admin

विराटनगर प्रदेश १ क राजधानी

विराटनगर वैशाख २४ गते ।प्रदेश १ के स्थायी राजधानी विराटनगर तय कएलगेल अछि । प्रदेशसभाक सोमदिन सम्त्र बैठक मोरङके औद्योगिक नगरी विराटनगरकेँ प्रदेशक स्थायी राजधानी बनएबाक प्रस्ताव सर्वसम्मतसँ पास कएलक अछि ।
९३ सदस्यीय प्रदेशसभामे ६ गोटे अनुपस्थित छलथि तऽ ८६ सदस्य प्रस्तावक पक्षमे मतदान कएलन्हि । विपक्षमे कोनो मत नहि परल छल । विपक्षी नेपाली कांग्रेस सेहो अपन प्रस्ताव फिर्ता लऽ कऽ नेकपाक प्रस्ताव पर समर्थन जनओलक ।
प्रदेशसभामे धनकुटाकेँ प्रदेश राजधानी बनएबाक सहित चारिटा प्रस्ताव दर्ता भेल छल । मुदा, सत्तारुढ नेकपाक बुद्धिकुमार राजभण्डारीक प्रस्तावकेँ समर्थन करैत सभगोटे प्रस्ताव फिर्ता लेने छलथि ।
प्रदेश १ स्थायी राजधानी विराटनगर रहलाक बादो कार्यपालिका आ व्यवस्थापिकक लेल बनएबला नयाँ संरचना सुनसरीक इटहरी, सुन्दरहरैंचा आ विराटनगर आपसपास क्षेत्रमे बनएबाक प्रस्ताव कैफियतमे उल्लेख अछि ।
सभ कार्यालय विराटनगरमे रखबाक माँग करैत सोमदिन विराटनगरमे हड्ताल सेहो भेल छल । मुख्यमन्त्री शेरधन राई माँग सम्बोधन करबाक आश्वासन देलाकबाद हड्ताल फिर्ता भेल छल । प्रदेशसभा सदस्य केदार कार्की कार्यपालिका तथा व्यवस्थापिकाक नयाँ संरचना एकहि स्थानमे बनए चाही बतओलन्हि । मुदा प्रदेशक नाम तय नहि भेल अछि । नाम तय नहि कऽ सोमदिनसँ प्रदेश अधिवेशन अन्त भेल अछि ।

Read More »

‘सिंहदरबार कब्जा करबाक हैसियत अछि’

जनकपुरधाम वैशाख २४ गते ।प्रदेश २ क मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत हुनकर पार्टीलँग सिंहदरबाक कब्जा करबाक हैसियत रहल बतओलन्हि अछि ।
नयाँ शक्ति पार्टी आ संघीय समाजवादी फोरमक औपचारिक एकता घोषणा सभाकेँ सम्बोधन करैत पार्टी नेतृत्व सक्षम आ बैद्धिक रहलाक कारण सिंहदरबार कब्जा करबामे अपनासभकेँ कोनो कठिनाइ नहि रहल राउत बतओलन्हि ।
पहिने क्षेत्रीय पार्टी कहि कऽ उपेक्षित कएलगेलाक बादो एखन हिमाल, पहाड, तराई चारुतर्फ फैलल आ आगामी दिनमे एक नम्बर पार्टी बनत ओ दावा कएलन्हि । कांग्रेस आ नेकपा दलसभ समावेशी नहि रहल आरोप लगबैत हुनकासभ जँका बौद्धिक नेतासभ अन्य पार्टीमे अछि तऽ देखाबएलेल चुनौती देलन्हि ।
एखन संघीयता, सुशासन आ लोकतान्त्रिक व्यवस्थाकेँ आगु बढाबएमे एखन पैघ दलसभक तर्फसँ समस्या आबि रहल कहैत ओ संघीयता स्थापित कराबएलेल मुख्यमन्त्रीके रुपमे ओ लडि रहल बतओलन्हि ।

Read More »

एसईई प्रश्नपत्र आउट कएन्हिार जेल चलान

जनकपुरधाम वैशाख २४ गते ।माध्यमिक शिक्षा परीक्षा (एसईई) क प्रश्नपत्र परीक्षासँ पहिने आउट कएन्हिार अभियुक्तसभ जेल चलान भेल अछि । प्रश्नपत्र आउट करबाक कार्यमे संलग्न रहल आरोपमे पकराएलेल दुनु प्रहरी जवानकेँ जिल्ला अदालत सिरहा पूर्पक्षके लेल कारागार पठओलक अछि । अदालतक न्यायाधीश गायत्रीप्रसाद रेग्मीक एकल इजलास प्रश्नपत्र आउट करबाक कार्यमे संलग्न रहल आरोपमे पकराएल प्रहरी जवानद्वय ब्रम्हदेव यादव आ दीपेन्द्र मण्डलके पूर्पक्षके लेल करागार पठओलक अछि ।प्रहरी जवान यादव आ मण्डल इलाका प्रहरी कार्यालय कल्याणपुर सिरहामे कार्यरत छल । प्रश्नपत्र सार्वजनिक करबाक आरोपमे पकराएल सप्तरी राजविराज नगरपालिका–१० क विष्णुदेव यादव आ आरोजकुमार यादवकेँ जनही १ लाख ५० हजार धरौटीमे रिहा करबाक आदेश अदालत देलक अछि ।
तहिना राजविराज नगरपालिका–१६ क शिक्षक मनोज यादव, सप्तरी हनुमानगर कंकालिनी नगरपालिका–१ क १७ वर्षीय राजेश यादव आ ओहि स्थानक १७ वर्षीय उमेश यादव आ ताराकान्त इसरकेँ १÷१ लाख धरौटीमे रिहा करबाक आदेश देलगेल अछि ।
प्रहरी केन्द्रीय अनुसन्धान ब्यूरो (सिआईबी) क प्रहरी नायब महानिरीक्षक नीरजबहादुर शाही नेतृत्वक टोली चैत १४ गते विज्ञान आ १५ गतेक सामाजिक विषयक प्रश्नपत्र जवानद्वय यादव आ मण्डलमार्फत परीक्षासँ पहिने सार्वजनिक भेल कहैत दुनुगोटेके नियन्त्रणमे लेने छल ।
इलाका प्रहरी कार्यालय कल्याणपुरमे राखलगेल स्थानसँ फोटो खिच कऽ ब्रम्हदेव इमोमार्फत अपन भैया विष्णुदेव यादवकेँ पठओने अनुसन्धानसँ खुजल छल । भाइ ब्रम्हदेव पठओने प्रश्नपत्र विष्णुदेव सामाजिक सञ्जालमार्फत शिक्षक मनोजके पठओने छल । ओहिके बाद उमेश होइत अन्य व्यक्तिधरि प्रश्नपत्र पहुँचल छल ।

Read More »

जनकपुरधाम उपमहानगरक नगरसभा बहिष्कार

जनकपुरधाम वैशाख २४ गते ।जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक तेसर नगरसभा वार्डअध्यक्ष आ वार्ड सदस्यसभ बहिष्कार कएलन्हि अछि । चालू आर्थिक वर्षक आयव्यय आ आगामी आर्थिक वर्षक योजना तथा कार्यक्रम पारित कराबएलेल उपमहानगरपालिका सोमदिन बजओने नगरसभा वार्डअध्यक्ष तथा सदस्यसभ बहिष्कार कएलन्हि अछि ।नगरसभामे जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक मेयर लालकिशोर साह मनमानी करैत तानाशाही प्रवृत्ति देखओेने आरोप लगबैत ८ टा वार्डअध्यक्ष तथा ४५ सँ अधिक वार्ड सदस्यसभ बहिष्कार कएलन्हि अछि ।
उपमहानगरपालिका आगामी वर्षसँ करारमे कर्मचारी भर्ना करबाक प्रस्तवाके विरोध करैत वार्डअध्यक्ष तथा सदस्यसभ नगरसभा हलसँ बाहर निकलि कऽ बहिष्कार कएने छलथि । एहिके संगहि चालू आर्थिक वर्षक विभित्र शीर्षसभके देखाओलगेल खर्चप्रति सेहो ओसभ असन्तुष्टि व्यक्त कएलन्हि अछि ।
करारमे कर्मचारी भर्ना करबालेल संघीय सरकार एहिसँ पहिने रोक लगा चुकल अवस्थामे कानूनविपरित करारमे कर्मचारी भर्ना करबाक प्रस्ताव नगरसभामे आनलगेल ओसभ बतओलन्हि अछि । कानूनविपरित भऽ रहल काजके विरोध कएला पर विरोध नहि कएल जा सकैत अछि अपनासभक आवाज बन्द करबाक प्रयास कएलगेल हुनकासभक आरोप छन्हि । नगरसभाक निर्णय पर ओसभ ‘नोट अफ डिसेन्ट’ लिखए चाहलाक बादो मेयर लिखए नहि देने असन्तुष्ट वार्डअध्यक्षसभक दावा अछि ।
‘संघीय सरकार करारमे कर्मचारी भर्ना नहि करबालेल निर्णय कऽ चुकल अछि,’ वार्ड नम्बर ९ क वार्डअध्यक्ष परमेश्वर साह कहलन्हि,‘करिब डेढ सय करार कर्मचारी भर्ना करबाक बात कएलगेल अछि । गैरकानुनी कार्यप्रति हमसभ असहमति व्यक्त कएलौँह । मुदा हमरासभकेँ ‘नोट अफ डिसेन्ट’ नहि लिखए देलगेल ।’
असहमति व्यक्त करबाक लोकतान्त्रिक अधिकार रहलाक बादो एतह मनमानी कएलगेल वार्ड नम्बर १५ क वार्डअध्यक्ष अशोक चौधरी बतओलन्हि । ‘करारमे कर्मचारी भर्ना कएलगेल तऽ भविष्यमे अख्तियार छानबिन कएलक तऽ ओकर भागिदार हमसभ कियाक बनब,’ चौधरी कहलन्हि ।
करारमे कर्मचारी भर्ना करबालेल नगरसभामे आनलगेल प्रस्तावविरुद्ध ओसभ प्रमुख जिल्ला अधिकारीकेँ लिखित जानकारी करएबाक संगहि अदालतधरि जएबाक चेतावनी देलन्हि अछि ।
एहिके बाहेक नगरसभामे प्रस्तुत कएलगेल व्ययप्रति सेहो ओसभ विरोध जनओलन्हि अछि । कतेको शीर्षकमे खर्च नहि भेलाक बादो आयव्ययके विवरणमे समावेश कएलगेल ओसभ दावा कएलन्हि अछि ।
एहिबीच नगरसभा बहिष्कार कएने वार्डअध्यक्ष तथा वार्ड सदस्यसभ जनकपुरमे विरोध प्रदर्शन सेहो कएलन्हि अछि । स्थानीय गोपालधर्मशालामे जम्मा भेल ओसभ मेयरविरुद्ध कडा नाराबाजी करैत जुलुस प्रदर्शन कएने छलथि ।
नगरसभा चलि रहल समय वार्ड सदस्यस लोहनामे
उपमहानगरपालिकाक सभाहलमे तेसर नगरसभा चलि रहल समय विभित्र वार्डक सदस्यसभ वार्ड नम्बर २५ मे जम्मा भेल छलथि । नगरसभा बहिष्कार कएने ४० सँ अधिक वार्ड सदस्यसभ लोहनामे एकहिठाम जम्मा भऽ कऽ बैसल छलथि । अपनासभकेँ जानकारी नहि करा कऽ योजना तथा कार्यक्रमसभ समावेश कएलगेल कहैत नगरसभा बहिष्कार कएने ओसभ बतओलन्हि । ‘योजनाक विषयमे हमरासभकेँ किछु जानकारी नहि कराओल जाइत अछि,’ राजपासँ निर्वाचित वार्ड सदस्य अमर मण्डल कहलन्हि,‘जानकारीए नहि रहल योजनासभक साक्षी हमसभ कियाक बनब ? एहि कारण हमसभ नगरसभा बहिष्कार कएलौंह अछि ।’ स्थानीय तहक नियम उल्लंघन करैत हैकम लादि कऽ नगरसभा कएलगेल मण्डलक दावा छल ।
वार्ड सदस्य सञ्जु दास गंगासागर आ धनुषसागर पोखरि सरसफाइके नाम पर ५० लाख रुपैयाँ निकासा कएलगेल, मच्छरमुक्त करबाक नाम पर १ करोड निकासा कएलगेल एहि प्रकारक बातके वैधानिकता देबएलेल आयोजना कएलगेल नगरसभामे उपस्थित नहि भेल बतओलीह ।
नगरसभा बहिष्कार करएबला वार्डअध्यक्षसभमे वार्ड नम्बर २ क शिवकुमार साह, वार्ड नम्बर ५ क मनोज साह, वार्ड नम्बर ९ क परमेश्वर साह, वार्ड नम्बर १० क मिथिलेश कर्ण, वार्ड नम्बर १२ क शत्रुध्न यादव, वार्ड नम्बर १५ क अशोक चौधरी आ वार्ड नम्बर २५ क उमेश यादव छथि । तहिना विभित्र वार्डक ४० सँ अधिक वार्ड सदस्यसभ नगरसभा बहिष्कार कएने छथि । वार्डअध्यक्ष आ वार्ड सदस्यसहित कूल १३० गोटे नगरसभा सदस्य उपमहानगरपालिकामे छथि । उपमहानगरपालिकाक परिषद्के निर्णय पारित करएबालेल ५१ प्रतिशत बहुमत आवश्यक अछि ।
मेयर कहैत छथि– कोरम पहुँचल अछि
एम्हर वार्डअध्यक्ष तथा वार्ड सदस्यसभ नगरसभा बहिष्कार कएने विषयमे मेयर लालकिशोर साह अनभिज्ञता प्रकट कएलन्हि अछि । नगरसभामे वार्डअध्यक्ष आ वार्ड सदस्यसभ असन्तुष्ट रहल विषयमे हुनका कोनो जानकारी नहि रहल ओ बतओलन्हि अछि । सभाहल पूर्ण रुपेँ भरल अवस्थामे रहल समय कोरमके विषयमे प्रश्न उठएबाक कोनो तुक नहि रहल हुनकर कहब छलन्हि । किछु वार्डअध्यक्ष तथा वार्ड सदस्यसभ सम्बन्धीतसभक विवाहदानमे व्यस्त रहलाक कारण नगरसभामे उपस्थित नहि भऽ सकल ओ दावा कएलन्हि ।

Read More »

फोरम आ नयाँ शक्तिबीच एकता घोषणा

जनकपुरधाम वैशाख २४ गते । उपेन्द्र यादव नेतृत्वक संघीय समाजवादी फोरम नेपाल आ बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक नयाँ शक्ति पार्टी नेपालबीच एकताक घोषणा भेल अछि ।
सोमदिन राजधानीमे आयोजित एक विशेष समारोहमार्फत दुनु पार्टीबीच एकतासम्बन्धी समझदारी आदानप्रदान करैत एकताक घोषणा कएलगेल । एकतासम्बन्धी समझदारीपत्रमे नयाँ शक्तिक तर्फसँ बाबुराम भट्टराई आ फोरमक तर्फसँ अध्यक्ष उपेन्द्र यादव हस्ताक्षर कएलन्हि । एकता समारोहमे दुनु पार्टीक नेता तथा कार्यकर्तासँ हल भरल छल । एकीकृत पार्टीक नाम समाजवादी पार्टी नेपाल राखलगेल अछि ।
सहमतिक पहिल नम्बरमे संघीयता आ समाजवादके सिद्धान्तमे स्थापित फोरम आ प्रगतिशील लोकतान्त्रिक शक्तिके रुपमे स्थापित नयाँ शक्तिबीच पार्टी एकीकरण कऽ समाजवादी पार्टी नेपाल स्थापना कएलगेल उल्लेख कएलगेल अछि ।
एकताक आधारपत्रमे नेपालक राष्ट्रिय स्वाधीनता, लोकतन्त्र आ सामाजिक न्यायके लेल भेल सभ जनआन्दोलन, जनयुद्ध, मधेश विद्रोह तथा पहिचान आ अधिकारक लेल भेल आन्दोलनमे जीवन उत्सर्ग कएने शहीदप्रति श्रद्धाञ्जली अर्पण करैत वेपत्ता, घायल आ शहीद परिवारप्रति उच्च सम्मान प्रकट कएलगेल अछि ।
समाजवादी पार्टीक राजनीतिक कार्यदिशा संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्रकेँ संस्थागत करैत प्राप्त उपलब्धिकेँ रक्षा आ विकास करबाक रहल समझदारी पत्रमे उल्लेख अछि ।
तहिना एकीकृत पार्टी फोरम अबलम्बन करैत आएल संघीय समाजवाद आ नयाँ शक्ति अबलम्बन करैत आएल समुत्रत समाजवादके आधार पर समुत्रत संघीय समाजवादक सिद्धान्त आगु बढाओलगेल अछि ।
एकीकृत पार्टी सैद्धान्तिक वैचारिक मान्यताक आधारमे राजनीतिक क्षेत्रमे जनताक सार्वभौमिकता, नागरिक स्वतन्त्रता, बहुलतायुक्त खुला समाज, वालिग मताधिकार, आवधिक निर्वाचन, विधिके शासन, प्रतिस्पर्धात्मक बहुदलीय व्यवस्थासहितक मूल्य मान्यतासभकेँ आत्मसात करत ।
तहिना दुनु पार्टी संघीय राज्य बनाबएलेल प्रतिवद्ध रहल आ ओहिके लेल संविधासभाद्धारा गठीत उच्चस्तरीय राज्य पुनर्संरचना सुझाव आयोगक प्रतिवेदनके आधार पर संविधान संशोधन कऽ ११ प्रदेशसभक रचना करबा पर जोड देने अछि ।
एकीकरण घोषणाके संगहि फोरम आ नयाँ शक्ति दुुनु विधिव रुपेँ विघटन भेल अछि । नयाँ पार्टी समाजवादी पार्टी नेपाल निर्वाचन आयोगमे दर्ता कराओल जाएत । एहि एकीकरणक संगहि नेपालमे नयाँ वैकल्पिक शक्तिके उदय भेल सहमतिपत्रमे दावा कएलगेल अछि ।
संघीय परिषद्के घोषणा
दुनु पार्टीबीचक एकताके बाद बनल समाजवादी पार्टी नेपाल संघीय परिषदके घोषणा कएलक अछि । संघीय परिषदके अध्यक्षमे बाबुराम भट्टराई आ कार्यसमिति अध्यक्षमे उपेन्द्र यादव आ सहअध्यक्षमे राजेन्द्र श्रेष्ठ छथि ।
बरिष्ठ नेतामे अशोक राई छथि तऽ ८ टा उपाध्यक्ष राखलगेल अछि । उपाध्यक्षसभमे नवराज सुवेदी, पर्शुराम खापुङ, युवराज कार्की, रेणु यादव, हिसिला यमी, लालबाबु राउत आ हेमराज राई छथि । तहिना महासचिवमे गंगानारायण श्रेष्ठ, रनध्वज कन्दङ्वा, रामसहाय यादव छथि । तहिना उपमहासचिवमे डम्बर खतिवडा, दानबहादु विश्वकर्मा आ प्रकाश अधिकारी छथि । तहिना सचिवमे इस्तियाक राईन, दुर्गा सोम, प्रशुराम बस्नेत आ प्रशान्त सिंह छथि । कोषाध्यक्षमे विजय यादव छथि ।

Read More »

लोकतन्त्रके लेल संघसँ वार्डधरि कांग्रेसक कार्यक्रम

काठमाण्डु वैशाख २३ गते ।नेपाली कांग्रेस केन्द्रीय नीति, अनुसन्धान तथा प्रशिक्षण प्रतिष्ठान पार्टीक घोषित राष्ट्रिय जागरण कार्यक्रमकेँ सफल करबालेल आ सहयोगके लेल प्रतिष्ठान समन्वयात्मक रुपेँ सञ्चालन करबाक निर्णय कएलक अछि ।
उपसभापति एवं प्रतिष्ठानक प्रमुख विमलेन्द्र निधिक सभापतित्वमे सम्पत्र बैठक संघीय संसदमे रहल पार्टीक सांसदसभक लेल संवाद आ प्रशिक्षण कार्यक्रम आयोजना करबाक निर्णय कएलक अछि ।
तहिना महाधिवेशन प्रतिनिधिके प्रदेशस्तरीय प्रशिक्षण कार्यक्रम देशक सातु प्रदेशमे करबाक, सातु प्रदेशक पार्टीक प्रदेशसभा सदस्यके लेल प्रदेशस्तरीय संवाद आ प्रशिक्षण कार्यक्रम, कांग्रेससँ विजयी गामपालिका आ उपाध्यक्षसभक राष्ट्रिय जमघट आ प्रशिक्षण कार्यक्रम काठमाण्डुमे करबाक निर्णय कएलक अछि ।
तहिना पार्टीक भातृ एवं शुभेच्छुक संघसंस्थाक प्रशिक्षण कार्यक्रम, विदेशस्थित जनसम्पर्क समितिमे आवद्धसभकेँ सहो प्रशिक्षण कार्यक्रम कएल जाएत कांग्रेस जनओलक अछि । संघ, प्रदेश, जिल्ला, पालिका आ वार्डस्तरमे लोकतन्त्रके लेल ‘कांग्रेस मेला’ आयोजना करबाक निर्णय सेहो कांग्रेस कएलक अछि । तहिना नेपाली कांग्रेसमे नयाँ पुस्ताक आकर्षण बढाबएलेल १३ वर्षसँ १८ वर्षक विद्यार्थीके लेल आ १९ वर्षसँ २८ वर्षधरिके उमेर समूहक लेल विशेष कार्यक्रम तर्जुमा कऽ सञ्चालन कएल जाएत प्रतिष्ठान जनओलक अछि ।

Read More »

मधेश आन्दोलनकारी छात्रवृत्ति समन्वय समिति गठन

जनकपुरधाम वैशाख २३ गते ।मधेश आन्दोलनक शहीद आ घायलसभक धियापुताके छात्रवृत्ति उपलब्ध करएबाक उद्देश्यसँ मधेश आन्दोलनकारी छात्रवृत्ति समन्वय समिति गठन कएलगेल अछि । २०६३ सालक मधेश आन्दोलनक नेतृत्वकर्ता समूहक रविदिन जनकपुरमे सम्पत्र जमघट समन्वय समिति गठन कएलक अछि ।मधेश आन्दोलनक जग पर देशमे संघीय व्यवस्था स्थापना भेलाक बादो शहीद तथा घायल परिवारक धियापुताके पढाइ लिखाइमे समस्या उत्पत्र भऽ रहल कहैत समिति गठन कएलगेल आन्दोलनक नेतृत्वकर्ता समूहक अरुण झा जानकारी देलन्हि । झाक अनुसार समन्वय समितिक सिफारिसमे वास्तविक आर्थिक अवस्था कमजोर रहल आन्दोलनकारीके छात्रवृत्ति प्रदान करबालेल निजी विद्यालयक संगठन एन प्याबसन, प्याबसन आ एम प्याबसन सहमत भेल अछि ।
आन्दोलनमे सक्रिय भूमिका निर्वाह करैत शहीद एवं घायल भेल आन्दोलनकारीक धियापुताके पढाइ लिखाइसँ बञ्चित नहि होबए देबएलेल एहि प्रकारक पहल कएलगेल ओ जानकारी देलन्हि ।

Read More »

मुआब्जाक माँग करैत उपमहानगरपालिकाविरुद्ध आन्दोलनक चेतावनी

जनकपुरधाम वैशाख २३ गते ।सडक विस्तारक क्रममे जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका अन्याय कएने कहैत गौ संरक्षण मञ्च आन्दोलनक चेतावनी देलक अछि । सडक विस्तारके लेल अधिग्रहण कएलगेल जमीनक उचित मुआब्जाके माँग करैत मञ्च आन्दोलन करबाक चेतावनी देलक अछि ।
रविदिन पत्रकार सम्मेलनक आयोजना कऽ मञ्चक अध्यक्ष जगदीश महासेठ बिना मुआब्जा सर्वसाधारण जनताक जमीन अधिग्रहण कऽ उपमहानगरपालिका अन्याय कएने बतओलन्हि अछि । बिना मुआब्जा जमीन अधिग्रहण नहि करबालेल सर्वोच्च अदालत आदेश दऽ चुकल स्मरण करैत महासेठ उपमहानगरपालिका जनकपुरक जनतासँग अन्याय कएने आरोप लगओलन्हि ।
तहिना सडक विस्तारक क्रममे तोडफोड कएलगेल भौतिक संरचनाक क्षतिपूर्ति उपलब्ध करएबालेल सेहो गौ संरक्षण मञ्च उपमहानगरपालिकासँ माँग कएलक अछि । सडक विस्तारक क्रममे जनकपुरवासीके लाखौं मूल्य बराबरके भौतिक संरचना तोडफोड भेल अछि बतबैत मञ्चक अध्यक्ष महासेठ क्षतिपूर्ति उपलब्ध करएबालेल उपमहानगरपालिकासँ माँग कएलन्हि ।
तहिना अधिग्रहण कएलगेल जमीनक लगतकट्टा करबालेल सेहो मञ्च माँग कएलक अछि । सडक विस्तारक क्रममे जमीन अधिग्रहण भऽ गेलाक बादो लगतकट्टा नहि भेल अवस्थामे विगते जँका जमीन कर बुझाबए परि रहल कहैत मञ्च लगतकट्टा करबालेल सम्बन्धीत निकायकेँ ध्यानाकर्षण करओलक अछि ।
सर्वसाधारण नागरिकक अधिकारसँ जुडल माँगसभ लऽ कऽ ज्ञापनपत्र बुझएबालेल नगर प्रमुखसँ समय मँगलाक बादो समय नहि देलाक कारण हुलाकमार्फत ज्ञापनपत्र पठओने मञ्चक अध्यक्ष महासेठ जानकारी देलन्हि । मञ्चद्धारा उठाओलगेल माँग यथाशीघ्र सम्बोधन नहि कएलगेल तऽ सशक्त आन्दोलन करबाक संगहि अदालतमे मुद्दा देबाक ओ चेतावनी देलन्हि अछि ।

Read More »

निरंकुश बनि रहल नेपाकक नेतृत्व !

काठमाण्डु वैशाख २३ गते ।शनिदिन भेल सत्तारुढ नेकपा संसदीय दलक बैठकभितरके माहौल अन्य दिनसँ फरक छल । विषय छल ‘हम्मर सरकार ’ । राष्ट्रपति शुक्रदिन संसदमे पेश कएने नीति तथा कार्यक्रममे समावेश शब्दावलीके कराण सरकारक आलोचना भऽ रहल समय एहि विषयके सत्तारुढ नेकपाक संसदीय दलक बैठकमे सेहो पैघ आलोचना भेल अछि ।
गत वर्ष सेहो नेकपाक सांसदसभकेँ सरकारक विषयमे नहि बाजएलेल ओली आ प्रचण्ड निर्देशन देने रहथि । ओहाय परिस्थिति नेकपामे एखन फेर दोहराएल अछि ।
राष्ट्रपति नीति तथा कार्यक्रम प्रस्तुक करबाक क्रममे ‘हम्मर’ सरकार शब्दावली उल्लेख कएने कहैत चौतर्फी विरोध भऽ रहल अछि । ओहि शब्दावलीके लऽ कऽ सत्तारुढ दलक सांसदसभ सेहो विरोध कएलन्हि अछि ।
पछिला वर्ष सरकार पेश कएने नीति तथा कार्यक्रम आ बजेटक विषयमे सत्तारुढ दलक दोसर अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्डसहित अन्य शीर्ष नेतासभ पैघ विरोध कएने रहथि । विरोधके कारण छल पार्टीमे समन्वयबिना कार्यक्रम पेश कएलगेल छल ।
मुदा एखन दृश्य फरक अछि । नीति तथा कार्यक्रम संसदमे प्रस्तुत हएबासँ पूर्व दोसर अध्यक्ष प्रचण्डके सेहो अध्ययनके मौका भेटल छल । ओहि बाहेक सचिवालयक अन्य शीर्ष नेतासभसँ सेहो प्रधानमन्त्री सुझाव मँगने रहथि ।
सचिवालयक एक नेताके अनुसार बैठकमे देलगेल सुझाव किछु मात्रामे समावेश कएलगेल अछि । एहि अर्थमे सत्तारुढ दलक सांसदसभक असन्तुष्टि नीति तथा कार्यक्रमसँ अधिक भाषामे अछि ।
मुदा एखनि सेहो सत्तारुढ दलक सांसदसभसँ प्रधामन्त्रीके आलोचना भेल । बैठकमे सहभागी एक सांसदके अनुसार एहिसँ पहिने तय भेलअनुसार शनिदिनके बैठक दोहरा छलफलके लेल बजाओलगेल छल नहि की प्रधानमन्त्री, दोसर अध्यक्ष प्रचण्ड आ अन्य नेताक एकतर्फाक भाषण सुनएलेल ।
बैठकमे संसदीय दलक उपनेता सवास नेम्वाङ सरकारक नीति तथा कार्यक्रम निक रहल कहैत समर्थन करबालेल ह्पि जारी कएलन्हि । ओ २४ गते नीति तथा कार्यक्रम पास करबामे सहयोग करबालेल आ २६ गते बैसएबला दलक बैठकमे अपन धारणा रखबालेल कहलाक बाद किछु सांसद विरोध कएलन्हि । ओहि समय बैठक हलमे होहल्ला शुरु भेल । ओहि समयधरि प्रधानमन्त्री बैठकमे उपस्थित नहि छलथि ।
सांसदसभ विरोध कएलाक बाद मञ्च पर रहल अध्यक्ष प्रचण्ड सांसदसभकेँ बाजए देबाक संकेत कएलाक बाद सांसद सुरेन्द्र पाण्डे, जनार्दन शर्मा, रामकुमारी झाँक्रीसहितक सांसदसभ राष्ट्रपति ‘हमर सरकार’ शब्दावली प्रयोग कएने कहैत आपत्ति जनओलन्हि । ओसभ एहि विषयमे नेतृत्वके प्रष्ट करबालेल अडान रखलन्हि । ओतेकमात्र नहि सांसदसभ सरकारक नीति तथा कार्यक्रमक विषयमे प्रश्न नहि करएदेलगेल कहैत पैघ असन्तुष्टि सेहो जनओलन्हि । दुटा नेताक निर्देशन आ ह्पिमात्र स्वीकार्य नहि रहल कहैत प्रधानमन्त्रीके उपस्थितिमे जिज्ञासा राखए देबाक माँग कएलन्हि ।
सांसद शर्मा राष्ट्रपतिके विवादमे लएबाक काज कियाक भेल कहैत प्रश्न कएलन्हि । ओ कहलन्हि,‘जाहि भाषाके प्रयोग कऽ राष्ट्रपतिकेँ विवादमे आनलगेल, कोन मनसायसँ आएल छल प्रष्ट हएबाक चाही ।’
सांसद झाँक्री दलके बैठकमे अपन बात नहि राखए दऽ कऽ सभ बातमे समर्थन करबालेल ह्वीप जारी नहि कएल जा सकैत अछि तर्क रखलीह । ‘दलके बैठकमे बात नहि राखए देब आ जबरजस्ती समर्थन करबालेल ह्वीप जारी करब किमार्थ नहि भऽ सकैत अछि,’ भाँकी बतओने छलथि । ओ राष्ट्रपति प्रयोग कएने भाषा स्पष्ट करबालेल आग्रही कएलीह । ‘हम्मर सरकार’ शब्दावली कोन उद्देश्यसँ प्रयोग कएलगेल स्पष्ट करबाले हुनकर माँग छलन्हि ।
सांसद पाण्डे छलफल नहि कएल जा सकैत अछि तऽ बैठक कियाक बजाओलगेल कहैत प्रश्न कएलन्हि ।
सांसदसभक आलोचना सुनलाक बाद सम्बोधन कएने अध्यक्ष प्रचण्ड सांसदसभ उठओने विषय जायज रहल कहैत गत वर्षक नीति तथा कार्यक्रममे भेल कमजोरी सुधार कऽ एहिबेर कार्यक्रम आनलगेल बतओने छलथि ।
बैठकमे सहभागी एक सांसदके अनुसार अध्यक्ष प्रचण्ड बजबाक क्रममे ओ नीति तथा कार्यक्रम अध्ययन करैतकाल ‘हम्मर सरकार’ उल्लेख नहि छल बतओलाक बाद सांसदसभसँग विवादे भेल छल । बैठकमे प्रचण्ड कहने रहथि,‘अन्य विषयमे छलफल भेल छल । हम्मर सरकार हम पढने नीति तथा कार्यक्रममे नहि छल । हमरा एहि विषयमे जानकारी नहि भेल । बादमे कतहसँ प्रवेश भेल ।’ अध्यक्ष प्रचण्ड जानकारी नहि रहल कहलाक बाद सांसदसभ आओर असन्तुष्ट बनल छलथि ।
ओहिके बाद बैठक हलमे आएल प्रधानमन्त्री ओली सरकारक नीति तथा कार्यक्रमकेँ समर्थन करबालेल कहने रहथि । प्रधानमन्त्रीक कहब उदृत करैत एक सांसद कहलन्हि,‘ककरो आँगुर देखएबाक जगह नहि अछि । राष्ट्रपति हम्मर सरकार कहब अन्तर्राष्ट्रिय प्रचलन अछि । एहिपर अधिक बहस आवश्यक नहि छैक ।’
ओहिके बाद सांसदसभकें नेतृत्वक कार्यशैलीप्रति असन्तुष्टि बढल एक सांसद बतओलन्हि अछि । ओ कहलन्हि,‘नेतृत्वक कार्यशैली निरंकुश जँका भेल । पछिला वर्ष सेहो हमरासभक बोली पर लगाम लगाओलगेल । एखन सेहो ओहिना अछि ।’
सांसद झाँक्री नेतृत्वक हुकुमी शैली ठीक नहि रहल बताओलीह अछि । तानाशाही नेतृत्व भेलाक बाद छलफल सम्भव नहि अछि हुनकर कहब छलन्हि । प्रधानमन्त्री कम्बोडिया गेलाक बाद बैठक बजा कऽ छलफल होएत कहलगेल झाँक्री बतओलीह अछि ।

Read More »

फोरम आ नयाँ शक्तिबीच आई एकताक घोषणा

जनकपुरधाम वैशाख २३ गते ।संघीय समाजवादी फोरम नेपाल आ नयाँ शक्ति नेपालबीच आई एकताक घोषणा होबए जा रहल अछि । शनिदिन दुनु दलबीचक विमर्शमे पार्टी एकीकरण करबाक विषयमे अन्तिम निष्कर्ष निकलल अछि । पार्टी एकीकरण करबाक सहमति भेलाक बादो एकताक औपचारिक घोषणा आई होबए जा रहल अछि ।
दुनु दल एकीकरणके बाद बनएबला पार्टीके नाम समाजवादी पार्टी नेपाल रखबा पर सहमत भेल अछि । मुदा दुनु दलबीच सहमति भेल ई नाम निर्वाचन आयोगमे पहिनेसँ दर्ता रहल फोरम नेपालक नेता पर्शराम बस्नेत जानकारी देलन्हि ।
निर्वाचन आयोगमे ई नाम पहिनेसँ दर्ता रहलाक कारण कोन नाम राखल जाए एहि विषयमे छलफल चलि रहल बताबैत सहमतिअनुसार समाजवादी पार्टी तऽ रहबे करत मुदा नेपाल कतह राखल जाए छलफल चलि रहल अछि ।
दुनु पार्टीबीच विमर्श कऽ शनिदिन कएकलगेल एकीकरणक सहमतिके नयाँ शक्ति नेपालक सचिवायल बैठक अनुमोदन कएलक अछि । तहिना फोरम नेपालक केन्द्रीय समितिक बैठक सेहो सहमतिक निर्णयके अनुमोदन कएने अछि ।
एकीकरण भऽ कऽ बनएबला नयाँ पार्टीमे दुटा अध्यक्ष रखबाक सहमति भेल अछि । पार्टीक सर्वोच्च निकाय संघीय परिषद्के अध्यक्षता डा.बाबुराम भट्टराई करताह तऽ केन्द्रीय कार्यकारी समितिक अध्यक्षता उपेन्द्र यादव करताह । फोरमके १६ आ नयाँ शक्तिक ९ सहित २५ टा पदाधिकारी रखबाक दुनु दलबीच सहमति भेल अछि । तहिना संघीय परिषद्मे १ हजार सदस्य आ केन्द्रीय समितिमे ४ सय २९ सदस्य रखबाक सहमति भेल जनाओलगेल अछि । संघीय समितिमे फोरमसँ ६ सय आ नयाँ शक्तिसँ ४ सय सदस्य रहताह ।
भट्टराई पूर्वप्रधानमन्त्री रहलाक कारण हुनका पहिल मर्याक्रम आ यादव उपप्रधानमन्त्री रहलाक कारण दोसर मर्यादाक्रममे राखलगेल अछि । तहिना तेसरमे अशोक राई आ चारिम मर्यादाक्रममे राजेन्द्र श्रेष्ठके राखलगेल अछि ।
सरकार छोडबाक फोरमक प्रतिवद्धता
दुनु दल मिल कऽ समाजवादी पार्टी नेपाल गठन हएबाक संगहि फोरमके सरकारसँ बहराएके दिनगन्ती शुरु भेल अछि । एकीकरणके लेल नयाँ शक्ति पार्टी सरकार छोडबाक पहिल शर्त रखलाक बाद फोरम नेपालक सरकार छोडबाक दिनगन्ती शुरु भेल छैक ।
शनिदिन भेल सहमतिअनुसार संविधान संशोधनके लेल संसदके ई चालु अधिवेशनधरि फोरम नेपाल प्रतिक्षा करत आ ओहि अवधिमे सेहो संविधान संशोधन नहि भेल तऽ सरकारसँ बहराएके प्रतिवद्धता जनओने अछि ।
संविधान संशोधनके लेल एकीकृत पार्टीसँ सरकारउपर दबाब देबाक, लिखित अल्टिमेट देबाक मुदा संविधान संशोधन नहि भेल तऽ सरकार छोडबाक बैठकमे फोरम अध्यक्ष यादव प्रतिवद्धता व्यक्त कएने नायँ शक्ति पार्टीक सहप्रवक्ता प्रशान्त सिंह बतओलन्हि ।
फोरम नेपालकेँ सरकार छोडबामे कोनो समस्या नहि अछि । मुदा ओकरा एकहिटा चिन्ता अछि–ओ अछि राजपा नेपाल । फोरम नेपाल सरकार छोडिते ओतह राजपा तऽ नहि जाएत की भय फोरम नेपालके अछि ।
कियाक तऽ राजपा नेपाल सेहो सरकारमे सहभागी होबएलेल तैयार छल । फोरमसँ पैघ पाटी रहला कारण सेहो सरकारमे सहभागी हएबाक अधिकार राजपाके अछि । ओ जगह खाली होइते राजपा नेपाल नेकपासँ सम्झौता कऽ सरकारमे सहभागी होएत स्रोतसभक दावा अछि ।
फोरम नेपाल सरकार छोडलाक बाद ओकर प्रदेश २ मे सेहो परत । प्रदेश २ सरकारक नेतृत्व फोरम नेपाल कऽ रहल अछि । आ, राजपा सहयोग कएने अछि ।
फोरम नेपाल संघीय सरकार छोडलाक बाद प्रदेश २ क सरकारक समीकरण सेहो परिवर्तन होएत बताओलगेल अछि । संघीय सरकारमे सहभागी भेलाक बाद राजपा नेपाल प्रदेश २ मे नेकपाकेँ सहयोग कऽ सकैत अछि विश्लेषकसभक कहब अछि ।

Read More »
1 6 7 8 9 10 127