहि कराओलगेल अछि । ओ पुर्पक्षके लेल कारागारमे छथि ।
राजपाक प्रदेश २ क प्रमुख सचेतक परमेश्वर साह, जनकपुरक उपमेयर रीता झा, राजपा नेता संजयकुमार सिंह, राजपा जिल्ला कोषाध्यक्ष रामविनोद चौधरी, सदाशिव मिश्रसहितक व्यक्तिसभ जिल्ला प्रशासन कार्यालय पहुँच कऽ धनुषाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रेम लामिछानेको ज्ञापनपत्र बुझओने छल ।

Read More »

सीके राउत गौरसँ गिरफ्तार

जनकपुरधाम १८ । स्वतन्त्र मधेशक माँग रखैत आन्दोलन करैत आबि रहल सीके राउत रौटहटसँ गिरफ्तार भेल छथि । राउतके रौतहट प्रहरी सदरमुकाम गौरसँ नियन्त्रणमे लेने छैक ।  जिल्ला अदालत रौटहटके तारिखमे उपस्थित होबएलेल गौर पहुँचल समय राउतके नियन्त्रणमे लेलगेल रौतहटके प्रहरी उपरीक्षक केदार ढकाल जानकारी देलन्हि । राउतके प्रहरी हुनक ४ वर्षीया बेटी आ गाडीके चालकके सेहो नियन्त्रणमे लेने छल । राउतविरुद्ध राज्य विप्लवविरुद्धक मुद्दा दायर कएलगेल अछि । ओ अपन समर्थकसहित अदालत पहुँचल छलथि ।
आशिन ३ गते संविधान दिवसके विरोध करैत राउत जनकपुरमे शक्ति प्रदर्शन कएने रहथि । संविधान दिवसके विरोधमे राउतकेँ कार्यक्रम नहि करए देबाक तैयारी कएने प्रहरी विभिन्न स्थानसँ हुनकर कार्यकर्तासभकेँ नियन्त्रणमे लेने छल । यद्यपी प्रहरी राउतकेँ नियन्त्रणमे लेबएमे सफल नहि भेल छल । राउत आसिन ३ गते जनकपुरक रामानन्द चौक पर अपन समर्थकसभकबीच सभा कएने रहथि । प्रहरीके आगुए राउत सभा कएलाकबाद सरकारसँ लऽ कऽ सुरक्षा निकायकेँ कडा आलोचना भेल छल ।

Read More »

सरकारकेँ राजपाक अल्टिमेटम

जनकपुरधाम १८ ।सरकारकेँ समर्थन करैत आबि रहल राष्ट्रिय जनता पार्टी (राजपा) नेपाल माँग पुरा करबालेल सरकारकेँ अल्टिमेटम देलक अछि । राजपा सोमदिन सभ जिल्ला सदरमुकाममे प्रमुख जिल्ला अधिकारीमार्फत अपन माँग पुरा करबालेल ज्ञापनपत्र बुझएबाक निर्णय कएने अध्यक्ष मण्डलक सदस्य राजकिशोर यादव जानकारी देलन्हि अछि ।प्रधानमन्त्री केपी ओलीसँ राजपाक अध्यक्ष मण्डलके संयोजक आ सदस्यसभ भेँट करबाक प्रयास कएलाकबादो समय नहि भेटल अछि । प्रधानमन्त्री ओलीसँ सोमदिन भेट कऽ ज्ञापनपत्र बुझाबक तैयारी राजपाक अछि मुदा समय निर्धारण नहि भेल यादव बतओलन्हि ।
राजपा प्रधानमन्त्रीकेँ बुझाबएबला ज्ञापनपत्रमे संविधान संशोधनक प्रस्ताव सदनमे लएबाक, मधेश आ थरुहट आन्दोलनक क्रममे राजपाक कार्यकर्ता उपर लगाओलगेल झुठ मुद्दा फिर्ता लेबाक आ बन्दीकेँ रिहाइ करबाक माग करए जा रहल अछि । तहिना, अपन प्रतिनिधिसभा सदस्य रेशम चौधरीक सपथग्रहण तथा आन्दोलनक घायलसभकेँ जीविकोपार्जनके व्यवस्था करबालेल राजपा माँग करैत आबि रहल अछि ।
एखन अचानक भेल मूल्यवृद्धि नियन्त्रण करबाक, देशमे हरेक दिन भऽ रहल हत्या, हिंसा आ बलात्कारक घटनाकेँ नियन्त्रण करबालेल राजपा माँग कएने अछि । प्रतिनिधिसभामे राजपाके १६ सांसद अछि । टीकापुर घटनाक मुख्य योजनाकारके रुपमे आरोपित रेशम चौधरीकेँ एखन धरि शपथग्रहण नहि कराओलगेल अछि । ओ पुर्पक्षके लेल कारागारमे छथि ।

Read More »

वार्डध्यक्ष साहक घर सहित जनकपुरक विभिन्न स्थानमे चलल डोजर

जनकपुरधाम १८ । जनकपुर उपमहानगरपालिका भितर सडक विस्तारक क्रममे नगरपालिकाके परिपत्र अनुसार स्वईच्छासँ घर नहि तोडन्हिारसभक घर उपर डोजर चलल अछि । एसियाली विकास बैंकके सहयोगमे जारी एकीकृत सहरी विकास परियोजना अन्तर्गत भऽ रहल सडक निर्माण एवं विस्तार क्रममे स्थानीयसभ अपनेसँ घर नहि तोडला बादा डोजर चलाओलगेल अछि । एहि क्रममे रविदिन भिन्सरमे जनकपुर उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर ९ क वार्डध्यक्ष परमेश्वर साहके घर उपर सेहो डोजर चलाओलगेल अछि ।
वार्डध्यक्ष घर नहि तोडला बाद तीन महिनासँ सडक निर्माणमे अवरोध भेल कहैत डोजर लगा कऽ घर तोडलगेल बताओलगेल अछि । वार्डध्यक्ष साह सहित अन्य स्थानसभमे व्यापक प्रहरीके उपस्थितिमे घरसभ डोजरसँ तोडलगेल अछि । जनकपुरक पीडारी चौक, मुरली सहितक स्थानमे दर्जानोके संख्यामे घरसभ तोडलगेल अछि ।
घर तोड्एके क्रममे वार्डाध्यक्ष प्रमेश्वर साह सहित हुनकर परिवारक सदस्यसभ घर आगा अवरोध कएला बाद प्रहरी धडपक आ दुरव्यवहार सेहो कएने छलथि । वार्डध्यक्ष सहित हुनकर पत्नी चाँदा साह, भैया लालबाबु साह आ भगिना वसन्त साहकेँ जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा तीन घण्टा हिरासतमे राखि कऽ छोडने अछि ।
अगामी ५ डिसेम्बर २०१८ धरि मात्र म्याद रहल जारी एडीबी परियोजनाके काज पीडारी चौकमे वार्डध्यक्षके अवरोध कएने कहैत किछु स्थानीयसभ बेरबेर अवरुद्ध करैत छल । किछु दिन आगा मेयर लालकिशोरकेँ स्थानीयसभ घेराबन्दी सेहो कएने छलथि । रविदिन भिन्सरमे सेहो ओतहके किछु स्थानीयसभ तेसर बेर वार्डध्यक्ष साहके घर तोड्ए पडत आ सडक निर्माणक काज करए पडत कहैत चक्कजाम कएने छलथि ।
चक्कजाम खोलाबए पहुँचल मेयर लालकिशोर आ उपमेयर रिता झाकेँ घर तुरन्त तोडाबए लेल स्थानीयसभ दबाब देला बाद प्रहरीके सहयोगमे एकाएक घर उपर डोजर चलाओलगेल स्थानीयसभ बतओलन्हि अछि ।
एम्हर, वार्डध्यक्ष प्रमेश्वर साह अपन घर सडकमे नहि पडल दावा करैत मेयर लालकिशोरले पूर्वाग्रही आ रिसीइवीके कारण घर तोडने आरोप लगओलन्हि । २०७० सालमे भेल साढे ५२ फिट सडक नापीमे अपन घर नहि पडल बतबैत वार्डध्यक्ष साह कहलन्हि ‘ एकाएक हमर घर उपर डोजर चलाओलगेल, रोकएके प्रयास कएला बाद पुरा परिवार उपर प्रहरी लगा कऽ ज्यादती कएलक, अन्याय कएलक । नियन्त्रणमे लऽ कऽ प्रहरी हिरासतमे राखलगेल ।’
शुरुएसँ मेयर लालकिशोरके गलत क्रियाकलापके विरोध कएला बाद एहन दुर्दशा भोगए पडल आ अपन घर सेहो ओहि कारण तोडलगेल वार्डध्यक्ष प्रमेश्वर साह आरोप लगओलन्हि ।
मेयर लालकिशोर भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके भ्रमणके नाममे बाह्रविघा मैदानके देबाल पेन्टिंग, जानकी मन्दिरके रंगरोगनके नाममे लाखो भ्रष्टाचार कएने, नगरपालिका कार्यालयमे अपन नातागोतामे पडएबलाकेँ नोकरी देने आ डेढ करोडके गाडी किनने सहितक विरोध कएला बाद मेयर साह अपन घर तोडएके धम्की देने वार्डध्यक्ष प्रमेश्वरके आरोप छन्हि । ओ अपना उपर भेल ज्यादतीके विषयमे छानविन समिति गठन कऽ कऽ निष्पक्ष छानविन करबालेल माँग कएलन्हि अछि ।

Read More »