admin

मधेश आन्दोलन घायलके प्रदेश सरकारक सहयोग

जनकपुरधाम १८ । मधेश आन्दोलनक घायल विजयकुमार ठाकुरके प्रदेश सरकार १ लाख ५० हजार रकम सहयोग उपलब्ध करओलक अछि । प्रथम मधेश आन्दोलनक क्रममे घायल भेल महोत्तरीक पिपरा गामपालिका–५ रतौलीक ठाकुरकेँ प्रदेश सरकार आर्थिक सहयोग उपलब्ध करओने अछि । आन्दोलनमे घायल भेल ठाकुरके एकटा पायर गुमाबए परल छन्हि ।
रतौलीमे आयोजित एक कार्यक्रमकबीच मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत ठाकुरके चेक हस्तान्तरण कएलन्हि अछि । मधेश आन्दोलनक बल पर देशमे संघीयता स्थापित भेल कहैत मुख्यमन्त्री राउत शहीदसभक बलिदानकै आत्मसात करैत प्रदेश सरकार आगु बढि रहल बतओने छलथि ।
प्रदेश सरकार शहीद परिवारके रोजगारी देबाक निर्णय अनुसार अपन काज शुरु कऽ चुकल उल्लेख करैत शहीद परिवारक योग्यता आ क्षमताक आधार पर रोजगारी देल जाएत राउत बतओलन्हि । मधेश आन्दोलनक घायलसभक संख्या हजारौं रहल कहैत क्रमशः सहयोग रकम उपलब्ध कराओल जाएत हुनकर कहब छलन्हि ।
प्रदेशक शान्ति सुरक्षा आ विकासक जिम्मा प्रदेश सरकारके रहलाक बादो केन्द्र सरकार संघीयताके असफल बनएबाक प्रयास कऽ रहल राउत आरोप लगओलन्हि । संघीयता विरोधीसभ प्रदेशकेँ असहयोग कऽ कऽ जनतामे संघीयताप्रति वितृष्णा फैलाबएके प्रयासमे रहल राउत बतओलन्हि ।
एहिबीच मुख्यमन्त्री राउत महोत्तरीक जलेश्वर नगरपालिका–१२ नैन्हीमे पेटझरीके कारण मृत्यु भेल परिवारके १÷१ लाख रुपैयाँ सहयोग करबाक घोषणा कएलन्हि अछि । पेटझरी प्रभावित क्षेत्रके निरीक्षण करबालेल सोमदिन नैन्ही पहुँचल राउत ई घोषणा करैत आगामी दिनमे महामारी नहि फैलएदेबएलेल रणनीति तैयार करबालेल स्वास्थ्यकर्मीसभकेँ निर्देशन देलन्हि ।

Read More »

मूल्यवृद्धि फिर्ताके माँग करैत तरुणदल बुझओलक ज्ञापन

जनकपुरधाम १८ । नेपाली काँग्रेसक युवा संगठन नेपाल तरुण दल मूल्यवृद्धिसहित विभिन्न माँग आगु बढबैत धनुषासहित देश भरिके जिल्ला प्रशासन कार्यालयमार्फत सरकारकेँ ज्ञापनपत्र बुझओलक अछि ।
दशैंके नजदिक आबि कऽ पेट्रोलियम पदार्थसहित दैनिक उपभोग्य सामग्रीमे कएलगेल मूल्यवृद्धि तत्काल फिर्ता लेबाक माँग करैत तरुणदल प्रमुख जिल्ला अधिकारीमार्फत सरकारकेँ सोमदिन ज्ञापनपत्र बुझओने अछि ।
कालाबजारी आ तस्करी नियन्त्रण, पावनि तिहारक समयमे आवश्यक दैनिक उपभोग्य वस्तु सहज तरिकासँ उपलब्ध करबाले सुपथ मूल्य दोकानक व्यवस्था, शान्ति सुरक्षाके उचित व्यवस्था करबालेल ज्ञापनपत्रमे माँग कएलगेल अछि । तहिना बलात्कार कऽ हत्या कएलगेल निर्मला पन्तक हत्याराके यथाशीघ्र कारबाही करबाले तरुण दल माँग कएने अछि ।
तरुण दल धनुषाक अध्यक्ष संजय लाभ कर्णक नेतृत्वमे उपाध्यक्ष राकेश विक्रम साह, कपलेश्वर महतो, सचिव श्यामसुन्दर साह, कोषाध्यक्ष अन्जनी झा, नेवि संघक जिल्ला अध्यक्ष सुजित मिश्र, तरुण दलक नगर उपाध्यक्ष सुभाष पाठक, जितेन्द्र कर्ण, रमेशकुमार यादवसहितक व्यक्तिसभक टोली प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रेम लामिछानेके ज्ञापनपत्र बुझओने छल ।

Read More »

समर्थन फिर्ताक चेतावनीसहित प्रधानमन्त्रीकेँ राजपाक ज्ञापनपत्र

जनकपुरधाम १८ । सरकारसँ समर्थन फिर्ताक चेतावनीसहित राजपा नेपाल प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीकेँ सोमदिन ज्ञापनपत्र बुझओलक अछि । राजपा धनुषासहित तराई मधेशक प्रत्येक जिल्लाक प्रमुख जिल्ला अधिकारीमार्फत प्रधानमन्त्रीके ज्ञापनपत्र बुझओने अछि । राजपा प्रमुख जिल्ला अधिकारीमार्फत प्रधानमन्त्रीकेँ बुझओने ज्ञापनपत्रमे संविधान संशोधनक प्रस्ताव सदनमे लएबाक, मधेश आ थरुहट आन्दोलनक क्रममे राजपाक कार्यकर्ता उपर लगाओलगेल झुठ मुद्दा फिर्ता लेबाक आ बन्दीकेँ रिहाइ करबाक माग कएने अछि । तहिना, अपन प्रतिनिधिसभा सदस्य रेशम चौधरीक सपथग्रहण तथा आन्दोलनक घायलसभकेँ जीविकोपार्जनके व्यवस्था करबालेल राजपा माँग कएने अछि ।
एखन अचानक भेल मूल्यवृद्धि नियन्त्रण करबाक, देशमे हरेक दिन भऽ रहल हत्या, हिंसा आ बलात्कारक घटनाकेँ नियन्त्रण करबालेल राजपा माँग कएने अछि । प्रतिनिधिसभामे राजपाके १६ सांसद अछि । टीकापुर घटनाक मुख्य योजनाकारके रुपमे आरोपित रेशम चौधरीकेँ एखन धरि शपथग्रहण नहि कराओलगेल अछि । ओ पुर्पक्षके लेल कारागारमे छथि ।
राजपाक प्रदेश २ क प्रमुख सचेतक परमेश्वर साह, जनकपुरक उपमेयर रीता झा, राजपा नेता संजयकुमार सिंह, राजपा जिल्ला कोषाध्यक्ष रामविनोद चौधरी, सदाशिव मिश्रसहितक व्यक्तिसभ जिल्ला प्रशासन कार्यालय पहुँच कऽ धनुषाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रेम लामिछानेको ज्ञापनपत्र बुझओने छल ।

Read More »

नेपकपा सांसदके प्रश्न,‘आइएसआईके इशारामे तऽ मदर्सा बोर्ड नहि लाओलगेल अछि ?’

जनकपुरधाम १८ । प्रदेश २ सरकार मदर्सा शिक्षा बोर्ड गठनसम्बन्धी विधेयक लाबि कऽ आतंकवादकेँ बढावा देबए चाहि रहल नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी (नेकपा) आरोप लगओलक अछि । प्रदेश २ क नेकपा सांसद जगत यादव मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत उपर ई आरोप लगओलन्हि अछि । सोमदिन प्रदेशसभामे मदर्सा शिक्षा बोर्ड गठनसम्बन्धी विधेयक उपरके चर्चामे बजैत यादव कोनो खास धर्म आ सम्प्रदायके लेल आनल जाएबला शिक्षा अपनासभकेँ मान्य नहि रहल बतओलन्हि ।
‘कोनो खास धर्म, सम्प्रदायके लेल सेहो कतौह शिक्षा आनल जाइत अछि ?’ सांसद यादव प्रश्न कएलन्हि,‘मुख्यमन्त्रीजी कतौह आतंकवादी संगठन आइएसआईके इशारामा मदर्सा बोर्ड गठनसम्बन्धी विधेयक तऽ नहि लओने छथि ?’ धर्म आ संस्कृति अनुसार अलग अलग शिक्षा लाबि कऽ गलत परम्पराके विकास नहि करबालेल ओ सरकारकेँ ध्यानाकर्षण करओलन्हि ।
तहिना नेकपाक दोसर सांसद मन्जु यादव मदर्सा शिक्षा बोर्ड गठनके औचित्य पुष्टी करबालेल माग कएलीह अछि । ‘मदर्सा बोर्ड कियाक गठन करए परल,’ यादव कहलीह,‘मुस्लिम बालबालिकाके विद्यालय जएबा पर कतह रोकटोक अछि, जे अलगसँ शिक्षा बोर्ड बनाबए परल ।’ प्रदेश सरकार अपने महिला तथा बालिकासभकेँ बुर्का लगाएबालेल बाध्य कऽ रहल हुनकर आरोप छन्हि ।
नेपाली काँग्रेसक प्रदेशसभा सदस्य शिवचन्द्र चौधरी मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत अपन पार्टी निकट संघसंस्थाके पैसा बाँटि कऽ रकमके दुरुपयोग कऽ रहल आरोप लगओलन्हि । मुख्यमन्त्री राउत संघीय समाजवादी फोरमक प्रदेश सचिव शेषनारायण यादव सञ्चालन कएने गैरसरकारी संस्था प्रडाप्सके अपन व्यक्तिगत कोषसँ १५ लाख रुपैयाँ देने कहैत जबाब माँग कएलन्हि अछि ।
राजपा सांसद उपेन्द्र महतो प्रदेशसभा कार्यालय व्यवस्थापन करबालेल केन्द्र सरकार पैसा पठओलाकबादो एखनो भुक्तानी बाँकी रहल कहैत संसदीय समितिमार्फत छानबिन करबाक माँग कएलन्हि । प्रदेशसभा व्यवस्थापन करबालेल केन्द्र सरकार १०÷१५ करोड रुपैयाँ पठओलाकबादो बहुतरास सामानके भुक्तानी बाँकी रहलाक कारण संसदीय समितिमार्फत छानबिन हएबाक चाही हुनकर कहब छलन्हि ।
सांसदसभ उठओने प्रश्नके जबाब दैत सरकारक तर्फसँ आन्तरिक मामिला तथा कानुनमन्त्री ज्ञानेन्द्रकुमार यादव मदर्सा शिक्षा बोर्ड गठनसम्बन्धी विधेयक उपर व्यापक चर्चाके आवश्यक्ता रहल स्वीकार कएलन्हि । संसदीय समिति गठन कऽ विधेयक उपर छलफल कऽ संशोधन करबाक ओ प्रतिवद्धता व्यक्त कएलन्हि अछि ।

Read More »

सीके राउत गौरसँ गिरफ्तार

जनकपुरधाम १८ । स्वतन्त्र मधेशक माँग रखैत आन्दोलन करैत आबि रहल सीके राउत रौटहटसँ गिरफ्तार भेल छथि । राउतके रौतहट प्रहरी सदरमुकाम गौरसँ नियन्त्रणमे लेने छैक ।  जिल्ला अदालत रौटहटके तारिखमे उपस्थित होबएलेल गौर पहुँचल समय राउतके नियन्त्रणमे लेलगेल रौतहटके प्रहरी उपरीक्षक केदार ढकाल जानकारी देलन्हि । राउतके प्रहरी हुनक ४ वर्षीया बेटी आ गाडीके चालकके सेहो नियन्त्रणमे लेने छल । राउतविरुद्ध राज्य विप्लवविरुद्धक मुद्दा दायर कएलगेल अछि । ओ अपन समर्थकसहित अदालत पहुँचल छलथि ।
आशिन ३ गते संविधान दिवसके विरोध करैत राउत जनकपुरमे शक्ति प्रदर्शन कएने रहथि । संविधान दिवसके विरोधमे राउतकेँ कार्यक्रम नहि करए देबाक तैयारी कएने प्रहरी विभिन्न स्थानसँ हुनकर कार्यकर्तासभकेँ नियन्त्रणमे लेने छल । यद्यपी प्रहरी राउतकेँ नियन्त्रणमे लेबएमे सफल नहि भेल छल । राउत आसिन ३ गते जनकपुरक रामानन्द चौक पर अपन समर्थकसभकबीच सभा कएने रहथि । प्रहरीके आगुए राउत सभा कएलाकबाद सरकारसँ लऽ कऽ सुरक्षा निकायकेँ कडा आलोचना भेल छल ।

Read More »

सरकारकेँ राजपाक अल्टिमेटम

जनकपुरधाम १८ ।सरकारकेँ समर्थन करैत आबि रहल राष्ट्रिय जनता पार्टी (राजपा) नेपाल माँग पुरा करबालेल सरकारकेँ अल्टिमेटम देलक अछि । राजपा सोमदिन सभ जिल्ला सदरमुकाममे प्रमुख जिल्ला अधिकारीमार्फत अपन माँग पुरा करबालेल ज्ञापनपत्र बुझएबाक निर्णय कएने अध्यक्ष मण्डलक सदस्य राजकिशोर यादव जानकारी देलन्हि अछि ।प्रधानमन्त्री केपी ओलीसँ राजपाक अध्यक्ष मण्डलके संयोजक आ सदस्यसभ भेँट करबाक प्रयास कएलाकबादो समय नहि भेटल अछि । प्रधानमन्त्री ओलीसँ सोमदिन भेट कऽ ज्ञापनपत्र बुझाबक तैयारी राजपाक अछि मुदा समय निर्धारण नहि भेल यादव बतओलन्हि ।
राजपा प्रधानमन्त्रीकेँ बुझाबएबला ज्ञापनपत्रमे संविधान संशोधनक प्रस्ताव सदनमे लएबाक, मधेश आ थरुहट आन्दोलनक क्रममे राजपाक कार्यकर्ता उपर लगाओलगेल झुठ मुद्दा फिर्ता लेबाक आ बन्दीकेँ रिहाइ करबाक माग करए जा रहल अछि । तहिना, अपन प्रतिनिधिसभा सदस्य रेशम चौधरीक सपथग्रहण तथा आन्दोलनक घायलसभकेँ जीविकोपार्जनके व्यवस्था करबालेल राजपा माँग करैत आबि रहल अछि ।
एखन अचानक भेल मूल्यवृद्धि नियन्त्रण करबाक, देशमे हरेक दिन भऽ रहल हत्या, हिंसा आ बलात्कारक घटनाकेँ नियन्त्रण करबालेल राजपा माँग कएने अछि । प्रतिनिधिसभामे राजपाके १६ सांसद अछि । टीकापुर घटनाक मुख्य योजनाकारके रुपमे आरोपित रेशम चौधरीकेँ एखन धरि शपथग्रहण नहि कराओलगेल अछि । ओ पुर्पक्षके लेल कारागारमे छथि ।

Read More »

वार्डध्यक्ष साहक घर सहित जनकपुरक विभिन्न स्थानमे चलल डोजर

जनकपुरधाम १८ । जनकपुर उपमहानगरपालिका भितर सडक विस्तारक क्रममे नगरपालिकाके परिपत्र अनुसार स्वईच्छासँ घर नहि तोडन्हिारसभक घर उपर डोजर चलल अछि । एसियाली विकास बैंकके सहयोगमे जारी एकीकृत सहरी विकास परियोजना अन्तर्गत भऽ रहल सडक निर्माण एवं विस्तार क्रममे स्थानीयसभ अपनेसँ घर नहि तोडला बादा डोजर चलाओलगेल अछि । एहि क्रममे रविदिन भिन्सरमे जनकपुर उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर ९ क वार्डध्यक्ष परमेश्वर साहके घर उपर सेहो डोजर चलाओलगेल अछि ।
वार्डध्यक्ष घर नहि तोडला बाद तीन महिनासँ सडक निर्माणमे अवरोध भेल कहैत डोजर लगा कऽ घर तोडलगेल बताओलगेल अछि । वार्डध्यक्ष साह सहित अन्य स्थानसभमे व्यापक प्रहरीके उपस्थितिमे घरसभ डोजरसँ तोडलगेल अछि । जनकपुरक पीडारी चौक, मुरली सहितक स्थानमे दर्जानोके संख्यामे घरसभ तोडलगेल अछि ।
घर तोड्एके क्रममे वार्डाध्यक्ष प्रमेश्वर साह सहित हुनकर परिवारक सदस्यसभ घर आगा अवरोध कएला बाद प्रहरी धडपक आ दुरव्यवहार सेहो कएने छलथि । वार्डध्यक्ष सहित हुनकर पत्नी चाँदा साह, भैया लालबाबु साह आ भगिना वसन्त साहकेँ जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा तीन घण्टा हिरासतमे राखि कऽ छोडने अछि ।
अगामी ५ डिसेम्बर २०१८ धरि मात्र म्याद रहल जारी एडीबी परियोजनाके काज पीडारी चौकमे वार्डध्यक्षके अवरोध कएने कहैत किछु स्थानीयसभ बेरबेर अवरुद्ध करैत छल । किछु दिन आगा मेयर लालकिशोरकेँ स्थानीयसभ घेराबन्दी सेहो कएने छलथि । रविदिन भिन्सरमे सेहो ओतहके किछु स्थानीयसभ तेसर बेर वार्डध्यक्ष साहके घर तोड्ए पडत आ सडक निर्माणक काज करए पडत कहैत चक्कजाम कएने छलथि ।
चक्कजाम खोलाबए पहुँचल मेयर लालकिशोर आ उपमेयर रिता झाकेँ घर तुरन्त तोडाबए लेल स्थानीयसभ दबाब देला बाद प्रहरीके सहयोगमे एकाएक घर उपर डोजर चलाओलगेल स्थानीयसभ बतओलन्हि अछि ।
एम्हर, वार्डध्यक्ष प्रमेश्वर साह अपन घर सडकमे नहि पडल दावा करैत मेयर लालकिशोरले पूर्वाग्रही आ रिसीइवीके कारण घर तोडने आरोप लगओलन्हि । २०७० सालमे भेल साढे ५२ फिट सडक नापीमे अपन घर नहि पडल बतबैत वार्डध्यक्ष साह कहलन्हि ‘ एकाएक हमर घर उपर डोजर चलाओलगेल, रोकएके प्रयास कएला बाद पुरा परिवार उपर प्रहरी लगा कऽ ज्यादती कएलक, अन्याय कएलक । नियन्त्रणमे लऽ कऽ प्रहरी हिरासतमे राखलगेल ।’
शुरुएसँ मेयर लालकिशोरके गलत क्रियाकलापके विरोध कएला बाद एहन दुर्दशा भोगए पडल आ अपन घर सेहो ओहि कारण तोडलगेल वार्डध्यक्ष प्रमेश्वर साह आरोप लगओलन्हि ।
मेयर लालकिशोर भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके भ्रमणके नाममे बाह्रविघा मैदानके देबाल पेन्टिंग, जानकी मन्दिरके रंगरोगनके नाममे लाखो भ्रष्टाचार कएने, नगरपालिका कार्यालयमे अपन नातागोतामे पडएबलाकेँ नोकरी देने आ डेढ करोडके गाडी किनने सहितक विरोध कएला बाद मेयर साह अपन घर तोडएके धम्की देने वार्डध्यक्ष प्रमेश्वरके आरोप छन्हि । ओ अपना उपर भेल ज्यादतीके विषयमे छानविन समिति गठन कऽ कऽ निष्पक्ष छानविन करबालेल माँग कएलन्हि अछि ।

Read More »

‘प्रदेश प्रहरी ऐन संविधान विपरित अछि तऽ अदालत जाउ’

जनकपुरधाम १८ ।मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत प्रदेश सरकार लाबि रहल रहल प्रहरी ऐन संविधान विपरित अछि तऽ सर्वोच्च अदालत जाए लेल चुनौती देलन्हि अछि । ओ शान्ति सुरक्षा तथा सुशासनके लेल संविधानतः प्रदेश सरकार अपने प्रहरी गठन करए जा रहल दावा कएलन्हि अछि ।
रविदिन प्रदेशसभामे सम्बोधन करैत ओ कहलन्हि, ‘सरकारके अर्थ तहन होइत अछि जहन सरकारसँग अपन प्रहरी, प्रशासन, कर्मचारी आ अर्थतन्त्र रहैत अछि । एखन प्रदेशमे बलात्कार, हत्याहिंसा होइत अछि, सरकारसँग अपन प्रहरी नहि अछि सरकार कोना चलत ? प्रदेशमे शान्ति सुरक्षा कोना स्थापना होएत ? मुख्यमन्त्री राउत कहलन्हि, ‘हमसभ संविधानतः बहुत सोंचि समझि कऽ प्रहरी ऐन लआने छी । जिनका संविधान विपरित लगैत अछि ओ सर्वोच्च अदाल सेहो जा सकैत छी । प्रदेश प्रहरी ऐन लाबएमे संघीय सरकार अवरोध कएने अछि ।’
ओ जिल्ला प्रशासन कार्यालय प्रदेश सरकारके कार्यक्षेत्र भितर हस्तक्षेप कऽ कऽ प्रदेश सरकारके अधिकार हनन कएने आरोप लगओलन्हि । संघीय सरकार संविधान बनल तीन वर्ष बित गेला बादो किया संघीय प्रहरी ऐन लाबए नहि सकल प्रश्न करैत मुख्यमन्त्री राउत संघीय सरकार २÷३ वर्ष भितर सेहो प्रहरी ऐन नहि लाबि सकत ठोकुवा कएलन्हि ।
ओ केन्द्र सरकार प्रदेश सञ्चालन करबामे कर्मचारी नहि पठा कऽ असहयोग कएने कहैत बाध्य भऽ करारमे कर्मचारी भर्ना करबाक अवस्था आएल बतओलन्हि । ओ कहलन्हि , ’संघीय सरकार कर्मचारी नहि पठओलासँ नीति तथा कार्यक्रम कार्यान्वयनमे समस्या अछि । कर्मचारी नहि अछि बजेट के खर्च करत ? विकास कोना होएत ?’ प्रदेश प्रहरी आ करारमे कर्मचारी भर्नाके लेल सहयोग करबालेल सांसदसँग मुख्यमन्त्री राउत आग्रह सेहो कएलन्हि । विपक्षी दल बजेटमे संशोधनके माँग करैत शुक्रदिन प्रदेशसभा बैठक अबरुद्ध कएला बाद रविदिन प्रदेशसभामे राउत सम्बोधन करैत बजेटमे रहल त्रुटि सुधार करबाक प्रतिबद्धता जनओलन्हि अछि ।
ओ वन, उद्योग पर्यटन तथा वातावरण मन्त्रालयके उदाहरण दैत जम्मा ९ सय ९३ कर्मचारी आवश्यक्ता रहला बादो सरकार १३ गोटे कर्मचारी मात्र पठओने बतओलन्हि । ओ समान्य प्रशासन मन्त्री लालबाबु पण्डितकेँ कर्मचारी पठाबएलेल बेरबेर आग्रह कएला बादो कर्मचारी नहि पठओने उपराग कएलन्हि । आबए चाहएबला कर्मचारीकेँ सेहो प्रदेश २ मे असहयोग भऽ रहल झुठ अफवाह फैला कऽ नहि चाहएबला कर्मचारीकेँ पठओने मुख्यमन्त्री राउतके उपराग छन्हि । प्राविधिक कर्मचारी ऐन पास भेला बाद प्रदेश सरकार आवश्यक्ता अनुसार कर्मचारी भर्ना करबाक उल्लेख कएलन्हि ।
मदर्सा बोर्डके आवश्यक्ता विषयमे बजैत मुख्यमन्त्री राउत प्रदेश २ मे १२ प्रतिशत मुस्लिम जनसंख्या रहल आ ओसभ सभसँ अधिक पिछडल रहलासँ हुनकासभक शिक्षा स्तरमे बृद्धिके लेल आधुनिक मदर्सा शिक्षा लाबि रहल स्पष्ट कएलन्हि । मुस्लिम तथा दलितके शिक्षा, स्वास्थयके स्तर नहि बढए धरि प्रदेशके विकास होबए नहि सकबाक उल्लेख करैत सरकार दलितसभक लेल सेहो दलित शशक्तिकरण ऐन लाबि रहल जानकारी देलन्हि ।
तहिना, त्रुटिपुर्ण तरिकासँ बजेट वितरण कएलगेल कहैत विपक्षीसभ आलोचना कएला बाद संसदमे जबाब दैत अर्थमन्त्री विजय यादव प्रदेशके ६४ ओ क्षेत्रमे समान रुपसँ बजेट पुनरावलोकन करबाक प्रतिबद्धता जनओलन्हि अछि ।
नेकपा प्रदेशसभा सदस्य जगत यादव मधेसीके खुनसँ बनल वर्तमान मधेसवादी दलके सरकार शहीदके अपमान कएने आरोप लगओलन्हि अछि । शहीदके सपना आ भावना विपरिच सरकार काज कऽ रहल आरोप लगबैत यादव दोसर सरकार गठन करबालेल माँग कएलन्हि अछि । शहीदके भावना अनुरुप कोनो काज करए नहि सकल एखनुक सरकार षडयन्त्रकारी आ निक्कमा रहल हुनकर कहब छलन्हि ।
यादव आर्थिक वर्ष २०७४÷७५ के बजेट मन्त्रीसभ मिल कऽ खएने कहैत छानविनके माँग कएलन्हि । रविदिनक बैसारमे गाम सभा तथा नगरसभाके कानून निर्माण प्रक्रिया सम्बन्धी विधेक आ सार्वजनिक प्रशासनक लेल करारमे कर्मचारी भर्ना सम्बन्धी विधेयक उपर छलफल भेल छल ।

Read More »

जनकपुरमे पाकिस्तानी चिनी, भारतीयसँ १५ रुपैयाँ सँस्ता

जनकपुरधाम १८ । नेपालके अपने उत्पादनसँ माँग अनुसार पुर्ति नहि भऽ सकला बाद जनकपुरमे एखन पाकिस्तानी चिनी आएल अछि । नेपालमे चिनी उद्योग उपभोक्ताके माँग अनुसार उत्पादन नहि कऽ सकला बाद एतुका पैघ व्यवसायीसभ पाकिस्तानी चिनी आयाततर्फ आकर्षित भेल अछि ।
जनकपुरक अधिकांश खुद्रा दोकानमे एखन पाकिस्तानसँ आयात भऽ कऽ नेपाल आएल चिनी प्रसस्त रुपेँ भेटैत अछि । भारतसँ पाकिस्तानमे चिनी सँस्ता रहलासँ पैघ व्यवसायीसभ ओहितर्फ आकर्षित भेल बताओलगेल अछि । एक खुद्रा व्यापारीके अनुसार जनकपुर बजारमे एखन नेपालके अपन उत्पादन आ भारतसँ आयात भऽ कऽ आएलसँ अधिक पाकिस्तानसँ आएल चीनी जतह ततह अछि । भारतसँ चिनी आबए बन्द भेला बाद चिनीके पैघ व्यवसायीसभ पाकिस्तानसँ आयात करबालेल शुरु कएने ओ बतओलन्हि ।
अपनेसभ सेहो स्थानीय डिलरसँ पाकिस्तानी चिनी खरिद कऽ उपभोक्ताकेँ बिक्रि करैत आएल एतुका खुद्रा व्यापारी रामबहादुर साह बतबैत छथि ।
पाकिस्तानसँ आयात कएला बाद सँस्ता पडलासँ व्यवसायीसभ ओहितर्फ आकर्षित भेल महोत्तरीके रामनगरस्थित एभेरेष्ट सुगर मिलमे कार्यरत एक कर्मचारी बतओलन्हि । भारतसँ आयात कएलापर प्रति किलो ६०÷६२ रुपैयाँ परएबला चिनी पाकिस्तानसँ आयात कएलापर प्रति किलो ४० रुपैयाँ मात्र पडल ओ जानकारी देलन्हि । पाकिस्तानसँ चिनी आयात कएलापर व्यवसायीसभकेँ प्रति किलो १० सँ १५ रुपैयाँ बचत भऽ रहल बताओलगेल अछि । हुनका अनुसार नेपालके दुगड आ शिखर समूह पाकिस्तानसँ चिनी आयात कऽ रहल अछि ।

पाकिस्तानसँ चिनी आयात होबए लगला बाद नेपाली उद्योगीसभ विरोध सेहो कएने छलथि । पाकिस्तानी चिनीके कारण नेपालके उद्योगसभ घाटामे गेल कहैत ओसभ आपत्ति जनओने छलथि । आ, ओहिके बाद पाकिस्तानसँ चिनी आयात करबामे रोक लगाओलगेल बताओलगेल अछि । मुदा पाकिस्तानसँ चिनी आयात करबालेल ६ महिना आगा रोक लगाओलगेला बादो विगतके भण्डारण एखन धरि नेपाली उपभोक्ता समक्ष पहूँच रहल अछि । एक व्यवसायीके अनुसार नेपाली उपभोक्ताकेँ ६ महिना धरि पहुँचएजँका पाकिस्तानी चिनीके भण्डारण कएलगेल अछि । भारतसँ आयात बन्द भेला बाद पाकिस्तानसँ पहिल बेर चिनी आयात कएलगेल बताओलगेल अछि ।
नेपालमे सञ्चालनमे रहल १०÷१२ चिनी उद्योग ७५ प्रतिशत उपभोक्ताके माँग मात्र पुरा कऽ सकल अछि । नेपालमे उत्पादन होबएबला चिनी भारत आ पाकिस्तानमे परएबला मूल्यसँ अधिक महँगा रहल बताओलगेल अछि । चिनी उत्पादन करबामे कच्चा पदार्थसभ भारतसँ लाबएके बाध्यता रहल अछि ।
चिनी उद्योगी व्यवसायीसभक अनुसार नेपालमे वार्षिक २ लाख २५ हजार टन चिनी खपत होइत अछि । जाहिमेसँ १ लाख ७५ हजार टन स्वदेशमे उत्पादन भऽ रहल अछि तऽ बाँकी ५० हजार टन औपचारिक तथा अनौपचारिक रुपेँ बाहरसँ आयात होइत आएल अछि ।

Read More »

चारवटा एकीकृत वस्तीको योजना स्वीकृत

काठमाडौँ, असोज २२ गते । राष्ट्रिय पुनर्निर्माण प्राधिकरणले ओखलढुंगा, सिन्धुपाल्चोक र काठमाडौँमा गरी चारवटा एकीकृत बस्ती विकासका प्रारम्भिक योजना स्वीकृत गरेको छ । प्राधिकरणका प्रमुख कार्यकारी अधिकृत सुशील ज्ञवालीको अध्यक्षतामा बसेको प्राधिकरणको कार्यकारी समितिको बैठकले यस्तो निर्णय गरेको प्राधिकरणले जनाएको छ ।
ओखलढुङ्गा जिल्लाको मोलुङ गाउँपालिका वडा नं. ३ फुयाल गाउँस्थित फुयाल गाउँ एकीकृत नमूना बस्तीलाई स्वीकृत गरेको छ । फुयालगाउँ एकीकृत नमूना बस्तीमा १२ घरधुरी हुने छन् ।
यसैगरी, सिन्धुपाल्चोक जिल्लाको चौतारा साँगाचोकगढी नगरपालिका वडा नं. १४ झ्याडीटोलस्थित माझी बस्तीमा श्वेताश्री फाउण्डेसनको सहयोगमा बन्ने झ्याडीटोल एकीकृत माझी बस्तीको प्रारम्भिक योजनालाई स्वीकृत गरेको छ । यस एकीकृत बस्तीमा ५६ घरधुरी रहने छन् ।
यस्तै, बैठकले सिन्धुपाल्चोक जिल्ला मेलम्ची नगरपालिका वडा नं १२ गिरान्चौरस्थित सामुदायिक पुनर्निर्माण पर्यटन प्रवद्र्धधन परियोजना र काठमाडौँ जिल्ला शंखरापुर नगरपालिका वडा नं ७ पुखुलाछिस्थित सिर्जनशील एकीकृत बस्ती विकासको प्रारम्भिक योजनालाई स्वीकृत गरेको छ । गिरान्चौरस्थित सामुदायिक पुनर्निर्माण पर्यटन प्रवद्र्धधन परियोजनामा १३५ घरधुरी र सिर्जनशील एकीकृत बस्ती विकासमा १६ वटा घरधुरी हुनेछन् ।
पुनिनिर्मित घर तीन लाख नाघे
यसैबीच, पुनर्निर्माण सम्पन्न निजी आवासको संख्या तीन लाखभन्दा बढी भएको छ । प्राधिकरणका सूचना प्रणालीमा प्रविष्ट तथ्याङ्कअनुसार तीन लाख पाँच हजार ८८३ निजी आवासको पुनर्निर्माण सम्पन्न भएको छ । दुई लाख ५१ हजार ५२७ घर निर्माणको क्रममा छन् । निजी आवास पुनर्निर्माणका लागि अनुदान सम्झौता गर्ने लाभग्राहीको संख्या सात लाख २६ हजार ९१७ रहेको जानकारी प्राधिकरणले दिएको छ ।

Read More »
1 18 19 20 21 22 50