admin

अत्याधिक गर्मीके कारण वीरगंजक विद्यालय बन्द

जनकपुरधाम जेठ ३२ गते । विगत किछु दिनसँ लगातार बढि रहल गर्मीके कारण वीरगंजक सम्पूर्ण विद्यालय बन्द कएलगेल अछि । अत्याधिक गर्मीके कारण विद्यालय आवतजवात करबाक संगहि बालबालिका बेहोस होबए लगलाक बाद एक सप्ताहके लेल विद्यालयसभ बन्द करबाक वीरगंज महानगरपालिका निर्णय कएलक अछि ।
‘महानगरपालिका अन्तर्गत सञ्चालित विद्यालयक प्राधानाध्यापकसभक छलफल तथा नगर शिक्षक महासंघकक रायअनुसार प्रचण्ड गर्मीके प्रतिकूल मौसमकेँ मध्यनजर करैत अषाढ १ गतेसँ ६ गतेधरि महानगरपालिकाभितरके सम्पूर्ण विद्यालयसभक पठनपाठन बन्द कएलगेल अछि,’ महानगरपालिका जारी कएने सूचनामे उल्लेख अछि ।
अत्याधिक गर्मीके कारण बालबालिकाकेँ विद्यालयधरि पहुँचबामे सेहो कठिनाइ होबए लगलाक बाद एक सप्ताहलेल विद्यालय बन्द करबाक निर्णय कएलगेल महानगरपालिकाक शिक्षा शाखाक प्रमुख अरविन्द लाल कर्ण जानकारी देलन्हि ।
अत्याधिक गर्मीके कारण बालबालिकाक स्वास्थ्यमे प्रतिकूल असर परबाक संगहि कतेको विद्यालयमे बेहोस हएबाक समस्या देखलगेलाक बाद महानगरपालिका अन्तर्गतके सामुदायिक तथा निजी विद्यालयसभ अषाढ ६ गते धरि बन्द कएलगेल ओ बतओलन्हि ।

Read More »

पर्सामे भारतीय गाडी पर कडाइ

वीरगंज जेठ ३२ गते ।पर्सामे भारतीय गाडी सञ्चालनक सम्बन्धमे कडाइ करबाक तैयारी कएलगेल अछि । नियमविपरित सञ्चालित भारतीय गाडीप्रति प्रहरी प्रशासन कठोर बनल अछि । भारतीय गाडी विभित्र अपराधिक क्रियाकलापक संगहि लागुऔषध कारोबार आ तेल तस्करीमे सेहो प्रयोग होबए लगलाक बाद कडाइ कएल जा रहल प्रहरी जनओलक अछि ।
विगत किछु दिन एम्हर सवारी चेकजाँचमे कडाइ कऽ अनुमति पत्र नहि लऽ सञ्चालनमे रहल भारतीय सवारीकेँ प्रहरी कारवाही कएलक अछि । ओहि क्रममे ७ टा गाडी नियन्त्रणमे लऽ कऽ भन्सारमे बुझाओलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय पर्साक प्रमुख प्रहरी उपरीक्षक सोमेन्द्र सिंह राठौर जानकारी देलन्हि ।
दैनिक पाँच सयसँ अधिक भारतीय छोट सवारी नेपाल आएल करैत अछि कहैत ओ ओहिमेसँ ४ सयसँ बिना दर्ताके रहैत अछि बतओलन्हि ।
तहिना मोटरसाइकल एक हजारकेँ संख्यामे आवतजावत करैत आबि रहल तथ्यांक प्रहरीलँग अछि । ‘दर्ता नहि भेलासँ लाखौं रुपैयाँ दैनिक राजश्व घाटा भऽ रहल अछि तऽ दोसरतर्फ भारतीय सवारी अपहरण, चोरी, लागुऔषध तसकरीमे संलग्न देखलगेल अछि । प्रज्ञापनपत्र बिनाके सवारी साधन चलए देबाक अवस्था नहि अछि । ओहि कारण चेकजाँचमे कडाइ कएलगेल अछि,’ राठौर बतओलन्हि ।
पर्साक प्रमुख जिल्ला अधिकारी नारायणप्रसाद भट्टराई पर्साक ग्रामीण क्षेत्रमे तेलके खपतमे अस्वभाविक वृद्धि हएबाक पाछु भारतीय सवारी रहल बतओलन्हि ।
ओ दुःख देबाक नियतसँ नहि खराब गतिविधिमे भारतीय गाडीके प्रयोग भेलाक कारण कडाइ कएलगेल बतओलन्हि अछि । ‘नेपाल आयल निगम पछिला वर्ष पर्साक ग्रामीण क्षेत्रक पेट्रोल पम्पमे ८० हजार लिटर तेल देने छल, एहि वर्ष वैशाखधरि डेढ लाख लिटर खपत भऽ चुकल अछि । कियाक भेल खोजैतगेलाक बाद कतेको भारतीय नम्बर प्लेटक सवारीसाधनक काज दिनभरि तेल ढुवानीमात्र होइत अछि,’ ओ बतओलन्हि ।
ओ भारतीय गाडीके २४ घन्टाधरि रहबालेल अनुमति पत्र लेबएमे पैसा नहि लगैत अछि आ ओहिसँ अधिक रहबाक अवस्थामे भन्सार बुझएबाक प्रावधान रहलाक कारण सभकेँ पालन करए परत बतओलन्हि ।
मुदा पर्सा जिल्लामे वीरगंज भन्सार कार्यालयमे मात्र इन्ट्री आ भन्सार कटएबाक सुविधा अछि । ग्रामीण क्षेत्रमे छोटी भन्सार रहलाक बादो ई सुविधा नहि अछि । जाहि कारण सीमावर्ती क्षेत्रसँ खुल्लम खुल्ला भारतीय गाडी नेपाल आएल करैत अछि । कतेको सवारी अपराधिक क्रियाकलापमे सेहो प्रयोग होइत आएल प्रहरी अधिकारीसभ बतबैत छथि ।
सीमावर्ती क्षेत्रमे वैवाहिक समारोहमे सेहो व्यापक मात्रामे भारतीय गाडी आएल करैत अछि । प्रहरी कारबाहीमे ओहन सवारी परलाक कारण समस्या भोगए परल ओहि क्षेत्रक स्थानीयके अछि ।
एक सप्ताहबाद वीरगंजमे भारतीय सवारीक चेकजाँचके कडाइ करबाक ओ ओहिके किछु दिनबाद ग्रामीण क्षेत्रमे चेकजाँच करबाक तैयारी प्रशासन कएने अछि । अनुमति नहि लऽ या कानुनी प्रक्रिया पुरा नहि कऽ सञ्चालनमे रहल सवारी साधनउपर कारबाही होएत प्रशासनक कहब अछि ।

Read More »

‘पप्पु’ केँ कारबाही करबालेल निर्देशन

काठमाण्डु जेठ ३२ गते ।काठमाण्डुक तीनकुनेक निर्माणाधीन पुलमे बदमासी कएने कहैत संसदके विकास तथा प्रविधि समिति पप्पु कन्स्ट्रक्सन उपर कारबाही करबालेल निर्देशन देलक अछि ।शुक्रदिन सम्पत्र समितिक बैठक कारबाहीके निर्देशन देने सभापति कल्याणी खडका जानकारी देलीह अछि । पुलमे समस्या रहल कहैत एहिसँ पहिने सडक विभाग काज रोकबालेल निर्देशन देने छल । ओहिअनुसार करिब तीन महिनासँ काज रुकल छल ।
तीन महिनासँ रुकल काज आगु नहि बढाबएलेल समिति निर्देशन देने पप्पु कन्स्ट्रकक्सन जनओलक अछि । पुलके रिडिजाइनके लेल पुल्चोक इन्जिनियरिङ कलेजमे पठाओलगेल अछि । तीन दिनपहिने प्रतिवेदन आएल आ ओहिअनुसार स्वीकृतिके लेल सडक विभाग पठाओलगेल कन्स्ट्रक्सन जनओलक अछि ।
पुलक पाइल्स (पानि बहएबला स्थानमे रहल पीलर) मे गम्भीर त्रुटि देखलगेल अछि । २९.५ मिटर लम्बाईक १६ टा पाइल्स निर्माण करबालेल डिजाइन स्वीकृत भेलाक बादो एक पाइल्स १६.५ मिटरके मात्र निर्माण भेल अछि तऽ दुटा पाइल्स क््रयाक भेल अछि ।
निर्माणाधीन पुलक तीन पाइल्समे गम्भीर त्रुटि भेलाक बाद काठमाण्डु उपत्यका सडक विस्तार आयोजना पप्पु कन्स्ट्रक्सनकेँ फाउन्डेसनमे रहल पाइल्सक समस्या समाधान कऽ मात्र काज आगु बढाबएलेल निर्देशन देने छल । मुदा सडक विस्तार आयोजनाक निर्देशनके अवज्ञा करैत पप्पु कन्स्ट्रक्सन पुलक सबस्ट्रक्चर निर्माण कऽ स्ल्याब ढलानक तैयारी कएने जनाओलगेल अछि ।
एहि पुलक निर्माणके लेल ठेक्का सम्झौताक म्याद समाप्त भेला एक वर्ष बितगेल अछि । मुदा निर्माण सम्पत्र कऽ हस्तान्तरण करैत सञ्चालनमे अएबाक समयमे पुलक निर्माण कार्य रोकलगेल अछि । पप्पु कन्स्ट्रक्सन २०७५ अषाढ ५ गते धरि निर्माण सम्पत्र करबाक सम्झौता करैत २०७१ पुष ४ गते काठमाण्डु उपत्यका सडक विस्तार आयोजनासँ ठेक्का लेने छल ।
विकास आयोजनासभ समयमे सम्पत्र नहि हएबाक वातावरण बनबामे सरकार आ सरकारी निकाय सेहो दोषी रहल संसदके विकास समितिक सभापति खडका बतओलीह अछि । ‘काठमाण्डु उपत्यकामात्र नहि देशक विभित्र भागमे रहल एहन पुलसभक निर्माण करबालेल आवश्यक सम्पूर्ण पूर्वाधारक पूर्वतैयारी कऽ कऽ मात्र निर्माण कार्य प्रारम्भ करबालेल समिति बेरबेर सरकार निर्देशन देने अछि,’ ओ कहलीह,‘मुदा भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्रालय अन्तर्गतके निकायसभ एहिसम्बन्धमे आवश्यक ध्यान नहि देने अछि ।’

Read More »

‘गुठी विधेयक पारित भेल तऽ प्रलय आओत’

जनकपुरधाम जेठ ३२ गते ।सरकार लओने गुठी विधेयक पारित भेल तऽ देश थामही नहि सकएबला पैघ प्रलय आओत जनकपुरक जानकी मन्दिर चेतावनी देलक अछि । धर्मसंस्कृतिउपर प्रहार करबाक उद्देश्यसँ आनलगेल विधेयक फिर्ता नहि भेल तऽ देशमे पैघ धार्मिक प्रलय होएत जानकी मन्दिरक मुख्य महन्थ रामतपेश्वर दास चेतावनी देलन्हि अछि ।‘साधुउपर आक्रमण भेल समय लंका विनाश भेल रामायणमे उल्लेख अछि,’ शुक्रदिन पत्रकार सम्मेलन कऽ महन्थ दास कहलन्हि,‘विधेयकमार्फत धर्मसंस्कृति आ साधुसन्तउपर प्रहार करबाक प्रयास भऽ रहल अछि । विधेयक पारित भेल तऽ देशमे प्रदेशमे धार्मिक प्रकोपक माध्यमसँ पैघ क्षति हएतैक । आ, ओहि क्षतिके ककरो रोकबाक अवस्था नहि रहत ।’
मठमन्दिरकेँ अपन अधिन रखबालेल सरकार लओने विधेयक फिर्ता नहि कएलगेल तऽ साधुसन्तसभ आन्दोलनमे उतरबालेल बाध्य होएत हुनकर चेतावनी छलन्हि । विभित्र मठमन्दिरक साधुसन्त सेहो उपस्थित रहल पत्रकार सम्मेलनमे महन्थ दास संघर्षसमिति निर्माण कऽ जल्दिए आन्दोलनक घोषणा कएल जाएत जानकारी देलन्हि ।
सरकार अपना अन्तर्गत राखि कऽ मठमन्दिर तथा जग्गाजमीन नष्ट करबाक धेयके साथ विधेयक लओने हुनकर आरोप छलन्हि । ‘राजा कानुन बना कऽ कतेको मठमन्दिरके नष्ट कएलन्हि । एखन बाँकी रहल मठमन्दिर सरकार विधेयक लाबि कऽ नष्ट करए चाहि रहल अछि,’ महन्थ दास कहलन्हि,‘विधेयक तत्काल फिर्ता लेबएलेल हमर आग्रह अछि । विधेयक फिर्ता नहि भेल तऽ एतुका साधुसन्तसभ आन्दोलनमे जाएत ।’
दास सरकार धर्म, संस्कृति आ सनातन परम्परा अन्त करबालेल गुठी विधेयक लओने टिप्पणी कएलन्हि । ‘एतुका मठमन्दिर सरकार नहि बनओने अछि । दातासभ सेहो सम्पत्ति नहि राजाकेँ दान कएने छथि आ नहि कोनो सरकारकेँ,’ ओ कहलन्हि,‘धार्मिक तथा सांस्कृति धरोहरके रुपमे रहल मठमन्दिर सरकार कोनो बहानामे कब्जा नहि कऽ सकैत अछि ।’
तत्कालीन राजा लओने कानूनअनुसार सम्पत्ति गुठी संस्थान पहिले कब्जा कऽ चुकल अछि आ आब साधुसन्त बनओने मठमन्दिर सेहो कब्जा करबाक षडयन्त्र भऽ रहल दास स्पष्ट कएलन्हि ।
पत्रकार सम्मेलनमे उपस्थित साधुसन्तसभ संघर्ष समिति गठन करबाक संगहि विधेयक फिर्ता लेबएलेल जिल्ला प्रशासन कार्यालय आ प्रदेश सरकारमार्फत सरकारकेँ ज्ञापनपत्र बुझाओल जाएत बतओलन्हि अछि । हुनकासभक माँग उपर सुनवाइ नहि भेल तऽ तत्काल चरणबद्ध आन्दोलनक घोषणा कएल जाएत ओसभ बतओलन्हि ।

Read More »

‘संघीय सरकार निरकुंशताक रास्ता पर आगु बढि रहल’

जनकपुरधाम जेठ ३२ गते । मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत केपी ओली नेतृत्वक संघीय सरकार निरंकुशताक रास्ता पर आगु बढि रहल आरोप लगओलन्हि अछि । हरेक निकायके अपन नियन्त्रणमे रखबाक सरकारक धेय निरंकुता आ अधिनायकवादके संकेत कऽ रहल राउत बतओलन्हि अछि ।
नेपाल पत्रकार महासंघ प्रदेश २ कमिटीक पहिल साधारणसभाके शुक्रदिन जनकपुरमे सम्बोधन करैत मुख्यमन्त्री राउत कहलन्हि,‘दु तिहाइक सरकारके केपी ओली कऽ रहल समय मिडिया पर अंकुश लगएबाक प्रयास अधिनयाकवादक संकेत दऽ रहल अछि ।’
‘मिडियाकर्मीसभ अपनाकेँ सरकारसँ असुरक्षित महसुस नहि करबाक चाही छल,’ राउत कहलन्हि,‘मुदा संघीय सरकार लओने मिडिया काउन्सिलसम्बन्धी विधेयकसँ पत्रकार जगत अपनाकेँ असुरक्षित महसुस कऽ रहल छथि । ई चिन्ताके विषय छैक । सञ्चारमन्त्रीक अभिव्यक्तिसभ अलग प्रकारक सरकारकेँ अनुभूति दऽ रहल अछि ।’
एखनुक अवस्थामे जाहि प्रकारेँ विभित्र निकायकेँ नियन्त्रण करबाक प्रयास भऽ रहल छैक ओहिसँ भविष्यमे संघीयता आ लोकतन्त्र कायम रहत या नहि सोचबाक समय आएल हुनकर कहब छलन्हि ।
प्रदेश सरकारकेँ संघीय सरकारकेँ इकाई कहब प्रधानमन्त्री ओलीक अभिव्यक्तिप्रति मुख्यमन्त्री राउत आक्रोश व्यक्त कएलन्हि अछि । ‘संघीयताक अर्थ अधिकारक वितरण नहि शक्तिके विभाजन अछि,’ राउत कहलन्हि,‘प्रदेशके संघीय सरकारक इकाई कहब प्रधानमन्त्रीके अज्ञानता बुझि परैत अछि ।’
एहिसँ पहिने प्रदेश सरकार लओने सञ्चार विधेयक मिडियामैत्री नहि रहल स्वीकार करैत मुख्यमन्त्री राउत आब आबएबला विधेयक पत्रकारक हकहित तथा स्वतन्त्रताप्रति प्रतिवद्ध रहत विश्वास दिओलन्हि ।
‘२०४६ सालसँ विभित्र आन्दोलनमे सञ्चारकर्मीद्धारा खेललगेल भूमिका नहि बिसरल जा सकैत अछि,’ राउत कहलन्हि,‘अभिव्यक्ति स्वतन्त्रता आ पत्रकारक हकहितप्रति प्रदेश सरकार प्रतिवद्ध अछि ।’
संघीय सरकारद्धारा लाओलगेल मिडिया काउन्सिलसम्बन्धी विधेयकके विरोधमे पत्रकारसभक आन्दोलनके समर्थन करैत राउत पत्रकारसभक हरेक आन्दोलनमे सहयोग करबालेल प्रदेश सरकार तैयार रहल स्पष्ट कएलन्हि ।
भौतिक पूर्वाधार विकास मन्त्री जितेन्द्र सोनल सेहो संघीय सरकार सञ्चारकर्मीसहित विभित्र निकाय पर अंकुश लगएबाक नियतके साथ आगु बढब संघीयता आ लोकतन्त्रपर खतरा रहल बतओलन्हि । संघीयता कार्यान्वयनमे आबिगेलाक बादो प्रदेश सरकारकेँ अधिकार सम्पत्र नहि होबए देब संघीय सरकारक अभिप्राय देखलगेल ओ बतओलन्हि ।
तहिना आन्तरिक मामिला तथा कानुनमन्त्री ज्ञानेन्द्र यादव पछिला विधेयकमे देखलगेल त्रुटि स्वीकार कऽ चुकल बतबैत आब आबएबला सञ्चार विधेयक सातु प्रदेशसँ उत्कृष्ट रहत विश्वास दिओलन्हि । पत्रकारसभक योगदान आ परिश्रमके कदर करैत प्रदेश सरकार सञ्चार विधेयक आनए जा रहल हुनकर कहब छलन्हि ।
प्रदेश २ क प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेकपाक संसदीय दलक नेता सत्यनारायण मण्डल संघीय सरकार पर लगाओलगेल आरोपमे कोनो सत्यता नहि रहल दावा कएलन्हि । किछु व्यक्ति आ दल सरकारके बदनाम करएबाक उद्देश्यसँ निराधार आरोप लगा रहल हुनकर कहब छलन्हि ।
पत्रकार महासंघ प्रदेश २ क अध्यक्ष दीपेन्द्र चौहानक अध्यक्षतामे सम्पत्र कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासंघक पूर्वअध्यक्ष हरिहर बिरही, नेपाल पत्रकार महासंघक कोषाध्यक्ष राजेश मिश्र, केन्द्रीय सदस्य सुरेश यादव, देवकुमार यादव, पत्रकार महासंघ धनुषा शाखाक अध्यक्ष अनिल मिश्र, प्रदेश २ कमिटीक सल्लाहकार वीरेन्द्र रमणसहितक पत्रकारसभ सम्बोधन कएने छलथि ।

Read More »

उपसभापति निधिद्धारा डेनमार्ककक निर्वाचन अवलोकन

जनकपुरधाम जेठ २४ गते ।जुन ५ मे सम्पत्र डेनमार्ककक संसदीय निर्वाचनके नेपाली कांग्रेसक उपसभापति विमलेन्द्र निधि अवलोकन कएलन्हि अछि ।
डेनमार्ककक राजधानी कोपनहेगेनक विभित्र मतदान केन्द्र पहुँच कऽ उपसभापति निधि निर्वाचनक अवलोकन कएने छलथि । डेनिस इन्टिच्युट फर पार्टीज एण्ड डेमोक्रेसीक आमन्त्रणमे उपसभापति निधि गत जेठ २० गते कोपनहेगन प्रस्थान कएने छलथि । ओ निर्वाचनक एक दिन पहिने जुन ४ मे इेक्सन अभियानक स्थलगत अवलोकन कएने छलथि ।
तहिना उपभसभापति निधि वृहस्पपतिदिन कोपेनहेगनमे डेनमार्कक विभित्र राजनीतिक दलक नेतासभसँ अन्तरक्रिया कएने छलथि । हुनकर शनिदिन स्वदेश घुरबाक कार्यक्रम रहल बताओलगेल अछि ।

Read More »

नक्कली नोटसहित दु गिरफ्तार

रौतहट जेठ २४ गते । रौतहट जिल्लाक कटहरीया नगरपालिकाक कटहरिया बजारसँ प्रहरी नक्कली नेपाली नोटसहित दुगोटेके नियन्त्रणमे लेलक अछि । गोप्य सूचनाक आधार पर ईलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाक टोली कटहरीया बजारसँ नक्कली नोटसहित दुनुगोटेके नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
खानतलासीक क्रममे नक्कली नोटसहित दुनुगोटेके नियन्त्रणमे लेलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनओलक अछि । प्रहरी खानतलासी कएलाक बादा ओकरासभक साथसँ १ हजार नोटक २ सय थान बरामद भेल अछि ।
पकराएबलामे कटहरीया नगरपालिका–७ क जियालाल महतो आ मैलापुर नगरपालिका–७ क बिहारी साह अछि । दुनुगोटेके इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडामे राखि कऽ आवश्यक अनुसन्धान भऽ रहल प्रहरी निरीक्षक अनमोल खडका बतओलन्हि ।
विगत किछुदिन एम्हर नेपालमे नक्कली नोट बरामद हएबाक क्रम बढल अछि । एहिसँ पहिने त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलसँ भारतीय नक्कली नोटसहित चारि गोटेके प्रहरी नियन्त्रणमे लेने छल । नक्कली नोट कारोबार नियन्त्रण प्रहरीके लेल चुनौती बनैतगेल अछि । रौतहट जिल्लाक सीमावर्ती क्षेत्रसँ नक्कली नोट बरामद भेलाक बाद कारोबारक तार पडोसी देश भारतधरि फैलल भऽ सकैत अछि प्रहरीके अनुमान अछि ।

Read More »

वृद्धभत्ता ६५ वर्षमे देबाक कांग्रेसक माँग

काठमाण्डु जेठ २४ गते ।नेपाली कांग्रेस ६५ वर्ष उमेर पुरा भेलसभकेँ वृद्धभत्ता देबाक माँग कएलक अछि । वृहस्पतिदिन प्रतिनिधिसभाक बैठकमे कांग्रेस कोषाध्यक्ष तथा सांसद सीतादेवी यादव वृद्धभत्ता देबाक उमेर ६५ वर्ष कायम करबाक माँग कएलीह ।तहिना ओ पूर्ववर्ती सरकार घोषणा कएने गम्भीर प्रकारक चारि प्रकारक बिमारीकेँ पाँच हजार भत्ता देबाक घोषणा कार्यान्वयन करबाक माँग सेहो कएलीह अछि ।
कांग्रेस नेता गगन थापा स्वास्थ्यमन्त्री रहल समय सरकार किडनी, क्यान्सर आ स्पाइनल इञ्ज्युरीक कारण प्यारालाइसिस भे बिमारीकेँ मासिक ५ हजार भत्ता देबाक निर्णय कएने अछि । मुदा ओ लागु नहि भेल अछि ।
एहिबीच कांग्रेसद्धारा उठाओलगे प्रश्नके जबाब दैत अर्थमन्त्री युवराज खतिवडा वृद्धभत्ता पएबाक उमेर ६५ वर्ष तय करब उपयुक्त नहि रहल बतओलन्हि अछि । वृद्धभत्ताके लेल ६५ वर्षक उमेर उपयुक्त नहि रहल बतओन्हि ।
२०५१ सालमे ७५ वर्ष उमेर पहुँचल जेष्ठ नागरिकककेँ मासिक १ सय रुपैयाँ भत्ता देबाक शुरु कएलगेल स्मरण करबैत ओ ओहि समय औसत आयु ५९ वर्ष रहल मुदा एखन बढि कऽ ७१ वर्ष पहुँचलाक कारण वृद्ध भत्ताक उमेर घटाएब उपयुक्त नहि रहल खतिवडा प्रष्टिकरण देलन्हि ।

Read More »

लोकसेवा आयोगक कार्यालय घेराव

जनकपुरधाम जेठ २४ गते ।लोकसेवा आयोग स्थानीय तहमे आव्हान कएने विज्ञापन संविधानविपरित रहल कहैत विद्यार्थीसभ महोत्तरी सदरमुकाम जलेश्वरस्थित लोकसेवा कार्यालय घेराव कएलक अछि ।विज्ञापनमे संविधान सुरक्षित कएने आरक्षणक प्रावधानके उल्लंघन कएलगेल कहैत राजपा समर्थीत विद्यार्थी संगठन राष्ट्रिय विद्यार्थी संघ वृहस्पतिदिन लोकसेवा आयोगक कार्यालय घेराव कएलक अछि । विद्यार्थी संघक केन्द्रीय अध्यक्ष ज्ञानेन्द्र झाक अगुवाईमे विद्यार्थीसभ कार्यालय घेराव कऽ एक घन्टा धर्ना पर बैसल छल ।
लोकसेव आयोग आव्हान कएने विज्ञापनमे मधेशी, आदीवासी, जनजातिसहितक आरक्षित कोटा काटलगेल कहैत विद्यार्थीसभ विरोधस्वरुप कार्यालय घेराव कऽ धर्ना देने छल ।
एहिसँ पहिने विज्ञापनक विरोधमे विद्यार्थीसभ जनकपुरमे सामान्य प्रशासन मन्त्री लालाबाबु पण्डित आ लोकसेवा आयोगक अध्यक्षके पुतला जरा कऽ विरोध प्रदर्शन कएने छल ।

Read More »

के बनताह महावीरक अध्यक्ष ?

जनकपुरधाम जेठ २४ गते ।जनकपुरधामक प्रतिष्ठित युवा क्लबमेसँ एह महावीर युवा कमिटीक नयाँ नेतृत्व चयन करबालेल आगामी शनिदिन निर्वाचन होबए जा रहल अछि । शनिदिन होबएबला निर्वाचनके लेल उम्मेवारसभक बीच घमासान शुरु भेल अछि ।
मतदाताके अपन अपन पक्षमे तानएलेल उम्मेदवारसभ लबिङ शुरु कऽ देने छथि । महावीर युवा कमिटीमे हरेक वर्ष देखल जाएबला अध्यक्ष पदक घमासान एहुबेर हएबाक सम्भावना अछि ।
अध्यक्ष पदके लेल तीनगोटेके उम्मेदवारी परलाक बादो श्रवणकुमार साह मनोनयन फिर्ता लेलाक बाद अजयकुमार गुप्ता आ सन्तोषकुमार साहबीच चुनावी भीडन्त होएब निश्चित भेल अछि ।
महावीरु युवा कमिटीक कार्यसमितिक वर्तमान महासचिव सेहो रहल गुप्ता अपनाकेँ अध्यक्ष पदक प्रबल दावेदार रहल दावा कएलन्हि अछि । जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक कार्यकारिणी सदस्य तथा जनकपुर जेसीजक कानुनी सल्लाहकार सेहो रहि चकुल गुप्ता सामाजिक गतिविधिमे सेहो निरन्तर काज करैत आबि रहलाक कारण मतदाता अपन पक्षमे मतदान करता विश्वास व्यक्त कएलन्हि अछि । गुप्ताक कुशल कार्यशैलीके कारण कमिटीक प्रत्येक निर्वाचनमे ओ भारी मतसँ विजयी होइत आएल कमिटीक सदस्यसभक कहब अछि ।
तहिना पछिला निर्वाचनमे अध्यक्ष पदमे पराजित भेल दोसर उम्मेदवार साह एहिबेर मतदाता अपन पक्षमे मदतान करताह दावा कएलन्हि अछि । एहिसँ पहिनेके निर्वाचनमे साह रोशन शेखर जयसवालसँ पराजित भेल रहथि ।

Read More »