admin

स्थानीय तहक कर्मचारीक आन्दोलन जारी

जनकपुरधाम पुस ०५ गते ।सरकार जारी कएने कर्मचारी समायोजन अध्यादेशके विरोध करैत प्रदेश २ सहित देशभरिके स्थानीय तहक कर्मचारीसभक आन्दोलन तेसरदिन बुधदिन सेहो जारी रहल ।
पेशागत स्थायीत्वके लेल कर्मचारी समायोजनमे सभ सेवा आ समूहबीच समान व्यवाहार नहि रहल कहैत स्थानीय तहक कर्मचारी आन्दोलनमे उतरल अछि । आन्दोलनरत स्थानीय तहक कर्मचारीसभ अपन पूर्व घोषित कार्यक्रम अनुसार बुधदिन भिन्सर १० बजेसँ २ बजेधरि कारीपट्टी बान्हि कऽ कार्यालयमे धर्ना पर बैसल छलथि । कर्मचारीसभक धर्नाके कारण कार्यालयक कामकाज पूर्ण रुपेँ प्रभावित भेल छल ।
समायोजन अध्यादेशक विरोध करैत स्थानीय तह ट्रेड युनियन संयुक्त आन्दोलन परिचालन समितिक अगुवाइमे आन्दोलनमे उतरल स्थानीय तहक कर्मचारीसभ विरोधक चरणवद्ध कार्यक्रम सेहो घोषणा कएने अछि ।
संघर्ष समिति वृहस्पतिदिन बेरिया ३ बजेधरि कामकाज ठप्प करबाक विरोधक कार्यक्रम घोषणा कएने अछि । एहि अवधिमे सेहो माँगक सम्बोधन नहि भेल अवस्थामे पुष ६ गतेसँ सम्पूर्ण स्थानीय तहक कार्यालयमे कारीपट्टी बान्हि कऽ दिनभरि कामकाज ठप्प करबाक चेतावनी संघर्ष समिति देने अछि ।
एहिबीच शुक्रदिन प्रदेश २ क सम्पूर्ण स्थानीय तहमे कार्यरत कर्मचारीसभक बैठक जनकपुरमे होबए जा रहल अछि । जारी आन्दोलनक समीक्षा आ आगामी रणनीति तय करबालेल बैठक आह्वान कएलगेल स्थानीय तह कर्मचारी संघ प्रदेश २ क अध्यक्ष विजय यादव जानकारी देलन्हि अछि ।
संघर्ष समिति श्रेणी विहीन कर्मचारीकेँ २ ग्रेड बढएबाक, सहायकस्तरके सम्पूर्ण तहक ५ वर्षसँ कम सेवा अवधि रहल कर्मचारीकेँ २ ग्रेड बढएबाक, पाँच वर्ष सेवा अवधि पुरा भऽ चुकलकेँ एक तहवृद्धि, ५ वर्ष पुरा भऽ चुकल सहायक पाँचम तहके अधिकृत छठममे पदोन्नती सहितक माँग आगु बढओने अछि । सरकार अगहन २३ गते कर्मचारी समायोजन अध्यादेश २०७५ जारी कएने छल ।

Read More »

जाढक कारण जनजीवन कष्टकर

जनकपुरधाम पुस ०५ गते ।विगत दु दिनसँ अचानक बढल जाढक कारण जनकपुरसहित मध्य तराईक जनजीवन कष्टकर बनल अछि । जनकपुरसहित एहि क्षेत्रमे तापक्रम घटैतगेलाक बाद जाढमे वृद्धि भेल अछि । अगहन महिनाक अन्तधरि जाढक खास प्रभाव नहि रहलाक बादो पुष १ गतेसँ तराईमे अचानक जाढ बढल अछि ।
अत्याधिक जाढक कारण मुख्य रुपेँ बालबालिका, वृद्धवृद्धा, विपन्न परिवारमे अधिक समस्या देखलगेल अछि । तहिना जाढक कारण बजार क्षेत्रमे सेहो चहलपहलमे कमी देखल जा रहल अछि । मध्य तराईमे विगत दु दिनसँ धुनि आ कुहासामे वृद्धि भेल अछि । जाढ बढलाक बाद बालबालिका तथा वृद्धवृद्धासभमे निमोनिया आ सर्दी खोकी संक्रमण हएबाक संभावना रहलाक कारण गर्म कपडा प्रयोग करबालेल चिकित्सकसभ सल्लाह दैत छथि ।
पछिला वर्ष मध्य पुषमे जाढ बढलाक बादो एहि वर्ष शुरुवातमे प्रभाव देखलगेल अछि । गत वर्ष जनकपुरक न्यूनतम तापक्रम ५ डिग्री सेल्सिएसधरि पहुँचल छल ।

Read More »

हथियारसहित दु गोटे गिरफ्तार

जनकपुरधाम पुस ०५ गते । प्रहरी धनुषा आ सिरहासँ दु गोटेके हथियारसहित नियन्त्रणमे लेलक अछि । प्रहरी धनुषाक हंसपुर नगरपालिका–७ क बचन कहन्हिार ३१ वर्षीय बेचन मण्डल आ सिरहाक सखुवानन्कारकट्टी–१ क २७ वर्षीय रविन्द्रकुमार मण्डलके हथियारसहित नियन्त्रणमे लेने अछि ।
बेचनकेँ प्रहरी मदिरा सेवन कऽ रहल अवस्थामे मदिरा दोकानसँ गिरफ्तार कएने छल । हंसपुर नगरपालिका–५ सुगानिकासस्थित मदिरा दोकानमे मदिरा सेवन कऽ रहल अवस्थामे चेकजाँचक क्रममे बेचनके सँगसँ ९ एमएमके एकटा पेस्तोल, प्रयोग भेल म्याग्जिन आ म्याग्जिनमे लोड कएलगेल ६ राउण्ड गोली प्रहरी बरामद कएने छल ।
तहिना चोरी मुद्दाक फरार अभियुक्त सेहो रहल रविन्द्रकेँ विशेष सूचनाके आधार पर सखुवानन्कारपट्टी गामापालिका–१ लतियाइस्थित मौवाही मिर्जापुर भित्री सडक खण्डसँ नियन्त्रणमे लेलगेल प्रदेश प्रहरी कार्यालय जनओलक अछि । रविन्द्रके सँगसँ खाली अवस्थामे रहल एकटा कटुवा पेस्तोल बरामद भेल प्रदेश प्रहरी कार्यालयक प्रवक्ता डीएसपी दानबहादुर थापा जानकारी देलन्हि । गिरफ्तार दुनु गोटेके हिरासतमे राखि कऽ आवश्यक अनुसन्धान भऽ रहल प्रहरी जनओलक अछि ।

Read More »

जानकी मेडिकल कलेजक सम्बन्धन खारिज करबाक माँग

जनकपुरधाम पुस ०५ गते । जनकपुरस्थित जानकी मेडिकल कलेज फेर एकबेर विवादमे आएल अछि । व्यवस्थापकीय कमजोरीके कारण धाराशायी बनैतगेल जनकपुरक एकमात्र मेडिकल कलेज जानकी मेडिकल कलेज प्रवेश परीक्षाबिना विद्यार्थी भर्ना कएलाकबाद विवादमे आएल छैक ।
कलेजद्धारा देखाओलगेल चरम लापारवाहीविरुद्ध चिकित्सा शिक्षाक अभियन्ता डा.गोविन्द केसी जानकी मेडिकल कलेजक सम्बन्धन खारिज करबाक माँग कएलन्हि अछि । कलेज एमबीबीएस कार्यक्रममे प्रवेश परीक्षे नहि देने विद्यार्थीसभकेँ भर्ना कएने कहैत केसी सम्बन्धन खारिज करबाक माँग कएलन्हि अछि ।
डा.केसी भर्ना प्रक्रियामे अदालत सेहो चलखेल कऽ रहल कहैत विज्ञप्ती जारी कऽ ध्यानाकर्षण करओलन्हि अछि । ‘प्रवेश परीक्षाबिना कलेजद्धारा कएलगेल भर्ना रोकबालेल उच्च अदालत पाटन अन्तरिम आदेश दऽ चुकल अवस्थामे सर्वोच्च अदालत ओहि भर्नाके वैध बनएबातर्फ लागल अछि । आ, एहिप्रति हमरासभक गम्भीर ध्यानाकर्षण भेल अछि,’ डा.केसीद्धारा जारी विज्ञप्तीमे उल्लेख अछि ।
एमबीबीएस अध्ययन करबालेल आईओइएम सञ्चालन कएने प्रवेश परीक्षा उतीर्ण हएबाक प्रावधान रहलाक बादो जानकी मेडिकल कलेज ३४ टा भारतीय विद्यार्थीकेँ प्रवेश परीक्षा नहि लऽ भर्ना कएने बुझबामे आएल अछि ।
प्रक्रियाविपरित भर्ना कएलगेल ओहि विद्यार्थीसभकेँ वृहस्पतिदिनसँ शुरु होबएबला परीक्षामे सहभागी हएबासँ आइओइएम वञ्चित कएलाकबाद ई रहस्य सार्वजनिक भेल अछि । भारतीय विद्यार्थीसभ मोट रकम दऽ कऽ कलेजमे नामाङ्कन कएने बताओलगेल अछि ।

Read More »

पूर्वप्रधानमन्त्री डा. तुलसी गिरीको निधन

३ पुस, काठमाडौं । पूर्वप्रधानमन्त्री एवं वरिष्ठ राजनीतिज्ञ डा. तुलसी गिरीको मंगलबार बिहान निधन भएको छ ।आफ्नै निवास बूढानीलकण्ठ भिल्लामा ९३ वर्षीय गिरीको निधन भएको पारिवारिक स्रोतले जानकारी दियो ।राजाको प्रत्यक्ष शासनका बेला मन्त्रिपरिषदको उपाध्यक्ष बनेका गिरी लामो समयदेखि कलेजोसम्बन्धी रोगबाट पीडित थिए ।कलेजोमा क्यान्सर रोग लागेका उनी यसअघि करिब १० दिनसम्म भैंसेपाटीस्थित मेडिसिटी अस्पतालमा भर्ना भएका थिए । अस्पतालबाट घरमा ल्याइएको अवस्थामा मंगलबार बिहानै उनको देहान्त भएको हो ।राजा महेन्द्रले ०१७ सालमा पञ्चायनी व्यवस्था स्थापना गर्नुपूर्व नेपाली कांग्रेसका नेता रहेका गिरी त्यसपछि हार्डलाइनर पञ्चका रुपमा चिनिन्थे । महेन्द्रलाई साथ दिएका गिरी राजा वीरेन्द्रले ३६ सालमा जनमत संग्रह घोषणा गर्दा वैचारिक असहमति जनाउँदै श्रीलंकातिर लागेका थिए ।०६१ सालमा ज्ञानेन्द्रले सत्ता हातमा लिएपछि उनी पुनः नेपाल फर्के र मन्त्रिपरिषदको उपाध्यक्ष बनेर ज्ञानेन्द्रलाई साथ दिए । राजतन्त्र ढलेपछि भने उनी नेपालमै बसेका थिए ।बरिष्ठ राजनीतिज्ञ गिरी आफ्नो जीवनकालभरि अविचलितरुपमा राजतन्त्रका पक्षधर रहे ।गिरीका श्रीमती, २ छोरा र २ छोरी छन् ।पारिवारिक स्रोतका अनुसार गिरीको पार्थिव शरीर श्रद्धाञ्जलीका लागि मंगलबार निवासमै राखिने छ ।

Read More »

नेकपा बैठक : सरकार आ पार्टी नेतृत्व दुनुके आलोचना

काठमाण्डु पुस ०३ गते । सत्तारुढ नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी (नेकपा) के स्थायी कमिटी बैठकमे नेतासभ सरकार आ पार्टी नेतृत्वक पैघ आलोचना कएलन्हि अछि । पार्टी विधिसम्मत नहि चलल आ सरकार जनअपेक्षाअनुसार काज नहि कएने हुनकासभक निष्कर्ष अछि । पार्टी कार्यालय धुम्बाराहीमे बैसल बैठकमे बामदेव गौतमसहित १० गोटे अध्यक्षद्वयके राजनीतिक प्रतिवेदन उपर अपन धारणा रखलन्हि अछि ।
गौतम शनिदिनक बैठकमे लिखित स्थायी कमिटी सदस्यसभकेँ बँटने छलथि । रविदिन ओ ओहि विषयमे प्रष्ट् करबाक सँगहि प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली रविदिन देने अभिव्यक्तिके सेहो आलोचना कएने एक नेता बतओलन्हि । बैठकमे बाजएबला नेतासभ पार्टी विधान आ विधि अनुसार नहि चलि सकल धारणा रखने छथि । पार्टी एकता प्रक्रिया गति देबए नहि सकल, प्रदेश कमिटी गठन मापदण्ड अनुसार नहि भेल कहैत ओसभ नेतृत्वके आलोचना कएलन्हि अछि । ‘कऊ पैघ स्वरमे बजैत छथि, कऊ कम स्वरमे बजलन्हि मुदा, पार्टीके सचिवालय विधि आ विधानअनुसार काज नहि कऽ सकल सभ गोटेके धारणा छल ।’
सरकारसँ अधिक पार्टी नेतृत्वके अधिक आलोचना भेल अछि । सरकार जनअपेक्षाअनुसार काज नहि कऽ सकल नेतासभ बतओलन्हि अछि । अध्यक्षद्वयके प्रस्तावमे उपलब्धी अधिक देखओला बादो ९ महिनामे जनअपेक्षाअनुसार काज नहि भेल ओसभ बतओलन्हि । वनमन्त्री सेहो रहल शक्ति बस्नेत ९ महिनामे कि कि कएल जा सकैत छलैक कहि नहि देखबाक चाही धारणा रखलन्हि ।

Read More »

मेलम्ची छोडि चुकल इटालियन ठेकदारके घोषणा

काठमाण्डू पुस ०३ गते ।इटालियन ठेकदार कम्पनी सीएमसी निर्माणाधीन मेलम्ची खानेपानी आयोजना छोडि चुकल घोषणा कएलक अछि । मुदा, सरकार ओ पत्र बुझ्न अस्वीकार कएलक अछि । ठेकेदार कम्पनीके प्रतिनिधि आयोजनाके बाँकी काज नहि कऽ सकल लिखल पत्र लऽ कऽ मेलम्ची खानेपानी आयोजनामे पहुँचल छल । मुदा, आयोजनाक अधिकारीसभ पत्र बुझएसँ अस्वीकार कएने अछि । खानेपानी मन्त्रालय पत्र नहि बुझए लेल आयोजनाकेँ निर्देशन देने छल । सीएमसी ‘फन्ड सर्टेज’ भेल कहैत काज आगा बढाबए नहि सकल पत्रमे उल्लेख कएने बुझबामे आएल अछि ।
एहिसँ आगा याह डिसेम्बर १४ धरि अपने दावा कएने रकम देबए समयसीमा देने छल । मुदा, सरकार बाँकी काज सम्पन्न कएला बादो थप रकम भुक्तानी देबाक जबाब देने अछि । सरकारसँ पैसा नहि भेटला बाद सीएमसीके अधिकारीसभ भागएके प्रयास कएने छल । मुदा, पूर्वसूचना भेटला बाद नेपाल प्रहरीके सहयोगमे ८ गोटेकेँ ठमेलसँ नियन्त्रणमे लेलगेल अछि । क्रिष्मस डे मनाबएके बहानामे काज छोडि कऽ भागि रहल आयोजनाके ठेकेदार कम्पनी इटालियन कम्पनी सिएमसीके आठ गोटे कर्मचारीकेँ पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
महानगरीय प्रहरी वृत्त दरबारमार्गसँ खटल टोली हुनकासमकेँ रविक राति ठमेलस्थित रोयल पेङ्गुइन होटलसँ नियन्त्रणमे लेने छल । नियन्त्रणमे लेलगेल कर्मचारीकेँ खानेपानी मन्त्रालयके जिम्मा लगाओलगेल डीएसपी दानबहादुर मल्ल जानकारी देलन्हि ।

Read More »

सरकारकेँ डा. केसी देलन्हि १५ दिनक अल्टिमेटम

काठमाण्डू पुस ०३ गते ।त्रिवि शिक्षण अस्पताल महाराजगञ्जक प्रा. डा. गोविन्द केसी अपनासँग भेल सम्झौता कार्यान्वयन करबालेल सरकारकेँ १५ दिनक अल्टिमेटम देलन्हि अछि । ओ १५ अम अनशनके क्रममे भेल सम्झौता कार्यान्वयन नहि भेल तऽ पुस १७ गतेसँ अनशन सुरु करबाक घोषणा कएलन्हि अछि । सोमदिन विज्ञप्ति जारी कऽ डा. केसी चिकित्सा शिक्षा विधेयककेँ आगा बढाबए किछु दिन समय लागत जानकारी अएलासँ विधेयक आगा बढाबए पूर्वनिर्धारित अनशनके समय आगा बढओने बतओलन्हि अछि ।
एहिसँ आगा डा. केसी माँग पूरा नहि भेल तऽ पुस २ सँ अनशन शुरु करबाक घोषणा कएने छलथि । डा. केसी कहने छथि ,‘राष्ट्रिय चिकित्सा शिक्षा विधेयकसहित बाँकी माँगसभ सेहो पूरा करबालेल स्मरण करबैत घोषित सत्याग्रहकेँ दु सप्ताह आगा बढओने छी । एहिबीच विधेयकमे कोनो चलखेल भऽ माथेमा कार्यदलके प्रतिवेदन, एहिसँ आगा दु बेर जारी भेल अध्यादेश तथा हमरासभसँग बारम्बार भेल सम्झौतासभसँ अधिक प्रतिकूल होबएजँका चलखेल भेल तऽ कोनो समय सत्याग्रह सुरू भऽ सकैत अछि ।’ डा. केसी कर्णाली स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानमे पूर्वाधार आ जनशक्ति होइतो राजनीतिक दबाबके कारण स्नातकोत्तरके अनुमति देबए नेपाल मेडिकल काउन्सिल आनाकानी कऽ रहल आरोप लगओने अछि ।

Read More »

महोत्तरीमे पैघ परिणाममे लागू औषध बरामद

बर्दिबास पुस ०३ गते ।प्रहरी सोमदिन महोत्तरीके बर्दिबासमे दुटा सवारी साधनसँ पैघ परिणामे लागू औषध बरामद कएलक अछि । प्रहरी सवारी चेकजाँचक क्रममे बा ५ ख ६८१९ नम्बरके राजविराजसँ काठमाण्डू जा रहल हायस गाडीसँ डि लेक्स डिसि (सिरब) ६ सय एम एल के सय बोत्तल आ नाइट्रोभेट ट्याब्लेट ६ सय पिस बरामद कएलक अछि । तहिना बा ३ ख ७४६८ नम्बरके कटारीसँ काठमाण्डू जा रहल यात्रुवाहक बससँ डि लेक्स डिसि १ सय एम एलके २९ बोत्तल आ आधा लिटरके ३ टा ड्युके बोत्तलमे नुका कऽ रखने ६ सय एम एल के डिलेक्स डिसि (सिरब) लागूऔषध बरामद कएलगेल बर्दिबास प्रहरी जनओलक अछि ।
हायस गाडीमे लागु औषध लऽ जा रहल सिराहके विष्णुपूर गामपालिका वार्ड नं —१ घर भेल २५ वर्षीय अमर कुमार शर्मा (ठाकुर) पकराएल अछि तऽ बसमे लागु औषध नुका कऽ लाबएबला अभियुक्त फरार रहल बर्दिबास प्रहरीके प्रहरी नायब उपरीक्षक खगेन्द्र खड्का जनओलन्हि अछि । घटना विषयमे विशेष अनुसन्धान भऽ रहल बताओलगेल अछि ।

Read More »

निर्मला हत्याकान्डः एआइजी बस्नेतक टोलीले प्रतिवेदन बुझओलक

काठमाण्डू पुस ०३ गते ।कन्चनपुरक १३ वर्षीया बालिका निर्मला पन्तके बलात्कारक बाद हत्या भेल घटना छानबिन करबालेल गठित नेपाल प्रहरीके एआइजी धीरु बस्नेतक टोली सोमदिन प्रहरी महानिरीक्षक सर्वेन्द्र खनालकेँ प्रतिवेदन बुझओलक अछि । गत भादव ३१ गते गठित अनुसन्धान टोली ४६० पृष्ठ लम्बा प्रतिवेदन बुझओलक अछि । प्रतिवेदनमे अनुसन्धानकाक्रममे ३६ गोटेकेँ नियन्त्रणमे लेलगेलामेसँ ८ गोटे ‘पोलीग्राफी टेस्ट’ मे झुठ बाजल उल्लेख अछि ।
तहिना, निर्मलाके हत्या भेल २४ दिनक बाद घटनास्थलमे नकली प्रमाणसभ राखलगेल, कन्चनपुरक तत्कालीन डीएसपी अंगुर जिसी पोलीग्राफी टेस्ट करए नहि मानने आ अनुसन्धानक क्रममे एआइजी धीरु बस्नेतकेँ टेलिफोनमार्फत् धम्की देने सेहो उल्लेख अछि । टेलिफोनसँ धम्की देबएबला व्यक्ति छानबिन समितिमे रहल दु गोटे सदस्यके नाम लैत ओसभ ‘अपन आदमी’ रहल कहने आ ओहि अडियो टेप सेहो प्रतिवेदनमे समेटलगेल बुझबामे आएल अछि ।
अनुसन्धान टोलीमे ११ गोटे सदस्य रहल अछि जाहिमे नेपाल प्रहरीके प्रवक्ता सेहो रहल एसएसपी उत्तम सुवेदी आ एसपी डा. गणेश रेग्मी प्रतिवेदनमे हस्ताक्षर नहि कएने उच्च स्रोत जनओने अछि । एआइजी बस्नेत नेतृत्वक टोलीमा गणेश रेग्मी, उत्तम सुवेदी, निरजबहादुर शाही, रमेश थापा, सन्तोष आचार्य, ज्ञानेन्द्रबहादुर बस्नेत, दधिराम न्यौपाने, कौशलकुमार बुढाथोकी, दीपककुमार कार्की आ सुमन थापा रहल अछि । प्रहरी महानिरीक्षक खनाल हमरासभसँग बात करैत टोली अपनाकेँ प्रतिवेदन बुझओने आ प्रतिवेदनअनुसार कारबाही आगा बढएबाक बतओलन्हि ।

Read More »
1 59 60 61 62 63 127