स्थानीय

‘व्यापारी वर्गमे उत्साहहीन दशमी’

जनकपुरधाम २६ । एहि वर्षक दशैं बुधदिनसँ शुरु भऽ चुकल अछि । दशैं शुरु हएबाक संगहि जनकपुरसहित देशभरि चलहपहलमे वृद्धि भेल अछि । जनकपुर बाहर रहल व्यक्तिसभ दशैं मनाबएले धमाधम घर घुुरि रहल छथि । अपन अपन घर आएल व्यक्तिसभ दशैं मनाबएलेल उत्साहित देखलगेल छथि ।
विभिन्न मन्दिरसभमे दशैं अवधिभरि होबएबला पूजा जनकपुरक रौनकता बढओने अछि । जनकपुरक राजदेवी मन्दिरसहित दर्जनौं स्थानमे दुर्गा पुजा भऽ रहल अछि । भिन्सर ४ बजेसँ मन्दिरसभमे पुजा करबाले श्रद्धालुसभक भिड रहल करैत अछि । आ, साँझमे सेहो मन्दिरसभमे श्रद्धालुसभक चहलपहल रौनकता बढओने अछि ।
जनकपुरमे चहलपहल बढलाकबादो एहि वर्षक दशैं एतुका व्यापारी व्यवसायीसभकेँ उत्साहित नहि बनओने अछि । बेरबेरके मधेश आन्दोलन आ गत वर्ष स्थानीय चुनवाक कारण प्रभावित भेलाकबादो एहि वर्ष दशैंमे निक व्यापार व्यवसायक आशा छल, एतुका व्यापारी वर्गमे । मुदा, विगतके वर्ष जँका एहुबेर ओतेक उत्साहित नहि छथि, स्थानीय व्यापारी ।
समय पर सडक निर्माण कार्य पुरा नहि भेलाकबाद दशैं शुरु भेलाकबादो बजारमे खरिददारसभक भिड नहि अछि । विगतमे दशैं शुरु होइते उपभोक्तासभक भिड रहल करैत छल मुदा एहि वर्ष सेहो दशैं शुरु भऽ चुकल अनुभूति नहि भऽ सकल स्थानीय जनक चौक पर रेडिमेड कपडाक दोकान सञ्चालन करैत आएल एक व्यापारी बतओलन्हि ।
दशैंमे जनकपुरक प्रमुख व्यापारिक केन्द्र रहैत अछि जानकी मन्दिर, जनक चौक आ सोनापट्टी । मुदा, एखन ई क्षेत्र अस्तव्यस्त अछि । तोडफोडक कारण दोकानसभ सञ्चालनमे नहि आबि सकल अछि तऽ पैदल चलफिर करबालेल सेहो रास्ता नहि अछि । दोकान आ रास्ता दुनु नहि रहलासँ एतुका व्यापारीबीच एहि वर्षक दशैं निरस बनल व्यापारीसभ बतबैत छथि ।
दशैंके नजदिक आबि कऽ बजार आ सडक अस्तव्यस्त भेलाक कारण व्यापारीसभमे उत्साह नहि देखलगेल जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक वरिष्ठ उपाध्यक्ष जीतेन्द्रप्रसाद साह बतबैत छथि । मन्दिर अगलबगल पुजा करएबलासभक भिड देखलगेलाकबादो बजार सुनसान रहल कहैत दशैंमे व्यापार व्यवसाय शुन्य रहल साह बतओलन्हि ।
‘दशैंके नजदिक मुख्य बजारक घरसभ तोडफोड कएलगेल अछि, चलफिर करबालेल रास्ता नहि अछि,’ वरिष्ठ उपाध्यक्ष साह कहलन्हि,‘रास्ता आ दोकान नहि रहल अवस्थामे सामान खरिद करबालेल के आओत ? सोनचाँदी बजारमे आदमी नहि अछि, व्यापार ध्वस्त भेल अछि ।’ सामान बिक्रि होएत कि नहि एहि डरसँ व्यापारीसभ सामान लओनाई सेहो छोडि देने हुनकर कहब छन्हि ।
तहिना धनुषा च्याम्बर अफ कमर्र्सक अध्यक्ष विजय साह सेहो दशैंमे जनकपुरक व्यवसाय शुन्य प्रायः रहल बतओलन्हि । दशमीके समयमे घरसभ तोडलगेलाक कारण बजारमे उपभोक्तासभ अओनाइ बन्द कऽ देने अध्यक्ष विजय बतओलन्हि ।
‘दशैं शुरु भऽ चुकल अछि मुदा राजदेवी मन्दिर आ जानकी मन्दिर जएबाक रास्ता नहि अछि,’ ओ कहलन्हि,‘मुख्य बजारमे रास्ता नहि रहल अवस्थामे सामान खरिद करबालेल के आओत ?’ निर्माण कार्यमे ढिलाइ व्यापारीसभक लेल एक प्रकारक जरिवाना रहल हुनकर कहब छलन्हि । सरकारक गलत नीतिके कारण महँगाई बढलासँ सेहो बजारमा अधिक उत्साह नहि देखलगेल ओ बतओलन्हि ।

Read More »

दशैंमे उपभोक्तासभक लेल सस्ता बजार

जनकपुरधाम २५ । उपभोक्तासभक सुविधाके ध्यानमे रखैत जनकपुरमे एहुबेर सस्ता बजार सञ्चालन कएलगेल अछि । जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक पहलमे विगत ४२ वर्षसँ दशमीक अवसर पर जनकपुरमे सस्ता बजार लगैत आबि रहल अछि । दशमीक अवसरमे लागएबाल सस्ता बजारके लेल सर्वसाधार प्रतिक्षामे रहल करैत अछि । बाहर बजारसँ सस्ता मूल्यमे दैनिक उपभोग्य सामग्रीसभ उपलब्ध रहलाक कारण पैघ संख्यामे उपभोक्तासभ सस्ता बजारमे पहुँचल करैत अछि । सस्ता बजारमे कपडा धोबएबला साबुन, सर्फ, अगरबत्ती, चिनी, प्लास्टिक भाडा वर्तन, चायपत्तिसहितक सामग्री उपभोक्तासभक आकर्षण रहल करैत अछि । स्थानीय गोपाल धर्मशाला परिसरमे लगाओल जाएबला सस्ता बजारमे सामान खरिद करबालेल अन्य वर्षजँका एहुबेर उपभोक्तासभक भिड रहत वाणिज्य संघ विश्वास लेने अछि । वाणिज्य संघक अध्यक्ष तथा सस्ता बजारक सदस्य सचिव ललितकुमार साह सर्वसाधारण उपभोक्ताक माँगके ध्यानमे रखैत अन्य वर्ष जँका एहुबेर सस्ता बजार लगाओलगेल जानकारी देलन्हि ।
सस्ता बजार व्यवस्थापन करबालेल गोपाल धर्मशाला भितर सयसँ अधिक स्टल निर्माण कएलगेल वाणिज्य संघ जनओलक अछि । सस्ता बजार व्यवस्थापन करबालेल धर्मशाला भितर ३४ आ बाहर ५५ टा स्टल निर्माण कएलगेल स्टल व्यवस्थापन संयोजक तथा जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक महासचिव जितेन्द्र महासेठ जानकारी देलन्हि । आशिन ३१ गते सञ्चालन होबएबला सस्ता बजारमे धर्मशालामे लगाओलगेल स्टलके लेल व्यापारीसभसँ प्रति स्टल ९ हजारसँ १५ हजार रुपैयाँ लेलगेल महासेठ बतओलन्हि ।

Read More »

बलात्कारके गलत रिपोर्ट देन्हिार डाक्टरके प्रमाणपत्र निलम्बन

जनकपुरधाम २५ । धनुषाक १२ वर्षीइ बलात्कृत बालिकाके शारीरिक जाँचक क्रममे बलात्कार नहि भेल प्रतिवेदन तैयार कएन्हिार डा. रम्भा गोइत आ डा. विजय कुमार सिंह उपर कडा कारबाही भेल अछि । नेपाल मेडिकल काउन्सिल ओसभ न्युनतम चिकित्सकिय आचरण तथा व्यवहार विपरीत मेडिकल रिपोर्ट देने ठहर करैत हुनकासभक व्यवसायिक प्रमाणपत्र निलम्बन करबाक आ चिकित्सकीय अभ्याससँ वञ्चित कराबएके निर्णय भेल अछि ।
भादव ८ गते धनुषाक जनकनन्दिनी गामपालिका २ क बलात्कृत बालिकाके नमुना परीक्षण बाद बलात्कार नहि भेल प्रतिवेदन देन्हिार जनकपुर अञ्चल अस्पतालक चिकित्सक डा. विजयकुमार सिंह आ डा. रम्भा गोइत कारबाहीमे पडल छन्हि । दु गोटे डाक्टर भादव ९ गते पीडित बालिकाके नमुना परीक्षण कएला बाद बलात्कार नहि भेल प्रतिवेदन देने छलथि । ओहिके बाद बालिकाके भादव २५ गते सिरहा अस्पतालमे डा. राकेशकुमार सिंह नमुना परीक्षण कएला बाद बलात्कार भेल प्रतिवेदन आएल छल । एहि विषयमे अध्ययन करबालल नेपाल मेडिकल काउन्सिल गठन कएने छानबिन समिति दु गोटे डाक्टरकेँ चिकित्सकीय अभ्याससँ वञ्चित कराबएके निर्णय कएलक अछि ।
जनकपुर आ सिरहामे बालिकाके नमुना परीक्षणके फरक फरक प्रतिवेदन अएला बाद मेडिकल काउन्सिल डा. कालुसिंह खत्रीके संयोजकत्वमे चारि सदस्यीय छानबिन समिति बनओने छल । समिति वयानक लेल बजओला बादो अटेर कऽ बैसल कहैत जिल्ला अस्पताल सिरहाके चिकित्सक सिंहकेँ सात दिनक म्याद दऽ कऽ स्पष्टिकरण पुछएके निर्णय सेहो कएने समितिक प्रवक्ता डा. कृष्णप्रसाद अधिकारी जानकारी देलन्हि ।

Read More »

‘विश्वविद्यालय सञ्चालन करबालेल प्रादेशिक सरकार सेहो गंभीर नहि अछि’

जनकपुरधाम २५ ।नेपाली काँग्रेसक उपसभापति विमलेन्द्र निधि जनकपुरमे स्थापना कएलगेल राजर्षि जनक विश्वविद्यालय सञ्चालन करबालेल प्रदेश सरकार सेहो गंभीर नहि देखलगेल आरोप लगओलन्हि अछि ।
बहुत परिश्रम आ प्रयासकेबाद जनकपुरमे विश्वविद्यालय स्थापना भेल अछि उल्लेख करैत उपसभापति निधि केन्द्र सरकारक संगहि प्रादेशिक सरकार सेहो सञ्चालनतर्फ उदासीन देखलगेल बतओलन्हि ।
नेपाल प्रेस युनियन धनुषा बुधदिन जनकपुरमे आयोजना कएने पत्रकार सम्मेलनमे निधि कहलन्हि,‘प्रदेशके मुख्यमन्त्री विश्वविद्यालयक सहकुलपति छथि । कमसँ कम ओहि हैसियतसँ हुनका एहितर्फ ध्यान देब जरुरी अछि । मुदा ओसभ गंभीर नहि छथि ।’
‘जनकपुरस्थित राराब क्याम्पसकेँ राजर्षि विश्वविद्यालयक आधार क्याम्पसके मान्यता सरकार दऽ चुकल अछि,’ ओ कहलन्हि,‘सरकारी स्तरसँ आधार क्याम्पसके मान्यता भेट चुकल छैक । राराबमे कार्यरत किछु कर्मचारी आ प्राध्यापक हस्तान्तरण करबालेल तैयार नहि छथि । मुदा सरकार एहिप्रति मौन अछि ।’
मधेशी जनताक हकहितक नारा दऽ कऽ सरकारमे पहुँचलाकबादो प्रदेश सरकारमे गेलाकबादो शिक्षा, स्वास्थ्यसहितक आधारभूत आवश्यक्तातर्फ ध्यान नहि दऽ सकल हुनकर कहब छलन्हि ।
देशमे संघीय संरचना कार्यान्वयनमे आबि गेलाकबादो प्रदेश सरकार अधिकार सम्पन्न नहि होबए धरि सफल हएबामे समस्या रहल निधि स्पष्ट कएलन्हि । संघीय सरकार प्रदेशके अधिकार देबएमे आनाकानी कऽ रहल आ प्रदेश सरकार अधिकार लेबएलेल अग्रसर नहि देखलगेल ओ उल्लेख कएलन्हि । प्रदेश २ मे मात्र नहि सातु प्रदेशमे करिब करिब एहि प्रकारक समस्या रहल हुनकर कहब छलन्हि ।
प्रदेशके अधिकार नहि दऽ कऽ केन्द्र सरकार संघीयता कमजोर करए चाहि रहल अछि आ ओहिके सहयोगी भूमिका प्रदेश सरकार खेल रहल अपनासभके शंका रहल निधि बतओलन्हि । प्रदेश सरकार अपन कानुन नहि बना सकल अछि आ कानुन निर्माणलेल केन्द्र सरकार पर दबाब सेहो नहि दऽ सकल हुनकर कहब छलन्हि ।
भारतीय प्रधानमन्त्री चन्द्रशेखर जनकपुर आएल समय जनकपुर–जयनगर रेलसेवा विस्तार करबाक चर्च शुरु भेल उल्लेख करैत उपसभापति निधि एखन प्रदेशमे चलि रहल विकास निर्माणक काजसभकेँ अनुगमन आ तिव्रता देबएलेल प्रदेश सरकारसँ आग्रह कएलन्हि । पत्रकार सम्मेलन नेपाल प्रेस युनियन धनुषाक अध्यक्ष शैलेन्द्र झाक अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल छल ।
एहिसँ पहिने नगराईन नगरपालिकाक लगमामे बुधदिन नवनिर्मित दुर्गा मन्दिरके उद्घाटन करैत उपसभापति निधि कम्युनिस्ट नेतृत्वक वर्तमान सरकार हत्या, हिंसा आ महँगाईबाहेक जनताके आओर किछु नहि दऽ सकल बतओने छलथि । पछिला सात महिनाक अवधिमे देशमे महँगाई, हत्या, बलात्कार, महिला हिंसा तीव्र रुपेँ बढलाकबादो सरकार नियन्त्रण करबामे असफल देखलगेल ओ आरोप लगओलन्हि । देशमे बढि रहल हत्या हिंसासहितक घटनाके विषयमे सरकारमे सहभागी दलसभकेँ जबाब देबए परत हुनकर कहब छलन्हि ।
संविधान संशोधनके चुनावी नारा बना कऽ मधेश केन्द्रीत दलसभ एखन सत्तामे पहुँचलाकबाद संशोधनक बात बिसरि चुकल ओ उल्लेख कएलन्हि ।
‘मधेशवादी दलसभ संविधान संशोधनके मुद्दा बनओलक,’ निधि कहलन्हि,‘एखन प्रदेश २ मे मधेशवादी दलक सरकार अछि, केन्द्र सरकारमे सहभागी आ समर्थन कएने अछि, संविधान संशोधन कियाक नहि भऽ सकल अछि ?’ बिना संशोधन चुनावमे नहि जएबाक अडान पर रहल दलसभ एखन संशोधन भुलि चुकल हुनकर कहब छलन्हि ।
नेकपा आ मधेशवादी दल सम्मलित सरकार जनताक असह्य हएबाक हिसाबसँ कर बढओलाक कारण देशमे मूल्यवृद्धि भेल हुनकर कहब छलन्हि । दुर्गा मन्दिरक उद्घाटन कार्यक्रम वार्ड अध्यक्ष धनवीर मण्डलक अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल छल ।

Read More »

‘रेल देखबालेल जनकपुर स्टेशन पर भिड’

जनकपुरधाम २५ । जनकपुर रेलवे स्टेशनमे पहिलबेर ५३ बोगीसहितक रेल पहुँचल अछि । भारतक झारखण्डसँ ब्लास्ट (रेलवे लिकमे प्रयोग होबएबला गिट्टी) लऽ कऽ ५३ बोगीसहितक मालबाहक रेल बुधदिन बेरियामे जनकपुर पहुँचल अछि । एहिसँ पहिने जनयनगर स्टेशनसँ दुहबी स्टेशन धरि एतबे संख्या रहल बोगीसहितक रेल पहुँचल छल ।जयनगर–जनकपुर रेलमार्ग लिकमे ब्लास्ट रखबालेल भारतक झारखण्डसँ चलल मालबाहक रेल जनकपुर धरि पहुँचल रेल तथा मेट्रो विकास आयोजना साइट कार्यालय जनकपुरक प्रमुख साइट इन्जिनियर विनोद ओझा जानकारी देलन्हि ।
ओझाक अनुसार जयनगरसँ प्रतिघण्टा ७ सँ १० किलोमिटर प्रति घण्टाक गतिमे आएल मालबाहक रेलमे सवार मजदुर लिकमे ब्लास्ट खसबैत जनकपुर धरि पहुँचल छल । जयनगरसँ कुर्था धरि रेल सञ्चालन करबालेल ३ टा हल्ट आ ५ टा स्टेशनक निर्माण कार्य अन्तिम चरणमे अछि । तहिना स्टेशन भवन, आवास निर्माणसहित कार्य लगभग पुरा भऽ चुकल अछि ।
भारतक रेल निर्माण कम्पनी इरकोन इन्टरनेसनल जयनगरसँ कुर्था धरि ब्रोडगेज रेलमार्ग निर्माण कएने अछि । भारतसँ आएल मालबाहक रेल जनकपुर स्टेशन पहुँचालकबाद रेल देखबाले पैघ संख्यामे स्थानीयसभक भिड जुटल छल । किछु स्थानीय मन्द गतिमे आबि रहल रेल पर चढि कऽ पहिलबेर ब्रोडगुज रेलक अनुभूति लेने छलथि । भारत सरकारक सहयोगमे निर्माण भऽ रहल जयनगर–जनकपुर–कुर्था रेलमार्गमे एहिसँ पहिने दुहबी धरि रेलके सफल परीक्षण कएलगेल छल ।
आगामी अगहन महिनामे विवाह पञ्चमीक अवसर पर रेलमार्ग उद्घाटन करबाक तैयारी चलि रहल अछि । भारतक सहयोगमे पहिलबेर नेपालमे निर्माण कएलगेल ब्रोडगेज रेलम उद्घाटन करबालेल भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके जनकपुर अएबाक संभावना रहल बताओलगेल अछि । यद्यपी एहि विषयमे औपचारिक जानकारी अएबाक बाँकी रहल रेलवेके अधिकारीसभ बतओलन्हि अछि ।

Read More »

जनकपुरमे विजया दशमीक चहलपहल

जनकपुरधाम २५ । । हिन्दु धर्मावलम्वीसभक महान पावनि दशमी बुधदिनसँ शुरु भेल अछि । दशमीक पहिल दिन आई घरघरमे घटस्थापना कएलगेल । तहिना विजया दशमीमे दुर्गा पूजाके आयोजना होबएबला स्थानसभमे सेहो घटस्थापना कएलगेल अछि । नवरात्रामे दुर्गा स्तोत्र पाठ कऽ शक्ति स्वरुपा दुर्गामाताके स्तुति कएल जाइत अछि । निपपोत कऽ राखलगेल शुद्ध स्थानमे दिप, कलश, गणेशक स्थापना कऽ बाउल मिलाएल माटिमे जौ, तील, मकै सहितक सामग्री राखि कऽ घटस्थापना करबाक परम्परा अछि । एम्हर दशमीक शुरुवातक संगहि जनकपुरमे चहलपहलमे वृद्धि भेल अछि । प्रमुख शक्तिपीठ राजदेवी मन्दिर सहित एतुका विभिन्न स्थानसभमे दुर्गा पूजाके तैयारी कएलगेल अछि ।
जनकपुरक राजदेवी मंदिर, विद्यापति चौक स्थित दुर्गा मंदिर, रामानन्द चौक, दुर्गा चौक, वौधी माई, पिडडीया माइस्थान, रजौल, देवी चौक सहित एक दर्जनसँ अधिक स्थानमे दुर्गा पूजाके तैयारी कएलगेल अछि । तहिना जनकपुर अगल बगल ग्रामीण क्षेत्रमे सेहो प्रतिमा स्थाना कऽ धुमधाम एवम श्रद्धापूर्वक दुर्गा पूजाके तैयारी कएलगेल अछि । दुर्गा पूजाके भव्य रुपेँ सम्पन्न करबालेल आयोजक सभ एक महिना पहिनेसँ अर्थ संकलनक कार्यमे जुटि जाइत छथि ।
प्रतिमा स्थापना कऽ कऽ पूजा कएल जाएबला स्थान विद्यापति चौक स्थित दुर्गा मन्दिर, रामानन्द युवा क्लबक आयोजनामे रामानन्द चौक सहितक स्थान लगा कऽ सरसाजवट कऽ कऽ भव्यता प्रदान कएलगेल अछि । लगातार १९ वर्षसँ दुर्गा पूजा करैत आबि रहल रामानन्द युवा क्लब अन्य वर्षजँका एहु वर्ष पूजाके भव्य तैयारी कएने अछि । दुर्गा पूजा धुमधामसँग मनाबएलेल पण्डाल, प्रतिमा सहितक निर्माण कार्य तिब्र रुपेँ चलि रहल क्लबक अध्यक्ष मनमोहन साह जानकारी देलन्हि । दुर्गा पूजा सम्पन्न करबामे १० लाखसँ अधिक खर्चके अनुमान कएलगेल साह बतओलन्हि । जनकपुरवासीक आर्थिक सहयोगसँ पूजाके भव्यता देल जा रहल हुनकर कहब छलन्हि ।
तहिना राजदेवी मन्दिरमे दुर्गा पूजाके आयोजना करैत आबि रहल महावीर युवा कमिटी एहु वर्ष पण्डाल निर्माणमे कटौती कएने अछि । राजदेवी मन्दिरके सौन्दर्यीकरण कार्य पहिनेसँ कएलगेलाक कारणेँ पण्डाल निर्माणमे लागएबला खर्चके कटौती कएलगेल महावीर युवा कमिटीक अध्यक्ष रोशन शेखर जानकारी देलन्हि । एम्हर विद्यापति चौक स्थित दुर्गा मन्दिरमे सेहो दुर्गा पूजालेल पण्डाल निर्माण कार्यके एक सप्ताह पहिनेसँ तिब्रता देलगेल अछि ।
तहिना जनकपुरक वौधी माईमे पूजाआजा करैत आबि रहल रामयुवा कमिटी सेहो सरसजावट कऽ कऽ । राम चौक स्थित वौधीमाई प्राङण तथा बाहर कमिटीक तर्फसँ पण्डाल निर्माण सहित अन्य सरसजावटक कार्य शुरु भऽ चुकल कमिटीक अध्यक्ष शंभु शाह प्रेमी जानकारी देलन्हि । घटस्थापना दिनसँ पूजाअर्चना करबालेल श्रद्धालुसभक भिडभाड रहलाक कारणेँ ओहिसँ पहिने सम्पूर्ण तैयारी समाप्त करबाक लक्ष्य आयोजकसभ रखने अछि । जनकपुरक दुर्गा पूजामे नगर क्षेत्र सहित अगलबगलक स्थानसँ सेहो श्रद्धालु भक्तजन पूजाअर्चना करबालेल आएल करैत छथि । तहिना जनकपुर अगलबगल क्षेत्रमे सेहो दुर्गा पूजाके तैयारी तीब्र रुपेँ चलि रहल अछि ।

Read More »

जनकपुरक व्यपारीमे नहि अछि दशमीके उत्साह

जनकपुरधाम १८ । नेपालीसभक महान पावनि दशमी आबएमे मात्र २ दिन बाँकी अछि । नेपालमे चर्चित रहल जनकपुरक दुर्गा पूजा प्रत्येक वर्षजँका एहि बेर सेहो हर्षोल्लासके साथ मनाबएके तैयारी अछि । भव्यताके साथ दशमी मनाबए एतुका स्थानीय युवा क्लबसभ जोडतोडसँ तैयारीमे जुटल अछि । प्रमुख शक्तिपीठ राजदेवी मन्दिर सहित एक दर्जनसँ अधिक स्थानमे शक्ति स्वरुपा दुर्गाके मूर्ति स्थापना कऽ एतह भव्यताके साथ दशमीके पूजाअर्चना कएल जाइत अछि । राम मन्दिर परिसर भितर रहल राजदेवी मन्दिर, विद्यापति चौक स्थित दुर्गा मन्दिर, रामानन्द चौक, पिडडीया माइस्थान, वौधीमाई रजौल सहितक विभिन्न चौक चौकमे मूर्ति स्थापना कऽ पूजा कएल जाएबला स्थानसभमे आकर्षक पण्डाल, रंगबिरंगी बल्ब लाइट लगाबएके काज चलि रहल अछि ।
मुदा, एडिबीके ऋण सहयोगमे जनकपुरमे सञ्चालित एकिकृत सहरी विकास परियोजना अन्तर्गत निर्माण भऽ रहल सडक दशमी आबए लगला बादो नहि बनि सकला बाद निरास अछि, एतुका व्यपारी । बजारमा पहुँचए लेल एखनो सडक निर्माण नहि भऽ सकलासँ दशमीके लेल बजारमे सर्वसाधारणके चहलपहल नहि अछि ।
सडक विस्तारक क्रममे तोडलगेल घरसभ मर्मत नहि भऽ सकला बाद करोडो घाटा सहि कऽ सटर बन्द कऽ कऽ बैसल अछि, जनकपुरक व्यापारीसभ । करिब एक वर्षसँ जनकपुरक व्यवसाय धरासायी बनि गेल अछि । ६ महिनासँ कतेको व्यापारी दोकानके ताला सेहो नहि खोलि सकल अछि । सुनसान देखलगेल अछि, जनकपुरक मूल व्यापारिक क्षेत्र भानुचौक, जनक चौक आ जानकी चौकके सडक, राममन्दिरसँ जानकी मन्दिरके बाट आ जानकी मन्दिरसँ महावीर चौकके रस्ता । सडक विस्तारक क्रममे व्यावसाय ध्वस्त भेला बाद ऋण आ कर्जाके दबाब नहि झेल सकलासँ किछु व्यापरी विस्थापित भेल अछि तऽ किछु भारततर्फ सेहो पलायन भऽ चुकल अछि ।
जनकपुरधाम उपमहानगर भितर सञ्चालनमे रहल करिब १० हजार दोकानके व्यवसायमे अगिला सालसँ एहि बेर ८० प्रतिशतसँ व्यपारमे फरक देखलगेल अछि । दसैंमे लाखोके आम्दानी कएन्हिार एतुका कपडा आ सोन चाँदी व्यवसायीसभ सभसँ अधिक मारमे पडल अछि । दशमी तिहारक समय सोनचाँदी खरिद बिक्री होबएबला जनकपुरक अधिकांश दोकान सञ्चालनमे नहि अछि ।
‘सडक निमार्णक क्रममे घर टुटि गेल, ५ महिनासँ सटर बन्द अछि । पहिने आएल रु.१४ लाखके माल (कपडा) जहिनाके तहिना थन्कल अछि । १८ वर्षसँ जनक चौक जानकी चौकके बीचमे कपडा दोकान सञ्चालन करैत आएल भोला साह कहलन्हि ‘ऋणके ब्याज नहि तिरए सकल छी । ऋण कोना तिरु ? हमरासभक क्षतिपुर्ति के तिरत ?’
दसैँ नजदिक आबि गेला बादो सकड नहि बनि सकलासँ दोकानमे ग्राहक नहि आबि रहल रेडिमेड कपडा व्यपारी अविनाश झा बतबैत छथि । भानुचौकसँ रेल्बे स्टेशनके रस्तामे बुटिक सञ्चालन करैत आएल रीतु अग्रवाल कहलीह, ‘सडक अवरुद्ध भेलासँ एहि बेरक दसैँ तिहार ओहिना चलि जाएत, गत वर्ष एहि समयमे दशमीके बजार सुरु भऽ गेल रहैत छल , मुदा एहिबेर किछु अतापता नहि अछि,’ ओ कहलीह, ‘सामान दोकान धरि नहि आबि सकैत अछि, रहल सामा सेहो लेबए आबए लेल ग्राहककेँ सहज होबएबला रस्ता नहि अछि ।’
सोनचाँदी व्यवसायी अमर ठाकुर कहलन्हि, व्यापार विकासक लेल, सडक जल्दी बनएबामे नहि तऽ उद्योग वाणिज्य संघ चाखि देखओलक नहि तऽ उपमहानगरपालिका ।

Read More »

प्रदेशसभा सचिवालयके उधार खर्च तत्काल भुक्तानी करबालेल काँग्रेसक माँग

जनकपुरधाम १८ । नेपाली काँग्रेस प्रदेश २ क प्रदेसभा सचिवालय व्यवस्थापनक लेल उधारमे खरिद कएलगेल समानके मूल्य चुक्ता करबालेल माँग कएलक अछि । कांग्रेक सांसद शिवचन्द्र चौधरी प्रदेशसभा सचिवालय उधारमे खरिद कएने समानके बिल तत्काल भुक्तानी करबालल माँग कएलन्हि अछि । ओ प्रदेशसभा गठन भेल ८ महिना बितए जा रहला बादो एखन धरि दोकानदारके भुक्तानी नहि करब लज्जास्पद रहल बतओलन्हि ।
सांसद चौधरी मंगलदिन प्रदेशसभामे बजैत संसदीय विकास कोषसँ विकासके रकम निर्वाचन क्षेत्रमे सांसदसभ खर्च कएने या नहि कएने संसदीय अनुगमन समिति गठन कऽ कऽ छानबिन करबालेल माँग कएलन्हि । संदनमे गोविन्द बहादुर पोखरेल सप्तरीके शुम्भुनाथ नगरपालिकामे वर्षोसँ बसोबास करैत आएल व्यक्तिसभक घर हटा कऽ गरिब दिन दुःखीकेँ पावनि तिहारसक समयमे घरविहिन बनओने कहैत सरकारके ध्यानाकर्षण करओने छलथि ।
नेकपाक सांसद ज्वाला कुमारी साह प्रदेश संसदजँका गरिमामय स्थानमे उधारमे फर्निचर सहित आवश्यक भौतिक पुर्वाधारके सरसामग्री लाबि कऽ महिनो धरि रकम नहि तिरब अपने गरिमा खसाएब सरह रहल बतओलन्हि । ओ २ नम्बरी प्रदेशमे २ नम्बरी काज जनतासभ कहए शुरु कऽ चुकलासँ ओहिकेँ सरकार प्रोत्साहन देने आरोप लगओलन्हि ।
अधिकांस सांसद बैठकसभमे संसदीय छानबीन समितिके माँग उठि रहल समय सभामुख सरोज कुमार यादव संसदीय दलक नेतासभसंग छलफल कऽ कऽ दोसर बैठकमे समिति चयनके लेल प्रस्ताव आगा बढ्त आश्वासन देलन्हि ।
एम्हर, सदने सांसद दिलिप कुमार साह प्रदेशसभा कार्य सञ्चालन नियमावली, २०७५ के नियम ७१ अनुसार लागू औषध तथा मादक पदार्थ दुव्र्यसनी अन्तक लेल प्रस्ताव पेश कएलन्हि अछि । लागु औषधके दुरुपयोगसँ प्रदेशमे १० सँ १५५ युवा पुस्ताके भविष्य तहस–नहस भऽ रहल बतबैत सांसद साह लागू औषध तथा मदिरा मुक्त प्रदेश घोषणाके माँग कएने छलथि । प्रस्तावमे खास कऽ सिमावर्ती क्षेत्रमे एहिके दुरुपयोग अधिक भऽ रहल आ एहि सम्बन्धमे प्रदेशक शान्ति सुरक्षा सम्बन्धी काज कऽ रहल प्रहरी प्रशासन सेहो किछु खास उपलब्धि प्राप्त करए नहि सकलासँ जरुरी सार्वजनिक महत्वके प्रस्ताव पेश कएलगेल उल्लेख अछि ।”
प्रस्तावमे लागू औषधी नियन्त्रण ऐन २०३३ लागू औषध व्यवसाय तथा सेवन कएन्हिारकेँ दण्ड साजयके व्यवस्था कएला बादो नियन्त्रणसँ बाहिर जा कऽ विकराल रुप लऽ रहल अछि । एहिसँ एकदिसस प्रयोग कएन्हिारके स्वास्थ्य खराब होइत अछि तऽ दोसरदिस सम्बद्ध परिवार सहित समाजमे नहि निक प्रभाव पडलासँ तुरुन्त आवश्यक कानून लाबि एहिके प्रभावकारी कार्यान्वयनके माँग कएलक अछि ।
प्रस्तावमे सांसद मो. समिम आ फुलिया देबी सदाय समर्थन कएने छलथि । प्रभाव उपर सैद्धान्तिक छलफलमे नेपाली काँग्रेसक सांसद शिवचन्द्र चौधरी मदिरा मुक्त क्षेत्र घोषणा करबालेल ओहिके राजश्व करके प्रभाव, आर्थिक ब्ययभार सहितक विषयमे गहन अध्ययन कऽ कऽ मात्र एहि विषयमे निष्कर्ष लगाबए माँग कएने छलथि ।

Read More »

मधेश आन्दोलन घायलके प्रदेश सरकारक सहयोग

जनकपुरधाम १८ । मधेश आन्दोलनक घायल विजयकुमार ठाकुरके प्रदेश सरकार १ लाख ५० हजार रकम सहयोग उपलब्ध करओलक अछि । प्रथम मधेश आन्दोलनक क्रममे घायल भेल महोत्तरीक पिपरा गामपालिका–५ रतौलीक ठाकुरकेँ प्रदेश सरकार आर्थिक सहयोग उपलब्ध करओने अछि । आन्दोलनमे घायल भेल ठाकुरके एकटा पायर गुमाबए परल छन्हि ।
रतौलीमे आयोजित एक कार्यक्रमकबीच मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत ठाकुरके चेक हस्तान्तरण कएलन्हि अछि । मधेश आन्दोलनक बल पर देशमे संघीयता स्थापित भेल कहैत मुख्यमन्त्री राउत शहीदसभक बलिदानकै आत्मसात करैत प्रदेश सरकार आगु बढि रहल बतओने छलथि ।
प्रदेश सरकार शहीद परिवारके रोजगारी देबाक निर्णय अनुसार अपन काज शुरु कऽ चुकल उल्लेख करैत शहीद परिवारक योग्यता आ क्षमताक आधार पर रोजगारी देल जाएत राउत बतओलन्हि । मधेश आन्दोलनक घायलसभक संख्या हजारौं रहल कहैत क्रमशः सहयोग रकम उपलब्ध कराओल जाएत हुनकर कहब छलन्हि ।
प्रदेशक शान्ति सुरक्षा आ विकासक जिम्मा प्रदेश सरकारके रहलाक बादो केन्द्र सरकार संघीयताके असफल बनएबाक प्रयास कऽ रहल राउत आरोप लगओलन्हि । संघीयता विरोधीसभ प्रदेशकेँ असहयोग कऽ कऽ जनतामे संघीयताप्रति वितृष्णा फैलाबएके प्रयासमे रहल राउत बतओलन्हि ।
एहिबीच मुख्यमन्त्री राउत महोत्तरीक जलेश्वर नगरपालिका–१२ नैन्हीमे पेटझरीके कारण मृत्यु भेल परिवारके १÷१ लाख रुपैयाँ सहयोग करबाक घोषणा कएलन्हि अछि । पेटझरी प्रभावित क्षेत्रके निरीक्षण करबालेल सोमदिन नैन्ही पहुँचल राउत ई घोषणा करैत आगामी दिनमे महामारी नहि फैलएदेबएलेल रणनीति तैयार करबालेल स्वास्थ्यकर्मीसभकेँ निर्देशन देलन्हि ।

Read More »

मूल्यवृद्धि फिर्ताके माँग करैत तरुणदल बुझओलक ज्ञापन

जनकपुरधाम १८ । नेपाली काँग्रेसक युवा संगठन नेपाल तरुण दल मूल्यवृद्धिसहित विभिन्न माँग आगु बढबैत धनुषासहित देश भरिके जिल्ला प्रशासन कार्यालयमार्फत सरकारकेँ ज्ञापनपत्र बुझओलक अछि ।
दशैंके नजदिक आबि कऽ पेट्रोलियम पदार्थसहित दैनिक उपभोग्य सामग्रीमे कएलगेल मूल्यवृद्धि तत्काल फिर्ता लेबाक माँग करैत तरुणदल प्रमुख जिल्ला अधिकारीमार्फत सरकारकेँ सोमदिन ज्ञापनपत्र बुझओने अछि ।
कालाबजारी आ तस्करी नियन्त्रण, पावनि तिहारक समयमे आवश्यक दैनिक उपभोग्य वस्तु सहज तरिकासँ उपलब्ध करबाले सुपथ मूल्य दोकानक व्यवस्था, शान्ति सुरक्षाके उचित व्यवस्था करबालेल ज्ञापनपत्रमे माँग कएलगेल अछि । तहिना बलात्कार कऽ हत्या कएलगेल निर्मला पन्तक हत्याराके यथाशीघ्र कारबाही करबाले तरुण दल माँग कएने अछि ।
तरुण दल धनुषाक अध्यक्ष संजय लाभ कर्णक नेतृत्वमे उपाध्यक्ष राकेश विक्रम साह, कपलेश्वर महतो, सचिव श्यामसुन्दर साह, कोषाध्यक्ष अन्जनी झा, नेवि संघक जिल्ला अध्यक्ष सुजित मिश्र, तरुण दलक नगर उपाध्यक्ष सुभाष पाठक, जितेन्द्र कर्ण, रमेशकुमार यादवसहितक व्यक्तिसभक टोली प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रेम लामिछानेके ज्ञापनपत्र बुझओने छल ।

Read More »