जनकपुरधाम फागुन ०३ गते ।प्रदेश २ क संसदीय समितिअन्गर्तके लेखा समितिक अध्यक्ष मनोनयनके विषयमे विवाद उत्पत्र भेल अछि । अन्य समितिमे सर्वसम्मतीसँ अध्यक्ष निर्वाचित भेलाक बादो लेखा समितिक अध्यक्ष चयन करबालेल मनोनयनक विषयमे विवाद सिर्जना भेल अछि ।
विवाद उग्र रुप लेलाकबाद सभामुख सरोज यादवसँग दुव्र्यवहार सेहो भेल अछि । विवाद उत्पत्र भेलाकबाद छलफलके लेल पहुँचल नेकपाक सांसदसभ सभामुखक कार्यकक्ष भितरे दुव्र्यवहार कएलन्हि अछि । सभामुख यादव सेहो अपनासँग दुव्र्यवहार भेल स्वीकार कएलन्हि अछि ।
नेकपा केन्द्रीय कमिटी सार्वजनिक लेखा समितिक अध्यक्षमे भरत साहकेँ उम्मेदवार बनएबाक निर्णय कएलाकबाद ओहि दलसँ अन्तिम समयमे शत्रुध्न महतोक सेहो उम्मेदवारी दर्ता भेलाकबाद विवाद उत्पत्र भेल अछि ।
समितिक सभापतिमे मनोयन दर्ताके लेल समितिक सदस्यमेसँ एकगोटे प्रस्तावक आ एक गोटे समर्थक आवश्यक रहैत अछि । सार्वजनिक लेखा समितिमे नेकपाक उम्मेदवार साहसहित चारिटा सांसद सदस्य छथि । समितिमे नेकपाक सदस्य महतो अ रामकुमार यादव अनुपस्थित छलथि ।
दुटा सांसद अनुपस्थित भेलाक बाद नेकपा लेखा समितिक अध्यक्षके उम्मेदवार बनओने साहकेँ प्रस्तावके नेकपा सांसद लगलनलाल चौधरी बनल छलथि ।
साहके प्रस्तावक भेटलाक बादो समर्थक नहि भेट रहल छल । समितिमे सदस्य रहल नेपाली कांग्रेस, संघीय समाजवादी फोरम आ राजपा सेहो समर्थक बनालेल नेकपाके असहयोग कएने छल । यद्यपी मनोनयन दर्ताके समय समाप्त हएबामे आधा घण्टा बाँकी रहल समय नेकपा सांसद लगनलाल चौधरीकेँ प्रस्तावक आ नेकपाक सांसद रामकुमार यादवकेँ समर्थक बनबैत अध्यक्ष पदके उम्मेदवार साह करिब साढे चारिबजे उपसचिव शान्तिराज प्रसाईंसमक्ष मनोनयन दर्ता करओलन्हि ।
उपसचिव प्रसाईं समर्थक बनल यादव उपस्थित छथि की नहि प्रश्न कएलन्हि । अध्यक्ष पदक उम्मेदवार साह ओ हस्ताक्षर कऽ कऽ जा चुकल जबाब देने छलथि ।
साह उपसचिव प्रसाईंक कार्यकक्षमे रहल समय मनोनयन दर्ता समय समाप्त हएबामे करिब १० मिनेट बाँकी रहल समय नेकपाक दोसर सांसद मनोनयनपत्र पहुँचल । आ, हुनकर मनोनयनपत्र लऽ कऽ आएल छलथि, कांग्रेस सांसद नरेश यादव । महतोक प्रस्तावक सांसद नरेश यादव आ समर्थक संघीय समाजवादी फोरमक सांसद पारस साह बनल छथि ।
अध्यक्ष पदक उम्मेदवार साह सांसद यादवक हाथसँ मनोनयनपत्र लऽ कऽ उपसचिव प्रसाईंक आगु फारि देने छलथि । ओहिके बाद शुरु भेल विवादक क्रम ।
सभामुख यादव उपसचिव प्रसाईंके अपन कार्यकक्षमे बजओलन्हि । मुदा, प्रसाईंके संगहि नेकपाक लेखा समितिक अध्यक्ष पदक उम्मेदवार साह, संसदीय दलक नेता सत्यनारायण मण्डल, प्रमुख सचेतक सुन्दरबहादुर विश्वकर्मासहितक सांसदसभ सेहो सभामुखक कार्यकक्षमे पहुँचलथि ।
छलफलके क्रममे नेकपा संसदीय दलक नेता मण्डल सभामुख राजनीति कऽ रहल कहैत आक्रोश व्यक्त कएलन्हि । जबाबमे सभामुख यादव संसदीय दलक नेता मण्डलकेँ ‘आहाँ बाहर जाउ’ जबाब देने छलथि । सभामुखक यादवक एहि प्रकारक जबाबके बाद कार्यकक्षमे उपस्थित नेकपाक सांसदसभ यादवतर्फ उठि कऽ गेलथि । हाथपाथक स्थिति उत्पत्र भऽ गेलाक बादो ओतह उपस्थित मार्यदापालकसभ स्थिति नियन्त्रणमे लेबएमे सफल भेल छलथि ।
की कहैत छथि सभामुख ?
सभामुख सरोज यादव बात नहि बुझि कऽ अपनासँग एहि प्रकारक व्यवहार प्रदर्शन कएलगेल प्रतिक्रिया देलन्हि अछि । छलफलके बाद कार्यकक्षसँ बाहर आएल सभामुख यादव सञ्चारकर्मीसभसँ बातचित करैत एकबेरके लेल नेकपा सांसदसभकेँ क्षमा कएने बतओलन्हि । ‘ओसभ बात नहि बुझि कऽ एहि प्रकारक व्यवहार कएने छथि,’ ओ कहलन्हि,‘ कारबाही तऽ कएल जा सकैत अछि । मुदा एकबेरके लेल हुनकासभकेँ क्षमा कऽ देने छी ।’
प्रदेश सरकारसँग सहमति भेलाक बादो कानो सांसदकेँ मनोनयन दर्ता करबासँ रोकबाक अधिकार हुनका लँग नहि रहल ओ बतओलन्हि । लेखा समितिक अध्यक्षमे दु गोटेके मनोनयन दर्ता भेलाक कारण शुक्रदिन मतदान प्रक्रियासँ निर्णय कएल जाएत सभामुख यादव जानकारी देलन्हि । मनोनयनपत्र फारएके सम्बन्धमे सचिवालयसँ आएल प्रतिवेदनके आधार पर कारबाही प्रक्रिया आगु बढाओल जाएत हुनकर कहब छलन्हि ।
सत्ताधारी दल आ कांग्रेसक डिजाइन–मण्डल
नेकपा संसदीय दलक नेता मण्डल प्रदेश सरकारसँ दलसभकेँ सहमति भेलाक बादो सत्तासाझेदार दल संघीय समाजवादी फोरम आ राजपा तथा कांग्रेसक डिजाइनमे पार्टी लेखा समितिक अध्यक्ष पदमे सिफारिस कएने साहकेँ रोकबाक खेल भऽ रहल आरोप लगओलन्हि अछि ।
विवाद कियाक भेल अछि सञ्चारकर्मीसभक जिज्ञासामे मण्डल,‘सभामुख सरोज यादव आ कांग्रेससँ पुछु’ जबाब देलन्हि । राजपा आ फोरमसँग मिल कऽ लेखा समितिक अध्यक्ष बनबासँ रोकबालेल कांग्रेस ई डिजाइन तैयार कएने हुनकर आरोप छलन्हि ।
नेकपा संसदीय दलक नेता मण्डल सभामुख नालायक रहल आ राजनीति कऽ रहल आरोप लगबैत उम्मेदवार नहि आबि कऽ दर्ता कराओलगेल मनोनयन अपनासभकेँ स्वीकार नहि रहल बतओलन्हि ।
नेपाली कांग्रेसक संसदीय दलक नेता रामसरोज यादव नेकपासँ समितिक अध्यक्ष पदके लेल मनोनयन दर्ता करओने शत्रुध्न महतोतर्फ इंगित करैत कहलन्हि,‘सहयोग मँगलाक बाद हमसभ सहयोग मात्र कएने छी ।’
शुक्रदिन चुनाव
सार्वजनिक लेखा समितिक अध्यक्ष पदके लेल दु गोटेके उम्मेदवारी दर्ता भेलाक बाद शुक्रदिन चुनाव होबए जा रहल अछि । संसद सचिवालय भिन्सर १० बजे निर्वाचनक समय तय कएने उपसचिव प्रसाईं जानकारी देलन्हि अछि । चुनाव भेल अवस्थामे शत्रुध्न महतो अध्यक्ष पदमे निर्वाचित होएब करिब करिब पक्का देखलगेल अछि ।
समितिमे १३ टा सदस्य छथि । जाहिमेसँ नेकपाक ४, कांग्रेस, राजपा आ फोरमक ३÷३ टा सदस्य छथि । कांग्रेस, राजपा आ फोरम एकतर्फ देखलगेलाक कारण महतो अध्यक्षमे निर्वाचित होएब करिब करिब पक्का अछि ।
सत्ता साझेदार संघीय समाजवादी फोरम आ राजपाक संगहि प्रतिपक्षी कांग्रेस सेहो एक भेलाक बाद नेकपा सिफारिस कएने अध्यक्ष पदक उम्मेदवार घेराबन्दीमे परल छथि ।
जनकपुरधाम फागुन ०२ गते ।पूर्व प्रधानमन्त्री एवं नेकपाक वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल सरकर पर फेर कटाक्ष कएलन्हि अछि । सरकार विधिके शासनअनुसार सञ्चालन नहि भऽ सकल नेपालक आरोप छन्हि ।
जनकपुर विमानस्थल पर बुधदिन सञ्चारकर्मीसभसँ बातचित करैत नेता नेपाल एक वर्ष पुरा कऽ चुकल सरकारकेँ स्वयं मूल्यांकन करबाक समय आबि चुकल बतआलन्हि अछि । ‘सरकारक कामकार्यबाहीसँ जनता खुश नहि भऽ सकल अछि,’ नेपाल कहलन्हि,‘सरकारकेँ अपन काजक समीक्षा कऽ कऽ जनताक हितमे काज करब जरुरी अछि ।’
पार्टी सञ्चालनक तौरतरिका पर सेहो नेता नेपाल असन्तुष्ट देखलगेल छथि । ‘पार्टीके नीतिके हिसाबसँ चलबाक चाही,’ नेपाल कहलन्हि,‘पार्टी नीतिके हिसाबसँ सञ्चालन हएबाक चाही छल । मुदा व्यक्तिके हिसाबसँ चलि रहल अछि ।’ पार्टीकेँ व्यक्ति चला रहल कहैत विधिअनुसार सञ्चालन नहि भऽ सकल नेपाल आरोप लगओलन्हि ।
नेकपा बुधदिन जनयुद्ध दिवस मना रहल समय नेता नेपाल पार्टीकेँ जनयुद्ध दिवस मान्य नहि रहल बतओलन्हि अछि । जनयुद्ध दिवस मनएबाक निर्णय पार्टीके नहि भऽ कऽ कोनो व्यक्तिके रहल ओ बतओलन्हि । पार्टीक परिपाटीके अध्यक्ष नहि बुझि सकल ओ आरोप लगओलन्हि ।
एहिबीच नेता नेपाल जनकपुरस्थित अनाथ आश्रमक धियपुताकेँ कक्षा १२ धरि पढएबाक प्रतिवद्धता व्यक्त कएलन्हि अछि । सदगुरु कबिर अनाथ बालवत्सल्य आश्रममे रहिरहल धियापुताक अवस्थाक विषयमे जानकारी लेबए पहुँचल नेता नेपाल आश्रमक धियापुताक १२ कक्षा धरिके पढएबाक जिम्मेवारी लेलन्हि अछि ।
जनकपुरधाम फागुन ०२ गते ।प्रहरीक सुरक्षा व्यवस्थकेँ चुनौती दैत डाकुसभक एक समूह जनकपुर क्षेत्रभितरे डकैती कएलक अछि । जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–१३ पिडाडीस्थित कवर्डहल नजदिक सोभित राउतक घरमे मंगलदिन राति करिब एक बजे डकैत भेल अछि ।
करिब १० गोटेके समूहमे आएल लुटेरासभक समूह राउतक घरसँ ५ लाख ५७ हजार नगदसहित सोनके गरगहना सेहो लुटने अछि । घरेलु हाथहथियारसहित लुटपाटक मारिपिटसँ राउतक श्रीमती आ हुनक घरमे भाडा लऽ कऽ रहैत आएल विकास साहक श्रीमती घायल भेल छथि ।
घटनास्थल मुजेलिया प्रहरी चौकीसँ करिब एक डेढ किलोमिटरके दुरी पर रहलाक बादो प्रहरी पहुँचबामे ढिलाइ कएने पीडितसभक कहब अछि । लुटेरासभ प्रयोग कएने भाषा थारुजँका रहल राउत बतओलन्हि अछि ।
प्रहरी लुटपाटमे संलग्न रहल आशंकामे तीन गोटेके नियन्त्रणमे लेलक अछि । घटनाक विषयमे आवश्यक अनुसन्धान चलि रहल धनुषाक प्रवक्ता डीएसपी दीपेन्द्र शाही जानकारी देलन्हि ।
जनकपुरधाम फागुन ०२ गते । जिल्ला समन्वय समिति जिल्लाक सभ क्रसर उद्योग बन्द करबाक निर्णय कएलक अछि । समितिक बुधदिन सम्पन्न बैठक स्थलगत अनुगमनमे नदीजन्य पदार्थके अवैध दोहन आ उत्खनन भेल निष्कर्ष निकालैत सभ क्रसर उद्योग बन्द करबाक निर्णय कएने जिल्ला समन्वय समिति जनओलक अछि ।
एहिसँ पहिने जिल्ला अनगुमन समिति नदीजन्य पदार्थक ठेक्का बन्दोबस्त, राजश्व असुली आ क्रसर उद्योगसभक दर्ता नवीकरणसहितक विवरण स्थानीय तहसँ मँगने छल । मुदा कोनो स्थानीय तह विवरण नहि देने समिति जनओलक अछि ।
महोत्तरीमे एखन ५० सँ अधिक क्रसर उद्योग आ बाउल प्रशोधन उद्योग सञ्चालनमे रहल बताओलगेल अछि । मुदा समन्वय समितिक तथ्यांकअनुसार जिल्लामे ६ टा क्रसर उद्योगमात्र सञ्चालनमे देखलगेल अछि ।
चुरे क्षेत्रमे क्रसर उद्योगकेँ कडाइ कएलाक बादो क्रसर उद्योगसभ जिल्लाक दक्षिण क्षेत्रतर्फ सञ्चालन होइत आबि रहल अछि । महोत्तरीक बर्दिवास नगरपालिका –७ स्थित किसाननगर आ ९ मे रहल रातु नदी आ नदी उकास क्षेत्रसँ एक्साभेटर लोडर प्रयोग करैत सभसँ अधिक अवैध रुपेँ नदीजन्य सामग्री उत्खनन होइत आएल अछि ।
रातु नदी क्षेत्रसँ अवैध उत्खनन नहि भेल कहैत नगरपालिका एखन नदी उकास क्षेत्रसँ भऽ रहल अवैध उत्खननप्रत मौन अछि । गत आशिन २८ गते बर्दिवास नगरपालिका १८ टा क्रसर उद्योगकेँ गैरकानुनी उत्खनन बन्द करबालेल पत्र पठओलाक बादो अवैध उत्खनन नहि रुकल अछि ।
पूर्व–पश्चिम राजमार्गक रातु पुलसँ एक किलोमिटर दक्षिणमे रातु नदी आ नदीक उकास क्षेत्रमे निर्वाध रुपेँ २० फिट गँहिर खधिया खनि कऽ उत्खनन भऽ रहल अछि । रातु नदीक अवैज्ञानिक उत्खननसँ भूमिगत स्रोतसभ सुखलाक कारण पिबएबला पानिक समस्या सेहो उत्पत्र भेल अछि ।
रातु नदी आ नदि उकास क्षेत्रमे भऽ रहल अवैध उत्खननके जिल्ला समन्वय समितक सभापति, जिल्ला प्रशासन कार्यालयक प्रमुख, जिल्ला प्रहरी कार्यालय प्रमुख, बर्दिवास नगरपालिकाक प्रमुख सहितक टोली अनुगमन कएने छल ।
काठमाण्डु फागुन ०२ गते ।सरकार बेरोजगार युवासभकेँ वर्षमा न्यूनतम सय दिन रोजगारी देबाक उद्देश्यसहित ‘प्रधानमन्त्री रोजगार कार्यक्रम’ घोषणा कएलक अछि ।
आब सरकार बेरोजगार नागरिककेँ न्यूनतम सय दिन रोजगारी देत । रोजगारी नहि दऽ सकल अवस्थामे निर्वाह भत्ता देत । सरकारक उद्देश्य रोजगारी देबाक रहलाक कारण निर्वाह भत्ता प्राप्त करबाक मापदण्ड कडा बनाओलगेल अछि । सरकार तय कएने मापदण्ड पुरा नहि करएबला व्यक्ति बेरोजगार रहलाक बादो निर्वाह भत्ता नहि भेटत ।
कार्यक्रम शुभारम्भ करैत प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली नेपाल हरेक दिन एक कदम आगु बढि रहल दावी कएलन्हि । ओ कहलन्हि,‘नेपाली जनता देखए चाहने दिन यह्या छैक ।’
एखन देशभरि कतेक बेरोजगार अछि ई तथ्यांक सरकारलँग नहि अछि । वर्षमे नेपालमे कतेक शैक्षिक बेरोजगार बजारमे आओत आ बजारके माँगअनुसारके जनशक्ति आपूर्ति भऽ रहल अछि की नहि जानकारी सेहो नहि अछि ।
आब प्रधानमन्त्री रोजगार कार्यक्रम घोषणा हएबाक संगहि पहिल काज बेरोजगारसभक तथ्यांक संकलन कएल जाएत ।
संसदके वर्षा अधिवेशन ‘रोजगारी हकसम्बन्धी ऐन २०७५’ आ ओहिके नियमावली अनुसार ७५३ स्थानीय तहमे रोजगार संयोजक नियुक्त करबाक प्रक्रिया अन्तिम चरणमे पहुँचल श्रम, रोजगार तथा समाजिक सुरक्षा मन्त्रालय जनओलक अछि । रोजगार संयोजकके लेल २ हजार २५९ गोटेके सर्ट लिष्ट मन्त्रालय तैयार कएने अछि । मन्त्रालय ७५३ तहके लेल प्रति तह अधिकृत आ नासु ३ गोटेके हिसाबसँ २ हजार २ सय ५९ गोटेके नाम सर्टलिष्ट तैयार कएने अछि ।
हुनकासमेसँ ७५३ रोजगार संयोजक नियुक्त कऽ सभ स्थानीय तहमे पठाओल जाएत मन्त्रालय जनओलक अछि । रोजगार संयोजक नियुक्त हएबाक संगहि सरकार प्रत्येक स्थानीय तहमे ‘रोजगार सेवा केन्द्र’ स्थापना कएल जाएत ।
रोजगार सेवा केन्द्रसभक पहिल दायित्व अपन स्थानीय तहमे रहल बेरोजगारक सूची संकलन करत । चैत १ गतेसँ बेरोजगार व्यक्तिके दर्ता शुरु होएत ।
एहन अछि प्रक्रिया
सेवा केन्द्र स्थानीय तहभितरके बेरोजगार नागरिकक सूचीमे आवद्ध होबएलेल निश्चित समयसीमा दऽ कऽ आह्वान करत ।
ओहिके आधार पर बेरोजगार युवा सरकारकेँ ‘हम बेरोजगार छी’ सूचना देबए परत । स्वरोजगार नहि रहल १८ वर्षसँ ५९ वर्ष धरिके नागरिक समावेश होएत । रोजगार सेवा केन्द्र बेरोजगारक सूचीके संगहि अपन क्षेत्रमे रहल रोजगारदाता आ सरकारी स्तरके रोजगार सम्भाव्यता विकास आयोजनाक तथ्यांक सेहो संकलन करत ।
सरकारक खर्चसँ बनि रहल आयोजना आवश्यक जनशक्तिके विषयमे स्थानीय तहकेँ जानकारी देत । आयोजनासभ माँग कएने आधारमे रोजगार सेवा केन्द्र कामदार परिचालन करत ।
प्रधानमन्त्री रोजगार कार्यक्रमक निर्देशिकाअनुसार परिचालन कएलगेल स्थानमे जएबालेल तैयार नहि भेल अवस्थामे बेरोजगार सूचीसँ हटाओल जाएत । संगहि श्रमिकके पारिश्रमिक निर्धारण करबाक क्रममे सरकार तय कएने न्यूनतम या स्थानीय तह निर्धारण कएने मेसँ जे अधिक होएत, ओह्या निर्धारण होएत ।
संगहि स्थानीय तहक रोजगार संयोजक अषाढ १० गते भितर जेठ मसान्तधरि रोजगारी नहि भेटएबलासभक संख्या आ न्यूनतम सय दिन रोजगारी नहि पाबएबलासभक संख्या यकिन करत । रोजगारीक हकसम्बन्धी ऐनमे कमयसँ कम सय दिन काज देबाक व्यवस्था अछि । ओहि अनुसार एक आर्थिक वर्षमे न्यूनतम एक सय दिन रोजगारी देबाक योजना बनाओलगेल श्रममन्त्री गोकर्ण विष्ट जानकारी देलन्हि ।
कोनकोन क्षेत्रमे देल जाएत रोजगारी ?
प्रधानमन्त्री रोजगार कार्यक्रम कार्यान्वयनके लेल सरकार रोजगारीक किछु क्षेत्र पहिचान कएने अछि । कृषि, पर्यटन, सडक यातायात, उर्जा, वन तथा वातावरणसँ राष्ट्रिय गौरवके आयोजना, उद्योगसहितक १३ क्षेत्रमे रोजगारी सिर्जना कएल जा सकैत अछि सरकारक विश्वास अछि ।
सरकार न्यूनतम सय दिन काम नहि दऽ सकल अवस्थामे बेरोजगार नागरिककेँ निर्वाह भत्ता सेहो उपलब्ध कराओत । कमसँ कम ५० दिनक काज बराबर निर्वाह भत्ता देल जाएत । रोजगार सेवा केन्द्र अषाढ १५ भितर निर्वाह भत्ता भेटएबला योग्य परिवारक पहिचान करत । ओकरासभकेँ एकमुष्ट २५ हजार ८५० रुपैयाँ निर्वाह भत्ता उपलब्ध कराओल जाएत । मुदा, निर्वाह भत्ता प्राप्त करबाक मापदण्ड सरकार कडा बनओने अछि ।
एहि कार्यक्रमके उद्देश्य काम करबालेल इच्छुक युवासभकेँ देश भितरे काज करबाक वातावरण निर्माण करबाक रहल कहैत श्रममन्त्री विष्ट कहलन्हि,‘बिना काम सभ बेरोजगारकेँ भत्ता वितरण कदापि नहि भऽ सकैत अछि ।’
जनकपुरधाम फागुन ०२ गते ।धनुषाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रदीपराज कणेल जनकपुरक जानकी आँखा अस्पतालभितर देखलगेल समस्याके समाधन यथाशीघ्र होएत बतओलन्हि अछि ।
विधानविपरित काज कऽ रहल कर्मचारीके बर्खास्तसहितक माँग लऽ कऽ ज्ञापन पत्र बुझाबएलगेल स्थानीयसभके प्रमुख जिल्ला अधिकारी कणेल आँखा अस्पतालमे देखलगेल समस्या यथाशीघ्र समाधान करबाक आश्वासन देलन्हि अछि ।
एहिसँ पहिने विधानविपरित राजनीतिमे सक्रिय कार्यकता कर्मचारीके रुपमे काज कऽ रहल, अस्पतालमे कार्यरत कर्मचारी नीजि क्लिनिक आ दोकान सञ्चालन करैत आबि रहल, युनियनके नाम पर कर्मचारीसभ राजनीति करैत आबि रहल कहैत स्थानीयसभ आँखा अस्पतालक प्रशासनिक शाखामे तालाबन्दी कएने छल ।
प्रमुख जिल्ला अधिकारी कणेल बुधदिन स्वयं अस्पताल पहुँच कऽ समस्याके विषयमे जानकारी लेलन्हि अछि । रेडक्रसद्धारा सञ्चालित जानकी आँखा अस्पतालक नियमन करएबला निकाय जिल्ला जनस्वास्थ्य कार्यालय रहलाक बादो जिल्ल प्रशासन कार्यालय मुकदर्शक बनि कऽ नहि रहलत बतओलन्हि अछि ।
आँखा अस्पतालमे उत्पत्र समस्याके विषयमे यथार्थ जानकारी देबएलेल जिल्ला जनस्वास्थ्य कार्यालयके निर्देशन दऽ चुकल आ एक दु दिनभितर प्रतिवेदन आबि जाएत ओ बतओलन्हि अछि ।
अस्पतालभितर अवकाश प्राप्त आ अवकाश प्राप्त नहि रहल कर्मचारी, राजनीतिक दलक सत्रिय सदस्य कर्मचारीके रुपमे काज करब, अस्पतालमे कार्यरत कर्मचारी नीजि क्लिनिक आ दोकान सञ्चालन करब एहि प्रकारक समस्या देखलगेल प्रमुख जिल्ला अधिकारी कणेल बतओलन्हि अछि ।
राम विनोद चौधरी, धिरेन्द्रबहादुर सिंह, सतिशचन्द्र लाल, राकेशविक्रम साह, नवनीत झा, अनिल सिंह, अखिल मधुकर्मी, त्रिदेव मिश्र, दिनेश सिंहसहितक व्यक्तिसभक टोली प्रमुख जिल्ला अधिकारी कणेलके ज्ञापन पत्र बुझओने छल ।
जनकपुरधाम फागुन ०१ गते । बाराके जितपुर सिमरा उप–महानगरपालिका–७ लालके पुल नजदिकसँ करिब ८ किलो अवैध लागूऔषध गाँजा सहित प्रहरी ३ गोटेके नियन्त्रणमे लेलक अछि । पकराएबलासभमे जिल्ला पर्सा, पर्सागढी नगरपालिका–८ क ३२ वर्षीय शिव कुमार महतो, जिल्ला मकवानपुर राक्सिरांग गामपालिका–३ क ३१ वर्षीय हिमालसगा रुम्बा आ ओही गामपालिका–३ क ३० वर्षीय श्रीराम स्यांग्तान रहल अछि । ईलाका प्रहरी कार्यालय सिमरासँ खटल प्रहरी गस्ति टोली शंकाके आधारमे चेकजाँच कएला बाद ओसभ सवार रहल ना. ६० प ५७६८ नम्बरके मोटरसाईकलमे झोरामे नुका कऽ रखने ओ लागुऔषध बरामद भेल प्रहरी जनओलक अछि । घटना सम्बन्धमे थप अनुसन्धान भऽ रहल प्रदेश प्रहरी कार्यालय जनकपुर जनओलक अछि ।
तहिना सिरहाके लक्ष्मिपुरपतारी गामपालिका वार्ड नं. १ सँ भन्सार छलिके विभिन्न सामानसभ प्रहरी बरामद कएने अछि । राजनिवास, चिनि, चायापत्त, पलास्टिकके झोरा कऽ करिव रु.६९ हजार मुल्य बरावरके सामान प्रहरी नियन्त्रणमे लेलक अछि । प्रदेश प्रहरी कार्यालय प्रदेश नं .२, जनकपुर आ इलाका प्रहरी कार्यालय महेशपुरपतार, सिरहासँ खटल संयुक्त प्रहरी टोली स. ४ प. ४३९ नम्बरके मोटर साईकलमे भन्सार छलि कऽ भारतसँ नेपाल तर्फ लाबि रहल अवस्थामे ओहि परिमाणक सामानसभ नियन्त्रणमे लेने अछि । समान लऽ कऽ आबि रहल व्यक्ति प्रहरी टोलीकेँ देख्ने लगले भागल आ एहि सम्बन्धमे प्रहरी आवश्यक अनुसन्धान कऽ रहल प्रदेश प्रहरी कार्यालय जनकपुरक प्रहरी प्रवक्ता डिएसपी दानबहादुर थापा जानकारी देलन्हि ।