स्थानीय

सरकारसँ समर्थन फिर्ता लेबएके राजपाके तैयारी

जनकपुरधाम १९ गते । राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपाल सरकारकेँ देने समर्थन फिर्ता लेबएके तैयारी कएलक अछि । राजपा अध्यक्ष मण्डलक संयोजक राजेन्द्र महतो प्रधानमन्त्रीकेँ भेंट कऽ संविधान संशोधनके विषयमे ध्यानकर्षण करओने एक सप्ताह पहुँचला बाद राजपा ई चेतावनी देलक अछि । राजपा अध्यक्षमण्डलमे रहल नेतासभ गत सप्ताह प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीेकेँ संविधान संशोधन करबालेल ध्यानाकर्षण करओने छलथि । मुदा, सरकार एक सप्ताहधरि कोनो तदारूकता नहि देखओलासँ सरकारकेँ देने समर्थन फिर्ता लेबएके तैयारी भऽ रहल राजपाक महासचिव मनीषकुमार सुमन जानकारी देलन्हि ।
“सरकार नहि टेरलक, संविधानके समर्थन कऽ मधेसक माँगके सम्बोधन करबालेल सरकारकेँ समर्थन देने छी । संविधान संशोधन नहि कएला बाद सरकारकेँ समर्थन देबएके कोनो औचित्य नहि अछि,” ओ कहलन्हि । हुनका अनुसार बुधबार राजपाको जिल्ला कार्यसमिति रहेका जिल्लामा विस्तारित बैठक चलि रहल अछि । बैठकसँ आएल सुझावकेँ आधार मानि कऽ पार्टी आगा बढत ओ जानकारी देलन्हि ।

Read More »

‘सीडीओ प्रदेश प्रहरी परिचालन करत’

जनकपुरधाम पुस १९ गते । संघीय सरकार प्रदेशक आन्तरिक मामिला (गृह) मन्त्रालयसँ अधिक प्रमुख जिल्ला अधिकारीकेँ अधिक अधिकार देबाक हिसाबसँ ऐनके मस्यौदा कएलक अछि ।
संघीय संसदमे चर्चाक तैयारीमे रहल आन्तरिक शान्ति तथा व्यवस्था कायम करबाक सम्बन्धमे व्यवस्था करबालेल बनल विधेयक शान्ति सुरक्षासम्बन्धी काज करबाक कार्यकारी अधिकारी सीडीओमे निहित कएने अछि ।
मन्त्रिपरिषदसँ पारित भऽ संसदमे दर्ता करबाक तैयारीमे रहल विधेयकमे ७७ जिल्लामे नेपाल सरकारक प्रतिनिधिके रुपमे प्रमुख जिल्ला अधिकारी जिल्लाक प्रमुख प्रशासकीय अधिकारी भऽ कऽ काज करताह उल्लेख अछि । अदालत आ रक्षासम्बन्धी कार्यालय बाहेक जिल्लास्थित सभ कार्यालयक प्रमुख सीडीओ अन्तर्गत रहबाक पुराने प्रावधान यथावत राखलगेल अछि ।
प्रमुख जिल्ला अधिकारी नेपल सरकार आ प्रदेश सरकारक नीति, निर्देशन आ समन्वयमे रहि कऽ काज करत विधेयकमे व्यवस्था कएलगेल अछि । मुदा, नेपाल सरकारक प्रतिनिधिकेँ अन्तिम आदेश संघीय गृहमन्त्रालयके पालना करए परत विधेयकमे उल्लेख अछि ।
यद्यपी विधेयकमे जिल्ला भितरके शान्ति सुरक्षामे प्रदेश सरकार आ स्थानीय तहक समन्वयमे काज करबालेल कहलगेल अछि ।
जिल्ला प्रशासन कार्यालयके सीडीओ मात्र नहि सभ कर्मचारी संघीय निजामती सेवामार्फत पठएबाक व्यवस्था कएल जा रहल अछि । मुदा विशेष अवस्थामे प्रदेश सेहो निजामती सेवा आ स्थानीय सेवाक कर्मचारीकेँ सेहो कामकाजमे लगा सकैत अछि विधेयकमे व्यवस्था कएलगेल एक मन्त्री बतओलन्हि । विशेष अवस्था निर्वाचन आ दैवी विपत्तिके कहलगेल अछि ।
जिल्ला प्रशासन कार्यालयसँ होबएबला सार्वजनिक सेवा प्रवाह सम्बन्धी काजके लेल नेपाल सरकार आवश्यक्ता अनुसार इलाका प्रशासन कार्यालय, सीमा प्रशासन कार्यालय स्थापना कऽ सकैत अछि विधेयकमे व्यवस्था कएलगेल अछि ।
गृहमन्त्रालयक एक उच्च अधिकारीके अनुसार शान्ति सुव्यवस्था कायम करबाक सन्दर्भमे सीडीओकेँ केन्द्र आ प्रदेश सरकारक निर्देशनमे काज करएबला मजबुत संयन्त्र बनएबाक प्रयास कएलगेल अछि ।
हालहि सम्पन्न अन्तर प्रदेश परिषदके बैठकमे मुख्यमन्त्रीसभ प्रमुख जिल्ला अधिकारीकेँ प्रदेश सरकारक निर्देशनमे काज करबालेल कहैत सीडीओ अन्तर्गत रखबालेल सुझाव देने रहथि ।
सीडीओकेँ केन्द्र सरकारक प्रतिनिधिके रुपमे रखलासँ ओ प्रदेश सरकारक निर्देशन नहि मानएके अवस्था आबि सकैत अछि हुनकासभक कहब छलन्हि ।
गृहमन्त्री रामबहादुर थापा संयोजकत्वके कार्यदल देने २९ सुत्रीय सुझावमे सेहो राहदानी, नागरिकता वितरण अ सीमा सुरक्षाबाहेक अन्य सम्पूर्ण काज प्रदेश सरकारक निर्देशनमे रखबालेल कहलगेल बुझबामे आएल अछि ।
प्रमुख जिल्ला अधिकारीसभ प्रदेशके नहि भऽ केन्द्र सरकारक मातहतमे रहबालेल लबिङ कऽ रहल छथि । ओसभ किछु दिन पहिने लिखित रुपेँ ई माँग सेहो कएने रहथि ।
किछु जिल्ला सीडीओ प्रदेश मन्त्रालयक सचिवसँ वरिष्ठ सहसचिव रहलाक कारण सेहो प्रदेश मन्त्रालयक निर्देशन नहि मानल जा सकैत अछि तर्क कएलन्हि अछि ।
स्रोतक अनुसार कानुन मन्त्रालयक रायसहित मन्त्रिपरिषदमे गेल आन्तरिक सुरक्षासम्बन्धी विधेयकमे किछु हेरफेर करबालेल गृह, कानुन आ प्रधानमन्त्री कार्यालय सचिवकेँ जिम्मा देलगेल अछि ।
संघीयताक अवधारणा जिल्लाकेँ समन्वयकारी इकाइक रुपमे मात्र चिन्हलाक बादो प्रमुख जिल्ला अधिकारीकेँ विगतसँ अधिक अधिकार देलगेल अछि । संघीय सरकारक नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरीमात्र नहि, प्रदेश प्रहरी परिचालनक अधिकार सेहो प्रमुख जिल्ला अधिकारीके देलगेल अछि । सीडीओ नेपाल सरकार आ प्रदेश सरकार दुनुके निर्देशनमे काज करत कहलगेल अछि ।
मेला, जात्रा, पर्व या कोनो सभा जुलुसके भीडसँ हिंसात्मक प्रवृति लऽ शान्ति भंग हएबाक संभावना देखलगेल अवस्थामे प्रमुख जिल्ला अधिकारी तत्काल प्रदेश प्रहरी परिचालन कऽ ई काज रोकि सकैत अछि विधेयकमे कहलगेल अछि । प्रदेश प्रहरीमात्र नियन्त्रण नहि कऽ सकल अवस्थामे ओ तुरन्त नेपाल प्रहरी परिचालन करबाक आदेश दऽ सकैत अछि विधेयकमे व्यवस्था कएलगेल अछि ।
प्रदेश प्रहरी आ नेपाल प्रहरी सेहो नियन्त्रण नहि कऽ सकल अवस्थामे सशस्त्र प्रहरी परिचालन करबाक अधिकार सेहो सीडीओके देलगेल अछि । भीड नियन्त्रण करबालेल गोली चलएबाक आदेश सेहो विगत जँका सीडीओ देत । शान्ति सुरक्षा कायम करबाक सम्बन्धमे भेल काम कारबाहीके जानकारी प्रमुख जिल्ला अधिकारी संघीय गृहमन्त्रालय आ प्रदेशक आन्तरिक मामिला देखएबला मन्त्रालयकेँ तत्काल देबए परत ।
ओहि निकायसभसँ प्राप्त निर्देशनक पालना करब प्रमुख जिल्ला अधिकारके कर्तब्य होएत विधेयकमे उल्लेख कएलगेल अछि । मुदा कोनो अवस्थामे केन्द्र सरकार आ प्रदेश सरकारक आदेश फरक भेल अवस्थामे ककर निर्देशन मानल जाएत प्रष्ट नहि अछि । मुदा नेपाल सरकारक प्रतिनिधि रहलाक कारण सीडीओके अन्तिम आदेश संघीय गृहमन्त्रालयके मानए परत ।
संघीय सरकारक गृहमन्त्रालय आ प्रदेशक आन्तरिक मामिला तथा कानुन मन्त्रालयसँ समन्वय कऽ जिल्लाक शान्ति सुव्यवस्था कायम रखबाक जिम्मेवारी प्रमुख जिल्ला अधिकारीकेँ देबाक मस्यौदा तैयार भेल सरकारक प्रवक्ता गोकुल बास्कोटा पुष्टि कएलन्हि अछि ।
मस्यौदामे केन्द्रीय सुरक्षा समिति, प्रदेश सुरक्षा समिति आ जिल्ला सुरक्षा समितिक निर्णय आ निर्देशनअनुसार प्रमुख जिल्ला अधिकारीके काज करबाक व्यवस्था अछि ।
मस्यौदामे प्रमुख जिल्ला अधिकारीकेँ साविकके अधिकारमे प्रदेशसँ सम्बन्धित नयाँ अधिकार सेहो बढाओलगेल अछि । एहिसँ सीडीओ राणाकालीन बड हाकिम जँका शक्तिशाली बनत आ प्रदेश सरकारसँ शान्ति सुरक्षा सम्बन्धी अधिकार कम हएबाक आशंका प्रदेशक आन्तरिक मामिला सम्बन्धी मन्त्रीसभ कएलन्हि । प्रदेशभितरके शान्ति सुरक्षा कायम करबाक सन्दर्भमे प्रदेश सरकारकेँ जिम्मा देबा पर हुनकासभक जोड अछि ।
मस्यौदामे पहिने जँका प्रमुख जिल्ला अधिकारीकेँ जिल्ला सुरक्षा समितिक अध्यक्ष बनएबाक प्रस्ताव अछि । एहि प्रस्ताव अनुसार जिल्ला सुरक्षा समिति जिल्लाक शान्ति सुरक्षाक सूचना संकलन आ विश्लेषण कऽ सुरक्षा रणनीति बनएबाक आ कार्यान्वयन करत । तहिना संघीय सरकार आ प्रदेश सरकारक सुरक्षा समिति आ मन्त्रालयक आदेश कार्यान्वयन करत ।
संघीय प्रहरी ऐनके मस्यौदा नहि बनलाक बादो आन्तरिक शान्ति व्यवस्था कायम करबाक सम्बन्धी विधेयकमे प्रदेश प्रहरीके काम कर्तव्यके विषयमे प्रष्ट कएलगेल अछि । प्रदेश प्रहरीक परिचालन सम्बन्धीत प्रदेशक आन्तरिक मामिला मन्त्रालयक समन्वय आ निर्देशनमे प्रमुख जिल्ला अधिकारी करत व्यवस्था अछि ।
प्रदेश प्रहरीके काबु बाहर गेलाकबाद संघीय गृहमन्त्रालयकेँ जानकारी करा कऽ नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरी परिचालन होएत । विधेयकमे दु या दुसँ अधिक प्रदेशमे गम्भीर अशान्ति भेल चाहे हएबाक सम्भावना देखलगेला पर जिल्ला अधिकारी या सम्बन्धीत प्रदेशक आन्तरिक मामिला देखएबला मन्त्रालयके संघीय गृह मन्त्रालयके जानकारी कराबए परत कहलगेल अछि ।

Read More »

निर्मला पन्तके घटना आश्चर्यजनक ः प्रधानमन्त्री

काठमाण्डू पुस १८ गते ।प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली निर्मला पन्तके बलात्कारक बाद हत्याके घटना आश्चर्यजनक रहल बतओलन्हि अछि । मंगलदिन काठमाण्ठडूमे आयोजित कार्यक्रममे ओ बलात्कारक बादक पछिला हत्याक दोसर घटनामे दोषी पत्ता लगला बादो एहिमे कठिनाई भेल बतओलन्हि ।
‘प्रहरी सुरुमे किछु गल्तीसभ कएने देखलगेल अछि । प्रहरी ओ गल्ती किया कएलक कहि प्रहरीके एकके बाद दोसर टिम, गुप्तचरसभ सेहो पठा कऽ पठा कऽ अनुसन्धान भऽ रहल अछि । पछिला समयमे एआईजीके तहसँ अनुसन्धान कएने छी’ प्रधानमन्त्री ओली कहलन्हि, ‘मुदा एखनधरि किछु आश्चर्यजनक बातसभ आएल अछि । किछु आदमीसभ अपराध अपनेसभ एना कोना कऽ कएने छी कहि बयान दैत अछि, मुदा डीएनए नहि मिलैत अछि, अपराधी स्वीकारैत अछि, कवुल करैत अछि, डीएनए नहि मिलैत अछि ।’
नेपाल प्रहरी आम रुपेँ अपराध अनुसन्धानमे सक्षम रहला बादो निर्मला पन्तके घटनामे अपराधी पत्ता नहि लागब दुखद रहल हुनकर कहब छलन्हि । ‘नेपाल प्रहरी आम रुपेँ अपराध अनुसन्धान करबालेल, अपराधी पत्ता लगाबए, कारबाही करबामे सक्षम अछि । ९५ प्रतिशतसँ अधिक अपराध पत्ता लागल अछि’ प्रधानमन्त्री कहलन्हि, ‘एहि बीचमे भेल एहि प्रकारक घटनामे आम रुपेँ पत्ता लागल अछि । बलात्कारक घटना, बलात्कारक बाद घटनासभ प्रहरी पत्ता लगओने अछि । मुदा आश्चर्यजनक बात निर्मला पन्तके यथार्थ अन्तिम रुपेँ निष्कर्ष लागि सकल अछि । ई दुखद पक्ष अछि ।’
प्रधानमन्त्री ओली निर्मला पन्तके घटनामे प्रहरी स्वतन्त्र ढंगसँ अनुसन्धान करए नहि सकल उल्लेख कएलन्हि । ‘एहि घटनाके छानबिन करएबला संस्था स्वतन्त्र ढंगसँ करए नहि सकल अवस्था सेहो नहि अछि, ओहि भितर कतेको शक्तिसभ अपन स्वार्थ ओतह मिला कऽ ओहिकेँ झण्डा बना कऽ चलि रहल देखलगेल अछि ।’ प्रधानमन्त्री ओली अबेर कऽ अपराधी पत्ता लागत दावा कएलन्हि ।

Read More »

‘आन्दोलन कएन्हिार कर्मचारीके कारबाही’

काठमाडू पुस १८ गते ।सरकार ‘कर्मचारी समायोजन अध्यादेश–२०७५’ अनुसार समायोजनमे नहि जा कऽ आन्दोलन कएन्हिार कर्मचारीकेँ कारवाही करए जा रहल अछि । सङ्घीय मामिला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्रालय सरकार संघ, प्रदेश आ स्थानीय तहमे अध्यादेश अनुसार समायोजन नहि भऽ आन्दोलन कएन्हिार कर्मचारीकेँ कारवाही कएल जाएत मन्त्रालयक प्रवक्ता सुरेश अधिकारी बतओलन्हि ।
हुनका अनुसार आन्दोलन कएन्हिार कर्मचारीकेँ ‘निजामति सेवा ऐन–२०४९’ अनुसार आचरण आ अनुशासन पालना नहि कएने कहैत कारवाही करए जा रहल अछि । कर्मचारी समायोजन करबालेल लाओलगेल अध्यादेश अनुसार समायोजनमे नहि जा कऽ दैनिक सिंहदरबारभितर कर्मचारी सरकारविरुद्ध आन्दोलन करए लगला बाद मन्त्रालय कारवाहीके प्रक्रिया आगा बढओलक अछि । प्रवक्ता अधिकारी निजामति कर्मचारी ऐनअनुसार अचारण आ अनुशासन पालना नहि कएन्हिार कर्मचारीकेँ कारवाही कएल जाएत बतओलन्हि ।
हुनका अनुसार ऐनके परिच्छेद ७ अनुसार आचरण आ अनुशासन बेवास्ता करैत निजामति कर्मचारी सामाजिक सञ्जाल, पत्रपत्रिका तथा लेखरचनामे सरकार, सङ्घीय मामिला तथा सामान्य प्रशासनमन्त्री लालबाबु पण्डित, सचिव दिनेशकुमार थपलिया सहितक मन्त्रालयके आँच पहुँचएजँका अवाञ्छित, अनुचित, गैरजिम्मेवारी, अनुशासनहिन आ पेशागत मर्यादा विपरीत सामाजिक सञ्जालमे स्टाट्स, तस्बिर, विचार राखएबला अस्वभाविक क्रियाकलपप्रति ध्यानाकर्षण करबैत ओहन कर्मचारीकेँ पहिचान कऽ कारवाही कएल जाएत ।
ऐनमे उल्लेखित आचरण आ अनुशासन बेवास्ता कऽ अपने निजामती कर्मचारीके भूमिकामे सेहो नहि रहएजँका कऽ मन्त्री, सचिव सहितककेँ पद, वर्ण, जाति, समुदाय आ सम्प्रदायके सेहो जोडि कऽ सामाजिक सञ्जालमे गैरजिम्मेवारपूर्ण, अनुशासन आ आचरण विपरीत अभिव्यक्ति देबएबला राष्ट्रसेवक कर्मचारीके अभिलेख सेहो राखलगेल बताओलगेल अछि ।

Read More »

‘जहाज खरिदमे प्रधानमन्त्रीद्धारा ६ अर्ब गबन’

काठमाण्डु १८ गते ।नेपाली काँग्रेसक सांसद डा.अमरेशकुमार सिंह नेपाल एयरलाइन्सक दुटा वाइडबडी जहाज खरिदमे ६ अर्बसँ अधिकके भ्रष्टाचार भेल दावा कएलन्हि अछि ।मंगलदिन प्रतिनिधिसभाक बैठकमे विशेष समय लऽ कऽ बजैत सांसद सिंह दुटा वाइडबडी जहज खरिदमे भेल ६ अर्ब भ्रष्टाचारक पैसा नेकपा नेतृत्वक सरकार आ प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली गबन कएने दावा कएलन्हि ।
‘एयरबससँ वाइडबडी लैतकाल खरिद ऐनके पालना नहि कएलगेल । जहाज सोझे एयरबस कम्पनीसँ खरिद नहि कऽ दोसरसँ किनलगेल,’ सिंह कहलन्हि,‘एक डलरके कम्पनीसँ जहाज खरिदके अन्तिम सम्झौता कएलगेल । भ्रष्टाचार करबालेल दर्ता नहि भेल एक डलरके कम्पनीसँ जहाज खरिदक सम्झौता कएलगेल ।’
सांसद सिंह ई दुनु जहाज सम्झौता अनुसारक तौलके सेहो नहि रहल उल्ले कएलन्हि । ‘खरिद सम्झौतामे २४२ टनके जहज खरिद कएल जाएत कहलगेल अछि । मुदा जहाज २३० टनके मात्र आएल,’ सिंह आक्रोशित स्वरमे कहलन्हि,‘एकटा जहाजके १२ टन घटलासँ कमसँकम ५० यात्री रखबाक क्षमता घटल अछि,’ ओ कहलन्हि,‘जहाज खरिदके टेण्डर करैतकाल तीन महिनामे जहाज चाही कहलगेल । कमिशनके लेल एक हजार घण्टा चलल जहाज चाही कहलगेल । मुदा जहाज नयाँ आएल अछि ।’
सिंह दुनु जहाज आउटडेटेड सिरिजके रहल दावा कएलन्हि । ‘दुनु जहाज आउटडेटेड सिरिजके आनलगेल अछि । आउटडेटेड जहाज लाबएलेल ६ अर्बसँ अधक खर्च नहि भेल अछि, मुदा हिसाब ११ अर्बसँ अधिकके देखाओलगेल अछि,’ ओ कहलन्हि,‘आउटडेटेड जहाज लाबि कऽ अर्बो भ्रष्टाचार भेल अछि ।’

Read More »

एसएमजीसहित एक गोटे गिरफ्तार

जनकपुरधाम पुस १८ गते ।प्रहरी आधुनिक हथियार एमएमजी बन्दुकसहित एक गोटेके सिरहासँ नियन्त्रणमे लेलक अछि । धनगढी नगरपालिका–११ छपराडीक ४६ वर्षीय चतुर नारायण चौधरी प्रहरी एमएमजी बन्दुकसहित पकराएल प्रहरी जनओलक अछि ।चौधरीकेँ प्रदेश प्रहरी कार्यालय, संघीय प्रहरी कार्यालय जनकपुर आ जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहाक संयुक्त टोली विशेष सूचनाक आधार पर नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
प्रहरीके संयुक्त टोली सवारी चेकजाँचक क्रममे पश्चिमसँ पूर्वतर्फ जा रहल अवस्थामे पूर्वपश्चिम राजमार्गक गोलबजार नगरपालिका–४ सँ चौधरीकेँ नियन्त्रणमे लेलगेल प्रहरी जनओलक अछि ।
स ५ प ३७४१ नम्बरक मोटरसाइकल पर सवार चौधरीके साथसँ झोरामे रहल अवस्थामे एसएमजी बन्दुक एकटा, म्याग्जिन दुटा, स्वतन्त्र तराई निर्माण सेना केन्द्रीय ब्युरो लिखल पर्चासहितक समान बरामद भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहाक डीएसपी माधवराज खरेल जानकारी देलन्हि ।
चौधरीके हिरसातमे राखि कऽ हाथहथियार खरखजाना ऐन अन्तर्गत आवश्यक अनुसन्धान चल रहल प्रहरी जनओलक अछि ।

Read More »

नयाँ वर्षमे भारतीय पर्यटकके भीडभाड

जनकपुरधाम पुस १८ गते । नयाँ वर्ष २०१९ मनाबएलेल जनकपुरमे भारतीय पर्यटकसभकेँ भीडभाड देखलगेल अछि । विगत किछु वर्षसँ नयाँ वर्ष मनाबएलेल भारतीय पर्यटकसभक बीच जनकपुर लोकप्रिय गन्तव्य बनैत आएल अछि ।
विगतके वर्षजँका एहुबेर पैघ संख्यामे भारतीय पर्यटक नयाँ वर्ष मनाबएलेल जनकपुर पहुँचल छल । विशेष कऽ जानकी मन्दिर, राम मन्दिरसहितक क्षेत्रमे भारतीय पर्यटकसभक अधिक भीडभाड देखलगेल छल ।
नयाँ वर्षक पहिल दिन जानकी मन्दिर आ राम मन्दिरमे पूजाअर्चना करबालेल पैघ संख्यामे भारतीय पर्यटकके भीडभाड देखलगेल । एहिके संगहि एतुका होटल आ रेस्टुराँसभमे सेहो भारतीय पर्यटकके दिनभरि भीड लागल छल । नयाँ वर्षक अवसर पर अधिकांश भारतक विहार राज्यसँ पर्यटकसभ जनकपुर आएल करैत अछि ।
भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी आ पछिलाबेर उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री योगी आदित्यनाथ भ्रमण कएलाक बाद जनकपुर पहुँचएबला भारतीय पर्यटकसभक संख्यामे उल्लेय वृद्धि भेल स्थानीय व्यवसायीसभ बतबैत छथि । एहिसँ पहिने सेहो नयाँ वर्षक अवसर पर भारतीय पर्यटकसभ जनकपुर अओलाक बादो मोदी आ योगीके भ्रमणके बाद एहि संख्यामे वृद्धि भेल स्थानीय एक होटल व्यवसायीके कहब अछि ।
नयाँ वर्ष मनाबएलेल एकदिन पहिने सेहो भारतीय पर्यटकसभ जनकपुर पहुँचल छल होटल व्यवसायीसभ बतबैत छथि । एकदिन पहिने पहुँचएबलासभमे अधिकांश युव पुस्ता रहल एक होटल व्यवसायी जनओलन्हि ।
भारतक विहार सरकार मदिरा सेवन आ बिक्रि वितरण पर प्रतिबन्ध लगओलाक बाद नयाँ वर्ष मनाबएलेल ओतुका युव पुस्ताके लेल जनकपुर आकर्षण गन्तव्य बनल अछि । मदिरा प्रतिबन्धित भेलाक बाद सीमावर्ती क्षेत्रके संगहि विहारक विभिन्न स्थानसँ आबएबला पर्यटकसभसँ नयाँ वर्षमे होटलसभमे भीडभाड देखलगेल ।
नयाँ वर्ष मनाबएलेल विहारक दरभंगा, सीतामढी, मधुबनी, मुजफ्फरपुरसहितक स्थानसँ भारतीय पर्यटक जनकपुर पहुँचल छलथि । जानकी आ राम मन्दिरमे पूजाअर्चना कऽ नयाँ वर्ष मनाबएलेल जनकपुर पहुँचल दरभंगासँ आएल सुमन मिश्र बतओलन्हि ।
विहारसँ जनकपुर पहुँचएबल ओसभ धनुषाक जटह आ महोत्तरीक जलेश्वर नाका प्रयोग कएल करैत छथि । नयाँ वर्ष मनाबएलेल पैघ संख्यामे गाडी लऽ कऽ भारतीय पर्यटक जनकपुर पहुँचल जटहीस्थित भन्सार कार्यालय जनओने अछि ।

Read More »

राजपाक आन्तरिक विवादक कारणेँ प्रदेशसभा बैठक अवरुद्ध

जनकपुरधाम पुस १८ गते । लम्बा समयसँ प्रदेश २ क प्रदेशसभा बैठक ठप्प अछि । अगहन १९ गतेबाद अवरुद्ध भेल सदनके कारबाही करिब १ महिना पहुँचए जा रहला बादो शुरु नहि भऽ सकल अछि । अनिश्चितकालक लेल स्थगित प्रदेशसभाके बैठक अवरुद्ध भेला बाद प्रदेश सरकारके बनाबएबला महत्वपुर्ण कानुनसभ नहि बनि सकल अछि । संघीय समाजवादी फोेरम आ राजपाके संयुक्त सरकार रहल प्रदेश २ मे राजपा भितरके आन्तरिक विवादक कारण प्रदेशसभाके बैठक नहि बसि सकल श्रोत जनओलक अछि ।
राजपा अध्यक्षमण्डक संयोजक महन्थ ठाकुरकेँ पदसँ हटा कऽ राजेन्द्र महतोकेँ अध्यक्ष बनओने कहैत राजपा भितरके आन्तरिक विवाद उत्कर्षमे पहुँचला बाद प्रदेशसभा बैठक नहि बसि सकल राजपाक एक सांसद बतओलन्हि ।
तहिना धनुषामे राजपाक देवकृष्ण मण्डलकेँ अध्यक्षमण्डलके सदस्यसँस् हटा कऽ ज्ञानेन्द्र झाकेँ अध्यक्ष मण्डलमे रखला बाद किछु दिन एम्हर राजपा भितरके आन्तरिक विवाद चरमउत्कर्षमे पहुँचल अछि । किछु दिन आगा प्रदेश २ क सचेतक परमेश्वर साहके नेतृत्वमे अध्यक्षमण्डलक संयोजक राजेन्द्र महतोके पुतला सेहो दहन कएलगेल छल । ‘पार्टीके आन्तरिक विवादसँ प्रदेशसभाके बैठक नहि बसि सकल अछि, आब पार्टीके विवाद साम्य भेलाबाद मात्र बैठक होएत’, सत्तारुढ राजपाक एक सांसद कहलन्हि ।
बजेट अधिवेशनके बाद सुरु भेल प्रदेश २ क दोस्रो अधिवेशन अन्त करबालेल कतेको सांसदसभ सरकारकेँ सुझाव सेहो देने अछि । कार्यव्यवस्था परामर्श समितिके बैठकमे सेहो कतेको सदस्यसभ सदनमे प्रस्तुत करबालेल विधेयक नहि रहलासँ अधिवेशन अन्तके घोषणा करबालेल सरकारकेँ सुझाव दऽ चुकल बताओलगेल अछि ।
एम्हर मन्त्रीसभ जिल्लामुखी भऽ कऽ प्रदेशके पेट्रोल आ भत्तामुखी रहलाक कारण प्रदेशसभा बैठक नहि बसि सकल नेकपा सांसद रामचन्द्र मण्डल आरोप लगओलन्हि । ओ कहलन्हि, ‘ जेना धनुषा आ महोत्तरीमे बजेटमे विभेद कएलगेल अछि । ओही प्रकारसँ मनमौजी रुपेँ सत्तापक्षके जहिया मन होइत अछि बैठक बजबैत अछि आ जहिया मन होइत अछि स्थगित करैत अछि याह परिपाटीके कारण प्रदेशसभा बैठक महिनो धरि स्थगित होइत अछि ।’

Read More »

विदा भऽ रहल २०१८ क किछु महत्वपूर्ण घटना

जनकपुरधाम पुस १७ गते । सन् २०१८ बहुतरास कारणसँ स्मरणीय वर्ष रहल । वर्षभरि विश्वके चकित करएबला घटनासभ होइत आएल । किम–ट्रम्प वार्ता, अमेरिका–चीन व्यापार युद्धसहित घटना विश्वके चकित कएलक । राजनीतिक प्रवृत्तिक हिसाबसँ एहि वर्षमे अधिक नयाँपन नहि देखलगेल । किछु वर्षसँ जारी दक्षिणपन्थीक लहर चलैत रहल ।
इटली, ब्राजिलमे दक्षिणपन्थीके उदय भेल । थाइल्यान्डमे १७ दिन गुफाभितर फसल १२ युवाक साहसिक उद्धार स्मरणीय घटना रहल । अमेरिकाक मध्यावधि निर्वाचनमे निचका सदनमे डेमोक्य्राटक पकड रहल तऽ उपरका सदन सिनेटमे रिपब्लिकनक । पछिला किछुदिन महँगीसहितक विषयमे फ्रान्समे पियर भेस्ट पहिरने प्रदर्शनकारी सडक गरमओलक ।
युरोपेली संघसँ बहरएबाक बेलायतक योजना एखनो जकथक अछि । प्रधानमन्त्री टेरिजा मे संकटमे छथि । राजकुमार ह्यारी अभिनेत्री मेगन मार्कलसँ विवाह कएने छथि, जे बेलायतक शाही परिवारक पहिल अश्वेत सदस्य बनल छथि । भारतमे पाँच राज्यमे भेल विधानसभा निर्वाचनमे सत्तारुढ भाजपा आ प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके धक्का लागल अछि । एहिसँ ओ अपराजेय रहल भ्रम समाप्त भेल अछि । एहि वर्षक विश्वकप फुटबलमे फ्रान्स विजयी भेल अछि । एहिबाहेक सन् २०१८ क किछु आओर महत्वपूर्ण घटना एहि प्रकारेँ रहल ।
मानवीय संकट
एहि वर्ष यमनक युद्धके पैघ चर्चा भेल । ओतह युद्ध शुरु भेला चारि वर्ष बित चुकल अछि । एखन ओतह संसारके सभसँ पैघ मानवीय संकट उत्पन्न हएबाक चेतावनी विज्ञसभ दऽ रहल छथि । लडाइमे करिब १५ हजार यमनी मारलगेल अछि तऽ भुखमरीसँ करिब ६० हजारके मृत्यु भऽ गेल अछि । लाखौ बालबालिका कुपोषणग्रस्त अछि । ओकरासभक शरीर आ दिमागक विकासमे अवरोध उत्पन्न भेल अछि । इरानक समर्थन कहलगेल हुथी विद्रोहीक कब्जामे रहल देशक अधिकांश भूभाग अछि । अमेरिकाक समर्थनमे साउदी अरब नेतृत्वक गठबन्धन यमनमे नाकाबन्दी आ बमवर्षा करैत आबि रहल अछि । जकर नतिजास्वरुप हडुडी आ चमरामात्र रहल अनगिनित धियापुताक तस्बिर सामाजिक सञ्जाल आ अन्तर्राष्ट्रिय सञ्चारमाध्यममे सार्वजनिक होइत आएल अछि ।
त्हिना राष्ट्रपति निकोलस मदुरोक सत्तामे रहबाक महत्वाकांक्षा आ व्यवस्थापकीय अक्षमताके कारण भेनेजुएलामे सेहो संकट बढैत गेल अछि । मदुरो मे महिनामे पुनः निर्वाचित भेलथि । करिब २३ लाख आदमी देश छोडिचुकल अछि । आर्थिक संकटके संगहि मुद्रास्फीति व्यापक अछि ।
जलवायु परिवर्तनके खतरा
पृथ्वीक जलवायु परिवर्तन भऽ रहल अछि । एकर प्रमुख कारण अछि, आदमी । वैज्ञानिकसभ एहि विषयमे दशकोसँ चेतावनी दैत आबि रहल छथि । राष्ट्रसंघीय निकाय आईपीसी अक्टोबरमे जारी कएने एक चेतावनी अनुसार करिब १२ वर्षधरि यह्या प्रक्रिया जारी रहल तऽ फेरसँ घुरबाक विन्दु समाप्त भऽ जाएत । एहि वर्ष शक्तिशाली आँधी आएल, जंगलके आगि फैलल, तापक्रम एखनि धरिके उच्च रहल ।
डब्लुडब्लुएफ हालहि एक प्रतिवेदन जारी कएने अछि । जाहिअनुसार आदमीके कारण १९७० के बाद जीवजन्तु ७० प्रतिशत मरल अछि । समुद्रमे सेहो प्लास्टिक प्रदुषण होबए लागल अछि । नोभेम्वरमे इन्डोनेसियामे मृत भेटल एक ह्वेलक पेटमे करिब ६ किलोग्राम प्लास्टिक भेटल छल । एहि सभ तथ्यके देखैत मानवीय गतिविधिके कारण वातावरणीय क्षति बढि रहल अछि ।
इथियोपिया आ इरिट्रियाबीच शान्ति सम्झौता
इथियोपिया आ इरिट्रिया १२ वर्ष युद्ध कएलक । युद्ध सन् २००० मे समाप्त भेल । करिब ८० हजारके मृत्यु भेल । मुदा दुनु देशबीच औपचापरिक सम्झौता नहि भऽ सकल छल । ओहि कारण इथियोपियाक नवनिर्वाचित प्रधानमन्त्री अबिय अहमद जुन महिनामे ओ इरिट्रियासँ शान्ति सम्झौता करबालेल तैयार रहल बतओलाक बाद सभ चकित भेल छल ।
जुलाई महिनामे ओ इरिट्रिया गेलथि आ सम्झौता भेल । इरिट्रियाक राष्ट्रपति इसाया अफेर्की आ अहमद सम्झौता पर हस्ताक्षर कएलन्हि । ओहिके बादसँ शान्ति प्रयास मूर्तरुप लैत आबि रहल अछि ।
विश्वव्यापी ‘मी टु’ आन्दोलन
एक दशक पहिने बिजारोपण कएलगेल ‘मी टु’ आन्दोलन गत वर्ष अमेरिकामे तहलका मचओने छल । हलिउड निर्माता हार्भी वाइन्सिटन दर्जनौं महिलाकेँ यौन दुव्र्यवहार कएने आरोप लगलाक बाद एहि आन्दोलनके चर्चा शुरु भेल ।
सन् २०१८ मे ई विश्वभरि फैलल अछि । दशौ हजार अपन पीडा सामाजिक सञ्जाल आ सञ्चारमाध्यममे व्यक्त कएने अछि । स्पेन, इटली, फ्रान्स, अरब, भारतसहितक क्षेत्रमे ओतहिके भाषामे ‘मी टु’ अर्थ देबएबला ह्यासट्याग प्रचलित भेल अछि ।
इन्टरनेटमे ‘मी टु’ सम्बन्धी सर्च उच्च अछि । सन् २०१८ के नोबेल शान्ति पुरस्कार सेहो यौन हिंसा अन्त्यके लेल सक्रिय कंगोका डाक्टर डेनिस मुक्वेगे आ याजिदी महिला नादिया मुरादकेँ प्रदान कएलगेल ।
चीन, भारत होइत ई आन्दोलन नेपालधरि पहुँचल अछि । किछु महिला काठमाण्डुक पूर्वमेयर केशव स्थापितकेँ अनुचित व्यवहार कएने आरोप लगओलन्हि । त्रिभुवन विश्वविद्यालयक प्राध्यापक दुव्र्यवहार कएने दुटा विद्यार्थीके आरोप अछि ।
‘मी टु’ विश्वव्यापी बनैत गेल अवस्थामे एकर दीर्घकालीन प्रभाव केहन रहत ? की एहिसँ लम्बा समयके बादो यौन उत्पीडन, लैंगिक विभेद अन्त करबामे सहयोग करत ? एहि विषयमे बहस चलि रहल अछि ।
जमाल खसोग्गीक हत्या
अक्टोबर २ मे टर्कीक इस्तानबुलस्थित साउदी महावाणिज्यदूतावासमे पत्रकार जमाल खसोग्गीक हत्या भेल । साउदी अरबसँ आएल १५ गुप्तचरके टोली हुनकर हत्या कएलगेल शरीरकेँ टुक्राटुक्रा कऽ नष्ट कएने छल । एहि वर्ष अधिक चर्चामे रहल विभिन्न घटनासभमेसँ खसोग्गीक हत्या महत्वपूर्ण रहल ।
टर्की लगातार साउदी उपर हत्याक जिम्मेवारी लेबएलेल दबाब दैत रहल । करिब दु सप्ताह झुठ बजलाकबाद साउदी अरब हत्या भेल स्वीकार करबालेल बाध्य भेल । मुदा, पश्चिमके शक्तिराष्ट्र मजबुत अडान नहि लऽ सकलाक कारण खसोग्गी हत्या ओहिना सेराएके सम्भावना देखलगेल अछि ।
अमेरिकी गुप्तचर एजेन्सी सीआईए सेहो हत्यामे साउदी युवाराज मोहम्मद बिन सलमान सहभागी रहल निष्कर्ष निकाललाक बादो राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प साउदीसँगक सम्बन्धमे कोनो असर नहि परत बतओने छथि ।
एहिसँ पहिने ओ साउदीसँग एक सय अर्ब डलरके हथियार बिक्री करबाक सम्झौता कऽ चुकल छथि । ई घटना विश्वभरिके पत्रकार तथा अभिव्यक्ति स्वतन्त्रताक पक्षधरसभ खतरामे रहल देखओने अछि । ओहि कारण एहि वर्ष टाइम म्यागजिन खसोग्गी आ मारलगेल अन्य पत्रकारकेँ वर्षव्यक्ति घोषित कएने अछि ।
सिरियामे असदके पकड
अप्रिल १४ मे सिरियाली सेना सरकारविरोधी सभ शक्तिकेँ पूर्वी गुटासँ भगओने घोषणा कएलक । दमास्क नजदिक रहल ओहि स्थानमे दु महिनाधरि भीषण लडाइ चलल छल । जाहिमे १७ सय आदमी मारलगेल छल । सन् २०११ के विद्रोहबाद फसर सिरियामे पुनः बसर अल असदके सरकार हाबी होइत गेल ।
इस्लामिक स्टेटसहित आतंकवादी संगठन पराजित होइगतेल अछि तऽ रुस अपन उपस्थितिके मजबुत बनओने अछि । टर्की, रुस, अमेरिका नेतृत्वक पश्चिमके गठबन्धन आदिके स्वार्थमे विभक्त अछि, सिरिया । किछु समय पहिने असद रसायनिक आक्रमण कएने दावा पश्चिमी देशसभ कएने छल । अमेरिका, बेलायत आ फ्रान्स सरकारी निशानामे हवाई आक्रमण सेहो कएलक ।
पाकिस्तानक कप्तान खान
पाकिस्तानक राजनीतिमे सन् २०१८ महत्वपूर्ण वर्ष रहल । लम्बा समय राजनीतिमे रहल नवाज सरिफक पतन भेल तऽ क्रिकेटमे सन्यास लेलाकबाद राजनीतिमे आएल इमरान खान प्रधानमन्त्री बनलथि । सरिफके अदालत भ्रष्टाचारी ठहर करैत चुनाव लडबालेल अयोग्य घोषणा करबाक संगहि खान पाकिस्तानी राजनीतिके नायक बनल छथि । ओ पाकिस्तानक २२ अम प्रधानमन्त्री बनलथि, मुदा हुनक आगु चुनौतीके पहाड सेहो कम नहि अछि ।
सैनिक अधिनायकत्व, आतंकवाद, भ्रष्टाचारसहित घरेलु समस्यासँ जुझि रहल अछि पाकिस्तान । ओहि बाहेक भारत, चीन आ अमेरिकासँगक सम्बन्ध सेहो ओतुका सरकारक प्रदर्शनके प्रभावित कऽ सकैत अछि । पाकिस्तान शीतयुद्धकालीन समयसँ भूरणनीतिक दावपेचक केन्द्रमे रहैत आएल अछि । पाकिस्तान आतंकवादसँ साँठगाँठ करैत आबि रहल भारत आरोप लगबैत आबि रहल अछि ।
अमेरिकामे ट्रम्पक उदयके संगहि पाकिस्तानके दैत आबि रहल सहयोग रोकि देने अछि । चीन पाकिस्तानमे पैघ रकम लगानी कएने अछि । मुदा देशभितर आ बाहरके शक्ति पाकिस्तानके बेरबेर ऋणक झमेलामे परत चेतावनी दैत आबि रहल अछि । देशक अर्थतन्त्र संकटमे अछि । विदेशी मुद्रा सञ्चिति घटलाक कारण खान संकटमे छथि । ओ हालहि साउदी अरब आ चीन भ्रमण कऽ सहयोगक याचना कएने छथि । मुदा हुनकर सोचल जँका नहि भऽ सकल अछि । आगामी किछु वर्षक प्रदर्शनसँ ६५ वर्षीय खान पाकिस्तानी राजनीतिके शिखरमे रहताह या नहि, देखबामे आओत ।
चारिम कार्यकालमे पुटिन
ई वर्ष रुसी राष्ट्रपति भ्लादिमिर पुटिनके लेल लाभदायी रहल । ओ चारिम कार्यकालकेलेल राष्ट्रपतिमे सहजि विजयी भेलाह । सन् २००० मे पहिलबेर राष्ट्रपति बनल ओ रुसके पुनः शक्तिराष्ट्रके रुपमे स्थापित करबामे सफल भेल छथि । ओहि कारण एहि वर्ष ओ ७६.७ प्रतिशत मत प्राप्त कऽ विजयी भेलथि । एहिके संगहि ओ स्टालिनके बाद रुसमे सभसँ लम्बा शासन करएबला व्यक्ति बनल छथि ।
भूराजनीतिक दावपेच आ घरेलु राजनीतिमे ओ सफल देखलगेल छथि । सिरियामे रुसके उपस्थिति मजबुत बना कऽ ओ नेटो गठबन्धनके चुनौती देने छथि क्रिमिया विलयके बाद हुनकर छविमे आओर सुधार आएल अछि । हुनकर एकहि चिन्ताके विषय अछि अर्थतन्त्र ।
प्यालेस्टाइनक निराशा
मार्च ३० मे गाजा स्ट्रिपमे ६ सप्ताह लम्बा प्रदर्शनके आयोजना कएलगेल छल । अमेरिका तेल अभिभसँ दूतावास जेरुसुलम लऽ जएबाक निर्णयके विरोधमे आन्दोलन चलि रहल छल । मुदा इजरायल निर्दयतापूर्वक प्रदर्शनकारी उपर गोलीके वर्षा कएलक ।
३० मार्चसँ १५ मे धरि कमसँ कम १ सय १० आदमीके मृत्यु भेल । १३ हजारसँ अधिक प्यालेस्टाइनी घायल भेल । १४ सयसँ अधिकके गोली लागल । एतेक पैघ प्रदर्शनमे एकटामात्र इजरायली सैनिक समान्य घायल भेल । राष्ट्रसंघक महासभामे इजरायली बलप्रयोगके भत्र्सना भेल । अमेरिका इजरायलक प्रतिरक्षामे छोट देशसभकेँ सहयोग रोकबाक धम्की सेहो देने छल ।

Read More »

पत्रकार उपर अपशब्द प्रयोग कएने मन्त्री साहके स्वीकारोक्ति

जनकपुरधाम पुस १७ गते । अपन पदीय मर्यादाकेँ ख्याल नहि कऽ देशक चारिम अंगके रुपेँ रहल पत्रकारकेँ जुत्तासँ मारए पडत कहि निकृष्ट अभिव्यक्ति देन्हिार प्रदेश २ क सामाजिक विकास मन्त्री नवलकिशोर साह अपन गल्ती स्वीकार कएलन्हि अछि । राजपा नेपालसँ मन्त्री बनल साह पत्रकारकेँ जुत्तासँ मारए पडत कहि देने अभिव्यक्तिप्रति गल्ती स्वीकार कएला बादो माफी नहि माँगि कऽ उन्टे पत्रकारकेँ धम्की देने छथि ।
रविनि गृहजिल्ला सप्तरी पहूँचल मन्त्री साहकेँ स्थानीय पत्रकार प्रदेश २ क राजधानीमे घर रहल किछु प्रदेश सांसद घरभाडा लेने विषयमे जिज्ञासा रखला बाद मन्त्री साह पत्रकारकेँ जुत्तासँ मारए पडत कहि निकृष्ट अभिव्यक्ति देने छलथि । मन्त्री साहके अभिव्यक्ति बाद व्यापक आलोचना होबए लगला बाद ओ सोमदिन एक प्रेश विज्ञप्ती जारी करैत गल्ती स्वीकार कएलन्हि अछि । मुदा माफी सेहो नहि माँगि कऽ उन्टे पत्रकारकेँ घुमौवा शैलीमे धम्की देलन्हि अछि ।
मन्त्री साह जारी कएने विज्ञप्तिमे कहलगेल अछि “पत्रकारकेँ हमर अपशब्दके प्रयोगसँ संचारकर्मी मित्रसभ तथा संचारमाध्यमसभके मर्यादामे ठेंस पहूँचलाक कारणेँ हम अपन शब्द जहिनाके तहिना फिर्ता लैत छी ।”
विज्ञप्तीमे उल्लेख अछि ‘हमर मनसाय कोनो संचारकर्मी मित्र तथा संचार माध्यमके भावनामे ठेंस पहुँचाबएके नहि रहल स्पष्ट करए चाहैत छी ।’ सँगहि आब उपरान्त सञ्चारकर्मी मित्रसभ सेहो किनको चरित्रहत्या होबएके किसीमक तथा भागवनामे ठेंस पहुँचाबएजँका समाचार सम्प्रेशन नहि करबालेल आग्रह कएलन्हि अछि । अतेक बात उल्लेख कऽ कऽ पत्रकारकेँ उपदेश देला बादो मन्त्री साह ‘पत्रकारकेँ जुत्तासँ मारए पडत ’ घोर आपत्तिजनक शब्द उच्चारण कएलापर एक शब्दमे सेहो माफी माँगए नहि चाहैत छथि ।

Read More »
1 8 9 10 11 12 35